Friday, August 19, 2011

एम्बुलेन्सक ठक्करसँ बालिकाके मृत्यु



नेपालगन्ज, भादव २ । बाँकेमे बेमारीके पहुँचा कऽ घुरिरहल एकटा एम्बुलेन्सक ठक्करसँ एक बालिकाके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि ।

आइ बेरियामे नेपालगन्जसँ बर्दियाके गुलरिया जाऽरहल  भे १ च ५२८ नम्बरक एम्बुलेन्सक ठक्करसँ बाँके रनीयापुरके १० वर्षक बालिकाके मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय बाँके जनौलक अछि ।

रनीयापुर -४ के बालिका सलामत खाँके एम्बुलेन्स नेपालगन्ज- गुलारिया सडक खण्डके रनीयापुर क्षेत्रमे ठक्कर देने प्रहरी नायव उपरीक्षक उदय तामाङ बतौलनि अछि । ठक्कर देनिहार एम्बुलेन्स आ चालकके बार्दिया जिल्ला प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अछि ।

फेउर देशके खदियामे धकेलल जाऽरहल अछिः प्रधानमन्त्री


काठमाडौं, भादव २ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल फेउरो बहुमतीय सरकार गठन कऽक देशके दखियामे  धकेलय चाहिरहल बतौलनि अछि ।

राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बनाबय अपने राजीनामा देने दोहरबैत प्रधानमन्त्री खनाल बहुमतीय सरकार निकाश देबय नहि सकत दाबी कएलनि ।

आइ एमाले उपत्यका विशेष समन्वय कमिटीके कार्यक्रममे ओ कहलनि जे, 'शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणके कार्यभार पूरा करय सहमतिके सरकारक आवश्यक्ता तऽ अछि,' मुदा फेउर बहुमतीय सरकार गठन कऽक देशके खदियादिस धकेलय आ आगुके गति रोकय चाहिरहल अछि ।'

प्रधानमन्त्री खनाल शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणके ठोस काम आगु बढैबतो माओवादी आ कांग्रेसके असहयोगसँ पूरा होबय नहि सकल आरोप लगौलनि ।

शान्ति प्रक्रियामे ठोस प्रगति होबय नहि सकल कहैत प्रधानमन्त्री खनाल रबिदिन पदसँ राजीनामा देने छलथि ।

बस्नेतके अभिव्यक्ति छानविन करय एमाले अनुशासन आयोगक निर्देशन


काठमाडौं, भादव २ । एमाले अनुशासन आयोग पत्रकार पिटपाट प्रकरणमे युवा संघक अध्यक्ष महेश बस्नेतके अभिव्यक्ति आ विराटनगर घटनाके छानविन कऽ प्रमाणसब सत्य सावित हाएत तऽ संलग्नसबके कारवाही करय केन्द्रीय समितिके निर्देशन देलक अछि ।

पत्रकार खिलानाथ ढकालसँग पिटपाट भेल घटनाके गम्भिरतापूर्वक लैत आयोग किछ समयसँ संचारकर्मीप्रति भेल अभद्र व्यवहार तथा ओइ सम्बन्धमे आएल उत्तेजक आ गैह्र जिम्मेवार अभिव्यक्तिप्रति दुःख व्यक्त केलक अछि । 

 'ढकालउपर भेल सांघातिक आक्रमण आ ओइमे परशुराम बस्नेतके संलग्नताके सन्दर्भके लऽ "पत्रिका बन्द करयके, सम्पादकके जेलमे राखयके आ पुलिस प्रशासनके घर-परिवारक सदस्य समेतके कारवाही करयके" कहयबला युवा संघक केन्द्रीय अध्यक्ष  महेश बस्नेत देने कहलगेल सार्वजनिक अभिव्यक्ति सहितक विषयमे गम्भिर ध्यानाकर्षण भेल आयोगले जनौलक अछि । ,' बस्नेतके सार्वजनिक अभिव्यक्ति तथा बिराटनगर घटनाके समग्र छानविन कऽ ओ घटनामे संलग्न भेल तथ्य प्रमाणित हाएत तऽ पार्टीके ओहन कोनो कार्यकर्ता उपर अविलम्ब कारवाही करय पार्टी केन्द्रीय कमिटीके गम्भीर ध्यानाकर्षण करौलक अछि ।

'सहकारीसँ गरिबी निवारणमे मद्दत मिलत'


निजगढ, भादव २ । उपप्रधान तथा अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारी सहकारीसँ गरिबी निवारणमे सहयोग पहुँच रहल बतौलनि अछि । साथे सहकारीके दुश्मन नहि बुझय सब पक्षसँ आग्रह करैत सहकारी विकासक लेल सरकार प्राथमिक्क्तामे रखने ओ बतौलनि ।

बाराके सिमरामे आइ राष्ट्रिय सहकारी बैंकके २४ हम् शाखा उद्घाटन करय पहुँचल अर्थमन्त्री अधिकारी सहकारी आ निजि क्षेत्रके ओतबे भुमिका रहलाक कारण दुनुके मिल कऽ सामाजिक विकासमे आगु बढय आग्रह केलथि ।

देश विकासमे सहकारीके सेहो भुमिका रहलाक कारण अपने सहकारीके महत्व देने समेत ‌ओ बतौलनि । देशके अन्तरिम संविधानसँ तीन खण्डे अर्थनीति अबलम्बन केने बतबैत अधिकारी सरकारी, सहकारी आ निजि क्षेत्रके मिल कऽ आर्थिक विकासमे सहयोग पहुँचनाइ आवश्यक रहल बतबैत सहकारीसँ कृषि आ निजी क्षेत्रमे लगानी करत तऽ देशके विकास होबय सकत हुनक कहब छलनि । 

कार्यक्रममे राष्ट्रिय सहकारी बैंकके केन्द्रीय अध्यक्ष रमेश पोखरेल सहित बिभिन्न शाखाके प्रतिनिधिसबहक सहभागीता रहल छल । हातेमालो सहकारी संस्थाद्वारा संचालन होबयबला इ नव स्थापित २४ हम् शाखासँ बारा, पर्सा आ रौतहट जिल्लाके सहकारी संस्था आ सर्वसाधरण लाभान्वित हाएत शाखाक अध्यक्ष कृष्ण पौडेल बतौलनि ।

सोनक मूल्य तोलाके ५२ हजारसँ उपर



२ भादव, काठमाडौं । सोनके भाउ तोलाके ५२ हजारसँ उपर पहुँचल अछि ।

इ एखनधरिके सबसँ उच्च भाउ अछि । आइ सोन तोलाके ५२ हजार २ सय ५० रुपैंयामे कारोबार भेल नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी संघ जनौलक अछि ।

काल्हि ५० हजार ७ सय रुपैयाँ तोलामे किनबेच भेल प्रतितोला सोन एकेबेर १५ सय ५० रुपैयाँ बढि कऽ ५२ हजार २ सय ५० रुपैंया पहुँचल अछि ।

विश्व शेयर बजारमे तीव्र गिरावटके संगे लगानीकर्ता सोन खरिदमे आकषिर्त भेलासँ फेउर भाउ बढल सुनचाँदी व्यवसायी संघक अध्यक्ष तेजरत्न शाक्य बतौलनि अछि ।

भाउ बढलाबाद सोनक कारोबार बहुते कम भेल अछि । सोनके भाउ ५० हजार पार केलाबाद  २५ प्रतिशत मात्रे कारोबार भेल शाक्य बतौलनि ।

ब्राउन सुगर सहित बालक पक्राउ


२ भादव, काठमाडौं । वीरगन्ज पुलिस पैघ परिमाणमे अवैध लागू औषध ब्राउन हेरोईन सहित एक बालकके गिरफ्तार केलक अछि ।

४ सय ग्राम ब्राउन हेरोइन सहित पुलिस ११ वर्षक बालकके गिरफ्तार केलक अछि । भारतक रक्सौलसँ लागू औषध लऽ वीरगन्ज बसपार्कमे आएल समयमे पुलिस ओकरा गिरफ्तार केलक अछि ।

लागू औषधके कारोबारमे संलग्न एक व्यक्ति काठमाण्डौंधरि पहुँचाबय बापत दश हजार रुपैयाँ देबयके प्रलोभन देखाकऽ बालकके लागू औषध ओसारपोसारमे संलग्न करौने प्रहरी नायब उपरिक्षक रविन्द्र केसी जानकारी देलनि ।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय गिरफ्तार भेल बालकके जिल्ला प्रहरी कार्यलय पर्साके महिला तथा बालबालिका कक्षमे राखलगेल जनौलक अछि ।

फ़िल्म आरक्षणके रुकावट हटल


भारत,  भादव २ । निर्माता-निर्देशक प्रकाश झाकेके बहुचर्चित फ़िल्म आरक्षण आब उत्तर प्रदेश सहो देखाओल जा सकैय । सुप्रीम कोर्ट  उत्तर प्रदेश सरकारके दिससँ आरक्षण फ़िल्मके देखाबयमे लगौने रोकके हटौने अछि ।

प्रकाश झा  उत्तर प्रदेश सरकारके फ़ैसलके सुप्रीम कोर्टमें चुनौती देन छलथि । आरक्षण फ़िल्म 12 अगस्तके रिलीज़ भेल छल मुदा क़ानून-व्यवस्थाके बात कऽ उत्तर प्रदेश सरकार अहि पऽ पाबंदी लगौने छल ।

सुप्रीम कोर्ट  अपन फ़ैसलामे कहने अछि जे उत्तर प्रदेश सरकार लग एकर अधिकार नहीं अछि कि ओ शांति व्यवस्था भंग होबयके आधार पऽ कोनो फ़िल्मके दिखाबय पऽ रोक लगाबए ।

जस्टिस एम शर्मा आ जस्टिस अनिल आर दवेके खंडपीठ कहलनि जे इ सेंसरशिप जेहन भेलास राज्य सरकार फ़िल्म के कोनो अँशके हटाबयके मांग नहि कऽ  सकैत अछि ।

सुप्रीम कोर्ट के कहब अछि जे एक बेर सेंसर बोर्ड फ़िल्म देखाबएके अनुमति दैत अछि तऽ कोनो राज्य सरकार फ़िल्मके विषय वस्तु पऽ आपत्ति नहीं जना सकैत अछि ।

मस्जिदमें बिष्फोट, ४० के मृत्यु


पाकिस्तान, भादव २ । पाकिस्तानके पख़्तूनख़्वाह प्रांतके एक मस्जिदमें भेल बिष्फोटमे कमस कम ४० गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ ७० सँ बेसी गोटे घाइल अछि । मृत्यु होबयबलाके संख्या आओर बढय सकयके आशंका रहल पुलिस जनौलक अछि ।

पुलिसके कहब अछि जे घाइलसबहक अबस्था बहुत चिन्ता जनक अछि ।

क़बायली इलाक़ाके ख़ैबर ज़िलाके घुंडी गाँवमे सैकडौ गोटे नवाज पढय जम्मा भेल समयमे मस्जिदमे बिष्फोट कराओल गेल पाकिस्तानी सँचार माध्यमसब जनौलक अछि ।

ओ इलाक़ा अफ़ग़ानिस्तानके सीमासँ सटल अछि आ ओहिठाम तालिबान आ अल क़ायदा चरमपंथी एहन घटनासब करबैत आबिरहल अछि ।

एक वरिष्ठ अधिकारी मुतहर ज़ेब  समाचार एजेंसीके बतौलनि जे अहि घटनाके बिषयमे इ अखनधरि पता लागय नहि सकल अछि जे इ आत्मघाती हमला छल या बम बिष्फोट ।

'जनलोकपाल आबयधरि मैदान नहीं छोड़ब'


भारत, भादव २ । सामाजिक कार्यकर्ता अन्ना हज़ारे जाँ धरि लोकपालके बिल नहीं आओत ता धरि मैदान नहि छोड़ब बतौलनि अछि ।

तिहाड़ जेलमें तीन दिन बितौलाक बाद आइ हज़ारे लोगके भारी भीड़, नाराबाज़ी आ देशभक्ति के गीतके बीच रामलीला मैदान पहुँचल छलथि ।

दिल्ली पुलिस  अन्ना हज़ारेके रामलीला मैदानमें १५ दिनके अनशनके  अनुमति देने अछि । लोकसबहक भारी समर्थन के लेल अन्ना आभार व्यक्त करैत सबके बधाई सेहो देने छलथि ।

अन्ना कहलनि जे, "भारत में नयाँ क्रांति करयके अछि । दुनियाभरिमें जहाँ कतौक  क्रांति भेल अछि ओ रक्तपातसँ भेल अछि । जनताके तकलीफ़ दऽक भेल अछि । संपत्तिके नोक्सान भेल अछि मुदा आँहासबहक क्रांतिके पूरा दुनिया याद राखत । अहिंसास सेहो क्रांति केना होइत छैक से भारतके युवासब देखौलक अछि ।

ओ कहलनि जे अन्ना रहत या नहि रहत संघर्षके मशाल मिझाएके नहि चाही । देशके उज्ज्वल भविष्य आब दूर नहि अछि । अपनेसब निक भविष्य दऽक रहब । जे गद्दार देशके लूटने अछि ओकरा हम बर्दाश्त नहि करब ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन