Tuesday, August 23, 2011

अन्ना हजारे अनशनके आइ आठम दिन


नयाँ दिल्ली, भादव ६ । अन्ना हजारे अनशनके आइ आठम दिन सेहो जारी रखने छथि ।

७४ बर्षक अन्नाके स्वास्थ्य आब एकदम कमजोर भऽरहल छन्हि । हुनकर वजन दिनप्रतिदिन घटिरहल छन्हि । हुनकर आंखिसँ पानी आबिरहल अछि तऽ हुनका कमजोरी सेहो महसूस भऽरहल छन्हि । हुनका रौदसँ बचय आ कम बाजयके सलाह देलगेल छन्हि । डॉक्टरके अनुसार स्वस्थ रहय लेल हुनका अगिला ४८ घण्टामे कोनो हालतमे अनशन तोड़य पडतनि ।

आइ भिन्सर अरविंद केजरीवाल कहलनि जे प्रधानमंत्री या राहुल गांधीए नहि सरकारक कोनो ब्यक्तिसँ हमसब बात करय लेल तयार छी । मुदा औपचारिक रुपसँ अखनधरि सरकारक दिससँ कियो नहि आएल अछि ।
सामाजिक कार्यकर्ता अन्ना हजारे आइ फेउरसँ कहलनि जे हम रहि या नहि रही मुदा क्रांतिके इ मशाल जरैत रहयके चाही । ओ रामलीला मैदानके मंचस एक बेर फेउर अहि बातके दोहरौलनि जे जँ संसद ३० अगस्तधरि जन लोकपाल विधेयकके बारेमें किछ नहि सोचत तऽ हजारों गोटे सांसद घरके बाहर धरना देत ।

जनलोकपाल बिलके लेल अन्ना हजारेके आंदोलनके लोग अपना-अपना तरीकासँ समर्थन दऽरहल अछि । दिल्लीके मॉडल आ ऐक्ट्रेस सलीना वली खान अन्नाके मांग पूरा नहि भेल तऽ विरोधमे नग्न भऽ नाच करब बतौलिह ।

'सीरियामें अखनधरि २२०० गोटेके मृत्यु

सिरिया, भादव ६ । सीरियामें सरकार विरोधी प्रदर्शनमें अखनधरि २ हजार २ सय गोटेके मृत्यु भेल संयुक्त राष्ट्र मानवाधिकार उच्चायुक्त जनौलक अछि ।

अहि साल मार्चमें सीरियामें भेल सरकार विरोधी प्रदर्शनमे सरकार केने अत्यधिक बल प्रयोगके कारण एतेक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

संयुक्त राष्ट्र मानवाधिकार काउंसिलके एक आपातकालीन बैसारके उद्घाटन भाषणमें संयुक्त राष्ट्र मानवाधिकार उच्चायुक्त नवी पिल्लै मार्चके मध्यसँ शुरु भेल विरोध प्रदर्शनके अखनधरिमे २ हजार २ सयसँ बेसी गोटेके मृत्यु भेल बतौलनि । ओ कहलनि जे शांतिपूर्ण प्रदर्शनकारी पऽ दमन कएल जारहल अछि । सेना आ सुरक्षा बल भारी तोप सहित अत्यधिक बल प्रयोग कऽरहल अछि ।

संयुक्त राष्ट्रक जांचकर्ता अहि महीनाके शुरूमें एकटा रिपोर्ट पेश करैत सीरियाई सुरक्षाकर्मी ब्यापक मानवाधिकारके उल्लंघन कऽरहल अछि ।

संविधानसभा विघटनके माँग करैत आमहडतालके घोषणा

६ भादव, काठमाडौं । लक्ष्मण थारु नेतृत्वक नवगठित थरुहट तराई पार्टी नेपाल संविधानसभाके विघटन कऽ नयाँ निर्वाचन कराबयके माँग करैत थरुहट आ तराईमे दु दिना आमहडतालक घोषणा केने अछि ।

आइ राजधानीमे पत्रकार सम्मेलन कऽ थरुहट तराई पार्टी भादव १५ आ १६ गते दु दिन आमहडतालक घोषणा केने अछि । आमहडतालके पूर्वसंध्यामे १४ गते साँझ मसाल जुलुस प्रर्दशन करयके कार्यक्रम रहल अछि ।

थरुहट तराई पार्टी नेपाल संविधानसभा खारेज कऽक ताजा जनादेशके लेल चुनाव कराबयके, राज्यके सब संयन्त्रमे जातीय जनसंख्याके आधारमे पूर्ण समानुपातिक प्रतिनिधित्व सुनिश्चित करयके, लुम्बिनीमे विदेशी चलखेल अन्त्य करयके, चितवन आ नवलपुर खण्डके थरुहट स्वायत्त प्रदेशमे समावेश करयके, थरुहट आन्दोलनके क्रममे लगाओलगेल मुद्दासब खारेज करय सहितक माँगसब रखने अछि ।

पत्रकार सम्मेलनमे थरुहटक अध्यक्ष लक्ष्मण थारु संविधानसभाके भङ्ग कऽक नयाँ निर्वाचनमे जाए नागरिक समाज सहितक सर्वदलीय चुनावी सरकार निर्माण करयके माँग कएलनि ।

ओना नहि कऽ संविधानसभाके म्याद थपल जाएत तऽ आन्दोलनके आँधि तुफान आनयके ओ चेतावनी देलनि । थरुहट तराई पार्टी नेपालके आन्दोलनके तामसालिङ स्वायत्त राज्य परिषद सेहो समर्थन केलक अछि ।

४८ घंटामें तोरय पडतनि अन्नाके अनशन!


नई दिल्ली, भादव ६ । अन्ना हजारे अनशनके आइ आठम दिन सेहो जारी रखने छथि ।

७४ बर्षक अन्नाके स्वास्थ्य आब एकदम कमजोर भऽरहल छन्हि । हुनकर वजन दिनप्रतिदिन घटिरहल छन्हि । हुनकर आंखिसँ पानी आबिरहल अछि तऽ हुनका कमजोरी सेहो महसूस भऽरहल छन्हि । हुनका रौदसँ बचय आ कम बाजयके सलाह देलगेल छन्हि । डॉक्टरके अनुसार स्वस्थ रहय लेल हुनका अगिला ४८ घण्टामे कोनो हालतमे अनशन तोड़य पडतनि ।

आइ भिन्सर अरविंद केजरीवाल कहलनि जे प्रधानमंत्री या राहुल गांधीए नहि सरकारक कोनो ब्यक्तिसँ हमसब बात करय लेल तयार छी । मुदा औपचारिक रुपसँ अखनधरि सरकारक दिससँ कियो नहि आएल अछि ।
सामाजिक कार्यकर्ता अन्ना हजारे आइ फेउरसँ कहलनि जे हम रहि या नहि रही मुदा क्रांतिके इ मशाल जरैत रहयके चाही । ओ रामलीला मैदानके मंचस एक बेर फेउर अहि बातके दोहरौलनि जे जँ संसद ३० अगस्तधरि जन लोकपाल विधेयकके बारेमें किछ नहि सोचत तऽ हजारों गोटे सांसद घरके बाहर धरना देत ।

जनलोकपाल बिलके लेल अन्ना हजारेके आंदोलनके लोग अपना-अपना तरीकासँ समर्थन दऽरहल अछि । दिल्लीके मॉडल आ ऐक्ट्रेस सलीना वली खान अन्नाके मांग पूरा नहि भेल तऽ विरोधमे नग्न भऽ नाच करब बतौलिह ।

सर्वदलीय बैसारमे काँग्रेस अनुपस्थित, माओवादीद्वारा बहिस्कार


काठमाडौ, भादव ६ । माओवादी मन्त्रीसब बाहेकके मन्त्रिपरिषद् बैसारसँ संविधानसभाके म्याद तीन महिना थपयके प्रस्ताव आइ पारित केलक अछि । आइए ओ प्रस्ताव संसद सचिवालयमे दर्ता कएल जाएत ।

सरकार ओ प्रस्तावके संसदमे दर्ता कऽक पारित करौलाबाद संविधानसभाके म्याद फेउर तीन महिना बढत ।

प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल संविधानसभाके म्याद तीन महिना थपयके प्रस्ताव केलाबाद प्रमुख सत्ता साझेदार माओवादी सर्वदलीय बैसार बहिस्कार केलक अछि । बैसारमे कांग्रेस अनुपस्थित छल ।

भिन्सर साँढे ११ बजे बजाओलगेल अबेरसँ शुरु भेल छल । बैसारमे प्रधानमन्त्री भिन्सर सत्तारुढ दलसबहक सहमतिसँ फरक तीन महिनामात्रे संविधानसभाके म्याद थपयके प्रस्ताव लौने कहैत माओवादी बहिस्कार केने छल ।

'बैसारमे सँविधानसभामे प्रतिनिधित्व कएनिहार काँग्रेस बाहेकके दल तथा मन्त्रीसबहक सहभागिता छल । माओवादीके नेता तथा मन्त्रीसब बहराएलाबाद मन्त्रिपरिषद्क बैसार सेहो असमन्जसमे परल अछि ।

आइ भिन्सर सत्तारुढ आ सरकारक समर्थन करयबला १० दलबीच संविधानसभाक म्याद थपयके प्रस्ताव दुपहरमे सर्वदलीय बैसारसँ पास करा कऽ मन्त्रिपिरषदमे राखयके सहमति भेल छल ।

बैसारमे मधेसी मोर्चा तथा छोट दलसब ९ महिना थपय आ माओवादी ६ महिना थपय परत बतौने छल ।

सोनक भाउ ५४ हजार नजदिक


६ भादव, जनकपुरधाम । सोनके भाउ आइ फेउर नयाँ किर्तिमान कायम केलक अछि ।1

सोनके भाउ आइ तोलाके करिब ५४ हजार रुपैंया पहुँचल अछि । काल्हि ५३ हजार ४ रुपैया रहल सोनके भाउ आइ ५ सय रुपैंया बढिकऽ ५३ हजार ९ सय रुपैंया पहुँचल नेपाल सोनचाँदी व्यवसायी संघ जनौलक अछि । अहिना चाँदीके भाउ सेहो तोलामे ५ रुपैंया बढिकऽ आइ १ हजार २ सय ७० रुपैंयामे पहुँचल अछि ।

कोइरला आ नेपाल सहमतीय सरकारके पक्षमे

काठमाडौ, भादव ६ । नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशील कोइराला आ एमाले नेता माधवकुमार नेपालबीच पछिल्का राजनीतिक परिस्थितिबारे आइ बिमर्श भेल अछि ।

कोइराला निवास महाराजगन्जमे भेल ओ बिमर्शमे राष्ट्रिय सहमतिके सरकार गठनक लेल अपन अपन तर्फसँ जतेक होबय सकेय सहयोग करयके प्रतिवद्धता व्यक्त केलनि अछि ।

ओ अवसरमे सभापति कोइराला नेपाली काँग्रेसक दिससँ प्रधानमन्त्रीके लेल आगु घुसकौने वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवाके पक्षमे सहमति जुटाकय सहयोगके लेल आग्रह केने छलथि ।

बिमर्शमे नेता नेपाल विभिन्न राजनीतिक दलसँग वार्ता कऽ शान्ति आ संविधानक लेल राष्ट्रिय सहमति कायम करय पार्टीके दिससँ जोड दऽरहल बतबैत राष्ट्रिय सहमतिके सरकारक विकल्प नहि भेलासँ बहुमतीय प्रणालीमे जाए नहि चाहीमे जोड देने छलथि ।

सहमतिके सरकार गठनक लेल राष्ट्रपति थप केने तीन दिना म्याद काल्हि साँझ ५ बजेधरि रहल अछि । दलसब सहमतिके सरकार निर्माणक लेल दु पक्षीय आ त्रिपक्षीय वार्ताके निरन्तरता दऽरहल अछि ।

दम्माके रोगीके क्षयरोगके दबाइ खुवौलासँ मृत्यु

६ भादव, काठमाडौँ । चिकित्सककके लापरवाहीसँ चितवनमे एकटा दम्मा रोगीके क्षयरोगके दबाइ खुवौलासँ मृत्यु भेल अछि ।

दम्माके रोगी भरतपुर-४ कमलनगरके ५७ वर्षक पूर्णकली ढकालके चितवन मेडिकल कलेजक चिकित्सक क्षयरोगके दबाइ खुवौलासँ बितलराति मृत्यु भेल अछि । बितल भादव १ गते दम्माके इलाजक लेल भर्ना कएलगेल ढकालके भादव ४ गते डिस्चार्ज कएलगेल छल । डिस्चार्ज होइतकाल चिकत्सक क्षयरोगके दबाइ लिखदेने आ ओ किन कऽ खुवौलासँ स्वास्थ्यमे थप खराबी देखयमे एलाबाद काल्हि फेउरसँ अस्पताल लौलाबाद बितलराति सघन कक्षमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल परिवारजन जनौलक अछि ।

दुनु पक्षबीच अखन अस्पतालमे वार्ता भऽरहल अछि । मृतकके बेटा गोविन्द उचित क्षतिपूर्ति आ घटनाके दोषी उपर कारबाही नहि होबयधरि शव नहि उठाबयके चेतावनी देलक अछि ।

अहिस आगु दु सप्ताह आगु चितवनके बीपी कोइराला मेमोरियल क्यान्सर अस्पतालमे बुटवलके छमकुमारी बोहराके घेउटके अप्रेशन करयके बदला चिकित्सक बच्चादानी निकालि कऽ फेकदेने छल ।

त्रिपोली में नज़र आएल सैफ़ अल-इस्लाम


लिबिया, भादव ६ । लीबियामें कर्नल मुअम्मर ग़द्दाफ़ीके एकटा बेटा सैफ़ अल-इस्लामके नियन्त्रणमें होबयके बात गलत साबित भेल अछि आ सैफके त्रिपोलीमें देखल गेल अछि ।

सैफ़ अल-इस्लामके दाबा अछि जे सरकारके सामने बिद्रोही कमजोर परि गेल अछि । विद्रोही त्रिपोलीमें पहुँचलाबाद इ दाबा केने छल जे ओ ग़द्दाफ़ीके दुनु बेटाके अपन नियन्त्रणमे लेने अछि ।

मुदा सैफ़ अल-इस्लाम ग़द्दाफ़ी समर्थकके नियन्त्रणबला एकटा होटल रिक्सोस लग आइ एकटा सरकारी गाड़ीमें देखल गेल अछि ।

अहिसँ पहिने काल्हि विद्रोहीके ग़द्दाफ़ी समर्थक सेनासँ बहुत लडय परल छल । दुनु पक्ष राजधानी त्रिपोली पऽ क़ब्ज़ा केने दावा कऽरहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन