Saturday, March 26, 2011

कुख्यात अंडरवर्ल्ड माफिया 'याकूजा' पठौलक जापानके मदत


टोक्यो, चैत १२ । भूकंप आर सुनामी पीड़ित जापानके संगठित अपराध माफिया याकूजा मददके पहिल सहयोग पठौलक अछि ।
याकूजा टोक्यो आ कोबे क्षेत्रस ७० ट्रकद्वारा खाना, पानि, कंबल आ अन्य राहत सामग्री उत्तरी जापानके राहत शिविरमें पठौलक अछि । जापानमें ८० हजार याकूजा समुह अछि ।
अहिबिच, फुकुशिमाके तेसर परमाणु रिएक्टर क्षतिग्रस्त भेल अछि आ बिजली सुचारू करय गेल तीन इंजीनियर रेडिएशनस घाइल भ गेल अछि । संयंत्रमें रहल पानिमें सामान्यस दस हजार गुना रेडिएशन पाओलगेल अछि । अहिस नियन्त्रणमे आबि रहल परमाणु संकट दोबारा नियन्त्रणस बाहर होबय सकयके आशंका अछि ।
जापानमें 11 मार्चके आएल सुनामी आ भूकंपके कारण अखनधरि २७ हजार गोटेके मृत्यु भेल अछि आ अहिमेस बहुतो गोटे लापता सेहो भेल अछि त करीब ४ लाख लोग बेघर भ गेल अछि ।

एरिया कमाण्डर सहित तीन नक्सली गिरफ्तार

मुजफरपुर, चैत १२ । बिहारक मुजफरपुर जिल्लाके सदर थाना अन्तर्गत एरिया कमाण्डर सहित ३ टा नक्सलीकेँ गिरफ्तार करयवला पुलिस दोसरबेर सफलता प्राप्त करैत आओर ४ टा अपराधीकेँ पकरयमे सफल भेल अछि ।
वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक राजेशकुमारक अनुसार सदर थाना अन्तर्गत भीखनपुर गामकेँ पुलिस प्रतिवन्धित भारतिय माओबादी संगठनकेँ एरिया कमाण्डर सहित तीन नक्सलीकेँ एकटा घरसँ गिरफ्तार कएल गेल अछि ।

अजिब छै यौ !


हम ?... अहिठाम लगेके शौचालय उद्घाटन कक एलौह !... आ आँहा कतय सँ ?

लीविया स अलकायदा चोरौलक मिसाइलः इदरिस

पेरिस, चैत १२ । चाडकेँ राष्ट्रपति लीवियामे चलि रहल संकटकेँ क्रममे आतंकी समूह अलकायदा उत्तरी अफ्रिकी जमीन सँ हावामे मारयवला मिसाइल चोरौने दावी कएलक अछि ।
राष्ट्रपति इदरिस देवे इन्तो एक एकटा अफ्रिकी पत्रिकाकेँ देने अन्र्तवार्तामे सत प्रतिशत विश्वासनीयताकेँ साथ इ बात बतौने छथि । मुदा ओ इ नहि बतौलथि जे कएटा मिसाइल चोराओल गेल अछि ।
इदरिस कहलन्हि जे—‘विद्रोहीकेँ इलाका वला सशस्त्र घरमे भेल लूटपाटक समयमे अलकायदा फाइदा उठौने अछि आ हतियार चोरी कएलक अछि । अहिमे जमीनसँ हावामे मारयवला मिसाइल सेहो अछि । अहिकेँ वाद ओ मिसाइलकेँ तेनेर स्थित हुनक शरणस्थली धरि नुका कऽ लगेल छल ।

भारतीय युवा सभासद्सभहक टोली नेपाल आबिरहल

काठमाण्डौ, चैत १२ । संविधान निर्माण, संघीयता सहितक विषयमे जानकारी आदानप्रदान करय भारतीय युवा सांसदसबहक ११ सदस्यीय टोली आइ नेपाल भ्रमणमे आबि रहल अछि ।
११ नेपाली सभासद भारतके भ्रमण केने पाँच महिना बाद प्रिया सुनील दत्त, अखिलेश यादव सहितक भारतीय सभासद नेपाल भ्रमण करय लागल छथि । टोली बेरियामे काठमाडौं पहुँचत संसद सचिवालय स्रोत जनौलक अछि । तत्कालिन प्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपालक भारत भ्रमणके क्रममे नेपाल आ भारतबीच भेल सहमति अनुसार दु देशके सांसदसभके पडोसी देशके परिस्थितिबारे जानकार बनाबय सांसद आदान-प्रदान कार्यक्रम सुरु कएलगेल छल ।

मोडल रुपा खनाल

आइ बङ्गलादेश स्वतन्त्रता दिवस, राष्ट्रपति, प्रधानमन्त्रीक सन्देश

काठमाण्डौ, चैत १२ । राष्ट्रपति डा रामवरण यादव बङ्गलादेशक स्वतन्त्रता दिवसक अवसरमे ओइठामक राष्ट्रपति एमडी जिल्लुर रहमानके हार्दिक बधाई ज्ञापन कएलनि अछि ।
राष्ट्रपति डा यादव एक सन्देश पठा कऽ राष्ट्रपति रहमानक खुशी आ व्यक्तिगत सुस्वास्थ्यके कामनाक सँगहि बङ्गलादेशी जनताके प्रगति आ समृद्धिके कामना कएलनि अछि । अहिना, स्वतन्त्रता दिवसक अवसरमे प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल एक सन्देश पठा कऽ अपने आ नेपाली जनताके दिस स बङ्गलादेशक प्रधानमन्त्री शेख हसिना वाजेदके हार्दिक बधाई देलनि अछि । ओ सन्देशमे दु देशबीचक मैत्रीपूर्ण सम्बन्ध आबयबला वर्षसभमे आओर घनिष्ट होयबाक विश्वास सेहो व्यक्त कएलनि अछि ।

आइ ३६ जिल्लामे हात्तीपाइले विरुद्धक दबाइ खुवाओल जा रहल

जनकपुर, चैत १२ । राष्ट्रिय हात्तीपाइले रोग निवारण अभियान अन्तर्गत आइ देशके विभिन्न ३६ जिल्लामे हात्तीपाइले विरुद्धक दबाइ खुवाओल जारहल अछि ।
२ वर्ष निचाके धियापुता, गर्भवती महिला आ अशक्त बाहेकके सभके दबाइ खाए सरकार अनुरोध केलक अछि । अभियान आइ आ काल्हि क दु दिनधरि चलत । स्वास्थ्यकर्मी आ स्वास्थ्य स्वयंमसेवीकासभ घरघरमे पहुँच कऽ दबाइ खुवाबयके व्यवस्था मिलाओलगेल स्वास्थ्य मन्त्रालय जनौलक अछि । अहि वर्ष सरकार ३६ जिल्लाके १ करोड ४३ लाख गोटेके हात्तीपाइले विरुद्धक दबाइ खुवाबयके लक्ष्य लेने अछि । अहि अभियानक लेल ९ हजार स्वास्थ्यकर्मी आ ६५ हजार स्वयंसेविकासभ खटाओलगेल अछि ।
इपिडेमियोलोजी तथा रोग नियन्त्रण महाशाखाक निर्देशक डा सरोजप्रसाद राजेन्द्र सन २०२० धरि नेपाल स हात्तीपाइले निवारण करबाक राष्ट्रिय सङ्कल्प पूरा करय अभियान सुरु कएलगेल बतौलनि । ओओ नेपालके पहाडी आ तराई क्षेत्रक २ करोड ५० लाख जनता हात्तीपाइले रोगके खतरामे रहल बतौलनि ।

आइ श्रीलंका आ इङ्ल्याण्ड बिच खेल हाएत


एजेन्सी, चैत १२ । विश्वकप क्रिकेट २०११ अन्तर्गत आइ चारिम तथा अन्तिम क्वाटरफाईनल खेल होबय जा रहल अछि ।
अन्तिम ४ मे प्रवेशके लेल आइ श्रीलंका आ इङ्ल्याण्ड प्रतिष्पर्धा करत । अहिस आगु भारत, पाकिस्तान आ न्युजिल्याण्ड अन्तिम ४ मे प्रवेश क चुकल अछि । भारत आ पाकिस्तान पहिल सेमीफाईनलमे खेलत त आजुक विजेता दोसर सेमीफाईनलमे न्युजिल्याण्डके सामना करत । श्रीलंकाके कोलम्वोमे होबय लागल आजुक खेल नेपाली समय अनुसार बेरियाके पौने तीन वजेस सुरु हाएत ।

बाँकेके सुकुम्वासी तथा भूमिहीनसभ आन्दोलित

बाँके, चैत १२ । बाँकेके सुकुम्वासी तथा भूमिहिनसभ आन्दोलमे उतरल अछि ।
नेपाल सरकार भूमि सुधार मन्त्रालय अन्तर्गत गठन भेल सुकुम्वासी समस्या समाधान आयोग बाँके सुकुम्वासीके नाममे सुकुम्वासी आ भूमिहिनसभके जमिन देब कहि प्रलोभन देखा कऽ जमिन नाप जाँच क क एखनधरि कोनो कुनै ठोस काज नै केला स अपनेसभ आन्दोलनमे उतरय बाध्य भेल सुकुम्वासी भूमिहिनसभ बतौलनि अछि ।
सम्बन्धित निकाय अपनासभके दुःख मात्रे देबयके नियत रखला स आन्दोलन करय परल ओ सभ बतौलनि अछि । काल्हि अपन माँग बारे सम्बन्धित निकायके ध्यानाकर्षण कराबय जिल्लाके बिभिन्न कार्यालयसभमे ज्ञापन पत्र बुझौने सुकुम्वासी भूमिहिन तथा अब्यबस्थित बसोवासीसभ थप आन्दोलनके कार्यक्रमसभ सेहो सार्बजनिक केलक अछि ।

कपिलवस्तुमे एक गोटेके गोली मारि कऽ हत्या

कपिलबस्तु, चैत १२ । कपिलवस्तुमे बितल राति एक गोटेके गोली मारि कऽ हत्या कएलगेल अछि ।
राति करिब पौने १२ बजे घरमे सुतल समयमे वीरपुर ५ के ५५ वर्षक धर्मराज चौधरीके एक समुह गोली मारि कऽ हत्या केलक अछि । माथ आ डाँरमे गोली लागि कऽ घाईल भेल चौधरीके लुम्बिनी मेडिकल कलेज भैरहवामे इलाजक क्रममे आइ भिन्सर मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । घटनाके बारेमे अनुसन्धान भ रहल पुलिस जनौलक अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।

facebook Page Like

  • मनोरँजन