Tuesday, August 30, 2011

मलिना जितलिह मिस नेपालक ताज


१३ भादव, काठमाडौं । अहि बेरक  मिस नेपालक उपाधि धरानक मलिना जोशी भेलिह अछि ।

आइ भेल फाइनल प्रतिस्पार्धामे १८ सुन्दरीके पाछा करैत २३ वर्षक मलिना मिस नेपालक उपाधि जितलिह अछि ।

मलिनाके बितल वर्षक मिस नेपाल सदिक्षा श्रेष्ठ ताज पहिर्‍यौने छलिह । मलिना मिस वर्डमे नेपालक प्रतिनिधित्व करतिह । काठमाडौंमे एमबीए कऽरहल मलिनाके नृत्य, गीत संगित आ मोडलिङमा रुची अछि ।

प्रतियोगितामे फस्ट रनर अप अनुपमा गुरुङ भेलिह तऽ सरिना मास्के सेकेण्ड रनर अप भेलिह ।

बुधसँ लडाकू वर्गिकरण करयके माओवादीक प्रस्ताव


१३ भादव, काठमाडौं । सरकारक नेतृत्व कऽरहल एकीकृत नेकपा माओवादी समायोजन आ पुनःस्थापनामे जाएबला लडाकूसबहक वर्गिकरण प्रक्रिया काल्हिएसँ सुरु करयके निर्णय केलक अछि ।

माओवादी स्थायी समितिक आइ बैसल बैसारसँ सरकार गठन पूर्व कएलगेल घोषणा अनुसारे भादव १४ आगुए लडाकूसबहक वर्गिकरण प्रक्रिया सुरु करयके निर्णय केलक अछि । माओवादी काल्हि सेना समायोजन विशेष समितिक बैसार बजा कऽ अहिबारे निर्णय करय पार्टी उपाध्यक्ष समेत रहल प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईके सुझाव देलक अछि ।

माओवादी स्थायी समिति सदस्य वर्षमान पुन अनन्तक अनुसार तत्काल सर्वे टिमसब लडाकूसबहक शिविरमे पठाओल जाएत ।

मुदा, सचिवालयके संयोजक बालानन्द शर्मा समायोजन कएल जाएबला लडाकूसबहक संख्या, मापदण्ड, दर्जा निर्धारण विधि, पुनःस्थापना सहितकमे सहमति बिना केने वर्गिकरण प्रक्रिया सुरु नहि हाएत बतौलनि ।

हुनका अनुसार निवतर्मान प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल संयोजक रहल समय कएलगेल तयारी अनुसार समायोजन कएल जाएबला लडाकूसबहक संख्या, मापदण्ड, दर्जा निर्धारण विधी, पुनःस्थापना सहितमे राजनीतिक सहमति भेल एक सप्ताहमे बर्गिकरण प्रक्रिया सुरु कएल जाएत ।


मोटर साइकल दुर्घटनामे परि धनुषामे आइ एक गोटे घाइल


भादव १३, जनकपुरधाम । मोटर साइकल दुर्घटनामे परि धनुषामे आइ एक गोटे घाइल भेल अछि ।
ज ३ प २२१७ नम्बरक मोटरसाइकलस महेन्द्रनगरसँ अपन गाम कुर्था वाड नम्बर ९ मे घुरिरहल समय भेल दुर्घटनामे परि अन्दाजी ३२ बर्षक राम स्नेही माझी घाइल भेल अछि ।
महेन्द्रनगर आ जनकपुरक सडक खण्डके सपहि रमदैयाके बिचमे एकटा टायर गाडीमे मोटरसाइकल ठोकरेलाबाद दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि ।
अन्हारके कारण आइ साँझमे ओ दुर्घटना भेल आ घाइल माझीके इलाज जानकी मेडिकल कलेज रमदैयामे भऽ रहल बताओलगेल अछि ।

पुस्तकके बिमोचन


भादव १३, जनकपुरधाम । रामानन्द युवा क्लब जनकपुर आइ एकटा पुस्तकके बिमोचन कएलक अछि ।
सुजित कुमार झा द्धारा लिखल चिडै नामक कथा सँग्रह  पुस्तकके आइ एक समारोहके बिच बिमोचन कएल गेल अछि ।
क्लबक अध्यक्ष नबिन कुमार मिश्रक अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे माओवादीक धनुषा इन्चार्ज तथा साहित्यकार रोशन जनकपुरी, अबधेश पोखरेल, क्लबक पुर्व अध्यक्ष जिवनाथ चौधरी सहितक लोकैन्हसब ओ पुस्तकके बिमोचन कएने छलथि ।
समारोहमे अनिल मिश्र शुभकामना मन्तब्य देने छलथि तऽ पत्रकार तथा साहित्यकार श्याम सुन्दर शशि , अबधेश पोखरेल सहितक ब्यक्ति पुस्तकके समिक्षा करैत आलोचना सेहो कएने छलथि ।
७१ पेजके ओ पुस्तकमे कुल ११ टा कथा रहल आ सब कथासब प्रेमक बिषयबस्तु पर आधारित रहल कार्यक्रममे जानकारी देल गेल छल ।
समारोहमे पत्रकार राम अशिष यादव , राजेश कर्ण, बृज कुमार यादव,  साहित्यकार अशोक दत सहितक बिभिन्न बिशिष्ठ ब्यक्तिसबहक उपस्थिति छलनि ।

नेपाल रिक्सा व्यवसायी संघ धनुषा जनकपुर नगरपालिकामे आई ज्ञापन पत्र बुझओलक


जनकपुरधाम, भादव १३ । विगतमे कएलगेल सहमति कार्यान्वयन नइ भेल कहैत सहमति कार्यन्वयन करक माँग करैत नेपाल रिक्सा व्यवसायी संघ धनुषा जनकपुर नगरपालिकामे आई ज्ञापन पत्र बुझओलक अछि।
सर्वपक्षीय वैसारमे रिक्सा दर रेटके सम्बन्धमे प्रत्येक चौक पर बोर्ड राखक सहमति भेलाक बादो एखन धरि कोनो चौक पर बोर्ड नइ राखलगेल कहैत संघ अबिलम्ब सहमति कार्यान्वयन करबालेल नगरपालिकासँ माँग कएलक अछि।
तहिना नगर बस संचालनके सम्बन्धमे संघके कोनो जानकारी नइ देलगेल कहैत संघ आपत्ति जनओलक अछि।
नगर क्षेत्र भितर सेहो छोट सवारी साधन संचालन करक तैयारी भऽ रहल जानकारी प्राप्त भेल आ एहिसँ रिक्सा व्यवासयीसभक लगानी धाराशायी हएतैक उल्लेख करैत नगर क्षेत्र भितर सवारी संचालन कएलगेल तऽ रिक्सा व्यवासायी आन्दोलन करबालेल वाध्य हएतैक ज्ञापन पत्रमे उल्लेख अछि।

जनकपुरमे आई शान्तिपूर्ण विरोध प्रदर्शन


जनकपुरधाम, भादव १३ । बिभिन्न ७ सुत्रीय माँग रखैत मधेश तराई फोरम धनुषा जनकपुरमे आई शान्तिपूर्ण विरोध प्रदर्शन कएलक अछि।
उपकुलपतिके नियुक्तिमे कएलगेल,जयनगर-जनकपुर रेलवे सेवा अत्याधुनिक ढंगसँ अविलम्ब संचालन,मधेश विरोधी भन्सार नीति अबिलम्ब खारिज करक सहितक माँग राखि फोरम जनकपुरमे आई विरोध –याली प्रदर्शन कएलक अछि।
शिव चौकसँ निकलल विरोध –याली नगरके विभिन्न भागक परिक्रमा कएने छल।

उधोग वाणिज्य संघक अगामी निर्वाचनकेलेल मनोयन दर्ता


जनकपुरधाम, भादव १३ । उधोग वाणिज्य संघक अगामी निर्वाचनकेलेल उम्मेदवारसभ आई अपन अपन मनोयन दर्ता करओलन्हि अछि।
संघक अगामी २४ गते भऽ रहल निर्वाचनकेलेल अध्यक्ष पदमे सातटा व्यवसायी अपन मनोयन दर्ता करओलन्हि अछि।
अध्यक्ष पदकेलेल शिवशंकर साह हिरा,श्याम प्रसाद साह,उमाशंकर प्रसाद साह,रघुनाथ प्रसाद साह,लालबाबु साह,दशरथ साह आ प्रमोद कुमार गुप्ता मनोयन पत्र दर्ता करओलन्हि अछि।तहिना बृजनन्दन प्रसाद साह,हरि राउत,अनिरुद्ध साह सहित ८ गोटे उपाध्यक्ष पदमे मनोयन पत्र दर्ता करओलन्हि अछि।
तहिना महासचिव पदलेल ४,सचिव पदलेल ८,कोषाध्यक्षमे ८ आ कार्यसमिति सदस्यलेल ३६ गोटे अपन मनोयन दर्ता करओने संघक निर्वाचन आयोग जानकारी देलक अछि। निर्वाचन आयोगक अनुसार काल्हि दावी विरोध आ परसु उम्मेदवारी फिर्ता लेबक कार्यक्रम निर्धारण कएलगेल अछि।
उम्मेदवारसभक अन्तिम नामावली शुक्रदिन प्रकाशित कएलजएतैक बुझबामे आएल अछि।वाणिज्य संघ जनकपुरमे कुल ३ हजार ३ सय ५६ मतदाता अछि।

वेपत्ता कएलगेल व्यक्तिसभक विषयमे सत्य तथ्य सार्वजनिक करबामे राज्य पक्ष संवेदनशीलता नइ देखा


जनकपुरधाम, भादव १३ । माओवादी जनयुद्धक्रममे वेपत्ता कएलगेल व्यक्तिसभक विषयमे सत्य तथ्य सार्वजनिक करबामे राज्य पक्ष संवेदनशीलता नइ देखा रहल धनुषाक वेपत्ता परिवारक सदस्यसभ शिकायत कएलन्हि अछि।
अन्तराष्ट्रीय वेपत्ता दिवसके अवसर पर एडभोकेसी फोरम धनुषा जनकपुरमे आई आयोजन कएने कार्यक्रममे बजैत ओ सभ ई आरोप लगओलन्हि अछि।वेपत्तासभक खोजी कऽकऽ सत्य तथ्य सार्वजनीक करबालेल राष्ट्रीय मानव अधिकार आयोग सहित एहि क्षेत्रमे कार्यरत बिभिन्न संस्थासभमे बेर बेर जानकारी करओलाकबादो राज्य पक्षसँ एखन धरि कोनो सुनवाई नई भऽ सकल हुनकासभक कहब छलन्हि। 
कार्यक्रममे वेपत्ता परिवारक तर्फसँ सुनिता दत्त,श्री नारायण मण्डल,फुलमाया बिक,राकेश कुमार ठाकुर सहितक व्यक्तिसभ सम्बोधन कएने छलथि।कार्यक्रममे एडभोकेसी फोरम धनुषाक अध्यक्ष राजकुमार महासेठ वेपत्ता व्यक्तिसभक विषयमे एखन धरि सहि तथ्यांक आबए नइ सकल जानकारी देलन्हि अछि।
महासेठक अनुसार राष्ट्रीय मानव अधिकार आयोगक तथ्यांकके अनुसार द्धन्द्धकालमे राज्य एवम माओवादी पक्षसँ करिब ९ सय आदमीके वेपत्ता कएलगेल अछि।तहिना इन्सेकके तथ्यांक अनुसार ई संख्या करिब ९ सय ३५ अछि।
एम्हर देश भरिसँ वेपत्ता परिवारद्धारा राहतकेलेल शान्ति मन्त्रालयमे देलगेल निवेदन अनुसार ई संख्या १ हजार ६ सय ९७ अछि।तहिना वेपत्ता परिवार समाजक अनुसार द्धन्द्धके क्रममे दुनु पक्षसँ ५ हजारसँ अधिका आदमीके वेपत्ता कएलगेल अछि।
धनुषाके सन्दर्भमे ८ आदमी राज्य पक्षसँ आ १ आदमी तत्कालीन माओवादी पक्षसँ वेपत्ता कएलगेल अछि।
बिभिन्न तथ्यांकके अनुसार द्धन्द्धके क्रममे अन्य देशक तुलनामे वेपत्ताके संख्या नेपालमे सभसँ अधिक अछि।

बसक ठक्करसँ तीन गोटेके मृत्यु


बारा, भादव १३ । त्रिभूवन राजपथ अन्तर्गत बाराके अमलेखगन्जमे आइ बेरियामे भेल सडक दुर्घटनामे तीन गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

हेटौडासँ पथलैयादिस आबि रहल ना १७ प ९५७३ नम्बरक मोटरसाइकलके विपरित दिशसँ जाऽ रहल बा १ ख ९०१४ नम्बरक मकालु यातायातक बसक ठक्करसँ मोटरसाईकलमे सवार एक बालक सहित तीन गोटेके मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय बारा जनौलक अछि ।

दुर्घटनामे मोटरसाइकल चालक सुनसरीके हासपोसा गाविस वाड नम्बर २ निवासी ३० वर्षक शरण अधिकारीके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि ।

वायह दुर्घटनामे परि गम्भीर घाइल भेल रौतहटके चन्द्रनिगाहपुर गाविस वाड नम्बर ३ निवासी २७ वर्षक भारती कडेल आ नाम खुजय नहि सकल एकटा बालकके इलाजक लेल वीरगन्जदिस लऽ जाइत काल  बाटेमे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।

राहत कार्यक्रम लाबय प्रधानमन्त्री भट्टराईके निर्देशन


१३ भादौ, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई जनताके अनुभूति होबय जका राहतके कार्यक्रम लाबय सचिवसबके निर्देशन देलनि अछि ।

प्रधानमन्त्रीक कार्यालय सिंहदरबारमे सरकारक सचिवसबसँग आइ भेल बिमर्शमे प्रधानमन्त्री भट्टरार्इ जनताके अनुभूति होबय जका एक महिनाभितर केहन केहन राहतके कार्यक्रम आनल जा सकैय बिषयमे जल्दीसँ जल्दी स्पष्ट खाका प्रस्तुत करय  निर्देशन देलनि ।

आमजनताके अपेक्षा आ आकांक्षाबीचमे गठन भेल सरकारक स्थायित्वके लेल निजामती कर्मचारीसँ सहयोगके अपेक्षा केने बतबैत ओ दैनिक अत्यावश्यक उपभोग्य वस्तुसबके सहज आपूर्तिके तत्काल प्रभावकारी बनाबय निर्देशन देलनि ।

भ्रष्टाचारजन्य क्रियाकलाप नियन्त्रणके लेल अपनासँ सुरु करयबला कार्यक्रममे सहयोग पहुँचाबय आग्रह करैत प्रधानमन्त्री डा भट्टराई ओइके लेल अपन कार्यशैलीमे सुधार करय ध्यानाकर्षण करौलनि ।

प्रधानमन्त्री डा. भट्टराई शान्ति प्रक्रियाके सार्थक निष्कर्षमे पहुँचाबय आ संविधानसभासँ संविधान जारी करयके सरकारक मुख्य लक्ष्य रहल बतौने प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क सचिव सुशील जंगबहादुर राणा जानकारी देलनि ।


ठमेलमे अपहरणकारी आ पुलिसबीच गोली चलल


काठमाडौ, भादव १३ । काठमाण्डौके ठमेलस्थित एक होटलमे राखल अपहरितके मुक्त कराबयके  क्रममे आइ बेरियामे पुलिस आ अपहरणकारीबीच दुतर्फी  गोली चलल अछि । 

पुलिसक गोली लागि एक गोटे अपहरणकारी घाइल भेल अछि तऽ पुलिस दिस किछ नहि भेल अछि । घाईल  शितल तुलाधरके पुलिस इलाजक लेल अस्पताल पठौलक अछि ।

दु दिनसँ अपहरणमे परल सिंगापुरमे ब्यवसाय करयबला गोविन्द बहादुर कार्कीके सकुसल उद्दार कएलगेल अछि ।

कार्कीके अपहरण कऽक ठमेलस्थित होटेल शैलुनमे रख्ने जानकारी पौलाबाद उद्दार करय पहुँचल महानगरिय प्रहरी अनुसन्धान शाखाक पुलिस उपर गोली प्रहार केलाबाद पुलिस जवाफी फायरिङ् केने जनाओलगेल अछि ।

पुलिस अपहरणमे संलग्न अन्य दु गोटे कुशल शाक्य आ आशिश मुखियाके गिरफ्तार केने जनौलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन