Monday, August 01, 2011

जनकपुरमे आई प्रदर्शन


साउन १६, जनकपुरधाम । नेपाल रेलवेके ब्रोडगेज विस्तार करक क्रममे जमिन अधिग्रहण बिभेदपूर्ण तरिकासँ कएल जा रहल कहैत जनकपुरमे आई प्रदर्शन कएलगेल अछि।
नेपाल रेल्वे पिडित संघर्ष समिति बिभेदपूर्ण तरिकासँ जमिन अधिग्रहण कएल जा रहल कहैत नगर क्षेत्रमे विरोध प्रदर्शन करक संगहि जिला प्रशासन कार्यालय धनुषामे १० सुत्रीय माँग रखैत ज्ञापन पत्र प्रस्तुत कएलक अछि।
रेलवे विस्तारके क्रममे एखनुक रेलवे स्टेशनसँ पूर्व जमिन अधिग्रहण करक काज अन्तर्गत नाप नक्सा भऽचुकल मुदा स्टेसनसँ पश्चिम किछु राजनैतीक दलक नेता,उधोगी, व्यापारीसभक राजनैतीक पहुँचके कारण ओहि क्षेत्रक जमिन अधिग्रहण नइ कऽबिभेदपूर्ण नीति अपनाओल जा रहल संघर्ष समितिक अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी आरोप लगओलन्हि अछि।
एखनि प्रस्तावित कएलगेल रेल्वे स्टेशनके लम्बाई पूर्वमे जालईद नदी धरि कायम करैत पूर्व,पश्चिम,दक्षिण, उत्तरमे समान रुपसँ जमीन अधिग्रहण करक,पिडितसभके नगरपालिका क्षेत्रमे पुनर्वासके व्यवस्था करक,अधिग्रहणमे परल घर जमिनके चलन चल्तिसँ दोब्बर मुआवजा उपलब्ध कराबक संघर्ष समितिके माँग अछि।
घर परिवार विहिन रेलवे पिडितके घरपरिवारसँ एक आदमीके रेलवेमे रोजगारीके व्यवस्था,मुआवजा निर्धारण समितिमे संघर्ष समितिक सदस्यके प्रतिनिधित्व सहितक माँग  संघर्ष समिति प्रस्तुत कएलक अछि।

प्रधानमन्त्री खनाल मन्त्रिपरिषद् पुनर्गठन क रहल


१६ साउन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आइ मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन क रहल छथि ।

पार्टीक माधवकुमार नेपाल आ केपी शर्मा ओली पक्ष आ प्रमुख प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेसक विरोधक बावजुत प्रधानमन्त्री खनाल मन्त्रिपरिषद हेरफेर करय लागल छथि ।

 प्रधानमन्त्री खनाल एकीकृत नेकपा माओवादीके ९ आ मधेसी जनअधिकार फोरमक एक मन्त्री सहभागी करा क मन्त्रिपरिषद हेरफेर करय लागल छथि ।

१० गोटे मन्त्रीसबहक सपथ आइ साँझ ५ बजे राष्ट्रपति भवन शितल निवासमे होबय जा रहल अछि । मन्त्रीसब देने सामुहिक राजिनामा फिर्ता भेल पत्र माओवादी प्रधानमन्त्रीके पठौलाबाद सपथके वातावरण बनल प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा जानकारी देलनि ।

सपथ लेबयबला माओवादीके दिससँ उपप्रधान एवं गृहमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ, सञ्चारमन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी, शान्तिमन्त्री पम्फा भुषाल, स्वास्थ्यमन्त्री लोकेन्द्र विष्टमगर, भूमिसुधारमन्त्री हिसिला यमी, उद्योगमन्त्री महेन्द्र यादव, महिला बालबालिका तथा समाजल्याणमन्त्री जयपुरी घर्ति आ खेलकुद मन्त्री ओनसरी घर्ती रहल अछि ।

माओवादी वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्रीमे सिफारिस केने लेखराज भट्टके विज्ञान तथा प्रविधि मन्त्रालयके जिम्मेवारी देल जाएत प्रधानमन्त्रीके कार्यालय जनौलक अछि ।

अहिना, वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्रीमे फोरमक केन्द्रीय सदस्य विजयकुमार यादव सपथ लेताह ।

माओवादी हाल सरकारमे रहल ३ मन्त्री आ ३ राज्यमन्त्रीसहित २४ गोटेके नाम सिफारिस करितो प्रधानमन्त्री ९ गोटे मन्त्रीसबके मात्र शपथ कराबय लागल छथि । माओवादी सिफारिस केने ९ गोटे राज्यमन्त्रीके तत्काल सपथ नहि कराओल जाएत ।

करिब सात लाख पर्यटक नेपाल आएल


१६ साउन, काठमाडौं । नेपाल पर्यटन वर्ष २०११ अभियानके घोषणा भेल करिब सात महिनाके समयमे करिब सात लाख पर्यटक नेपाल आएल अछि ।

नेपाल पर्यटन बोर्ड आइ पत्रकार सम्मेलन क वर्षके अन्त्यधरि लक्षित दश लाख पर्यटक आबयके विश्वास व्यक्त केलक अछि । पर्यटन वर्षके प्रचारप्रसारसँ देशव्यापीरुपमे पर्यटन प्रवर्द्धनके लहर फैलल, अन्तर्राष्ट्रिय क्षेत्रमे नेपाल भ्रमण करय खतरा नहि रहल प्रभाव रहल, सरकारक दिससँ पूर्णरुपमे सहयोग रहलासँ सबसँ पैघ उपलब्धि रहल सम्मेलनमे जानकारी देल गेल छल ।

पर्यटन वर्ष घोषणाबद आन्तरिक तथा बाहृय क्षेत्रमे प्रचारप्रसार करयके क्रममे हालधरि भेल २५ टा अन्तर्राष्ट्रिय मेला मेसँ सात टा युरोप, दु टा अमेरिका, छ टा भारत आ दस टा एसियामे भेल छल ।

आगामी दिनमे बितल सालके बजेटमे व्यवस्था भेल १३ करोड रुपैयामेसँ तीन करोड चीन,  छ करोड भारत आ बाँकी  ४ करोड अन्य देशमे प्रचारप्रसारके लेल खर्च कएल जाएत नेपाल पर्यटन बोर्ड जनौलक अछि ।

ब्राजिल काठमाडौंमे दुतावास खोलत


काठमाडौं, श्रावण १६ । नेपालसँग कुटनीतिक सम्झौता भेल ३५ बर्षके बाद ल्याटिन अमेरिकी देश ब्राजिल काठमाडौंमे अपन दुतावास खोलय लागल अछि । आवासीय राजदूतके जिम्मेवारी ल ब्राजिलियन कुटनीतिक अधिकारी एक महिनामे काठमाडौं आबय लागल अछि ।

 'डेढ बर्षआगु नेपाल ब्राजिलके ब्रासिलियामे दुतावास खोलिते ओतहके मन्त्रीपरिषद पारस्परिक सहयोग-सम्बन्ध आधारमे काठमाडौंमे अपन दुतावास खोलयके निर्णय केने छल,' ब्रासिलियास्थित राजदूत प्रद्युम्नबिक्रम शाह कहलनि जे अखनधरि ब्राजिलके काठमाडौंमे कन्सुलेट कार्यालय मात्रे रहल अछि ।

ब्राजिलमे रहल नेपाली दुतावास उदघाटन करयके तथा ब्राजिल सरकारसँग विभिन्न तीन सम्झौतामे हस्ताक्षर करय परराष्ट्र मन्त्री उपेन्द्र यादव आइ ब्रासिलिया पहुँचल छथि । समकक्षी मन्त्री एन्टिनियो पाट्रियोटियाके निमन्त्रणामे ब्राजिल पहुँचल मन्त्री यादवले दु सरकारबीच प्राविधिक सहयोग आदानप्रदान तथा द्वैदेशीय परामर्श संयन्त्र स्थापना करय बिषयमे सम्झौतामे हस्ताक्षर क रहल छथि ।

अहिबाहेक, दुनु देशक सरकारी तहके कर्मचारी दु देशके भ्रमण करैत काल भिसा नहि लागयके प्रावधानसम्बत्रन्धी सम्झौतामे सेहो मन्त्रीस्तरमे हस्ताक्षर होबय लागल अछि ।

 एक सप्ताह लम्बा भ्रमणमे परराष्ट्र मन्त्रीके साथमे सहसचिव धनन्जय झा सेहो ब्राजिल पहुँचल छथि ।

भट्ट शपथ नहि लेताह


काठमाडौं, श्रावण १६ । माओवादी वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्रीमे सिफारिस केने लेखराज भट्ट शपथ नहि लेताह बताओलगेल अछि ।

वायह मन्त्रालयके लेल मधेसी जनअधिकार फोरम एक नेताके सिफारिस केलाबाद भट्ट शपथ नहि लेताह जनाओलगेल अछि । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल भट्टके विना विभागीय मन्त्रीमे शपथ खुवाबय लगलाबाद ओ  पद अस्वीकार केने छथि ।

 मन्त्रालय बाँटफाँटमे ओ मन्त्रालय फोरमके हिस्सामे छल । मन्त्रालयके जिम्मेवारी सेहो अखन उपप्रधान एवं परराष्ट्रमन्त्री उपेन्द्र यादव सम्हारने छथि । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल अपने निवासमे बजा क भट्टके मनाबयके प्रयास केलनि अछि ।

माओवादी पोलिट्ब्युरो सदस्य भट्ट कैलाली क्षेत्र नम्वर ५ सँ निर्वाचित छथि । ओ अहिसँ आगु श्रम मन्त्रालयके जिम्मेवारी सम्हारि चुकल छथि ।

शपथ अन्योलमे

अहिबीच आइ हाएत कहलगेल माओवादीके नयाँ मन्त्रीसबहक शपथ अन्योलमे परल अछि ।

प्रधानमन्त्री रखने शर्तमे माओवादीसँ सकारात्मक जवाफ नहि आएल कहैत शपथ अन्योलमे परल प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्री  खनाल उपप्रधान एवं गृहमन्त्री कृष्णबहादुर महरा सहितक सव मन्त्रीसबहक सामूहिक राजीनामा फिर्ता क सकारात्मक वातावरण निर्माण करय आग्रह केने छलथि ।

प्रधानमन्त्री आ माओवादीक कारण संकटः कोइराला


१६ साउन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला राजनीतिक संकट बढैत जाएमे प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आ एकीकृत नेकपा माओवादी मुख्य रुपमे जिम्मेवार रहल आरोप लगौलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल पाँचबुँदे सहमति अनुसार राजीनामा नहि द क आलटाल क रहलासँ राजनीतिक संकट आरो बढैत गेल सभापति कोइरालाके कहब छल । पत्रकारसबहक पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन सरोकार समितिक सदस्यसबसँग आइ अपने निवास महाराजगञ्जमे भेल भेटमे कोइराला प्रधानमन्त्रीके राजीनामा नहि आबयधरि संसदमे अबरोध जारी राखयके चेतावनी देलनि । सहमतिमे बाधा पहुँचाबय प्रधानमन्त्री खनालके राजीनामा देबयके समयमे मन्त्रिमण्डल पुनर्गठनमे लागि क गैर जिम्मेवारीपना प्रकट क रहल कोइरालाक कहब छलनि ।

कोइराला प्रधानमन्त्रीके ध्यान शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणके निष्कर्षमे पहुँचाबयसँ बेसी आलटाल क क समय व्यतित करयमे केन्द्रित रहल आरोप लगौलनि    माओवादी पहिनहु सम्झौतासबके पालनामे इमान्दार नहि देखल गेल आरोप लगबैत सभापति कोइराला ओ जिम्मेवार नहि हाएत त आगामी १० वर्षमे सेहो संविधान नहि लिखाएत दाबी कएलनि ।

धर्नामे बैसल १ सय शिक्षक पुलिसक नियन्त्रणमे


१६ साउन, काठमाडौँ । प्रक्रिया पहुँचा क स्थायी करयके  माँग करैत शिक्षा मन्त्रालय आगु धर्नामे बैसल १ सय स बेसी शिक्षकसबके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

चरणबद्ध आन्दोलन करैत आएल अस्थायी शिक्षकसब भिन्सर  १० बजेसँ शिक्षा मन्त्रालयके मुल गेटमे धर्ना देने छल । अस्थायी शिक्षक आन्दोलन केन्द्रीय समितिक अध्यक्ष निरेन्द्र कुँवर सरकार जायज माँग सम्बोधन करयके बदला गिरफ्तार क क शिक्षकसबहक अपमान केने बतौलनि । काल्हि संविधानसभा भवन नयाँबनेश्वर आगु दु घण्टा धर्ना देने अस्थायी शिक्षक आइसँ हरेक दिन १० सँ १२ बजेधरि शिक्षा मन्त्रालयके मूलगेटमे धर्ना देबयके घोषणा केने छल ।


विवादित विषयमे जल्दिए सहमति खोजय निर्देशन


१६ साउन, काठमाडौँ । भावी संविधानक पहिल एकीकृत मस्यौदा जारी करयके जिम्मेवारी पौअने संवैधानिक समिति अपना अन्तर्गतके विवाद समाधान उपसमितिके विवादित विषयमे जल्दिए सहमति जुटाबय निर्देशन देलक अछि ।

लम्बा समयबाद अपने कार्यकक्ष सिंहदरवारमे आइ भिन्सर बैसल समितिक बैसारसँ भादव १४ लक्चिया रहल कहैत एहन निर्देशन देलक अछि । बैसारमे पछिला बेर थप कएलगेल संविधानसभाके कार्यकाल समाप्त होबय १ महिना मात्र बाँकी रहितो संविधान निर्माण आ शान्तिप्रक्रियाकर काम गति नहि लेने कहैत सदस्यसब चिन्ता जनौने छल ।

संविधानसभाक म्याद थप करय आगु बितल १४ जेठमे भेल पाँचबुँदे सहमतिमे आगामी १४ भादवधरिमे संविधानक पहिल एकीकृत मस्यौदा जारी भ जाएत उल्लेख होइतो दलसबबीच राज्य पुर्नसंरचना, शासकीय स्वरुप आ निर्वाचन प्रणालीके २७ विवादित विषयमे बात मिलय नहि सकलास ओ समय सीमाभितर मस्यौदा नहि आबयके निश्चित  देखलगेल अछि ।

बैसारमे उपसमिति संयोजक माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड विवाद समाधानके प्रयासमे उपसमिति केने कामसब समेटल प्रगति विवरण पेश कएने छलथि । समितिके बैसार बुधदिन भिन्सर ८ बजे फेर बजाओलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन