Wednesday, October 26, 2011

'बिपा सम्झौतासँ लगानी बढत'


कपिलवस्तु , कार्तिक ९ । कानुन तथा न्याय मन्त्री बृजेशकुमार गुप्ता द्विपक्षीय लगानी प्रवर्द्धन तथा सुरक्षण सम्झौता बिपासँ लगानी बढयके दाबी केलनि अछि ।

ओ प्रधानमन्त्री बावुराम भट्टराई भारतसँग केने बिपा सम्झौताक बाद देशमे पैघ पैघ उद्योग आबयके बिश्वास लेलनि अछि ।

तौलिहवामे समयमाई बचत तथा ऋण सहकारी संस्थाक तेसर साधारण सभा आ नव निर्मित भवनक उद्घाटन करैत मन्त्री गूप्ता बिपक्षी पार्टी बिपाबारे बिरोधक लेल मात्रे बिरोध केने बतौलनि ।

अपनाके झुठा राष्ट्रबादी देखाबय अखन बिभिन्न पक्ष अनावश्यक बखेडा ठार कऽ रहल जिकिर करैत ओ साम्प्रदायिक दंगा भऽ कऽ उद्योगमे घाटा हाएत तऽ ओकर मात्र क्षतिपूर्ति देबयके बिपामे उल्लेख रहल दाबी कएलनि । 'मजदुर हड्ताल या अपने कारणसँ उद्योगमे क्षति हाएत तऽ ओकर क्षतिपूर्ति राष्ट्रके नहि देबय परत,' ओ कहलनि ।

मन्त्री गुप्ता ४ बुँदे सम्झौता राष्ट्रघाती नहि भऽ संविधान निर्माण तथा शान्ति प्रकृया निष्कर्षमे पहुँचाबय कएलगेल कहैत १० हजार मधेसी नेपाली सेनामे सहभागी कराइए कऽ छोडत बतौलनि ।

ओ देश अखन कठिन मोडमे रहल बतबैत इ सरकार सेहो समस्या समाधान करय नहि सकत तऽ देशमे थप संकट उत्पन्न हाएतन उल्लेख कएलनि ।

दलसबहक बिबादसँ संविधान निर्माण रुकलः नेम्वाङ


पाँचथर, कार्तिक ९ । संविधानसभाक सभाध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्बाङ दलसबहक आन्तरिक बिबादक कारण संविधान निर्माण आ शान्ति प्रक्रियाके असर पहुँचल बतौलनि अछि ।

अपन काका पूर्व जिविस सभापति स्वर्गीय हरिश्चन्द्र नेम्बाङक १३ हम् पून्य तिथिमे आइ पुर्ख्यौली गाम फिदिम ३ माथिल्लो गाउँ पहुँचल नेम्बाङ दलसबभितरे बढल विवादसँ ओकरासबहक बिच आरो विवाद बढल बतौलनि ।

शान्ति प्रक्रिया पुरा करय आ संविधान निर्माण करयके शिलशिलामे दलसबबीच नयाँ किसिमके विवादसब देखाए लागल ओ बतौलनि । पहिने शान्ति प्रक्रिया पुरा केलाबादे  संविधान बनाबय परत कहैत दलसबबीच विवाद बढलाबाद संविधान निर्माणक काममे अवरोध आएल नेम्बाङ उल्लेख कएलनि ।

प्रधानमन्त्री नेपाल घुरलासँ विवाद समाधान उपसमितिक वैसार कऽ तत्काल गतिरोध अन्त्य होबयमे ओ विश्वास व्यक्त कएलनि । नेतासबके दलीय स्वार्थ त्यागि कऽ विदेश नहि जा शान्ति आ संविधान निर्माणमे केन्द्रीत रहय बारबार आग्रह केने कहैत सभाध्यक्ष नेम्बाङ कहलनि ।

अश्मित आ सोफिया




बैंकॉकके सब इलाक़ा बाढ़ि सँ प्रभावित


९ कातिक थाईलैंड । थाईलैंडके प्रधानमंत्री यिंगलक चिनावाट राजधानी बैंकॉकके सब इलाक़ा बाढ़ि सँ प्रभावित भऽ सकबाक बतौलनि अछि।

टेलिविज़न पर देने संबोधनमें प्रधानमंत्री कहलनि जे शहरके भीतरी स्थानमे बढ़ैत जलस्तर सँ नहि बचाओल जाऽ सकैय । बाढ़िके पानिके उत्तरी उपनगरीय इलाक़ामें प्रवेशके बाद बैंकॉकके दोसर बिमानस्थलके बंद करऽ परल अछि ।

एम्हर राजधानीके बासीसबसँ अपन घरके छोड़ि कऽ सुरक्षित स्थान पर जाएके लेल तैयार रहय अपिल कएल गेल अछि ।

बाढ़िके ख़तराके देखैत सरकार बृहस्पति दिनसँ पांच दिनके सार्वजनिक छुटीके घोषणा केने अछि । ताकि लोग अपन सामान सुरक्षित स्थानधरि पहुंचा सकेंय या  बैंकॉक छोड़ि सकेंय ।

थाईलैंडमें कतेकौ दशकके बाद आएल अहि भीषण बाढ़िमे अखनधरि  ३६० सँ बेसीके मृत्यु भऽ चुकल अछि तऽ एक लाख सँ बेसी गोटे अपन अपन घर-बार छोड़ि कऽ जाए बिबश भेल अछि ।

तालिबान लड़ाकुके पाकिस्तानी अधिकारीसँ मिलल 'ट्रेनिंग'


९ कातिक एजेन्सी । अफ़गानिस्तानमें अमरीकी सेनाकके बिरुद्ध तालिबान लड़ाकुके पाकिस्तानक समर्थन भेट रहल बात  सामने आएल अछि ।

तालिबानके लड़ाकुसब ओकरासबके बम बनाबयके ट्रेनिंग पाकिस्तानके अधिकारीसब दऽ रहल खुलासा केलक अछि । पाकिस्तान आ अफ़गानिस्तानके सीमा पर तैनात अमरीकी सेना सेहो पाकिस्तानी सेना तालिबानके समर्थन करैत देखने बतौलक अछि ।

एक पूर्व सीआईए अधिकारीके कहब अछि जे अमरीकी ड्रोन विमान हमलाके बिषयमे पाकिस्तानके जानकारी देबय बँद केलाबाद इ हमला सब सफल भेल अछि । एकर मतलब जे पहिने इ हमलाक बिषयमे पाकिस्तानी अधिकारी तालिबानीके सुचना दैत छल ।

हालांकि पाकिस्तान आ पाकिस्तानके अधिकारी हमेशासँ अहि बातके खंडन करैत आबि रहल अछि जे तालेबानसँ ओकर कोनो  किसिमक संपर्क या संबंध नहि अछि ।

अहि बिषय पर अमरीका आ पाकिस्तानके रिश्तामे सेहो खटास आबिगेल अछि आ दुनु देश एक दोसरके बारेमें कड़ा बयान सेहो  जारी कएने अछि ।

बितल किछ दिन पहिने अमरीकाक विदेश मंत्री हिलेरी क्लिंटन अपन पाकिस्तान यात्राके समय कहने रहथि जे पाकिस्तान इ नहि सोचौक जे ओ अपने घरमे सांप पोसैत रहताह आ ओ पाकिस्तानके नहि काटत ।

अहिके बाद बितल हफ्ता पाकिस्तान कहने छल जे ओ अपन ज़मीन सँ सक्रिय चरमपंथी समुहके रोकय लेल किछ आऔर क़दम उठा सकैत अछि ।

अजिब छै यौ



साहेबके अडर अछि !... फटाकासँगे एक दु डिब्बा सलाई सेहो छापा मारि कऽ अनियौ  !

बिप्पा बिरोध जडसुत्रवादी सोचः अध्यक्ष राणा


काठमाडौ, कार्तिक ९ । राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीक अध्यक्ष पशुपति समशेर राणा बिप्पाके विरोध जडसुत्रबादी सोचके उपज रहल आरोप लगौलनि अछि ।

राजधानीमे आइ आयोजित देउसी भैलो कार्यक्रममे बजैत राणा माओवादीके जडसुत्रबादी सोच छोडि कऽ चिन अपनौने बाटमे लागयके सुझाव देलनि ।

ओ बिप्पा सम्झौता ठिक रहल कहैत चिन सेहो विदेशी लगानी लाबय लेने रणनीति अनुसारे माओवादीके सेहो आगु बढयके धारणा रखलनि ।

शान्ति आ संविधान पूरा होबय नहि सकिरहल समय बिप्पाके कलह आनि कऽ ओइके प्रभावित करयके षडयन्त्र भेल कहैत अखन शान्ति आ संविधानबाहेक कोनो बातमे  नहि लागयके सुझाव देलनि ।

शान्ति प्रक्रियामे बहुत बात मिल चुकल कहैत ओइके सहमतिमे आनि कऽ आगु बढयके अध्यक्षक  सुझाव छल।

कांग्रेस बिप्पाके पक्षमे अछिः कोइराला


काठमाडौ, कार्तिक ९ । कांग्रेस सभापति शुशिल कोइराला अपन दल बिप्पा सम्झौताके पक्षमे रहल बतौलनि अछि।

आइ रिपोर्टस क्लबक देउसी भैलो कार्यक्रममे बजैत सभापति कोइराला  कांग्रेस खुला अर्थतन्त्रके पक्षमे रहल बतौलनि अछि । ओ कहलनि, 'कांग्रेस बिपाके पक्षमे अछि । मुदा, प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई सम्झौता करय हरबडागेल  '

प्रधानमन्त्री भट्टराई भारत भ्रमणके क्रममे केने बिप्पा सम्झौताके हस्ताक्षरके विरुद्ध अपने पार्टीक बैद्य समूह आ प्रतिपक्षी दलक नेतासब कडा आलोचना कऽ रहल समय पहिल बेर सभापति कोइराला सार्वजनिक रुपमे बिप्पाके पक्षमे  खुलि कऽ अभिव्यक्ति देलनि अछि । 

कार्यक्रममे बजैत सभापति कोइराला शान्ति आ संविधान स्थायित्व कायम हाएत तऽ स्वतः विदेशी लगानी स्वदेशमे आओत समेत स्पष्ट कएलनि ।

बिप्पा बिरोधक लेल मात्रे बिरोधः उपराष्ट्रपति


काठमाडौ, कार्तिक ९ । उपराष्ट्रपति परमानन्द झा दुईपक्षीय  लगानी (बिप्पा) सम्झौता  विरोधके लेल विरोध मात्रे भेल टिप्पणी केलनि अछि ।

आई रिपोटर्स क्लब आयोजना केने देउसी भैलो कार्यक्रममे बजैत उपराष्ट्रपति झा विदेशी लगानी स्वदेशमे लाबय बिप्पा सम्झौता आवश्यक रहल बतौलनि । ओ जनयुद्ध सुरु केलाबाद विदेशी लगानी नहि आएल अवस्थामे इ सम्झौता विश्वासके वातावरण रहल उल्लेख कएलनि ।

उपराष्ट्रपति झा बिप्पाबारे बिरोध करयबला दलसब भारतके मात्र सुविधा देने बुझाइ रहलासँ बिरोध भेल बतौलनि।

अहिना देउसी भैलो कार्यक्रममे जनशक्ति  पार्टीक अध्यक्ष सूर्यबहादुर थापा अगहन भितर शान्ति आ संविधान पुरा होबय नहि सकत ठोकुवा कएलनि ।   

शान्ति प्रक्रिया पुरा नहि हाएत तऽ कठोर निर्णय लेबः गच्छादार


नेपालगन्ज, कार्तिक ९ उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार अगहन १४ गतेभितरो शान्ति प्रक्रिया पुरा नहि हाएत तऽ मधेसी मोर्चा कठोर निर्णय लेत बतौलनि अछि

माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रधानमन्त्री  बाबुराम भट्टराई केहनो बिरोध हाएत तऽ पुरा करयके प्रतिबद्धता जनौलासँ अपने विश्वस्त रहल ओ बतौलनि

माओवादी भितरके विवादसँ मधेसी मोर्चासंगक गठबन्धनके कोनो असर नहि परत दाबी करैत गृहमन्त्री गच्छदार कहलनि, मुदा, कटा पार्टीक बहुमत नहि ेलासँ सरकारक स्थिरताबारे प्रश्न उठ्नाइ स्वभाविक ि । प्रधानमन्त्रीक राजीनामा माँगयबलासबके संसदम अविश्वास प्रस्ताव लाबय गच्छदार चुनौती देलनि अछि

मधेसी पत्रकार समाज आइ नेपालगन्जमे केने पत्रकार भेटम गृहमन्त्री गच्छदार पैघ राजनीतिक दलसब ऐतिहासिक दायित्व निर्वाह कऽ क शान्ति प्रक्रियाके पुरा करय आ संविधान लिखयके कामके निष्कर्षम पहुँचाबयके सुझाब देने छथि

facebook Page Like

  • मनोरँजन