Tuesday, September 20, 2011

१३ गोटेके मृत्यु होबय जका भेल मिनी बस दुर्घटनाके छानबिन समिति गठन


म्याग्दी , आसिन ३ । किछ दिन आगु म्याग्दीके बबियाचौर ८ रनबाङमे १३ गोटेके मृत्यु होबय जका भेल मिनी बस दुर्घटनाके सत्य तथ्य कारण पता लगाबय लेल छानबिन समिति गठन कऽ छानबिन कएल जा ऽ रहल अछि ।

बबियाचौरसँ दरबाङ जाऽ रहल ग १ ख २७०४ नम्बरक मिनि बस रनबाङके चढाइमे दुर्घटना भऽ करीब २ सय मिटर निचा म्याग्दी नदीके कातमे खसल छल । दुर्घटनामे परि १३ गोटेके मृत्यु भेल छल तऽ ६ गोटे गम्भीर घाइल भेल छल ।

म्याग्दी बस तथा जिप सँचालक समितिक सचिव सुमन श्रेष्ठक सँयोजकत्वमे ५ सदस्यीय छानबिन समिति गठन कऽ घटनाक अनुसन्धान आगु बढाओल गेल अछि । छानबिन समितिक सदस्यसब आइ भिन्सर घटनास्थलमे पहुँच कऽ घटनाक कारणके बिषयमे अनुसन्धान कऽ रहल अछि । समिति सत्य तथ्य पता लगा कऽ प्रतिवेदन सार्वजनिक करत सँयोजक सुमन श्रेष्ठ जानकारी देलनि । अहिना छानबिन समिति दुर्घटना न्युनिकरणके उपायसबहक खोजी समेत करत जनौलक अछि । बर्षाके कारण रास्ताके स्थिति सही नहि होनाइ आ रास्ता ढहि कऽ का चौडा भेलासँ दुर्घटना भेल होबय सकयके अनुमान कएल गेल अछि ।

जोखिमपूर्ण पत्रकारिता पुरस्कार कपिलदेव आ दिलिपके


३ आसिन, नुवाकोट । अहि वर्षक हेम सुनिल जोखिमपूर्ण पत्रकारिता पुरस्कार इमेज च्यानलके नुवाकोट संवाददाता कपिलदेव खनाल आ नेपाल टेलिभिजनके संवाददाता दिलिप थापा मगरके संयुक्त रुपमे प्रदान कएल जाएत ।

नेपाल पत्रकार महासंघ नेपाल टेलिभिजन प्रतिष्ठान प्रत्येक वर्ष जोखिमपूर्ण रिपोटिङ्ग करयबला पत्रकारके प्रदान करैत आएल ओ पुरस्कारक घोषणा काल्हिए राति कएल गेल छल ।

संवाददाता खनालके इमेज च्यानलमे असार १६ गते प्रशारण भेल ४ हजार महिला बेश्यालयमे विक्री भेल रिपोर्टके लेल पुरस्कार प्रदान करय लागल अछि । साथे नेपाल टेलिभिजनके संवाददाता दिलिप थापामगरके डोल्पाके जोखिमपुर्ण जीवनके बारेमे बनौने रिपोर्टके सयुक्त रुपमे पुरस्कार प्रदान कएल जाएबला अछि ।

पुरस्कारक राशी २५ हजार रुपैयाँ आ प्रमाण पत्र रहल अछि । २०६३ सालमे ताप्लेजुङ्गके घुन्सामे भेल हेलिकोप्टर दुर्घटनामे मृत्यु भेल नेपाल टेलिभिजनके संवाददाता हेमराज भण्डारी आ छायाँकार सुनिल सिंहके स्मृतिमे ओ जोखिमपुर्ण पत्रकारिता पुरस्कारक स्थापना कएल गेल अछि ।

राज्यब्यबस्था समितिमे गृहमन्त्री जवाफ देताह


३ आसिन, काठमाण्डौ । रैबदिन साँझ आएल भूकम्पसँ देशभरि भेल धनजनके क्षतिबारे बिमर्श करय राज्यब्यबस्था समिति गृहमन्त्रीके बजौलक अछि ।

बेरियामे ३ बजे बैसय लागल बैसारमे कार्यवाहक प्रधानमन्त्री एवं गृहमन्त्री बिजयकुमार गच्छदारके बजाओल गेल अछि । भूकम्पके क्षति, उद्धार तथा राहतके लेल भेल प्रयास बारे जानकारी देबय गच्छदारके बजाओल गेल समिति सभासपति रामनाथ ढकाल जानकारी देलनि ।

समितिमे काल्हि बिबादके कारण रुकल ४ टा उपसमिति गठनके बिषयमे समेत बिमर्श हाएत । माओवादी सभासदसबवीच  बिबाद भेलाबाद ४ टा उपसमिति गठन करयके तयारी रुकल छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन