Tuesday, December 06, 2011

रेल्वे सेवा आइ सँ दैनिक २ बेर


२० अगहन जनकपुरधाम । अनिश्चतकालिन बन्द रहल नेपालक एक मात्र रेल्वे सेवा आइ सँ दैनिक २ बेर सँचालनमे आएल अछि ।

आइ भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्रालय,  रेल बिभागक पदाधिकारी आ प्रमुख जिल्ला अधिकारीक पहलमे भेल वार्तामे कर्मचारीके माँग प्रति भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्रालय सँबेदनशिल रहल आ मागँ पुरा करयके पहल भऽ रहल बात मौखिक रुपसँ जनौलाक बाद रेल सेवा सँचालनके लेल निर्देशन अएलासँ आइसँ रेल सेवा सँचालनमे लाओल गेल सँयुक्त रेल्वे कर्मचारी युनियन बिज्ञप्ति मार्फत जनौलक अछि ।

अहिसँ आगु बितल अगहन १५ गते रेल्वेके कर्मचारीसब उपर रेल्वेके महाप्रबन्धक सुरेश प्रसाद यादव भाडाके गुण्डा लगा कऽ गारि बेइज्जत करयके सँगहि पिटपाट करवौने मधेशी श्रमिक फोरम नेपाल रेल्वे इकाइ समिति जनकपुर आरोप लगबैत रेल्वेके सेवा अनिश्चितकालके लेल बन्द करवौने छल ।

सँयुक्त रेल्वे कर्मचारी युनियनद्धारा आइ जारी बिज्ञप्तिमे १५ गते साँझमे बिना कोनो जानकारी देने रेल्वे महाप्रबन्धक यादव बाहरके दश बारह गोटेके आनि कार्यालयके ताला तोरने आ रेल्वेके दर्ता चलानी किताब लऽ गेल कहैत अगहन १६ गतेसँ महाप्रबन्धकके पदमुक्ति सहितक ४ सुत्रिय माँग रखैत अनिश्चितकालिन रेल्वे सेवा ठप्प कएलगेल जनाओलगेल अछि ।

पाकिस्तानविरुद्ध नेपालके १-० सँ अग्रता


२० अगहन, काठमाडौं । भारतक नयाँदिल्लीमे जारी साफ च्याम्पियनसिप फुटबल अन्तरगत पाकिस्तान विरुद्धक खेलमे नेपाल १-० के अग्रता लेलक अछि । पहिल हापके २६ हम् मिनेटमे भरत खबास नेपालक लेल गोल केलनि अछि । राजु तामाङके कर्नर बलमे ओ बहुत आकर्षक गोल केलनि अछि ।

पाकिस्तानविरुद्ध जितय सकत तऽ नेपाल समूह बी के शीर्ष स्थानमे रहैत अगिला चरणमे प्रवेश करत । माल्दिभ्ससँग १-१ गोलके बराबरी खेल्ने नेपाल समूह चरणके दोसर खेलमे बंगलादेशके १-० सँ पराजित केने छल ।

पुलिस आ बिद्यार्थीबिच झडप , ६ राउण्ड अश्रु ग्याँस प्रहार


२० अगहन जनकपुरधाम । जनकपुरक मुजेलिया स्थित इलाका प्रहरी कार्यालयके आगु आइ बेरियामे बसक ठक्करसँ एक बिद्यार्थीके मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे जनकपुर वाड नम्बर ४ पिडरिया माइ स्थानके अन्दाजी २२ बर्षक सर्वेश लाभ कर्ण रहल पुलिस जनौलक अछि ।

ज २ प २३८५ नम्बरक मोटरसाइकल पर ३ गोटे सवार जनकपुर मेडिकल कलेजक बिद्यार्थीके ट्राफिक पुलिस रोकलाबाद पाछुसँ  काकडभिटटासँ जनकपुरदिस आबिरहल ना २ ख ३४०७ नम्बरक बस ठक्कर देलाबाद कर्णके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि तऽ मोटरसाइकल पर सवार आरो २ गोटे घाइल भेल अछि । घाइल होबयबलामे महोतरी बजराहीके प्रबिण कुमार झा आ जनकपुर ७ के जितेन्द्र सिँह रहल अछि ।

घाइल प्रबिणके इलाज जनकपुर अँचल अस्पतालमे भऽ रहल अछि तऽ सिँहके इलाज जनकपुरमे सँभव नहि भेलासँ बाहर पठाओलगेल अछि । इ तिनु गोटे जनकपुर मेडिकल कलेजक MBBS के तेसर बर्षमे अध्ययनरत बिद्यार्थी रहल बताओलगेल अछि ।

घटनाक बाद आक्रोशित बिद्यार्थी आ स्थानियबासीसब ठक्कर देबयबला बस आ एकटा आओर दोसर ज १ ख ६०५ नम्बरक राम गोपालपुर रुटमे चलयबला पँचमुखी भिडियो कोच बसमे आगि लगादेलक अछि । अगिलगिसँ ठक्कर देबयबला बसमे पुर्णरुपसँ क्षति पहुँचल अछि । आगिके जनकपुर नगरपालिकासँ गेल बारुण यन्त्र नियन्त्रणमे लेने छल ।

अहिबिच आगजनि आ तोडफोड होबय लगलाबाद नियन्त्रण करय धनुषासँ गेल करिब ३०० के सँख्यामे सशस्त्र पुलिसक टोली आ बिद्यार्थी तथा स्थानियबिच किछकाल झडप सेहो भेल छल । झडपके नियन्त्रण करय पुलिस लाठी चार्ज करयके सँगही ६ राउण्ड अश्रु ग्याँस सेहो प्रहार केने छल । झडपके क्रममे सुनिल दास सहित आधा दर्जन बिद्यार्थी सामान्य घाइल भेल आ ओकरसबहक इलाज जनकपुर अँचल अस्पतालमे भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

एम्हर मृतकके शवके पोष्टमार्टमके लेल जनकपुर अँचल अस्पतालमे राखलगेल अछि ।

जनकपुर नगरपालिकामे धर्ना


२० अगहन जनकपुरधाम । बिभिन्न १० सुत्रिय माँग रखैत जनकपुर नगरपालिकामे राजनितिक सँयन्त्रके ब्यक्तिसब धर्ना दऽ रहल अछि ।

नगरपालिकामे बिभिन्न समयमे आर्थिक अनियमितता होइत आबिरहल आ हर हिसाब नहि देने कहैत बिरोध करैत धर्ना देल जाऽ रहल अछि ।

ओ सब नगरपालिकाके सहयोगीसँ लऽ प्रमुखधरिके कार्यालयमे उपस्थित रहयके, परिषदक निर्णय कार्यान्वयन होबयके आ निर्णय उल्लँघन करयबला उपर कारवाही करयके सहितक बिभिन्न १० सुत्रिय माँग रखैत धर्ना दऽ रहल अछि ।

चितवन कारागार घट्नाक विषयमे संसद अवरुद्ध


काठमाडौ, अगहन २० । प्रमुख प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेस आइ चितवन कारागारमे भेल आक्रमणके घट्ना बारे गृहमन्त्रीके  जवाफ नहि देबयधरि संसद चलय नहि देबयके अडान लेलाबाद व्यवस्थापिका संसदक बैसार किछ कालके लेल स्थगित कएलगेल अछि ।

संसद सुरु होइते कांग्रेसक सभासदसब गृहमन्त्रीके जवाफ आबयके माँग केने छलथि । जिल्ला कारागार चितवन भितर पुर्पक्षके लेल रहल तरुण दलक जिल्ला सभापति शिवप्रसाद पौडेल सहितक एक समूह आक्रमण कऽ गम्भीर घाइल बनौने अछि । जेल भितरे सुरक्षा नहि रहल कहैत कांग्रेस आपत्ति जनौलक अछि । कांग्रेस सभासदसबहक बिरोध आ माँगके बाद सभामुख अढाइ बजेधरिके लेल संसद स्थगित केने छल ।

अहिबीच, बढाओलगेल ६ महिना भितर संविधान निर्माण कऽ जारी करयके संवैधानिक समिति तयार केने कार्यतालिका अनुमोदन करय किछ कालमे संविधानसभाक बैसार बैसय जाऽ रहल अछि ।

फोटो सँसार

चीनके सान्यामे भेल १९ हम् सिल्क रोड मोडलके प्रतिस्पर्धीसब सामूहिक तस्बिर खिचबैत


अहिमे हमर दोष नहि अछि हमर कपडाक दोष अछि




नेपालगन्जमे CRM सुरक्षा दस्ता परिचालन


नेपालगन्ज, अगहन २० । सरकारी कर्मचारी,बैक तथा बित्तिय संस्था आ नगरक महत्वपूर्ण स्थानके सुरक्षाक लेल अलगे सुरक्षा दस्ता CRM परिचालन कएलगेल अछि । नगर,बित्तिय संस्था तथा कर्मचारी सुरक्षा दस्ता सीआरएम के आइसँ नगरक अलग अलग ५ स्थानमे परिचालन कएल गेल अछि ।

