Wednesday, November 16, 2011

शैक्षिक योग्यताके सर्त सच्याब लडाकुके दबाब


३० कात्तिक, काठमाडौँ । सातबुँदे सहमतिमे उल्लेखित लडाकुके शैक्षिक अवस्थाके सर्तसँ बेसी योग्य आ सक्षम लडाकुसबके समायोजनमे जाएसँ वञ्चित केलाबाद समायोजनके पक्षमे रहल लडाकु कमाण्डरसब आक्रोशित भेल अछि ।

सातबुँदे सहमतिमे लडाकुके शैक्षिक अवस्थामे एकतह कम रहत उल्लेख होइतो माओवादी सेनामे प्रवेश करैतकाल ओ तह पास भेल होबयके उल्लेख अछि । मुदा, अधिकांश लडाकु कमाण्डरसब शान्तिप्रक्रियामे औलाबाद मात्रे एसएलसी पास केने अछि । शान्तिप्रक्रियामे औलाबाद ओसब हासिल केने शिक्षासँ समायोजनमे जाएमे सहयोग नहि पहुँचय भेलाबाद सक्षम  आ सेनामे जाए चाहयबला लडाकु सेहो निराश भेल कमाण्डरसब बतौलक अछि ।

एक डिभिजन कमाण्डर कहलनि जे-कम्पनी कमाण्डरसँ उपरके बहुते साथीसब अधिकृत तहमे जाए योग्य छथि मुदा हुनकासबहक शैक्षिक अवस्थासँ समायोजनमे जाए सकयके अवस्था नहि अछि ।सातबुँदे सहमति करैत काल माओवादी नेतृत्व सावधानी नहि अपनौने कारण समायोजनमे नहि जाए वैद्य पक्ष केने आह्वानमे बल पहुँचल ओ कमाण्डरके कहब अछि । शैक्षिक अवस्थाके सर्तमे पुनर्विचार नहि कएल गेल तऽ केउ लडाकु समयोजनमे नहि जाएत हुनकासबहक दाबी अछि । सातबुँदेमे देखलगेल अस्पष्टता निवारण कऽ देबाक लेल  डिभिजन कमाण्डरसब माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड आ प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईसँग भेट केने छलथि । किछ दिन आगु भेल भेटमे प्रचण्ड एखुनक शैक्षिक योग्यता गणना हाएत बतौने छलथि । मुदा, सम्झौतामे माओवादी सेनामे प्रवेश करैत कालके शैक्षिक अवस्था गणना होयबाक उल्लेख अछि ।

ब्राजीलियन मॉडल एड्रियाना लीमा








योगा सिखु









हम अहिना गाना गबैत छी




मलेसियमे नेपाली कामदार आन्दोलित


३० कातिक क्वाललम्पुर । मलेसियामे कार्यरत नेपाली कामदार अपनासब उपर अपमान भेल कहैत आन्दोलनमे उतरल अछि ।

जोहोर वातुपहातमे रहल रामाटेक्स कम्पनीमे कार्यरत नेपाली श्रमिकसब अपनासब उपर भेल अपमानके विरोधमे श्रमिकसब आइ भिन्सरेसँ कामकाज ठप्प कऽ आन्दोलनमे उतरल अछि । रामाटेक्स कम्पनीमे कार्यरत महोत्तरीके पञ्च शाह उपर कम्पनी मालिक अभद्र व्यवहार केने विरोधमे नेपाली श्रमिक आक्रोशित भेल अछि ।

काममे व्यस्त रहल समय शाहके कम्पनीके साहु कम्पनीमे रहल पाथर फेकयमे अबेर केने आरोपमे कम्पनी मालिक दु थप्पड मारयके सँगहि ओ पिव रहल सिगरेट मुहँमे लऽ जाऽक सटादेने वायह कम्पनीमे कार्यरत दोसर नेपाली सूर्यकुमार रेग्मी बतौलनि ।

अहिबीच कम्पनी मालिक केने दुव्र्यवहार विरुद्ध नेपाली केने आन्दोलनमे भियतनामी आ वंगलादेशी श्रमिकसब सेहो ऐक्यबद्धता जनौने अछि । आन्दोलन भडकलाबाद अखन कम्पनीमे पैघ संख्यामे पुलिसके परिचालन कएलगेल अछि । सब श्रमिकसब कम्पनीके आवास गृहमे एकतृत भऽ बैसल अछि ।

अपनासबहक आन्दोलनके बारेमे नेपाली श्रमिकसब ओइठाम स्थित नेपाली दूतावासके जानकारी करौलक अछि । श्रम सहचरी सूर्यप्रसाद भण्डारी अपने कम्पनीमे जाऽ  समस्या समाधान करयके प्रतिबद्धता जनौलनि अछि । टेक्सटाईल उत्पादन हवबयबला ओ कम्पनीमे करिब एक हजारसँ बेसी नेपाली ३ सय ५० भियतनामी आ ६० बंगलादेशी कार्यरत अछि ।

भारतीय प्रहरीद्वारा नेपालेमे नेपालीके बन्धक


नेपालगन्ज, कार्तिक ३० । नेपालगन्जमे एक गोट नेपाली युवाके अघोसित रुपमे बन्धक बना कऽ भारतक महाराष्ट्रसँ आएल तीन गोट पुलिस नेपालगन्ज होइत काठमाण्डौ पहुँचल अछि ।

महाराष्ट्रस्थित ठाणें भिउण्डी थानाके पुलिस हिरासतमे लेने अछाम तोली३ के उपा रावलके नेपालगन्जक अछाम मेचीकाली होटलमे बन्धक बनौने अछि ।

महाराष्ट्र पुलिस १२ दिनसँ बन्धक बनौने रावलके नेपालगन्जमे छोडि कऽ काठमाण्डौ पहुँचल अछि । कतौक  नहि जाएब हम घुरि कऽ एलाबाद संगे मुम्बई जाए परत कहि कऽ गेल आ भागि कऽ घर पहुँचलाबाद  ज्यानके खतरा भेल ओ यूवा बतौलक अछि ।

महाराष्ट्र पुलिस शिवसेनाके एक गोटे नेताके घरमे चोरी भेलाबाद ३६ नेपाली यूवाके गिरफ्तार कऽ गैरन्यायीक ढंगसँ बन्दी बनौने अछि ।

बन्दी बनाओलगेल मेसँ एक उपा रावलके चोरी केने घरक पता लगादेबय लेल कहैत भारतीय पुलिस नेपालगन्ज नाकासँ आनि कऽ होटलमे छोडि कऽ काठमाण्डौं पहुँचल अछि ।

नेपाल भित्रे भारतीय पुलिसक नियन्त्रणमे रहय बाध्य भेल रावल पुलिस शारिरीक आ मानसिक यातना देने बतौलक अछि ।

४ किलो सोना आ ३ लाख रुपैयाँ चोरी करयबलाके गिरफ्तार करयके अछि कहैत बन्धक बनाओलगेल रावल हतियार सहित आएल भारतीय पुलिस ज्यान मारयके डरसँ भागि कऽ घर जाए नहि सकल बतौलक अछि । 

अछामस्थित तोली गाउँके दु भाई गोबिन्द, एकिन्द्र आ कमल रावल सहित १९ गोटेके नो ईन्ट्रि अन्तरगत थुनामे रखने ओ बतौलनि ।

एकमतसँ अन्तरिम संविधान संशोधन करय दलसब सहमत


३० कात्तिक, काठमाडौँ । प्रमुख तीन दलबीच सरकार लौअने अन्तरिम संविधानक ११ हम् संशोधन विधेयक सातबुँदे सहमतिके मर्मअनुसार एकमतसँ पारित करयमे सहमति भेल अछि ।

सातबुँदे सहमति कार्यन्वयनके समीक्षा आ पछिला राजनीतिक अवस्था सहितक विषयमे बिमर्श करय आइ  सिंहदरबारस्थित शान्ति तथा पुनर्निमाण मन्त्रालयमे करिब २ घण्टाधरि भेल बैसारसँ ओहन निर्णय केलक अछि । अहिना बैसारसँ संविधानसभा गठन करयबला विज्ञ समूहक कार्यक्षेत्रबारे सेहो सहमति जुटौलक अछि । दलसब विज्ञ समूह राज्यपुर्नसंरचानाके लेल सुझाव मात्रे देबयमे सहमत भेल अछि । प्रमुख दलसबबीच आयोगके बदला विज्ञ समूह गठन करयके विषयमे सहमति भेल जकाँ आइ व्यवस्थापिका संसदमे अन्तरिम संविधानक ११ हम् संशोधनके लेल मतदान भऽ रहल अछि ।

बैसारमे माओवादी, कांग्रेस आ एमालेक शीर्ष नेता सहभागी छलथि । बैसारमे अन्तरिम संविधानमे उल्लेख भेल सत्य निरुपण तथा मेलमिलाप, बेपत्ता खोजबिन आयोग गठनक विषयमे समेत बिमर्श होइतो ओइ बिषयमे कोनो  सहमति नहि भेल । दुनु आयोग गठन सम्बन्धी विधेयक हाल व्यवस्थापिका संसदमे विचाराधीन अछि ।

बेलायती प्रधानमन्त्री नेपाल आबय इच्छुक


लन्डन, कार्तिक ३० । संयुक्त अधिराज्यके प्रधानमन्त्री डेभिड क्यामरुन नेपाल भ्रमण करयके अपन इच्छा रहल बतौलनि अछि ।

१३ नोभेम्वरके लडाईंमे वीर गति प्राप्त योद्धासबहक यादमे करय लागल आयोजित रिमेम्वरेन्स् सन्डेसमारोहमे नेपाली राजदूत डा. सुरेशचन्द्र चालिसेके नेपाल भ्रमण आबयके ओ आश्वासन देलनि अछि ।

राजदूत चालिसे १९७ वर्ष सँ आमनेपाली जनता आ गोर्खालीसब ब्रिटिश प्रधानमन्त्रीके नेपाली भूमिमे स्वागत करय तयार रहलबारे ध्यानाकर्षण करौलाबाद प्रधानमन्त्री क्यामरुन आबयके तिथी अखने तोकय नहि सकलाबाद एकबेर नेपाल आबयके इच्छा व्यक्त केने दूतावास श्रोत जनौलक अछि।


अभिषेक-ऐश्वर्याके पहिल सन्तान बेटी


जनकपुरधाम, कार्तिक ३०   बलिउड चर्चित अभिनेत्री ऐश्वर्या राय आइ बेटीके जन्म देलिह अि

अभिषेक बच्चनऐश्वर्याक पहिल सन्तानक रुपमे बेटी भेल पिता अभिषेक बलिउड अभिनेता एवं बाबा बनल अमिताभ बच्चन अपन टि्वटरमे लिखने छथि । ऐश्वर्या किछ दिनसँ हिल्स अस्पतालम भर्ना भेल छलिह

नयाँ सन्तानक स्वागतके लेल बच्चन परिवारम भव्य तयारी कएलगेल भारतीय सञ्चार माध्यमसब जनौलक अछि बेटीक जन्म भेलाबाद अभिषेक-ऐश्वर्या बाबा अमिताभके बधाई देबयबलासबहक लाइन लागल अछि

भारतीय सञ्चार माध्यमक अनुसार सेवन हिल्स अस्पताल सुरक्षा कडा कएलगेल अछि

facebook Page Like

  • मनोरँजन