Wednesday, December 07, 2011

एसीसी ट्वान्टी-ट्वान्टी क्रिकेटमे नेपाल ९५ रनसँ जीतल


काठमाडौ, अगहन २१ । समुह चरणक अन्तिम खेलमे नेपाल साउदी अरेवियाके ९५ रनसँ हरबैत एसीसी ट्वान्टी ट्वान्टी क्रिकेटके सेमीफाइनलमे पहूँचयके संभावना कायमे रखने अछि ।

आइ किर्तिपुरस्थित मैदानमे भेल खेलमे टस हारि कऽ ब्याटिङ केने नेपाल ५ बिकेटक क्षतिमे १८३ रन बनौने छल । ओहिमे महबुब आलम सर्वाधिक ८८ रनक योगदान देने छलथि ।

 जवाफमे साउदी अरेवीया ८८ रन मात्र बनाबय सकल । ५ बल बाँकी रहिते साउदी अरेवीयाके  नेपाल अलआउट करय सफल भेल छल ।

सेमिफाइनलमे पहुँचय लेल नेपालके कौल्हका दु टा  खेलके नतिजाके लेल रुकय परत । ओहिमे हङकङ बिरुद्ध साउदी अरेवीया आ कुवेत विरुद्ध यूएइ अछि ।

कारागार घटनामे चितवनके प्रजिअ निलम्बित


चितवन, अगहन २१ । कारागार घटनाबाद गृहमन्त्रालय चितवनके निमित्त प्रमुख जिल्ला अधिकारी नन्दिकेशर त्रिपाठीके आइ निलम्बन केलक अछि । हुनका आइ गृहमन्त्रालयमे बजाओलगेल मौखिक आदेश आएल छल ।

अहिबीच गृहमन्त्रालय चितवनमे गणेशबहादुर कार्कीके प्रमुख जिल्ला अधिकारीके रुपमे लौलक अछि । गृहमन्त्रालयमे कार्यरत कार्की काल्हि साँझधरि चितवन आबि जेताह जिल्ला प्रशासन जनौलक अछि । अहिसँ आगु निलम्बनमे परल चितवनके एसपी खिनु प्रसाद आचार्यके बदलामे एसपी भुपाल कुमार भण्डरीके खटाओलगेल अछि । ओ मंगलके रातिए चितवन आएल छलथि ।

अहिसँ आगु चितवनके एसपी खिनु प्रसाद आचार्य, जेलर चुडामणि गौतम, कारागारके सई शिवराज क्षेत्री सहितक अन्य ४ सुरक्षाकर्मीके निलम्बन कऽ चुकल अछि ।

चितवनमे पछिला बेर विभिन्न आर्थिक अनियमिततामे फँसल एसपी आचार्यके बदली कराबय चितवनके शक्तिशाली समूह  लागि परल अवस्थामे कारागार घटनाक बाद हुनका गृहमन्त्रालय निलम्बन केलक अछि ।

१५ दिन भितर मधेसी युवा नेपाली सेनामे : रक्षामन्त्री गच्छदार


नेपालगञ्ज, अगहन २१ । रक्षा मन्त्रालयके जिम्मेवारी समेत संम्हारैत आएल गृह मन्त्री विजयकुमार गच्छदार १५ दिन भितर मधेसी युवाके नेपाली सेनामे सामुहिक प्रवेश कराबयके दावी केलनि अछि ।

आइ मधेसी युवा फोरमक नेपालगँजमे आयोजित भेलामे बजैत रक्षा मन्त्री गच्छदार १० हजार मधेसी युवाके नेपाली सेनामे सामेल कराबयके प्रकृया सुरु भऽ चुकल उल्लेख करैत ओइके परिणाम १५ दिनभितर आओत बतौलनि अछि ।

ओ माओवादी उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक सरकार निर्माणक क्रममे भेल समहति अनुसार १० हजार मधेसी युवा सेनामे भर्ना कराबयके रहितो सुरुमे किछुए संख्यामे प्रवेश कराबयके आ क्रमश: दश हजारके संख्यामे पहुँचाओल जाएत बतौलनि ।

गुजरातमें अवैध दारु बनाबय बलाके भेटत फाँसी क सजाय


२१ अगहन गुजरात । गुजरातमें अवैध दारु बनाबयबलाके फाँसी क सजाय भेटत आ अहि बिलके राज्यपाल कमला  मंजूरी सेहो दऽ देने अछि ।

गुजरातमें अवैध दारु बनाबयके दोषी भेटत तऽ फाँसी के सजाय देबयके प्रस्ताव वला एक विधेयकके गुजरातके राज्यपाल कमला मंजूरी देलिह अछि ।

राज्यपाल बम्बई निषेध विधेयक, 2009 के मंजूरी देलक अछि । जाहिसँ राज्यमें दारु पर प्रतिबंधके कानून आओर कडा भऽ जाएत । गुजरातमे स्वतंत्रताके बादो दारु पर निषेध कएलगेल अछि ।

गुजरातमें मिलावटी दारुके घटनाके बाद इ विधेयक लाओल गेल छल । जुलाई, 2009 में  मिलावटी दारु पिलासँ १३० सँ बेसी  गोटेके मृत्यु भऽ गेल छल ।

नेपाल भ्रमण सुरक्षितः अमेरिका



काठमाडौ, अगहन २१ । अमेरिका नेपालके असुरक्षित दशेके सूचीसँ हटौलक अछि । अमेरिकाके एहन निर्णयसँ नेपालक पर्यटन क्षेत्र राहत महशुश केलक अछि । अहिसँ आगु माओवादी जनयुद्ध सुरु भेलाबाद अमेरिका नेपालके भ्रमणके दृष्टिकोणसँ असुरक्षित सूचीमे रखैत आएल छल ।



अमेरिकी विदेश मन्त्रालयल पछिला बेर जारी केने पत्रमे भ्रमण चेतावनीके सूचीसँ नेपालके हटौने अछि । अहिसँ आगु जनवरी,२०११ मे जारी केने ओ सूचीमे नेपाल छल । नेपालमे आएल सुधारके कारण एहन निर्णय भेलप्रति अमेरिकी दूतावास खुशी समेत व्यक्त केने अछि । अमेरिका अपन नागरिकके भ्रमणके लेल खतरा रहल कहैत असुरक्षित राष्ट्रसब घोषणा करैत आएल अछि । नेपाल असुरक्षित राष्ट्रसँ हटौलाबाद अमेरिकी टुरिष्ट बढ्यके सम्भावना रहैत अछि । नेपालक पर्यटन क्षेत्रसँ लम्बा समयसँ असुरक्षित सूचीसँ नेपालके हटाबय अमेरिकाके आग्रह करैत आएल छल ।

जरदारी देताह राजिनामा


२१ अगहन पाकिस्तान । पाकिस्तानी राष्ट्रपति आसिफ अली जरदारी दबावके कारण राजीनामा दऽ सकैत छथि ।

अमरीकी मीडियाके अनुसार जरदारी इस्तीफा दबावके कारण दऽ रहल छथि । हक्कानी नेटवर्क पर हमला करयके दबाव आ नाटो द्वारा २० सैनिकके हत्या भेल बिरोधमे जरदारी पर दबाव बनल अछि ।

जरदारी अपन राजीनामा पत्र दुबईसँ पठाबय सकयके अनुमान कएल जाऽ रहल अछि ।

ज्ञातब्य जे जरदारी इलाजक लेल दुबईमें छथि । पाकिस्तानके राष्ट्रपति भवनके प्रवक्ता फरहतुल्ला बाबर कहलनि जे जरदारीके साथ हुनक चिकित्सक आ निजी कर्मचारी सेहो गेल छथि ।

पूर्व सुरक्षाकर्मीसब पुलिसक नियन्त्रणमे


काठमाडौ, अगहन २१ । पुर्नवहालीके माँग करैत आन्दोलन करैत आएल पूर्व सुरक्षाकर्मीसब निषेधित क्षेत्रमे प्रदर्शन करय चाहलाबाद पुलिस बल प्रयोग केलक अछि । पुलिस २६ गोटे प्रदर्शनकारीके नियन्त्रणमे समेत लेलक अछि ।

द्वन्द्वकालमे विभिन्न कारणसँ नोकरी छोडने सुरक्षाकर्मीसब पुर्नवहालीके माँग रखैत आएल अछि ।  जिल्ला प्रशासन कार्यालय काठमाण्डौ आगुके क्षेत्रमे प्रदर्शनमे रहल पूर्व सुरक्षाकर्मीसब निषेधित क्षेत्रमे बढलाबाद पुलिस नियन्त्रणके लेल अश्रृ ग्याँस समेत प्रयोग केने छल । पुलिस आ प्रदर्शनकारी बीचक झडपसँ बबरमहल क्षेत्र प्रभावित भेल छल ।

महानगरिय प्रहरी परिसर हनुमान ढोकाके प्रहरी नायव उपरीक्षक धिरज प्रताप शाह बेर बेर कऽ २६ गोटेके गिरफ्तार कएलगेल जानकारी देलनि । ओ प्रदर्शनकारीसब निषेधित क्षेत्रमे प्रवेश करय चाहलाबाद सामान्य बल प्रयोग कएलगेल बतौलनि ।

आतंकीके हिट लिस्ट में धोनी, बढ़ाओलगेल सुरक्षा


२१ अगहन भारत । टीम इण्डियाके कप्तान महेन्द्र सिंह धोनीके जानके खतरा बढल अछि । ओ आतंकबादीके हिट लिस्ट में रहल बताओल जाऽ रहल अछि ।

आईबी के अनुसार धोनी लश्कर ए तैयबा आ जैश ए मोहम्मद जेहन आतंकी संगठन के निशाना पर छथि । अहिके अलावा नक्सली सेहो हुनका अपन निशाना बना सकैत अछि ।

आईबी के अलर्ट के बाद झारखण्ड सरकार  धोनीके सुरक्षा बढ़ा देने अछि । बितल हफ्ता धोनीके कड़ा सुरक्षामें एक जीपमें एयरपोर्ट सँ घर पहुँचाओल गेल छल ।

जीपमें पुलिस सेहो छल आ धोनी के घरके बाहर आ पड़ोसमें सेहो सादा पोशाकमे पुलिसके परिचालन कएल गेल अछि । श्रोतक अनुसार भि भि आइके अहि लिस्टमें नेता, खेलाड़ी आ फिल्मी कलाकार सब सेहो छथि ।



नक्कली नोट कारोबारी गिरफ्तार


इटहरी, अगहन २१ । जाली नोट बनाबय काटि कऽ राखल एक लाख थान कागज, चोरीके मोटरसाइकल आ कटुवा पेस्तोलमे लागयबला एक थान गोली सहित पुलिस ४ गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।

इलाका प्रहरी कार्यालय दुहबवीसँ  गेल पुलिसक टोली विराटनगर स्थित आयल निगम पाछु रहल घरसँ ओकरासबके गिरफ्तार केलक अछि ।

गिरफ्तार होबयबलामे विराटनगर५ के छोटु मण्डल, मिथिलेस शर्मा, सुनसरी सोनापुरके सकित खान आ दुहवी३ के विशाल उराव रहल प्रहरी निरीक्षक मेघराज थापा बतौलनि ।

काल्हि दुहवी५ मे बरियाती गेल इटहरी५ के प्रेम मगरके हतियार देखा कऽ मण्डल आ शर्मा सुनसरीके सोनापुर सडक खण्डमे हुनकर को ११ प ५७९ नम्बरक मोटरसाइकल लुटि कऽ लगेलाबाद सुराकीके आधारमे ओकरासबके गिरफ्तार केने पत्रकार सम्मेलनमे प्रहरी निरिक्षक  थापा बतौलनि ।

ओकरासबहक सँगसँ करिब आधा दर्जन मोबाइल फोन सहितक सामानसब सेहो बरामद भेल ओ जानकारी देलनि ।

जनकपुरमे अगिलगि लाखौके क्षति


२१ अगहन जनकपुरधाम । जनकपुरक मिल्स एरिया स्थित एक कबाडा गोदाममे अगिलगि भेलासँ लाखौके क्षति भेल अछि ।

मिल्स एरिया स्थित आशा हाँलक पाछुमे रहल बर्षौसँ बन्द अबस्थामे रहल मिलक कबाडा गोदाममे आगि लागल छल । प्रकाश चन्द्र साहक कबाडा गोदाममे लागल अगिलगिसँ करिब अढाइ लाखक क्षति भेल पुलिस जनौलक अछि । आइ दुपहर करिब १२ बजेदिस लागल आगिसँ कबाडाके एकटा घर सहित कबाडाके सरसामानसब जरल अछि ।

आगि लगलाक आधा घण्टा बाद जनकपुर नगरपालिकासँ गेल बारुण यन्त्र , स्थानिय बासी आ पुलिस सँयुक्त रुपमे ओ आगिके नियन्त्रणमे लेने छल ।

बिद्यार्थी मृत्युके बिरोधमे जनकपुर ठप्प


२१ अगहन जनकपुरधाम । जनकपुरक मुजेलियामे काल्हि बसक ठोक्कर सँ एक एम वि वि एसमे अध्ययनरत विद्यार्थीके मृत्यु भेलाक बाद आक्रोशित विद्यार्थीसभ आइ भिन्सरे सँ जनकपुरक सम्पूर्ण शिक्षण संस्था, बजार दोकानसभ बन्द करावयके संगहि जनकपुर नगरभितर प्रदर्शन कँ रहल अछि ।

विद्यार्थीसभ आइ भिन्सरे सँ जनकपुरक विभिन्न विद्यालयसहित क्याम्पससभमे जाँ कँ पठन पाठन बन्द करावयके संगहि बजार आ दोकानसभ सेहो बन्द करौने अछि । बन्द करावयके क्रममे विद्यार्थीसभ जिविस धनुषामे पार्किङ कँ राखल जिविसके २ टा जिप आ नगरपालिकाके एकटा जिपमे तोडफोड कैने अछि । तँ  मुरलीचौकस्थित एकटा कोचिङ सेन्टरमे सेहो तोडफोड कैने बताऔलगेल अछि ।

आन्दोलनरत विद्यार्थीसब ६ सूत्रीय मांग राखि आइ भिन्सरेसँ प्रदर्शन कऽ रहल अछि । विद्यार्थीसब हत्याराके उन्मुक्ति देबयके कानूनके खारेजी, रोकल मोटर साईकलके ठक्कर देबयबला चालकके शख्त कारवाही करयके, शान्तिपूर्ण जुलुस उपर लाठी चार्ज तथा अश्रु ग्यास प्रहार करयबला सुरक्षाकर्मी उपर कार्यवाही, कलेजक विद्यार्थीके बाहर निकालि कऽ बर्बरतापूर्वक पिटपाट करयबला पुलिस उपर कार्यवाही तथा मृतक छात्र सर्वेशलाल कर्णके परिवारके क्षतिपूर्ति एवं घाइल छात्रके इलाज सरकारके करयके मांग रखने अछि ।

एम्हर , यातायात व्यवसायीसभ सुरक्षाके माँग करैत आइ जनकपुर सँ जाएवाला छोट तथा लम्बा दुरीके सवारी साधनसभ बन्द केने अछि । घटनाके ल विद्यार्थीसभ बसमे आगजनी आ तोडफोड केने कहैत यातायात व्यवसायीसभ सवारीसाधन ठप्प केने अछि ।

जानकी मेडिकल कलेज महदैयामे एम वि वि.एस तेशर वर्षमे अध्ययनरत ३ गोटे  विद्यार्थीसभ ज २ प २३८५ नम्बरके मोटरसाइकलमे सवार रहल समयमे काल्हि ना २ ख ३४०७ नम्बरके बस मुजेलियामे ठोक्कर देने छल । बसक ठोक्कर सँ मेडिकल कलेजमे अध्ययनरत जनकपुर नगरपालिका वाड नम्बर ४ निवासि अन्दाजी २२ वर्षक सर्वेश लाभ कर्णके  घटनेस्थले पर मृत्यु भेल छल । घाईल भेल महोतरी जलेश्वर नगर पालिका ७ बजराहीके प्रवीण कुमार झा के थप इलाजक लेल धरान पठाओलगेल अछि त दोसर घाईल जनकपुर ७ के जीतेन्द्र कुमार सिंहके जनकपुर अंचल अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि ।

ट्राफिक पुलिस चेकजाँचके क्रममे ओ सभ सवार रहल मोटरसाइकलके रोक्ने समयमे बस पाछुसँ ठोक्कर देलाक बाद आक्रोशित विद्यार्थीसभ ठोक्कर दने बस आ दोसर एकटा आरो जनकपुर सँ औरही रामगोपालपुर  जाँ रहल ज १ ख ६०५ नम्बरके बसमे आगजनी केलाबाद विद्यार्थीसभ आ पुलिसविच काल्हि झडप सेहो भेल छल । झडपके क्रममे पुलिसक लाठीचार्ज सँ आधा दर्जन विद्यार्थीसभ घाइल सेहो भेल अछि ।

एम्हर जनकपुरमे कोनो किसिमक अप्रिय घटना होबय नहि देबय जिल्ला प्रशासन धनुषा ब्यापक सँख्यामे नेपाल पुलिस आ सशस्त्र पुलिसके परिचालन कएने अछि ।

अहिबिच , बसक ठोक्कर सँ मेडिकलमे अध्ययनरत विद्यार्थीके मृत्यु भेल घटना सँ अपनेसभ स्तब्ध भेल प्याब्सन जिल्ला कार्य समिती धनुषा एक विज्ञप्ति जारी कँ जनौलक अछि । बिज्ञप्तिमे मृतक विद्यार्थीप्रति सम्बेदना प्रकट करयके संगहि घटनाके लँ कँ आइ एक दिनके लेल प्याब्सन सँ आवद्ध सम्पूर्ण शिक्षणसंस्था बन्द करय लेल कहलगेल अछि । तँ घटनाके सही तथ्यरुपमे छानविन कँ दोषीके कारवाहीके लेल स्थानिय प्रशासनसंगे प्याब्सन जिल्ला कार्यसमितीके सचिव विश्वलाल कुशवाहा माग कैने छथि ।



facebook Page Like

  • मनोरँजन