असुरक्षित देखल गेल स्थान, संस्था आ कर्मचारी उपर दस्ताके नजर रहत, जिल्ला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी उपरीक्षक दिनेश अमात्य कहलनि जे खतरा नजर अबिते दस्ता एक्सनमे आओत ।

नगरमे हिंसात्मक गतिबिधिमे संलग्न समूह कर्मचारी आ बित्तिय सँस्थाके निसाना बनबैत अएलासँ ओ आपराधिक समूहके नियन्त्रण  करय दस्ता परिचालन कएलगेल अछि । सूचना पबिते कार्यालयसँ पुलिस खटौलासँ आपराधिक ब्यक्ति या समूह फरार होबय सकलासँ पूर्ण अधिकार सहित दस्ता परिचालन कएलगेल अछि ।

एसीसी ट्वान्टी-ट्वान्टी कप क्रिकेटमे आइ फेर नेपालक जित


काठमाडौ, अगहन २० । एसीसी ट्वान्टी-ट्वान्टी कप क्रिकेटमे आइ सेहो नेपाल कुवेत विरुद्ध एक रनसँ जित हासिल कएलक अछि ।

त्रिवि मैदान किर्तिपुरमे भेल खेलमे पहिने ब्याटिंग केने नेपाल ६ विकेटक क्षतिमे १ सय २६ रन बनौने छल । नेपालक लेल प्रारम्भिक ब्याट्सम्यान सुवास प्याकुरेल सर्वाधिक ४० रन बनौने छल । जवाफमे कुवेत १९ ओभर ५ बलमे १ सय २५ रनमे अलआउट भेल छल ।

नेपालक लेल पृथु बास्कोटा अन्तिम ओभरमे महत्वपूर्ण तिन विकेट लेबयमे सफल भेलनि । अहिसँ आगु नेपाल हङ्कङ्गके २ बिकेटसँ हरौने अछि ।

बिद्युत महशुल बढाबही परत उर्जामन्त्री बोगटीक धारणा


काठमाडौ, अगहन २० । उर्जामन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी दु सय मेगावाटके नयाँ डिजेल प्लान्ट जडान आ भारतसँ एक सय मेगावाट विद्युत आयात कऽ क लोडसेडिङके कम कऽ पाँच घण्टामे लाबयके तयारी भऽ रहल बतौलनि अछि । ओ ठण्डीमे लोडसेडिङ कम करयके योजनाके साथ सरकार काज कऽ रहल बतौलनि ।

रिपोर्टर्स क्लब नेपाल आइ आयोजना केने साक्षात्कारमे उर्जामन्त्री बोगटी डिजेल प्लान्ट आ भारतसँ विजुली लाबयके योजना कार्यान्वयनके प्रस्ताव मन्त्रिपरिषदमे लऽ जाएके जानकारी देलनि ।

ओ नेपाल आ भारतवीच विद्युत ब्यापार बढाबयके ट्रान्समिसन लाईनक क्षमताके विस्तारक काज  भऽ रहल  जानकारी दैत मुजफ्फरपुरसँ बर्दिवास प्रसारण लाईन मर्मतके बाद एक सय मेगावाट विद्युत आयात हाएत बतौलनि । ओ नयाँ डिजेल प्लान्ट  आ भारतसँ  विद्युत्त लाबय नहि सकब तऽ अहिवर्ष सेहो १६ सँ १८ घण्टाधरि लोडसेडिङ हाएत जनौलनि ।

ओ डिजेल प्लान्ट खरिदके लेल अर्थमन्त्री वर्षामान पुनसँग बिमर्श भेल आ जल्दिए प्रधानमन्त्रीसँग बात कऽक  निर्णय लेब बतौलनि ।

विद्युत महसुल बढौनाइ अत्यावश्यक भऽ गेल कहैत बोगटी लोडसेडिङके ४५ घण्टामे आनि कऽ  विद्युत महसुल बढाबयके अपन योजना सुनौलनि । ओ कहलनि–'प्राधिकरणके अखन प्रति यूनिट २ सँ ३ रुपैया घाटा अछि । ताहिलेल महसुल बढाबही परत ।'

पुनः १ नम्बरमे आबय टेलिकमक अक्रामक योजना


काठमाडौ, अगहन २० । कमजोर सेवाक कारण पाछु परल नेपाल टेलिकम पुनः १ नम्बरमे आबय अक्रामक योजनासब लाबि रहल अछि ।

मोबाइलके सेवा आ संख्यामे ९ महिना आगु एक निजी कम्पनी पाछु कएलाबाद टेलिकम गुणस्तर सुधारयके साथे एक करोड जिएसएम बढाबयके घोषणा केलक अछि ।

टेलिकमक  प्रबन्ध निर्देशक अमरनाथ सिंह कहलनि जे  एक करोड जिएसएम बढाबयके प्रक्रिया आगु बढाओलगेल अछि । आ अखन प्रतिष्पर्धाके बजार भेलासँ टेलिकम पाछु परल अछि मुदा जल्दिए फेउरसँ १ नम्बर पर आएब । अहिसँ आगुके ३५ लाख लाइन क्षमताके आयोजनाके काम सेहो पूरा भेल ओ बतौलनि । उपभोक्ताके संख्या वृद्धिसँगै सेवा गुणस्तरमे सेहो ध्यान दऽ रहल जानकारी देलनि ।

९ महिना आगु एनसेल जिएसएम मोबाइलमे टेलिकमके पाछु केने अछि । अखारधरिके तथ्यांक अनुसार टेलिकमके जिएसएम ग्राहक ५१ लाख आ एनसेलके ५६ लाख अछि । अखनो एनसेलके ग्राहक टेलिकमसँ बेसी अछि ।

पोस्टपेड मोबाइल, एडिएसएल आ आधारभूत टेलिफोनके बिल रिचार्ज कार्डसँ तिरयके व्यवस्थाके लेल उपकरण जडानके काम भऽ रहल ओ बतौलनि ।

राजधानीमे फेउर दोसर हत्या


काठमाडौ, अगहन २० ललितपुरम ोन दोकानक एक गोट कर्मचारीके हत्या भेल घट्ना सेराए नहि पबैत  काठमाडौंक पेप्सीकोलाम फेउर एक युवाक हत्या भेल अछि  

पेप्सीकोला३५ निवासी २७ वर्ष गोविन्द ढुंगानाक ेँट रेत कऽ  हत्या कएलगेल अवस्थाम शव आइ भिन्सर भेटल अछि

विभत्स तरिकासँ हत्या कएलगेल अवस्थाम ढुंगानाक शव हुनके घर नजदिकक गल्लीम भेटल छल । मृतक ढुंगाना नेपाल वायु सेवा निगम एक कर्मचारी छलथि बितल राति हुनक हत्या कएलगेल पुलिस जनौलक अछि

घट्नास्थलसँ दारुके बोतल, जग प्लेट, गिलास सहितक सामानसब भेटल छल ओतय घुर सेहो बारल गेल छल पुलिस स्थानीय एक होटल व्यवसायी सहित तीन गोटेके नियन्त्रणम लऽ पुछताछ करैत अनुसन्धान आगु बढौने अछि

जचुकालिके मजदुरसब सडक पर उतरय बाध्य , सम्बन्धित निकाय मौन


२० अगहन जनकपुरधाम । बेर बेर सम्बन्धित निकायके जानकारी करैबतो माँग पुरा नहि भेलाबाद जनकपुर चुरोट कारखानाक मजदुरसब सडक पर उतरय बाध्य भेल अछि ।

कारखानाक सँयुक्त मजदुर सँगठनके पुर्व घोषित कार्यक्रम अनुसार आइ सेहो ओ सब आन्दोलन कऽ रहल अछि । अगहन १९ सँ २७ गतेधरि जनकपुर नगरक बिभिन्न भागक परिक्रमा करयके कार्यक्रम अनुसार आइ ओसब दोसर दिन सेहो बिभिन्न ब्यानर सहित नगर परिक्रमा करैत आन्दोलन कऽ रहल अछि ।

अहि सँ आगु जचुकालिके मजदुरसब १ घण्टा २ घण्टा  ३ घण्टा करैत समय बढबैत  जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषामे  धर्ना दैत आबि रहल छल । मुदा ओकरबादो कोनो सुनुवाइ नहि भेलापर आ माँगक बिषयमे सरकार गम्भिरता नहि देखौला पर सडक पर उतरय बाध्य भेल र्यालीमे सहभागी एक मजदुर बतौलक अछि ।

बन्द रहल फैक्ट्रीके सँचालन , कर्मचारीसबके बाँकी बक्यौता रहल दरमाहा देबयके, रोजगारीके ग्यारेण्टी करय सहितक बिभिन्न माँग रखैत मजदुरसँगठन धर्ना देने बताओलगेल अछि । शिघ्र माँग पुरा नहि भेल तऽ आओर शसक्त कार्यक्रमसब करयके मजदुर सँगठन चेतावनी सेहो देने अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन