Friday, April 15, 2011

सरकार आ मजदुर संगठनबीच तीनबुँदे सहमति


काठमाण्डौ, बैशाख २ ।  आन्दोलनरत मजदुर संगठन आ सरकारबीच तीनबुँदे सहमति भेल अछि ।
 श्रम मन्त्रालयमे आइ श्रममन्त्री टोपबहादुर रायमाझी आ विभिन्न १० टा मजदुर संगठनसभबीच भेल वार्तामे तीन बुँदे सहमति भेल माओवादी मजदुर नेता बद्री बजगाई जानकारी देलनि ।
वार्तामे चैत १० गते प्रमुख तीन दल सम्बद्ध मजदुर संगठन आ नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघबीच भेल ११ बुँदे सहमति खारेज करयके, मजदुरके मासिक तलब ४६ सयमे १६ सय रुपैयाँ बृद्धि करयके आ दैनिक ज्यालादारीमे काम करयबला मजदुरसबहक दैनिक मजदुरी दु सय ३१ रुपैयाँ कायम करयके सहमति भेल अछि ।
बृद्धि कएलगेल १६ सय तलवमे न्युनतम तलव ५ सय रुपैयाँ आ भत्ता ११ सय बृद्धि कएलगेल छल । अहिस आगु भेल ११ बुँदे सहमतिमे १५ सय बृद्धि कएलगेल तलबमे न्युनतम तलव ५० रुपैयाँ आ भत्ता १४ सय बृद्धि कएलगेल छल ।

संविधान नहि बनतः बैद्य


पोखरा, वैशाख २ । माओवादी उपाध्याक्ष मोहन बैद्य जेठ १४ मे संविधान बनयके सम्भावना नहि रहल बतौलनि अछि ।
अखनधरि संविधानके ड्राफ्ट बनाकऽ जनतालग पहुँच जाएक चाही समयमे राज्य पुनर्सरचना, शासकीय स्वरुप आ निर्वाचन प्रणालीके जटील प्रकृयामे पार्टीसभ ओझराएलासँ  संविधान नहि बनयके अवस्था रहल हुनक कहब छलनि ।
 मार्क्सवादी अध्ययन स्रोत केन्द्रके प्रथम साधारण सभाके आइ उदघाटन करैत उपाध्यक्ष बैद्य माओवादी लडाकुके सम्मानजनक समायोजन नहि भ शान्ति प्रकृया निश्कर्षमे नहि पहुँचत दावी केलनि । ‌ओ संसदीय ब्यवस्थाके संविधान असफल भऽ गेलासँ २०४७ के जेहन संविधान बनत त जनआन्दोलन आ जनविद्रोहके विकल्प नहि रहत बतौलनि ।
 संबैधानिक समिति आ सभामुख तथा एमाले, कांग्रेस संविधान निर्माणमे ध्यान नहि दऽ एकतर्फी रुपमे माओवादीके मात्रे दोष देने हुनक  आरोप छलनि ।
 ओ २०४७ के संविधानके कारण माओवादीके सशस्त्र युद्ध करय परल कहैत फेउर ओहन अवस्था नहि आबय जका संविधान बनाबय परत बतौलनि  

'कांग्रेस माओवादीके निःशस्त्र बनाबयके अभियानमे'


पोखरा, वैशाख २ । कांग्रेस संसदीय दलका नेता रामचन्द्र पौडेल अपने हस्तक्षेप कऽ महिला तथा युवा सहितक भातृ संगठन विघटन रोकि कऽ नेविसंघमे मात्रे सीमित रखने दाबी केलनि अछि ।
 आन्तरिक विवादमे ओझराकऽ शान्ति आ संविधानक मुद्धाके ओझराहटमे राखय नहि चाहि कहैत  हस्तक्षेप बिना केनेही भातृ संगठनके विवादके अखन साम्य केने बतौलनि । 'कांग्रेसके आब आन्तरिक विवादमे नहि ओझराकऽ माओवादीके निःशस्त्र आ देशके हिंसामुक्त बनाबयके अभियानमे लागय परत कहैत हस्तक्षेप करही परल ', पूर्व केन्द्रीय सदस्य तथा सांसद स्वर्गीय कृष्णबहादुर गुरुङके १३ हम् पुण्यतिथिमे कास्की कांग्रेसद्वारा आइ आयोजित श्रद्धाञ्जली सभामे पौडेल कहलनि ।
ओ माओवादी नहि चाहत तयियो आब कांग्रेसक नेतृत्वमे शान्ति आ संविधानके निश्कर्षमे  पहुँचाकऽ छोडत बतौलनि । माओवादी लडाकु आ हतियारसहित बनयबला संविधानके कोनो अर्थ नहि रहलासँ ओइके बिरुद्ध लागय परत कहैत पौडेल बैशाख ११ गते पोखरसँ अभियान शुरु कएल जाएत बतौलनि ।

मोडेल शुभेच्छा थापा ‍( फोटो सहित )

नायिका शुभेच्छा थापा सह नायिकाके रुपमे सारी लगाकऽ नेपाली चलचित्रमे प्रबेश केने छलीह । मुदा ओ कहैत छथि सेक्स प्रकृति सृष्टीके देने अपरिहार्य बस्तु छैक । सेक्स बिना सृष्टीके निरन्तरता आ जीवन सम्भव नहि छैक आ दोसर भाषामे कहय परत त सेक्से जीवन अछि ।' जीवनसँगे जुडिकऽ सेक्स अबैत अछि आ सेक्सेसँ जीवनक सुरुवात होइत अछि कथन अइ अभिनेत्रीके अछि ।

शरणार्थी वार्ता शुरु करय भुटान सहमत


काठमाण्डू, बैशाख २ । भुटान शरणार्थी समस्याक विषयमे स्थगित वार्ता शुरु करय सहमत भेल अछि ।
 प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसंग आइ भेल भेटमे भुटानी प्रधानमन्त्री जिग्मी वाई थिन्ले भुटान शरणार्थी समस्याक विषयमे स्थगित वार्ता शुरु करय सहमत भेल जानकारी देलनि
भुटानीसभकेँ कोना फिर्ता पठाओल जाय ताहि विषयमे वार्ता शुरु करय ओसभ सहमत भेल अछिप्रधानमन्त्रीक विदेश मामिला सल्लाहकार मिलन तुलाधर कहलन्हि । मुदा कहियासँ शुरु करव से कुटनीतिक माध्यमसँ तय कएल जायत ओ बतौलनि । नेपाल आ भुटानवीचक वार्ता स्थगित भेल करिव एक दशक भऽ गेल अछि ।
नेपाल आ भुटान सरकार स्तरमे भेल १५ वेरक वार्ता असफल भेल समय शाही शासनकवाद स्थगित भेल छल । वार्ता स्थगित भेलाकवाद शुरु भेल तेसर देश पुनर्वास कार्यक्रमके संगे स्वदेश फिर्ताक मांग कमजोर होइत गेल अछि ।
भेटकवाद भुटानी प्रधानमन्त्री थिन्ल नेपाल आ भुटानकेँ लक्ष्य समान रहल कहैत मिल कऽ आगु बढय भुटान तयार रहल वतौलन्हि । प्रधानमन्त्रीक कार्यालयमे भेल भेटमे आपसी हित सहितक विषयमे बिमर्श भेल छल ।
सार्ककेँ वर्तमान अध्यक्ष सेहो रहल थिन्ले ६ महिनाकवाद माल्दिभ्सकेँ मालेमे होवयवला सार्क शिखर सम्मेलन तयारी सम्वन्धमे वात करय नेपाल आएल छलथि । तहिना थिन्ले राष्टपति डा. रामवरण यादवसँ सेहो भेट कएलन्हि अछि ।
अहि क्रममे हुनका काल्हि माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड आ नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशील कोइरालासँ सेहो भेटघाट करवाक कार्यक्रम छन्हिकाल्हि स्वदेश घुरयसँ पहिने भ्रमण सम्वन्धमे जानकारी देवय थिन्ले पत्रकार सम्मेलन सेहे करता बताओलगेल अछि

लागु औषध सहित २ गोटे गिरफ्तार


जलेश्वर, बैशाख २ । लागु औषध सहित आइ महोतरीके बर्दिबाससँ २ गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।
गिरफ्तार होबयबलामे बर्दिबास १ के कमलराज न्यौपाने आ गुञ्ज नारायण श्रेष्ठ रहल अछि । पुलिस ओकरसभहक सँगसँ ५२ बोतल कोरेक्स आ ४ सय ३६ टा स्पास्मो प्रोक्सिम टेबलैट बरामद केने इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिबासक प्रहरी निरिक्षक लाल गोबिन्द श्रेष्ठ बतौलनि अछि ।

दार्जिलिङमे नेपाली च्यानल प्रतिबन्ध / पत्रपत्रिकामे सेहो निगरानी


सिलिगुडी, वैशाख २ १५ हम् विधानसभा निर्वाचनक पूर्व सन्ध्याम पश्चिम वंगाल राज्यक निर्वाचन आयोग नेपाली टेलिभिजन च्यानलके दार्जिलिङ क्षेत्रम प्रतिवन्ध लगाबि रहल अछिआबयबला  सोमदिन दार्जिलिङम निर्वाचन होबय जाऽरहल अछि
निर्वाचनक समय नेपाली भाषीके उत्तेजित करय जेहन कार्यक्रम प्रशारण होबय सकबाक  आशंकासँ आयोग नेपाली टेलिभिजन च्यानलके प्रतिवन्ध लगौलक अछि । नेपाल टेलिभिजन, कान्तिपुर टेलिभिजन सहितक नेपाली च्यानल सेटालाइट मार्फत विश्वभरि प्रशारण होइत आबि रहल अछि
आयोग  एक सूचना जारी कऽक नेपालीके सँगहि बंगलवादेशी च्यानल प्रशारणम समेत रोक लगौने अछि । आयोग अहबेरक विधानसभा चुनावके बेसी महत्वक साथ लऽ रहलासँ विदेशी केवल च्यानलप्रति कडा नजर राखलगेल बताइलगेल अछि
आयोग नेपाली छापा पत्रपत्रिकाके उपर समेत कडा निगरानी कऽरहल जनाओलगेल अछि

पोखरिमे डुबि कऽ एके सँग ५ बालिकाके मृत्यु


नागेन्द्र कर्ण, जलेश्वर, बैशाख २ । सिमावर्ती मधवापुरमे एके टोलक ५ बालिकाके डुबिकऽ मृत्यु भेल अछि ।
आइ बेरियामे पोखरिमे एक्के सँग नहाए गेल ५ बालिकाके डुबिकऽ मृत्यु भेलाबाद पुरा गाम शोकमे डुबल अछि ।
मृत्यु होबयबलामे भारत बिहारक मधवपुर प्रखण्डक रामपुर गामके इस्लामटोल रहनियार १८ बर्षक इसरत खातुन, १३ बर्खक नसिमा खातुन, १३ बर्खक गुलनाज खातुन, ११ बर्खक सहनाज खातुन आ ९ बर्खक हसिना खातुन रहल अछि ।
ओ शबसभके पोष्टमार्टमके लेल मधवापुर अस्पतालमे राखल गेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन