Sunday, July 17, 2011

माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार फेरसँ स्थगित

काठमाडौं, श्रावण १ - अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल पार्टीभितरके विवाद मिलाबय शान्ति आ संविधानके कार्ययोजना प्रस्ताव पेश केलाबाद माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार फेरसँ स्थगित भेल अछि ।

पार्टी मुख्यालय कोटेश्वर, पेरिसडाँडामे आइ १४ मिनेटमात्रे बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारमे अध्यक्ष दाहाल लिखित राजनीतिक दस्तावेज पेश केलाबाद बैसार स्थगित भेल अछि ।

दाहाल पार्टीभितरके विवाद मिलाबय शान्ति आ संविधानके बटमलाइन प्रस्तुत करत स्रोत जनैलक अछि ।। केन्द्रीय समितिमे पेस करय तयार केने लिखित राजनीतिक दस्तावेज दाहाल शनिदिन केन्द्रीय पदाधिकारी बैसारमे पेस केने छल ।

उपाध्यद्वय मोहन वैद्य, बाबुराम भट्टराई आ महासचिव रामबहादुर थापा कार्यविभाजनके मुख्य जोड द रहल समय दाहाल शान्ति आ संविधानके कार्यनीतिके पहिल प्राथमिकतामे रखने छथि । शनिदिन केन्द्रीय कार्यालयमे लिखित दस्तावेज पेस करैत दाहाल भादव १४ गतेभितर पार्टीके तर्फसँ करयबला शान्ति आ संविधानके काम आ अन्तरसंघर्ष समाधान करय महाधिवेशनके प्रस्ताव केने अछि ।

दाहाल भादब १४ भितर लडाकुके वर्गीकरण भ जाएत उल्लेख केने छथि । माओवादी अहिसँ आगु ८ सँ १० हजार लडाकु समायोजन करय सकयके प्रस्ताव राखि चुकल अछि ।

सोनक मोल तोलामे ४४ हजार रुपैयाँस नाघँके सकयके संकेत

काठमाडौ, श्रावण १ - बितल  सप्ताह लगातार नयाँ रकेर्ड कायम केने सोनक मोल आइ तोलामे ४४ हजार रुपैयाँस नाघँके सकयके संकेत देखलगेल अछि । बितल सप्ताह तोलामे ४४ हजार रुपैयाँ लग पहुँच क रेडर्क कायम केने मोल सँ अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे भेल लगातारके वृद्धिके कारण आइ आरो बढय सकबाक संकेत देखलगेल अछि ।

स्थानीय बजारमे बुधदिन नयाँ रेकर्ड कायम केने मोल फेर बढल छल ।

राजीनामा नहि देब - अर्थमन्त्री अधिकारी

१ साउन, काठमाडौं । उपप्रधान एवम अर्थमन्त्री भरत मोहन अधिकारी संसदमे पढय आगुए बजेट सार्वजनिक भेलमे अपने दोषी नहि रहल कहैत राजीनामा नहि देब प्रष्ट कयलनि अछि ।

निर्धारित समयसँ एक दिनबाद बजेट लाबयके राजनीतिक दलसबहक सहमतिए दोषी रहल कहैत ओ राजिनामा देबय परत कहनाईके कोनो तुक नहि रहल बतौलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे अर्थमन्त्री अधिकारी बजेट सार्वजनिक होबयमे निर्धारित समयसँ एक दिनबाद बजेट लाबयके सहमति दोषी भेल जिकिर कयलनि । बजेट सार्वजनिक भेल बारे छानविन करय गठित संसदीय समिति अपनाके काल्हि बजौने जानकारी दैत स्पष्ट जवाफ देब बतौलनि ।

कर्मचारीसबहक तलब बृद्धि होइतेमे मूल्यबृद्धि नहि हाएत कहैत ओ तलब बृद्धिके नाममे मूल्यबृद्धि हाएत त सरकार कडा कारवाही करत चेतावनी देलनि । ओ कहलनि जे-सरकार कडा अनुगमन करत आ ओहनके कडा कारवाही करत । एहन काज कोनो हालतमे स्वीकार्य नहि हाएत ।

साक्षात्कारमे पूर्व अर्थमन्त्री एवम सभासद डा प्रकास चन्द्र लोहनी बजेट भाषण आगुए बजेट सार्वजनिक भेल घटनाके जिम्मेवारी ल अर्थमन्त्रीके नैतिकताके आधारमे राजिनामा देबाक चाही  तर्क केलनि ।

असन्तुष्ट कर्मचारीसब अर्थ मन्त्रालय आगु धर्ना देलक

काठमाडौ , श्रावण १ । अहि बर्षक बजेटमे सरकार निचला दर्जाके कर्मचारीके उपेक्षा केने कहैत असन्तुष्ट कर्मचारीसब अर्थ मन्त्रालय आगु धर्ना देलक अछि ।
आर्थिक बर्ष २०६८०६९ के बजेटमे सरकार निचला दर्जाके कर्मचारीके उपेक्षा केने कहैत न्युन तहके कर्मचारीके तलब भता बढाबयके माँग कर्मचारीसब केलक अछि । अर्थमन्त्री भरत मँोहन अधिकारी बितल शुक्रदिन ब्यबस्थापिका सँसदमे प्रस्तुत केने बजेटमे सरकारी कर्मचारीके तलब ३० प्रतिशतसँ ४३ प्रतिशतधरि बढाओलगेल अछि ।

३८ टा जिल्ला प्रशासन कार्यालय एमआरपी वितरण करहल

काठमाडौ , श्रावण १ । सरकार आइसँ राजधानी बाहरके ३८ टा जिल्ला प्रशासन कार्यालयसँ मेसिन रिडेवल पासपोर्ट एमआरपी वितरण करहल अछि ।

 आइसँ ३८ जिल्लामे राहदानी बनाबयके आ वितरण करयर्के काज शुरु भेल परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अछि । जिल्लासँ राहदानी वितरणके लेल आवश्यक फारामसब सम्बन्धित जिल्लाम पठाचुकल गृह मन्त्रालय जनौलक अछि । सरकार भादव महिनामे थप २०  आ आसिनधरिमे पचहतरो जिल्ला प्रशासन कार्यालयसँ राहदानी वितरण करबाक तयारी क रहल अछि ।
राहदानी वितरण होबयबला जिल्लासबमे मोरङ, सुनसरी, तेह्रथुम, धनकुटा, भोजपुर, खोटाङ, ओखलढुंगा, संखुवासभा, बारा, पर्सा,  रौतहट , कास्की मनाङ, मुस्ताङ बागलुङ, पर्वत आ म्याग्दी रहल अछि ।

अहिना, आरो जिल्लासबमे लमजुङ, बर्दिया, तनहुँ, बाँके, स्याङजा, गोरखा, कैलाली, अछाम, डडेल्धुरा, कन्चनपुर, डोटी, दैलेख, सुर्खेत दार्चुला, हुम्ला आ बैतडी रहल अछि ।

२५ केजी चरेससहित महिला पक्राउ

श्रावण १, कैलाली । कैलालीके गोरीफन्टा भन्सार नाकासँ भारत ल जारहल साढे २५ किलो चरस सहित ५ गोट महिलाके पुलिस अपन नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालयके प्रमुख बसन्त कुमार पन्तके अनुसार भिन्सर साढे ८ बजे ५ गोट महिला डाँरमे बान्हिक नुका क ल जारहल २५ किलो चरस चेकजाँचक क्रममे बरामद कएलगेल अछि ।
तस्करीमे सँलग्न रहल पर्सा, बिरगँजके बाल कुमारी घिमिरे, बिष्णु बानियाँ, बिष्णु लामा, बारा सिमराके रिता मगर आ शोभा तामाङके पुलिस गिरफ्तार क कारबाही प्रकृया आगु बढाऔने जनौलक अछि ।

नहरमे डुबिक एक बालकके मृत्यु

श्रावण १, दाङ । दाङके रामपुरमे नहरमे डुबिक आइ एक बालकके मृत्यु भेल अछि ।
रामपुरके पन्त टोलमे अबस्थित नहरमे दहा क २ बर्षक बालक प्रबिण केसीके मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।
घरे लग रहल नहर कातमे खेल रहल समय ओ बच्चाके नहरमे डुबिक मृत्यु भेल बताओल गेल अछि ।

श्रेष्ठक सुनुवाइ स्थगित

काठमाडौ, श्रावण १ - संविधानसभा नियमावलीमे कोनो संवैधानिक पद रिक्त नै भ नयाँ पदके लेल सुनुवाइ करय नहि मिललाबाद बंगालादेशक लेल प्रस्तावित राजदूत सहसचिव हरिकुमार श्रेष्ठक सुनुवाइ स्थगित भेल अछि ।

संसदीय सुनुवाइ समितिमे आइ भिन्सर दु घण्टाधरि चलल बिमर्शके बाद नियमावलीके खण्ड११९ अनुसार राजदूत नियुक्तीमे सुनुवाइ या सिफारिश करय आगु पदरिक्त रहल अवस्था होबयके प्रावधान रहलास ओईमे स्पष्ट होबय समिति सहमत भेल छल ।

बंगालादेशमे कार्यरत रहल राजदूत प्रदीपकुमार खतिवडाके आगामी कात्तिक २७ मे मात्रे ४ बर्षे पदावधी समाप्त होबय लगलास पदीय रिक्तता होबय नहि देबय बितल असार ९ गते  सहसचिव श्रेष्ठक नाम राजदूतमे प्रस्ताव कयलगेल छल ।

डीभी–२०१२ के नतिजा सार्वजनिक

श्रावण १ , जनकपुरधाम । कम्प्युटर प्रोगामिङमे खरावी आएल कारण देखबैत बितल महिना रद्ध कयलगेल (भाइभर्सीटी भिसा) डिभी-२०१२ के नतिजा आइ सार्वजनिक भेल अछि ।

अमेरिकी सरकार अहिस आगु सार्वजनिक भेल डिभी चिठ्ठाके नतिजा कम्प्युटरमे आएल खरावीके कारण गलत निकलल कहैत रद्ध करयके निर्णय केने छल । निर्धारित समयस एक महिना अबेर क क डिभीके नजिता आएल अछि ।

अमेरिकी सरकारक आधिकारीक वेबसाइटमे जा क डिभी भरैत काल मिलल १६ डिजिटके कन्र्फरमेसन नम्बर, जन्म मिति, नाम आ थर टाइप क क नतिजा देखल जा सकैय ।
https://www.dvlottery.state.gov/ESC/(S(fhzkbf45gr4q4nqxbpmovquy))/Secure/StatusCheck.aspx

facebook Page Like

  • मनोरँजन