Sunday, October 23, 2011

बिपा राष्ट्रघाती अछि या नहि जाँच करय परतः नेपाल


६ काक्तिक, काठमाडौँ । एमालेक वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल भारतसँग भेल द्विपक्षीय लगानी प्रबर्द्धन तथा सुरक्षण सम्झैता (बिपा) राष्ट्रघाती अछि या नहि बिषयमे जाँच करय परत बतौलनि अछि ।

ललितपुरमे आइ भिन्सर पार्टीक एक कार्यक्रममे बजैत नेता नेपाल केउ राष्ट्र हितविपरीतके काम करत तऽ एमाले सहय नहि सकत चेतावनी देलनि । माओवादी विगतमे उग्र राष्ट्रवादी रहल आरोप लगबैत नेपाल उग्र राष्ट्रवादीसबसँ राष्ट्रियता उपर बिश्वासघात होइत आएल जिकिर कएलनि । कडा राष्ट्रवादीके बात करयबलासबसँ हमेशा राष्ट्रघात होबयके खतरा रहल कहेत नेपाल ओहन शक्ति आ व्यक्तिसँ होशियार रहयके धारणा व्यक्त कएलनि ।

दोसर एक प्रसङ्गमे नेता नेपाल बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक सरकार असफल भऽ चुकल दाबी करैत इ सरकार शान्ति आ संविधानके लेखनकार्य निष्कर्षमे पहुँचाबय नहि सकत ठोकुवा कएलनि । भट्टराई सरकार देशके राजनीतिक इतिहासके सबसँ कमजोर रहल नेपालक जिकिर छलनि ।

कांग्रेस सिद्धान्त छोडलासँ पराजय भोगय परलः थापा


वासिङटन डिसी, कार्तिक ६ । प्रजातन्त्रके लेल सबसँ लम्बा समय लडने कांग्रेस अपन सिद्धान्त छोडलासँ संविधानसभामे पराजय भोगय परल राप्रपा नेपालक अध्यक्ष कमल थापा आरोप लगौलनि अछि ।

'गणतन्त्र, धर्म निरपेक्षता आ संघीयताक एजेन्डा माओवादीके अछि, संवैधानिक राजतन्त्रके सिद्धान्त छोडि कऽ कांग्रेस माओवादीके पाछु लगलासँ जनता सबक सिखौने अछि' अमेरिका नेपाल सोसाइटी आयोजना केने  अमेरिका भ्रमणमे रहल थापा अन्तर्कृयामे कहलनि, 'माओवादी एजेन्डा लऽ क माओवादीके पराजित करय नहि सकत ।'

कांग्रेस अपन सिद्धान्तमे नहि आओत तऽ प्रजा परिषद होबयके हुनक चुनौती छलनि । थापा  अखन देशके स्वाधिनता आ अखण्डता संकटमे परल दावी सेहो कएलनि । नेपालक राजनीतिक विदेशीके इशारामे चलि रहल हुनक आरोप छलनि ।

माओवादी दक्षिण एसियाकै सबसँ धनीक पार्टी रहल दावी करैत थापा लडाकुके नाममे राज्यके खजानासँ  मासिक ३० करोड पाबि रहलासँ माओवादी शान्ति प्रकृया पुरा करय नहि चाहने थापा तर्क कएलनि 



अवैध दारु आ दारु बनाबयबला मेशीन बरामद


६ कात्तिक, वीरगञ्ज । पर्साक विश्रामपुरसँ आइ पुलिस अवैध घरेलु दारु आ दारु बनाबयबला मेशीन बरामद केलक अछि

बहुअर्वाभाठास्थित अस्थायी पोष्टसँ टल पुलिसक टोली विश्रामपुर-४ हरिनगरक शंकर राम प्रभु साहक घरम छापा मारि कऽ ५५ लिटर घरेलु दारु आ दारु बनाबयबला दु टा मेशीन बरामद केलक अछि । बरामद कएलगेल मेशीन दारु अस्थायी प्रहरी पोष्ट बहुअर्वाभाठाम राखलगेल प्रहरी सहायक निरीक्षक किशोरी यादव जानकारी देलनि

अहिबीच पुलिस वीरगञ्जक पावरहाउस चोकसँ प्रतिबन्धित लागुऔषध कोरेक्ससहित तीन योटेके गिरफ्तार केलक अछि गिरफ्तार होबयबलामे उमेश पण्डित, तीर्थ नारायण साह सागीर मियाँ रहल अछि ओकरासबहक सँगसँ ९० बोत्तल कोरेक्स बरामद कएलगेल पुलिस जनौलक अछि

गुटबन्दीके राजनीति करयबलाके बहिस्कार करय कोइरालाक निर्देशन


६ कात्तिक, दमौली । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला पार्टीमे गुटबन्दीके राजनीति करयबलाके बहिस्कार करय कार्यकर्ताके निर्देशन देलनि अछि ।

पार्टीके तनहुँ जिल्ला समिति आइ दमौलीमे आयोजना केने कार्यकर्ता प्रशिक्षण कार्यक्रममे बजैत सभापति कोइराला वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवादिस संकेत करै ओहन निर्देशन देलनि अछि । अहिसँ आगु काल्हि विराटनगरमे आयोजित एक कार्यक्रमे नेता देउवा अपने विगतमे माओवादी आ राजासँग नहि डेराएल कहैत सुशील कोइराला डेराबय चाहत तऽ नहि डेराएब अभिव्यक्ति देने छलथि । सभापति कोइराला कांग्रेसके फोरि कऽ प्रजातन्त्रके कमजोर करयके षड्यन्त्र होइतो पार्टी फोरयके तागत ककरोसँग नहि रहल दाबी कएलनि । हाल जारी विवादके कारण कोनो हालतमे पार्टी नहि फुटत कहैत कोइराला आश्वस्त रहय कार्यकर्तासबसँ आग्रह कएलनि ।

बाबुराम पार्टी अनुशासन तोडि कऽ बिपा सम्झैता केलनिः वादल


६ कात्तिक, चितवन । एकीकृत नेकपा माओवादीक महासचिव रामबहादुर थापा वादल प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई पार्टीके आधिकारिक निर्णय विपरीत भारतसँग बिपा सम्झौतामे हस्ताक्षर कऽ क पार्टी अनुशासन तोडने आरोप लगौलनि अछि ।

चितवनके भरतपुरमे आइ उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षधर बुद्धिजिवीसबहक जमघटके सम्बोधन करैत वादल संस्थापन पक्ष अराजकताके हद नाघि कऽ पार्टीविरोधी गतिविधि कऽ रहल जिकिर कएलनि । प्रशिक्षणमे सहभागी एक कार्यकर्ताक अनुसार वादल लडाकुके चाबी प्रकरण, मधेसी मोर्चासँग भेल ४ बुँदे सहमति आ बिपा सम्झौताधरि अबैत संस्थापन पक्षक गैरजिम्मेवार आ राष्ट्रघाती चरित्र देखार भेल आरोप लगौलनि ।

पार्टी उपाध्यक्षसमेत रहल प्रधानमन्त्री भट्टराईके स्वदेश घुरिते बिपा सम्झौताबारे स्पष्टीकरण माँगल जाएत वादलके कहब छलनि । भट्टराई भारत जाएसँ पहिने बिपा सम्झौताके बात उठलाबाद पार्टी स्थायी समिति ओ सम्झैता नहि करयके स्पष्ट दिर्नेशन देने वादलक दावी अछि । स्रोतक अनुसार वादल दशैं आगु अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल पार्टीके कोनो नेताके जानकारी नहि दऽ चोरा कऽ सिलुगुढी पहुँच कऽ भारतीय गुप्तचर संस्था रअके प्रतिनिधिसँग गोप्य भेटघाट केने आरोप लगौने ओ बतौलनि । हुनका अनुसार वादल अहिना संस्थापनके एहने मनोमानी जारी रहत तऽ अपनेसब पार्टीमे रहय नहि सकब आ रहनाइके कोनो  औचित्य नहि हाएत बतौने छलथि ।

महोत्तरी जिविसके ताला खुजल


६ कात्तिक, महोत्तरी । भ्रष्टाचारक छानविनक माँग करैत राजनीतिक दलसब जिल्ला विकास समितिक कार्यालय महोत्तरीमे ४ दिन आगु लगौने ताला आइसँ खुजल अछि ।

ताला खुजलाबाद जिविसके कामकाज आइसँ सुचारु भेल अछि । तराई मधेस लोकतान्त्रिक पार्टी, नेपाली काँग्रेस आ तमलोपा नेपाल महोत्तरी जिविसमे व्यापक आर्थिक घोटाला भेल आरोपके छानविनक माँग करैत बुधदिनसँ तालाबन्दी केने छल । तमलोपा नेपालक जिल्ला सदस्य सुरेश पाण्डे स्थानीय प्रशासनसँग भेल बिमर्शमे आर्थिक अपारदर्शीता भेल नहि भेल छानविन करयके आ दोषी पाओलगेल तऽ कारबाही करयके सहमति भेलाबाद अपनेसब ताला खोल्ने बतौलनि ।

राजनीतिक दल आ प्रमुख जिल्ला अधिकारी शङ्कर अर्यालबीच भेल वार्तामे जिविसके हिनामिनाबारे सत्यतथ्य छानबिन करय एक समिति गठन करयके आ ओ समिति जिविसके सम्पूर्ण आर्थिक क्रियाकलापके छानबिन कऽ एक महिनाभितर प्रतिवेदन सार्वजनिक करयके सहमति भेल छल ।

दुर्घट्नामे २ गोटेके मृत्यु


सर्लाही, कार्तिक ६ । सर्लाही खण्डमे परयबला पूर्वपश्चिम राजमार्गके कर्मैयामे बितल साँझ भेल दुर्घटनामे परि गम्भीर घाइल भेल दु गोटेके इलाजक क्रममे राति मृत्यु भेल अछि ।

पश्चिमबाट पूर्वदिस जाऽ रहल ज १ प ३१२४ नम्बरक मोटरसाइकल विपरित दिससँ आबिरहल ना ४ ख ३७१७ नम्बरक बससंग ठोकराकऽ दुर्घटना भेल छल ।

गम्भीर घाइल भेल मोटरसाइकलमे सवार मूर्तिया गाबिस८ के मौजेधोवी बैठा आ राजकुमार श्रेष्ठक इलाजक  क्रममे वीरगंजमे मृत्यु भेल जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि । ठक्कर देबयबला बस आ चालकके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

मोडेल - पुनम पाण्डेके जलवा












बिहारक मुख्यमन्त्रीद्धारा प्रधानमन्त्री भटराइके नौता


६ कातिक जनकपुरधाम । बिहारक मुख्यमन्त्रि नितिश कुमार प्रधानमन्त्रि बाबुराम भट्टराईके पटना भ्रमणकलेल नेउता देलनि अछि।

बिहार राज्य स्थापनाक सय बर्ष पंहुचल अबसरमे  आबएबला फरबरीमे आयोजना कएल जाएबला एकटा अन्तराष्ट्रिय सम्मेलनमे मुख्य अतिथिके रुपमे आबकलेल ओ आग्रह कएलनि अछि। प्रधानमन्त्रिक सम्मानमे शरद यादबद्वारा आयोजित कार्यक्रममे नितिश कहलनि बिहार नेपालक सिमाबर्ति भारतिय राज्य अछि । नितिश कएने बिकासक चर्चा नेपालमे सेहो बेर बेर होईत अछि।

प्रधानमन्त्रि भट्टराई आई स्वदेश घुरि रहल


काठमाडौ, कार्तिक ६ । प्रधानमन्त्रि डा. बाबुराम भट्टराई अपन चारि दिनक औपचारीक भारत भ्रमण समाप्त कऽ कऽ आई स्वदेश घुरि रहल छथि।

भट्टराई ५ बाजि क़ ऽ २० मिनेटमे नेपाल बायु सेबा निगमके बिमानसँ अन्तराष्ट्रिय बिमानस्थलमे अबतरण करताह। प्रधानमन्त्रि भट्टराई ३७ सदस्यिय भ्रमण टोलिके संग बृहस्पति दिन भारतिय समकक्षि मनमोहन सिंहके निमन्त्रणामे भारत भ्रमणके लेल नँयादिल्ली प्रस्थान कएने रहथि। प्रधानमनत्रिके स्वागत करकलेल कार्यबाहक प्रधानमन्त्रिके सेहो जिम्मेबारी सम्हारी रहल उपप्रधान तथा गृहमन्त्रि बिजयकुमार गच्छेदार, संबिधानसभा अध्यक्ष सुबास चन्द्र नेम्बाङ , मन्त्रि तथा सभासदसभ आ उच्च पदस्त सरकारि कर्मचारीसभके अन्तराष्ट्रिय बिमान स्थलमे जाएके कार्यक्रम छन्हि।

प्रधानमन्त्रि भट्टराईक भ्रमणके क्रममे बहुचर्चित लगानि प्रबर्द्धन तथा सुरक्षासम्बन्धि सम्झौता बिपा सहित ३ टा हटले हटले द्विपक्षिय आर्थिक सम्झौतामे हस्ताक्षर भेल अछि। बिपा सम्झौताके भट्टराईके पार्टी माओबादीक मोहन बैद्य समुह आ बिपक्षी दलसभ राष्ट्रघातिक आरोप लगओलक अछि। मुदा भट्टराई भारतसंग एहन राष्ट्रबादी सम्झौता एखनि धरि नई भेल छल दाबा करैत आरोपसभके  खण्डन कएने छथि। अपने बिरोध हाएत बुझैत छलौंह मुदा देशक आर्थिक हितकलेल रिस्क लऽ कऽ ई सम्झौता कएने प्रधानमन्त्रिके स्पस्टोक्ति छन्हि। अपने नेपालमे लगानि भितराबकलेल बाध्य भऽ कऽ एकटा जुवा खेलने ओ बतओलनि। भारतिय ब्यपारीसभसंगक बिमर्शमे प्रधानमन्त्रि काल्हि कहने रहथिन्ह जे  जुवा अपने जितियो सकैत छि आ हारियो सकैत छि। स्वदेश घुरएसँ पहिने प्रधानमन्त्रि भट्टराईके आई उतराखण्ड राज्य भ्रमण करक कार्यक्रम छन्हि।

४ दिन भारत रहक क्रममे प्रधानमन्त्रि भट्टराई भारतिय राष्ट्रपति प्रतिभादेबि पाटील सिंह, उपराष्ट्रपति हमिद अन्सारी, प्रधानमन्त्रि मनमोहन सिंह, बितमन्त्रि प्रणब मुखर्जी , बिदेश मन्त्रि एसएम कृष्णा , रक्षामन्त्रि एके एन्टोनी, लोकसभा बिपक्षि दलक नेतृ सुषसमा स्वराज , भारतिय कम्युनिष्ट पार्टी मार्क्सबादिक अध्यक्ष प्रकाश करात आ जनतादल युनाईटेडके अध्यक्ष सरद यादब सहितक नेतासभसंग भेंट घांट कएने छलथि। हुनकसभसंगक भेंटमे द्विपक्षिय हितक सम्बन्धमे बिमर्श भेल छल। सतारुढ भारतिय काँग्रेस आईके अध्यक्ष सोनिया गांधि अस्वस्थ्यताक कारण देखा कऽ प्रधानमन्त्रि भट्टराई संग भेंट नई कएलिह। भारत रहक क्रममे भट्टराई नँयादिल्ली स्थित जयपुरामे रहल महात्मागांधिके प्रतिमामे पुष्प अर्पण कएने रहथि।

तहिना ओ अपने रहि रहल नँया दिल्लीके चाणक्यपुरी स्थित होटल लिला प्यालेसमे अपन बिद्यार्थि कालके भारतिय सहपाठीसभसंग भेंट कएने रहथि। भट्टराई काल्हि अपने  बिद्याबारिधि उपाधि हांसिल कएने जबाहर लाल नेहरु बिश्वबिद्यालय रखने सम्मान कार्यक्रममे सेहो सहभागि भेल रहथि।

भ्रमण दलमे प्रधानमन्त्रिक पत्नि हिसिला यमी , उपप्रधानमन्त्रि तथा परराष्ट्रमन्त्रि नारायणकाजी श्रेष्ठ , अर्थमन्त्रि बर्षमान पुन भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्रि हृदेश त्रिपाठी, संचारमन्त्रि जेपि गुप्ता , स्वास्थ्यमन्त्रि राजेन्द्र महतो, मुख्यसचिब माधब धिमिरे ,अर्थ सचिब कृष्ण हरि बास्कोटा , परराष्ट्र सचिब दुर्गा भट्टराई , शिष्टाचार महापाल मुक्तिनाथ भट्ट , प्रधानमन्त्रि कार्यालयके कर्मचारी आ किछु सभासदसभ सेहो सहभागि अछि।

facebook Page Like

  • मनोरँजन