Sunday, March 27, 2011

जनकपुरक थापा चौक पर स्थानिय युबासभ केलक सडक जाम


जनकपुर, चैत १३ । जनकपुरक थापा चौक पर स्थानिय युबासभ सडक जाम केने अछि ।
थापा चौक स्थित नाला आ सडक निर्माणमे स्थानिय निकाय कोनो उत्सुकता नहि देखौने कहैत स्थानिय युबासभ बाट जाम केने अछि । सडक आ नाला निर्माणक लेल रकम निकासा होइतो काज नहि भेल कहैत आक्रोशित युबासभ बाट अबरुद्ध केने अछि । बाट जामक कारण अखन ओइठाम दर्जनौ सबारी साधन जकथक परल अछि ।

लिबियामे आक्रमण


बाबुराम पार्टी फुटाबय लागल कहैत एसएमएस


काठमाण्डौ, चैत १३ । पार्टीभितरके तीन नेतावीच बैचारिक बिभेद बढिरहल समयमे माओवादी भितर पार्टी बिभाजनके त्रास फैलय लागल अछि ।
अध्यक्ष प्रचण्ड युवा नेतासभके बजाकऽ बाबुराम पार्टी फुटाबय लागल कहने किछुए दिनबाद पश्चिम क्षेत्रके कार्यकर्तासभ मोवाइलमे बाबुराम पार्टी बिभाजन क रहल अछि कहि कऽ एसएमएस एक देसरके पठाबय लागल अछि ।
बाबुराम पार्टी फुटाबय  लागल हल्ला फैललाबाद हुनका स भेटय आइ भट्टराई निवास सानेपा पहुँचल विभिन्न जिल्लास आएल एकीकृत नेकपा माओवादीक कार्यकर्तासभ उपाध्यक्ष भट्टराईसंग सामुहिक भेटघाट केलक अछि । जवाफमे भट्टराई निहित उदेश्यके साथ बाबुराम पार्टी फुटारहल अछि जेहन भ्रामक प्रचारबाजी सुरु भेल कहैत अपने अन्तिम समयधरि सेहो पार्टी एकताके लेल लडैत रहब बतौलनि ।
कार्यकर्तामे त्रास सिर्जना कऽक पार्टी कव्जा करयके अभियान अन्तर्गत इ दुष्प्रचार अभियान चलाओलगेल बतौलनि । विगतमे सेहो बेर बेर अन्यायपूर्ण तरिका स कार्वाही कऽक पार्टी फुटाबय वाध्य करितो अपमान सहियो क पार्टी एकताके लेल तिसौं वर्ष स संघर्ष करैत  आएल व्यक्तिके पार्टी फुटाओत कहनाई झुटके खेती बाहेक आरो किछ नहि अछि  भट्टराई कहलनि ।

बाँकेके सुकुम्वासीसभ आइ धर्ना द रहल


बाँके, चैत १३ । बाँकेके सुकुम्वासी भूमिहीन तथा अब्यबस्थित बसोवासीसभ आइ नेपालगँजमे र्याली सहित जिल्ला मालपोत कार्यालयमे धर्ना द ऽ रहल अछि ।
नेपाल सरकार भूमि सुधार मन्त्रालय अन्र्तगत गठन भेल सुकुम्वासी समस्या समाधान आयोग बाँके सुकुम्वासीके नाममे सुकुम्वासी आ भूमिहिनसभके जमिन देब कहि कऽ प्रलोभन देखा जमिन नाप जाँच करैत अखनधरि कोनो ठोस काज नहि केला सँ अपनेसभ आन्दोलनमे उतरय बाध्य भेल सुकुम्वासी भूमिहिन तथा अव्यबस्थित बसोवासीसभ बतौलनि अछि ।
किछदिन आगु आन्दोलनके कार्यक्रम घोषणा केने सुकुम्वासी तथा भूमिहिनसभ आइ र्याली सहित धर्ना दऽ रहल अछि ।

अजिब छै यौ !

एसएलसीके तेसर दिन गणित बिषयक परिक्षा भ रहल


जनकपुर, चैत १३ ।
प्रवेशिका परिक्षा एस एल सी के आइ तेसर दिन बिधार्थीसभ गणित बिषयक परिक्षा दऽरहल अछि ।
भिन्सर ८ बजे सँ सुरु भेल परिक्षामे देशभरि स  नियमित तथा एक्जाम्टेड क ४ लाख ९६ हजार  परीक्षार्थी सहभागी अछि । तेसर दिनके परिक्षा छिटफुट घटना बाहेक शान्तिपूर्ण रुपमे चलिरहल परिक्षा नियन्त्रण कार्यालय जनौलक अछि । याह चैत १० गते स शुरु भेल अहि बर्षक एस एल सी परिक्षा १८ गतेधरि चलत ।

फोरम संसदीय दलक बैसार बैसय जा रहल

काठमाण्डौ, चैत १३ । सत्तामे जाएके सहमति कऽक एमाले आ माओवादीसँग हस्ताक्षर केने मधेसी जनअधिकार फोरम आइ ओइके समिक्षा करय लागल अछि । 
सत्तासिन प्रमुख दु दलसँगके सम्झौताके समिक्षा करैत सरकारमे जाएबलासबहक नाम तय करय फोरम संसदीय दलक बैसार बैसय जा रहल अछि । भिन्सर ११ बजेबाद सिंहदरबारमे बैसय लागल बैसारमे अध्यक्ष उपेन्द्र यादव सरकारमे पठाबयबला मन्त्रीसभहक विषयमे प्रस्ताव रखलाबाद बिमर्श हाएत । फोरमके तीन मन्त्रालय देबयके सहमति भेल अछि । मुदा फोरम भितरेके जय प्रकास प्रसाद गुप्ताके समुह  सरकारमे जाएके विषयमे सन्तुष्ट नहि देखल गेल अछि ।

भारतीय संसद टोली आइ सँ भेटवार्तामे सक्रिय

काठमाण्डौ, चैत १३ । नेपाल भ्रमणमे आएल भारतीय युवा सांसदसभहक ११ सदस्यीय टोली आइ स राजनीतिक भेटघाट क रहल अछि । 
संविधान निर्माण सङ्घीयता सहितक विषयमे अनुभव आदानप्रदान करय नेपाल आएल टोली आइ संविधानसभाक अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङसँग बिमर्श करत । भिन्सर साढे ११ बजे सिंहदरबारमे होबयलागल भेटवार्तामे ओसभ संविधान निर्माण प्रकि्रयामे भरहल प्रगतिके विषयमे उत्सुकता देखौताह ।
 तत्कालीन प्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपालक भारत भ्रमणके क्रममे नेपाल आ भारतबीच भेल सहमति अनुसार दु देशके सांसदसभके पडोसी देशके परिस्थितिबारे जानकार बनाबय सांसद आदानप्रदान कार्यक्रम सुरु कएलगेल छल । ओहि समय नेपाल भारतबीच युवा संसदीय मँच गठन करयके सहमति सेहो भेल छल । टोली राष्ट्रपति प्रधानमन्त्री सहितक अन्य दलसभसँग सेहो बिमर्श करत बताओलगेल अछि ।

ब्यावस्थापिका संसदके बैसार बैसय जा रहल

काठमाण्डौ, चैत १३ । ब्यावस्थापिका संसदके बैसार आइ   बैसय जा रहल अछि ।
 आजुक बैसारमे अहिस आगुए कार्यसूचि राखलगेल लगानी वोर्ड विधेयकमे बिमर्श आ विधायन समितिके मेलमिलाप सम्बन्धि विधेयक पेश करयके सम्भावना रहल अछि । उर्जा संकटके लेल आयोग गठन करयके विधेयक पेश करत कहितो आइ ओ पेश नहि हाएत संसद सचिवालयक प्रवक्ता मुकुन्द शर्मा जानकारी देलनि । आजुक बैसारमे सभासदसभ आरो समसामयीक विषयमे सेहि बात रखताह बताओलगेल अछि ।

कांग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार बैसय जा रहल

काठमाण्डौ, चैत १३ । प्रमुख प्रतिपक्ष नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार आइ बैसय लागल अछि ।
बेरियाके ३ बजे पार्टी कार्यालय सानेपामे बजाओलगेल बैसारमे सत्तासिनदलसभसँग शान्ति प्रकि्रया आ संविधान निर्माणक सम्बन्धमे भरहल वार्ताके विषयमे बिमर्श हाएत । पदाधिकारी मनोनयनके विषयमे सभापति सुशील कोइरालाके प्रस्तावमे देउवापक्ष असन्तुष्टि जनौलाक बाद लम्बा समयस नियुक्त होबय नहि सकल अछि ।
भ्रातृसंगठनमे विवाद बढैत गेलाबाद कांग्रेस ओइके विघटनके तयारी सेहो केने अछि । विवाद समाधान करय गठन भेल समिति सेहो विघटनके सिफारिस केने अछि । मुदा शेरबहादुर देउवा पक्ष  ओइमे असन्तुष्टि जनबैत आएल अछि ।

संवैधानिक समितिक बैसार बैसय जा रहल

काठमाण्डौ, चैत १३ ।  राज्य पुनसर्ंरचनाके विषयमे बिमर्श करय लेल संवैधानिक समितिक बैसार बैसय जा रहल अछि । अखने किछ काल बाद संविधानसभाक सचिवालय सिंहदरबारमे बैसय लागल बैसारमे दलसभबीच विवादीत रहल राज्य पुनसर्ंरचनाके कोनाक निश्कर्ष लगाओल जाए विषयमे बिमर्श हाएत । दलसभबीच नयाँ संविधानमे कतेक प्रदेश राखल जाए बिषयमे विवाद अछि । एकीकृत नेकपा माओवादी, नेकपा एमाले आ मधेसवादी दल १४ प्रदेश राखयके सहमत रहितो नेपाली कांग्रेस ओइमे आायोग गठन कऽक निश्कर्ष लगाबय परत अडान रखैत आएल अछि । कांग्रेस वाहेकके आरो दल आयोग गठन करयके समय समाप्त भेलास संविधान संसोधन करयके माँग करैत आएल अछि ।
आजुक बैसारमे संवैधानिक समितिमे रहल राज्य पुनसर्ंचनाके प्रतिवेदन विवाद समाधान करय बनल संवैधानिक उपसमितिमे पठाबयके विषयमे बिमर्श हाएत ।

फ़्रांस लीबियाके पांच टा लड़ाकू विमान खसौलक


ऐजेन्सी, चैत १३ । लीबियाई सरकारके पांच टा लड़ाकू विमान आ २ टा हेलीकॉप्टरके फ़्रांस नष्ट केने दाबी केलक अछि । मिस्राता शहरमें विद्रोही आ गद्दाफ़ीके सेना बिच हमला भ रहल ठाममे ई कारबाही कएलगेल फ़्रांस सरकारक एक प्रवक्ता बतौलनि अछि ।
गद्दाफ़ी, विद्रोही पर हमला करय जा रहल समय अई लड़ाकू विमानके खसाओलगेल प्रवक्ता दाबी केलनि अछि ।
ओम्हर, लीबियाके पूर्व में अजदाबिया शहर पर कब्ज़ा केलाबाद विद्रोही आब देशके पश्चिमदिस बढ़ैत ब्रेगा शहरदिस जा रहल बताओलगेल अछि ।

बितल सप्ताह गठबंधनके हवाई हमलास पहिने विद्रोहीके पूर्वके बहुतो शहरस पाछु हटय परल छल ।
लीबियाई सरकारके कहब अछि जे गठबंधनके सेना अजदाबिया आ सिर्ते शहरके बीचके इलाक़ामे हवाई हमला क रह अछि ।
गेट्स कहलनि जे गठबंधन हमलामें आमलोगसभके मृत्यु होबयके कोनो खबर नहि अछि ।
अहिबीच, अमरीकाके रक्षामंत्री रॉबर्ट गेट्स कहलनि जे गद्दाफ़ीके सेना मृत्यु भेलसबहक लाशके गठबंधन हवाई हमला क रहल स्थानमे राखि कऽ आम नागरिकके हत्याके आरोप गठबंधन पर लगाबय चाहि रहल अछि ।
ओम्हर, लीबियामे गठबंधन सेनाके हमला स अखनधरि १०० गोटेके मृत्यु भेल लिबिया सरकार दाबी क रहल अछि ।

इङ्गलैण्डकेँ १० विकेट सँ हरवैत श्रीलंका सेमिफाइनलमे


कोलम्वो, चैत १२ । दिलशान आ उपुल थरंगाक अविजित शतकिय पारीक मद्दत सँ श्रीलंका, इङ्गलैण्डकेँ १० विकेट सँ हरवैत सेमिफाइनलकेँ यात्रा तय करयमे सफल भेल अछि ।
श्रीलंकाक दिलशान १ सय ८ आ थरंगा १ सय २ रन बना इङ्गलैण्डद्वारा प्रस्तुत २ सय ३० रनक विजयी श्रीलंका निर्धारित ओभरकेँ ३९ दशमलव ३ ओभरमे लक्ष्य पार करयमे सफल भेल अछि । अहि सँ पहिने टस जित कऽ व्याटिङ्ग करैत इङ्गलैण्ड निर्धारित ओभरमे ६ विकेटक नोक्सान पर २ सय २९ रन बनौने छल । जाहिमे ट्रोट ८६, आ मोर्गन ५० रन छोरि अन्य कोनो खेलाडी वढिया प्रदर्शन करय नहि सकल छल ।
श्रीलंकाकलेल मुरलीधरन २, मलिङ्गा,दिलसान, म्याथ्युज आ मेन्डिस एक एक विकेट लेवयमे सफल भेल छल ।
खेलक म्यान अफदि म्याच दिलशानकेँ प्रदान कएलगेल अछि ।
आव सेमी फाइनल खेलमे भारतकेँ पाकिस्तान सँ आ श्रीलंकाकेँ न्युजिलैण्ड सँ म्याच हैत । सेमी फाइनलमे जे दुटा टिम बिजयी हैत ओहि दुनु टिमकेँ विच फाइनल म्याच खेलल जायत ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन