Tuesday, February 15, 2011

माओवादी महराके नेतृत्वमे सरकारमे जाएत

ठनकास स्वयम्भूके प्रतापपुर मन्दिरमे क्षति

३ फागुन, काठमाडौं । ठनका खसिकऽ काठमाडौंके स्वयम्भू चैत्यसँगै रहल प्रतापपुर मन्दिरमे क्षति पहुँचल अछि । आइ भिन्सर पाँच बजेदिस खसल ठनकास गजुरमे क्षति पहुँचल अछि । स्वयम्भू चैत्यमे ठनका खसल इ पहिल बेर अछि ।
स्वयम्भूके प्रतापपुर मन्दिरमे विपत्ति आबयके अशुभ मानल जाति अछि । अहिस आगु २०५७ सालमे प्रतापपुर मन्दिरमे आगिलगि भेल किछ महिना बाद दरबार हत्याकाण्ड भेल स्थानीयबासीके कहब अछि ।

प्रतिस्थापन विधेयक आइ पारित हाएत

३ फागुन, काठमाडौं । व्यवस्थापिका संसद आइ प्रतिस्थापन विधेयक पारित करय लागल अछि । संविधानसभा नयाँबानेश्वरमे बेरियाके २ बजे बैसय लागल संसदक बैसारस विधेयक उपर दफावार बिमर्श क पारित करयके कार्यसूची अछि । विधेयक पारित भेलाबाद कानुनी रुपमे पूरे आर्थिक वर्षक बजेट स्वीकृत हाएत ।
सरकार बजेट अध्यादेशके निरन्तरता देबय काल्हि प्रतिस्थापन विधेयक प्रस्तुत केने छल । एकीकृत नेकपा माओवादी आ नेपाली काङ्ग्रेस सकारात्मक देखलगेलाबाद प्रतिस्थापन विधेयक सर्बसम्मतिस पारित होयबाक सँम्भावना अछि ।
पछिला कामचलाउ सरकार बजेट लाबय चाहलापर माओवादी अवरोध करितो अध्यादेश मार्फत् बजेट लाओलगेल छल । ओ अध्यादेश नयाँ सरकार बनलाबाद माओवादीके समर्थनमे पारित भेल छल ।

ट्रकक ठक्करस मोटरसाइकल चालकके मृत्यु

३ फागुन, परासी । नवलपरासीके रामनगर-१ मे बितलराती ट्रकक ठक्करस मोटरसाइकल चालकके मृत्यु भेल अछि । दुर्घटनाके क्रममे घर्षण उत्पन्न भ आगिलगि भेलास ट्रक जरिकऽ पूर्णरुपमे क्षतिग्रस्त भेल अछि ।
कागज लोड केने ना २ ख ३०३७ नम्बरक ट्रकक ठक्करस लु ९ प ४८७६ नम्बरक मोटरसाईकल चालक नवलपरासी रामग्राम १३ के ३२ वर्षक मोहन कुँवरके मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालयले जनोलक अछि । ट्रक चालकके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

लुटेरासँग गिरफतार भेल अखिल नेतासँग स्पष्टिकरण माँग

३ फागुन, काठमाडौं । अपराधिक कृयाकलापमे संलग्न रहल आशंकामे एमालेके विद्यार्थी संगठन अनेरास्ववियु कोषाध्यक्ष दीपक गौतमसँग लिखित स्पष्टिकरण मँगलक अछि ।
पाँच वर्ष आगु कमलादीस्थित बैंक अफ काठमाडौंमे भेल डकैतीमे संलग्न काभ्रे मंगलटारके टासी लामासँग साँठगाँठ भेल सामाचार सार्बजनिक भेलाबाद गौतमसँग लिखित स्पष्टिकरण माँगलगेल अछि ।
डकैतीमे संलग्न विभिन्न व्यक्तिसबसँग संलग्न भेल नै भेल बिषयमे छानबिन करय अनेरास्ववियु तीन सदस्यीय समिति समेत बनौने अछि । समितिमे उपाध्यक्षत्रय लक्ष्मण लम्साल, भीम राई आ नवराज पौडेल रहल अछि ।
कोषाध्यक्ष गौतम अपन गृहजिल्लाके पुरान साथीके नातास लामा अपनाके भेटय बजौने मुदा आपराधिक कृयाकलापमे संलग्न नै रहल दावी करैत आबिरहल छथि ।
अनेरास्ववियुके उपाध्यक्ष नविना लामा अपराधके संरक्षण नै देब आ दोषी पुष्टि हाएत त कारबाही कएल जाएत बतौलनि अछि ।
अहिबीच संगठनके विधान संसोधनबारे बिमर्श करय आई भिन्सर ११ बजे उपलब्ध सचिबालयके पदाधिकारीके बैसार बैसय लागल अछि । महासंघीय ढाँचामे जाएके निर्णय केलास अनेरास्ववियु विधान संसोधन क संरचना परिवर्तन करय लागल अछि ।
विधान संसोधनके बाद आवश्यक कार्य विभाजन कएल जाएत सचिब रचना खड्का जानकारी देलनि ।
संस्थापन आ ओली पक्षक विवादस अनेरास्ववियुके कामकारबाही प्रभावित भेलाबाद संगठनके विवाद मिलाबयके जिम्मा एमाले महासचिब ईश्वर पोख्रेल आ विद्यार्थी इन्चार्ज गोकर्ण विष्टके जिम्मा देलगेल अछि ।
विभिन्न बाहनामे दु पक्षबीच बेर बेर झडप होइत एलाबाद विवाद समाधान करय महासचिब पोख्रेलके देलगेल अछि । याह विवादस स्वतन्त्र विद्यार्थी युनियनके निर्बाचन समेत प्रभावित भ सकलास ओहिस आगुए विवाद समाधानक प्रयास कएलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन