Monday, November 21, 2011

बर्मामें आंग सान सूची उपचुनाव लड़यके केलनि पुष्टि


५ अगहन बर्मा । बर्मामें लोकतंत्र समर्थक नेता आंग सान सूची आगामी उपचुनावक उम्मीदवार बनयके घोषणा कएलनि अछि ।

मुदा हुनकर पार्टी नेशनल लीग फ़ॉर डेमोक्रेसी यानी N L D के प्रवक्ता  कहलनि जे अखनधरि सूची कोन क्षेत्रसँ चुनाव लडताह से अखन फैसला नहि केने छथि ।

साल १९९० के बाद नोबेल शांति पुरस्कार विजेता आंग सान सूची पहिल बेर चुनावी मैदानमे ठार होबय जाऽ रहल छथि ।

N L D के साल १९९० में भेल आम चुनावमें भारी बहुमत भेटल छल मुदा सेना अहि जीतके ख़ारेज़ करैत  शासन अपन हाथमें लेने छल ।

बितल सप्ताह N L D के दोबारा दर्ताके बादसँ आंग सान सूची आगामी उपचुनाव में भाग लेता से सँकेत भेटल छल ।

तहरीर चौक पर सैनिक कार्रवाई, १३ गोटेके मृत्यु


५ अगहन मिस्र । मिस्रके राजधानी काहिराके तहरीर चौक पर प्रदर्शनकारी आ पुलिस बीच भेल हिंसक झड़पमे कम सँ कम १३ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ सैकड़ों लोग घाइल भेल अछि ।

पुलिस आ सेना  तहरीर चौकके खाली करबाबके कोशिशमें काल्हि अश्रु गैस छोड़ने छल आ प्रदर्शनकारी उपर  लाठी भँजने छल ।

मुदा ओहिके  एक घंटा बाद पुनः प्रदर्शनकारी तहरीर चौक पऽ आबि कऽ सैनिक प्रशासकके बिरोध करैत नारा लगौने छल ।

यूरोपीय संघ  तहरीर चौक पर भेल हिंसाके कड़ा शब्दमें निंदा केलक अछि । काहिराके अलावा सुएज़, असवान आ अलैग्ज़ेंड्रिया में सेहो झड़प होबयके ख़बर आबि रहल अछि ।

स्वास्थ्य विभागके अनुसार झड़पके क्रममे  १३ गोटेके मृत्यु भेल अछि । अधिकारीके अनुसार ओ झडपमे ४०  सुरक्षाकर्मी सहित क़रीब ९०० गोटे  घाइल सेहो भेल अछि ।

अंतरिम सैन्य सरकार सत्ता पर अपन कब्ज़ा बनाकऽ राखय चाहने प्रदर्शनाकारीसबहक आरोप अछि । इ हिंसा होस्नी मुबारकके सत्ता सँ हटौलाक बाद होबयबला संसदीय चुनाव सँ एक सप्ताह पहिनेही सँ भऽ रहल अछि ।

अहिबिच यूरोपीय संघके विदेश नीति प्रमुख कैथरीन एशटन मिस्रके सरकारसँ प्रदर्शनकारीके बिरुद्ध झडपके रोकय लेल कहलनि अछि ।

गद्दाफ़ीके ख़ुफ़िया विभागक प्रमुख गिरफ्तार


५ अगहन लिबिया । लीबियाके राष्ट्रीय अंतरिम परिषदक सरकारके कहब अछि जे पूर्व नेता कर्नल गद्दाफ़ीके मुख्य जासूस अब्दुल्ला अल-सनुसीके गिरफ्तार कएल गेल अछि ।

अधिकारीके कहब अछि जे अल-सनुसीके सेना  देशके दक्षिणी क्षेत्रसँ गिरफ्तार करय सफल भेल अछि ।

गद्दाफ़ीके समर्थन करयबला प्रमुखसब मेसँ अल-सनुसी मात्रे बचल छल जे कतेकौ दिनसँ  फ़रार छल ।

अहिसँ आगु शनिदिन गद्दाफ़ीके बेटा सैफ़-अल-इस्लामके गिरफ्तार कएल गेल छल । अहि दुनु पर युद्ध केने आरोप अछि आ अंतरराष्ट्रीय आपराधिक अदालतमें हुनकासब उपर मुक़दमा चलाओल जाएत ।

१७ वर्षक कर्टनी, कदिमा किनयके नयाँ तरिका













राज्य पुनःसंरचना आयोगमे शर्माके सम्भावना


५ अगहन, काठमाण्डौं । राज्य पुनः संरचना आयोग बनाबय सहमत भेल दलसब आयोग पदाधिकारीके निर्णय करयके तयारीमे अछि ।

माओवादी, कांग्रेस, एमाले आ संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाके आजुक वैसारसा सात सदस्यीय आयोग गठन करत बताओलगेल अछि । तीन दल आ मधेसी मोर्चासँ एक-एक गोटे आ तीन गोटे स्वतन्त्र विज्ञ राखयके दलसबहक तयारी अछि । अहिसँ आगु  काल्हि बैसल तीन दलक बैसारमे आजुक बैसारमे चारु दल ३-३ गोटेके नाम प्रस्ताव करयके सहमति भेल छल ।

स्रोतक अनुसार आयोगके अध्यक्षमे प्रधानमन्त्री भट्टराई राष्ट्रिय योजना आयोगक पूर्व उपाध्यक्ष एवं भूगोलबिद् पिताम्बर शर्माके नियुक्त करबाक तयारी कऽ रहल अछि । अहि बारेमे प्रधानमन्त्री अन्य दलसँग सेहो मोटामोटी बिमर्श केने बताओलगेल अछि । नयाँ बनाबय लागल प्रदेशके सीमा ब नक्सा समेत सिफारिस करयके आयोगमे बिषयगत दक्ष ब्यक्तिके लऽ जाए परत कहैत प्रधानमन्त्री शर्माके सिफारिस करय लागल बताओलगेल अछि ।

आयोग अध्यक्षमे दावी केने नेपाली कांग्रेस त्रिभूवन बिश्वबिद्यालयके पूर्व उपकुलपति एवं शिक्षाबिद् केदारभक्त माथेमाके अध्यक्ष बनाबयके दावी केने अछि । माथेमा संघीयताके नक्साङ्कन करय बिषयगत बिज्ञ नहि भेलासँ माओवादी नेतासब शर्माके बनाबयके लेल जोड देने अछि ।


बलिउडमे अपन जलवा देखौलनि इ हाँट गर्ल








जमिन फिर्ता होबय नहि सकल


गुलरिया, अगहन ५ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल कब्जामे रहल घरजमिन फिर्ता बर्दियासँ सुरु करयके प्रयास करितो पार्टीभितरेके विरोधक कारण होबय नहि सकल ।

एमाले उपाध्यक्ष वामदेव गौतम आ कांग्रेस महामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौला सहित  बर्दिया पहुँच कऽ ओ घरजमिन फिर्ता सुरु करयके तयारी केने छलथि । उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षक जिल्ला नेता विरोध कएलासँ होबय नहि सकल ।

दाहाल दिनभरि असहमति जनाबयबला कार्यकर्ताके आश्वस्त करयके व्यस्त रहलाह । ओ जिल्लास्तरके माओवादी नेतासँग करिब ४ घन्टा अन्तक्रिर्या कएलनि । हुनकासँग गोप्य बिमर्शक बाद ओ जमिन फिर्ता बर्दियासँ सुरु कएल जाएत घोषणा कएलनि । मुदा कहियासँ करब से स्पष्ट नहि केलथि । बन्द बैसारमे दाहाल शान्ति आ संविधान निष्कर्षमे पहुँचाबय सातबुँदे सहमति अनुसार घरजमिन फिर्ता केनाइ आवश्यक रहल कहैत आश्वस्त करयके प्रयास केने छलथि ।

नक्कली सभासद् बनि कऽ ‘बलात्कारक प्रयास’


५ अगहन, काठमाण्डौ । अपनाके सभासद कहैत एक युवतीसँग अबैध सम्बन्ध कायम करय चाहने एक गोटेके गिरफ्तार कएल गेल अछि । किर्तिपुरके माओवादी कार्यकर्ता दिलिपके महानगरिय प्रहरी बृत्त कालिमाटी गिरफ्तार कएलक अछि ।

ओ अपने किर्तिपुरके माओवादी सभासद् दिलिप महर्जन कहि परिचय देने महानगरिय प्रहरी बृत्त कालिमाटीके डिएसपी टेकबहादुर तामाङ बतौलनि । महर्जन बितल कात्तिक २७ मे मोर्डन इन्डियन स्कुलमे नोकरी लगादेब कहैत चोभार गेटमे घर रहल दु युवतीके रिसोर्टमे लऽ जाऽ क बलात्कारक प्रयास केने छल ।

सुरुमे ओ नेवार परिवारके जेठ बेटीके चोभारके रेष्ट क्याम्प नामक रिसोर्टमे लऽ जाऽ क वलात्कारक प्रयास केने छल । युवती भगलाबाद फेउर ओकरे घरमे आबि कऽ ओकर बहिनके मोर्डन इण्डिन स्कुलमे नोकरीके बात करयके कहैत भ्याकेसन रिसोर्टमे लऽ गेल छल ।

खिडकी केबार बन्द कऽ क ओकरा बलात्कारक प्रयास केलाबाद युवती भागल छल । भागल दु युवतीमेसँ छोटकी पुलिसमे उजुरी केलाबाद बलात्कारक प्रयासबारे पोल खुजल अछि ।

किर्तिपुरके दिलिप महर्जन नामक सभासद अखन पर्यटन राज्यमन्त्री अछि । पुलिस असली दिलिप महर्जनके अहि बिषयमे जानकारी करा चुकल अछि । नाम मिललाबाद ओ बहुते ठाममे ठगि केने अछि । पहिने ओ माओवादीके स्थानीय कार्यकर्ता होइतो आर्थिक अनियमितताके आरोपमे कारवाहीमे परल बताओलगेल अछि । ओ पुलिसके समेत आर्कषक ठाममे बदली कऽ देब कहैत ठकने छल ।

फोटो सँसार














बिकिनीमे टिभी स्टार











ब्रिटिस टेलिभिजन रियालिटी शो द वन्ली वे इज एसेक्स के प्रस्तोता साम फेएर्स आ जेसिका राइट

facebook Page Like

  • मनोरँजन