Saturday, August 13, 2011

नैतिकताके आधारमे प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबय परतः पोखरेल


२८ साउन, काठमाडौं । नेकपा एमालेक महासचिव इश्वर पोखरेल नैतिकताके आधारमे प्रधानमन्त्रीके तत्काल राजीनामा देबय परत बतौलनि अछि ।

एमाले मुख्यालय बल्खुमे आइ आयोजित कार्यक्रममे महासचिव पोखरेल राष्ट्रिय सहमति, शान्ति आ संविधान निर्माण करय सरकार असफल रहल बतौलनि ।

महासचिव पोखरेल अहिसँ आगु कहल जका शान्ति प्रक्रियामे तत्काल  ब्रेक थ्रुके कोनो सम्भावना नहि रहल बतौलनि ।

पाकिस्तानमें एक अमरीकी नागरिकके अपहरण


साउन २८ बिबिसि एजेन्सी । पाकिस्तानमें हतियारधारी अज्ञात समुह एकटा अमरीकी नागरिकके अपहरण केलक अछि ।

पाकिस्तानक अमरीकी दूतावास अपहरण भेल स्वीकार केलक अछि मुदा ओ अपहरण होबयबलाके पहचान बताबऽ नहि चाहलक अछि ।

अपह्तरित व्यक्ति कबायली इलाक़ामें जेई ऑस्टिन नामक कम्पनीमे बितल पांच सालसँ काज कऽरहल आ आब ओ अपहरणमे परल पाकिस्तानी सँचार माध्यमसँ बात करैत एकटा पुलिस अधिकारी बतौलक अछि ।

क़रीब आठ गोटेके समुहमे रहल हतियारधारी समुह आइ भिन्सर करिब साढ़े तीन बजे दिस अपहरण कऽक लऽगेल पुलिस जनौलक अछि ।

भादवके पहिल सप्ताह शान्ति प्रक्रिया आगु बढतः दाहाल


काठमाडौं, श्रावण २८ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल भादवके पहिल सप्ताहसँ शान्ति प्रक्रिया आगु बढत दाबी कएलनि अछि ।

 धनकुटा-काठमाडौं गणतान्त्रिक मञ्च आइ राजधानीमे आयोजना केने एक कार्यक्रममे दाहाल सहमतिएसँ शान्ति आ संविधान निष्कर्षमे पहुँचत बतौलनि । 'देश आब पाँच बुँदे सहमतिके रास्तासँ आगु बढत' ओ कहलनि जे, 'सहमतिमे भादवके पहिल सप्ताह शान्ति प्रक्रिया आगु सेहो बढत आ संविधानक पहिल मस्यौदा तयार हाएत ।'

 दाहाल भादवके पहिल सप्ताहधरिमे माओवादी लडाकुसबहक बर्गीकरण प्रक्रिया सुरु करयके जानकारी देलनि ।

सत्तारुढ पाँच दलक बैसार जारी


२८ साउन, काठमाडौं । सत्तारुढ पाँच दलक शीर्ष नेतासबहक बैसार अखन बैसल अछि ।

प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे जारी बैसारमे पछिला राजनीतिक परिस्थितिबारे बिमर्श भऽरहल प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा जानकारी देलनि ।

बैसारमे शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबयके तथा राजीनामा देबयके प्रधानमन्त्रीके घोषणाबारे सेहो बिमर्श हाएत ।

विकल्प तयार नहि होबयधरि राजीनामा नहि देब खनालक संकेत


२८ साउन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल राष्ट्रिय सहमतिके विकल्प तयार नहि होबयधरि राजीनामा नहि देबयके संकेत केएलनि अछि ।

प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेतासबहक आइ भिन्सर बैसल बैसारमे खनाल दलसबबीच राष्ट्रिय सहमतिके विकल्प तयार नहि हाएत त राजीनामा नहि देब मनसाय रखने बताओलगेल अछि ।
एखुनक अवस्थामे अपने राजीनामा देब तऽ आगामी भादव १४ गतेधरिमे सहमतिके सरकार नहि बनत आ ओहन अवस्थामे कामचलाउ सरकार संविधानसभाके म्याद थपाएत तऽ बैधानिकताके प्रश्न उठ्त हुनक तर्क छलनि ।

अहिसँ आगु प्रधानमन्त्री खनाल आइधरिमे शान्ति प्रक्रियाके मूलभूत काम सम्पन्न करय जका विश्वासके वातावरण नहि होबयधरि राजीनामा देबयके घोषणा कएने छलथि ।

बैसारमे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड शान्ति प्रक्रियाबारे केन्द्रीय समिति केने निर्णय जानकारी करबैत नयाँ कोनो प्रस्ताव नहि आबयके जानकारी करौने छलथि ।

तीन दलक बैसारमे कांग्रेस प्रधानमन्त्री पाँचबुँदे कार्यान्वयन करय आलटाल केने आ अपन घोषणाके बाद हटल कहैत आपत्ति जनौलक अछि । अहिना कांग्रेस बैसारमे संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चा आ छोट दलसबहक गठवन्धनके समेत सहभागी कराबयके अडान रखलाबाद कोनो सहमति होबय नहि सकल ।

सरकार आ मुक्ति मोर्चाबीच वार्ता जारी


२८ साउन, हेटौंडा । सरकार आ तराईमे सशस्त्र गतिविधि करैत आएल संयुक्त जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा पवन गिरी समूहबीच वार्ता भऽरहल अछि ।

हेटौंडास्थित क्षेत्रिय स्वास्थ्य निर्देशनालयमे जारी वार्तामे शान्तिमन्त्री पम्फा भुषाल मोर्चाके संयोजक गिरी सहितक नेतासबहक सहभागिता अछि । वार्तामे मोर्चा रखैत आएल माँगबारे सहमतिके प्रयास हाएत ।

ओ पुलिस हिरासतमे रहल अपन नेता कार्यकर्ताके रिहा करयके, तराईके अन्य समूहसबसँग सेहो वार्ता करयके सहितक माँग रखने अछि ।

पत्रकारके जान मारयके धम्की देलासँ आपत्ति


२८ साउन, विराटनगर । एमाले निकट युवासंघ मोरङ अध्यक्ष रविन थापा अपनासबके विरुद्ध लागयबला सब पत्रकारके खिलानाथ ढकालके जेहन आक्रमण ककऽ घाइ बना देबयके धम्की देने कहैत पत्रकार सम्वद्ध विभिन्न संघसंस्था आपत्ति जनौलक अछि

एमाले निकट युवासंघ मोरङके अध्यक्ष रविन थापा अपनासब विरुद्ध लागयबला सब पत्रकारके खिलानाथ ढकालके जेहन आक्रमण ककऽ घाइ बनादेबयके धम्की देने कहैत पत्रकार सम्वद्ध विभिन्न संघसंस्था आपत्ति जनौलक अछि । ढकाल आक्रमणक दोषीके कानुनी कारबाहीक माकरैत आन्दोलन जारी रखने कहैत थापा २६ साउनम सार्वजनिक स्थल धम्की देने ओ सब बतौलनि अछि

धम्कीप्रति नेपाल पत्रकार महासङ्घ पूर्वाञ्चल संयोजक मोहनकाजी न्यौपाने, मोरङ अध्यक्ष विक्रम निरौला, क्रान्तिकारी पत्रकार सङ्घक जिल्ला संयोजक गणेश लम्साल, प्रेस युनियन सभापति कुमुद अधिकारी प्रेस चौतारीक माधव अधिकारी संयुक्त विज्ञप्ति निकालि कऽ आपत्ति जनौने छथि । अध्यक्ष थापा पत्रकारके जान मारयके धम्की देने सन्दर्भम मोरङम कार्यरत पत्रकार उपर कोनो खतरा आएत त ओकर जिम्मेवारी युवासङ्घकेेबय परत विज्ञप्तिम स्पष्ट कएलगेल अछि

facebook Page Like

  • मनोरँजन