Friday, April 15, 2011

सरकार आ मजदुर संगठनबीच तीनबुँदे सहमति


काठमाण्डौ, बैशाख २ ।  आन्दोलनरत मजदुर संगठन आ सरकारबीच तीनबुँदे सहमति भेल अछि ।
 श्रम मन्त्रालयमे आइ श्रममन्त्री टोपबहादुर रायमाझी आ विभिन्न १० टा मजदुर संगठनसभबीच भेल वार्तामे तीन बुँदे सहमति भेल माओवादी मजदुर नेता बद्री बजगाई जानकारी देलनि ।
वार्तामे चैत १० गते प्रमुख तीन दल सम्बद्ध मजदुर संगठन आ नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघबीच भेल ११ बुँदे सहमति खारेज करयके, मजदुरके मासिक तलब ४६ सयमे १६ सय रुपैयाँ बृद्धि करयके आ दैनिक ज्यालादारीमे काम करयबला मजदुरसबहक दैनिक मजदुरी दु सय ३१ रुपैयाँ कायम करयके सहमति भेल अछि ।
बृद्धि कएलगेल १६ सय तलवमे न्युनतम तलव ५ सय रुपैयाँ आ भत्ता ११ सय बृद्धि कएलगेल छल । अहिस आगु भेल ११ बुँदे सहमतिमे १५ सय बृद्धि कएलगेल तलबमे न्युनतम तलव ५० रुपैयाँ आ भत्ता १४ सय बृद्धि कएलगेल छल ।

संविधान नहि बनतः बैद्य


पोखरा, वैशाख २ । माओवादी उपाध्याक्ष मोहन बैद्य जेठ १४ मे संविधान बनयके सम्भावना नहि रहल बतौलनि अछि ।
अखनधरि संविधानके ड्राफ्ट बनाकऽ जनतालग पहुँच जाएक चाही समयमे राज्य पुनर्सरचना, शासकीय स्वरुप आ निर्वाचन प्रणालीके जटील प्रकृयामे पार्टीसभ ओझराएलासँ  संविधान नहि बनयके अवस्था रहल हुनक कहब छलनि ।
 मार्क्सवादी अध्ययन स्रोत केन्द्रके प्रथम साधारण सभाके आइ उदघाटन करैत उपाध्यक्ष बैद्य माओवादी लडाकुके सम्मानजनक समायोजन नहि भ शान्ति प्रकृया निश्कर्षमे नहि पहुँचत दावी केलनि । ‌ओ संसदीय ब्यवस्थाके संविधान असफल भऽ गेलासँ २०४७ के जेहन संविधान बनत त जनआन्दोलन आ जनविद्रोहके विकल्प नहि रहत बतौलनि ।
 संबैधानिक समिति आ सभामुख तथा एमाले, कांग्रेस संविधान निर्माणमे ध्यान नहि दऽ एकतर्फी रुपमे माओवादीके मात्रे दोष देने हुनक  आरोप छलनि ।
 ओ २०४७ के संविधानके कारण माओवादीके सशस्त्र युद्ध करय परल कहैत फेउर ओहन अवस्था नहि आबय जका संविधान बनाबय परत बतौलनि  ।

'कांग्रेस माओवादीके निःशस्त्र बनाबयके अभियानमे'


पोखरा, वैशाख २ । कांग्रेस संसदीय दलका नेता रामचन्द्र पौडेल अपने हस्तक्षेप कऽ महिला तथा युवा सहितक भातृ संगठन विघटन रोकि कऽ नेविसंघमे मात्रे सीमित रखने दाबी केलनि अछि ।
 आन्तरिक विवादमे ओझराकऽ शान्ति आ संविधानक मुद्धाके ओझराहटमे राखय नहि चाहि कहैत  हस्तक्षेप बिना केनेही भातृ संगठनके विवादके अखन साम्य केने बतौलनि । 'कांग्रेसके आब आन्तरिक विवादमे नहि ओझराकऽ माओवादीके निःशस्त्र आ देशके हिंसामुक्त बनाबयके अभियानमे लागय परत कहैत हस्तक्षेप करही परल ', पूर्व केन्द्रीय सदस्य तथा सांसद स्वर्गीय कृष्णबहादुर गुरुङके १३ हम् पुण्यतिथिमे कास्की कांग्रेसद्वारा आइ आयोजित श्रद्धाञ्जली सभामे पौडेल कहलनि ।
ओ माओवादी नहि चाहत तयियो आब कांग्रेसक नेतृत्वमे शान्ति आ संविधानके निश्कर्षमे  पहुँचाकऽ छोडत बतौलनि । माओवादी लडाकु आ हतियारसहित बनयबला संविधानके कोनो अर्थ नहि रहलासँ ओइके बिरुद्ध लागय परत कहैत पौडेल बैशाख ११ गते पोखरसँ अभियान शुरु कएल जाएत बतौलनि ।

मोडेल शुभेच्छा थापा ‍( फोटो सहित )

नायिका शुभेच्छा थापा सह नायिकाके रुपमे सारी लगाकऽ नेपाली चलचित्रमे प्रबेश केने छलीह । मुदा ओ कहैत छथि सेक्स प्रकृति सृष्टीके देने अपरिहार्य बस्तु छैक । सेक्स बिना सृष्टीके निरन्तरता आ जीवन सम्भव नहि छैक आ दोसर भाषामे कहय परत त सेक्से जीवन अछि ।' जीवनसँगे जुडिकऽ सेक्स अबैत अछि आ सेक्सेसँ जीवनक सुरुवात होइत अछि कथन अइ अभिनेत्रीके अछि ।

शरणार्थी वार्ता शुरु करय भुटान सहमत


काठमाण्डू, बैशाख २ । भुटान शरणार्थी समस्याक विषयमे स्थगित वार्ता शुरु करय सहमत भेल अछि ।
 प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसंग आइ भेल भेटमे भुटानी प्रधानमन्त्री जिग्मी वाई थिन्ले भुटान शरणार्थी समस्याक विषयमे स्थगित वार्ता शुरु करय सहमत भेल जानकारी देलनि ।
‘भुटानीसभकेँ कोना फिर्ता पठाओल जाय ताहि विषयमे वार्ता शुरु करय ओसभ सहमत भेल अछि’ प्रधानमन्त्रीक विदेश मामिला सल्लाहकार मिलन तुलाधर कहलन्हि । मुदा ‘कहियासँ शुरु करव से कुटनीतिक माध्यमसँ तय कएल जायत ’ ओ बतौलनि । नेपाल आ भुटानवीचक वार्ता स्थगित भेल करिव एक दशक भऽ गेल अछि ।
नेपाल आ भुटान सरकार स्तरमे भेल १५ वेरक वार्ता असफल भेल समय शाही शासनकेवाद स्थगित भेल छल । वार्ता स्थगित भेलाकवाद शुरु भेल तेसर देश पुनर्वास कार्यक्रमके संगे स्वदेश फिर्ताके मांग कमजोर होइत गेल अछि ।
भेटकेवाद भुटानी प्रधानमन्त्री थिन्ल नेपाल आ भुटानकेँ लक्ष्य समान रहल कहैत मिल कऽ आगु बढय भुटान तयार रहल वतौलन्हि । प्रधानमन्त्रीक कार्यालयमे भेल भेटमे आपसी हित सहितक विषयमे बिमर्श भेल छल ।
सार्ककेँ वर्तमान अध्यक्ष सेहो रहल थिन्ले ६ महिनाकेवाद माल्दिभ्सकेँ मालेमे होवयवला सार्क शिखर सम्मेलन तयारी सम्वन्धमे वात करय नेपाल आएल छलथि । तहिना थिन्ले राष्टपति डा. रामवरण यादवसँ सेहो भेट कएलन्हि अछि ।
अहि क्रममे हुनका काल्हि माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड आ नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशील कोइरालासँ सेहो भेटघाट करवाक कार्यक्रम छन्हि । काल्हि स्वदेश घुरयसँ पहिने भ्रमण सम्वन्धमे जानकारी देवय थिन्ले पत्रकार सम्मेलन सेहे करता बताओलगेल अछि ।

लागु औषध सहित २ गोटे गिरफ्तार


जलेश्वर, बैशाख २ । लागु औषध सहित आइ महोतरीके बर्दिबाससँ २ गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।
गिरफ्तार होबयबलामे बर्दिबास १ के कमलराज न्यौपाने आ गुञ्ज नारायण श्रेष्ठ रहल अछि । पुलिस ओकरसभहक सँगसँ ५२ बोतल कोरेक्स आ ४ सय ३६ टा स्पास्मो प्रोक्सिम टेबलैट बरामद केने इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिबासक प्रहरी निरिक्षक लाल गोबिन्द श्रेष्ठ बतौलनि अछि ।

दार्जिलिङमे नेपाली च्यानल प्रतिबन्ध / पत्रपत्रिकामे सेहो निगरानी


सिलिगुडी, वैशाख २ । १५ हम् विधानसभा निर्वाचनके पूर्व सन्ध्यामे पश्चिम वंगाल राज्यके निर्वाचन आयोग नेपाली टेलिभिजन च्यानलके दार्जिलिङ क्षेत्रमे प्रतिवन्ध लगाबि रहल अछि । आबयबला  सोमदिन दार्जिलिङमे निर्वाचन होबय जाऽरहल अछि ।
निर्वाचनके समय नेपाली भाषीके उत्तेजित करय जेहन कार्यक्रम प्रशारण होबय सकबाक  आशंकासँ आयोग नेपाली टेलिभिजन च्यानलके प्रतिवन्ध लगौलक अछि । नेपाल टेलिभिजन, कान्तिपुर टेलिभिजन सहितक नेपाली च्यानल सेटालाइट मार्फत विश्वभरि प्रशारण होइत आबि रहल अछि ।
आयोग  एक सूचना जारी कऽक नेपालीके सँगहि बंगलवादेशी च्यानल प्रशारणमे समेत रोक लगौने अछि । आयोग अहबेरक विधानसभा चुनावके बेसी महत्वके साथ लऽ रहलासँ विदेशी केवल च्यानलप्रति कडा नजर राखलगेल बताइलगेल अछि ।
आयोग नेपाली छापा पत्रपत्रिकाके उपर समेत कडा निगरानी कऽरहल जनाओलगेल अछि ।

पोखरिमे डुबि कऽ एके सँग ५ बालिकाके मृत्यु


नागेन्द्र कर्ण, जलेश्वर, बैशाख २ । सिमावर्ती मधवापुरमे एके टोलक ५ बालिकाके डुबिकऽ मृत्यु भेल अछि ।
आइ बेरियामे पोखरिमे एक्के सँग नहाए गेल ५ बालिकाके डुबिकऽ मृत्यु भेलाबाद पुरा गाम शोकमे डुबल अछि ।
मृत्यु होबयबलामे भारत बिहारक मधवपुर प्रखण्डक रामपुर गामके इस्लामटोल रहनियार १८ बर्षक इसरत खातुन, १३ बर्खक नसिमा खातुन, १३ बर्खक गुलनाज खातुन, ११ बर्खक सहनाज खातुन आ ९ बर्खक हसिना खातुन रहल अछि ।
ओ शबसभके पोष्टमार्टमके लेल मधवापुर अस्पतालमे राखल गेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन