Saturday, November 28, 2009

अगहन १३ गते

बाराके गढीमाइ मेलामे पकेटमारसबस बरामद कायल गेल नगद रकम आ सोनके सिकि्र बाटबखराके विषयके ल प्रहरीमे विवाद उत्पन्न भेल अछि । मेला अवधिभरि पकेटमारसबस बरामद कायल गेल ५० हजार रुपैया आ ४ थान सोनके सिकि्र बाँटबखराके विषयमे प्रहरी सहायक निरिक्षक बैद्यनाथ दास धर्मेन्द्र िसंह आ प्रहरी जवान देवेन्द्र पटेल बिच विवाद उत्पन्न भेल प्रहरी श्रोत जनौलक अछि । पकेटमारस बरामद कायल गेल सामान उजुरीके आधारमे सम्बन्धित व्याक्तिके फिर्ता करबाक कानूनी प्रावधान रहितो प्रहरीसब अपनेमे भागबण्डा करय लागल जिल्ल्ाा प्रहरी कार्यालय बारा श्रोत जनौलक अछि । ………………………



७३टज्ञछण्द्धस एकीकृत नेकपा माओवादी निकट अखिल क्रान्तिकारी आ राष्ट्रिय जनमोर्चा निकट अखिल छठम चितवन बीच विवादके कारण एक सप्ताहस बन्द रहल चितवनके रामपुर कृषि क्याम्पस आइस खुजल अछि । विद्याथी सङ्गठन आ क्याम्पस प्रशासन बीच शुक्रदिन भेल वार्तामे दोषीके कारबाही करबाक सहमति भेलाबाद क्याम्पस खुजल अछि । भित्तेलेखनके विषयमे ओकरासब बीच बितल शनिदिन विवाद भेलाबाद अखिल छठम क्याम्पसमे तालाबन्दी क बन्दक घोषणा केने छल । ओसब अखिल छठमके विद्यार्थी अनिलबाबु पोख्रेल हरि पौडेल आ सविन स्याँजुके क्रान्तिकारीके विद्यार्थीसब मारिपिटक घाइल बनौने आरोप लगौने छल । आइ शनिदिन भेलास क्याम्पस काल्हिस सँचालनमे आएत । ……………।



७३टज्ञछण्द्धस झापाके दमक-१३ स्थित रतुवा खोलाके कातमे एक युवकके शव भेटल अछि । दमक प्रहरीके अनुसार मङ्गोलियन वर्णके अन्दाजी २४ वर्षक ओ युवकके आइ भिन्सर शव भेटल अछि । मृतकके मुहमे चोट लागल अवस्थामे गौवासब लास देखलाबाद प्रहरीके खबर केने छल । ओ लासके सनाखत होवय नै सकल अछि । ………………॥



७३टज्ञछण्द्धस मुस्लिम धर्माबलम्बी सभक दोसर सबसँ पैघ पावनि इद उल आधा अर्थात बकरीद आइस शुरु भेल अछि । अहिबेर दु दिन बकरीद मनाओल जाएत । जनकपुर क्षेत्रमे चन्द्रमा नै देखेलास अहिबेर इ पावनि २ दिन मनाओल जारहल अछि । ओना त जनकपुरक मुसलमानसब आइए बकरीद मनारहल मदरसा हँसीय बरकातियाक मौलाना हेदायतुल्ला बतौलनि अछि । ३ दिनधरि मनाओल जायबला अहि पावनिमे पहिल दिन मुस्लिमसभ नवाज पढैत छथि । तहिना अहिमे कुर्बानीके बिषेश महत्व होइत छैक । बकरीदक अवसरमे प्रत्येक मुसलमानसबके घरमे बिषेश प्रकारक भोजन बनैत अछि । मुदा एम्हर सरकार अहि दिवसक अवसरमे काल्हि सार्वजनिक बिदा दरहल अछि । …………॥



७३टज्ञछण्द्धस आइ राष्ट्रिय क्षयरोग दिवस चेतना जगाउ क्षयरोग भगाउ नाराक सँग आइ ५६ अम् राष्ट्रिय क्षयरोग निवारण दिवस बिभिन्न चेतनामुलक कार्यक्रम क नेपालभरि इ दिवस मनाओल जारहल अछि । अहि दिवसक अवसरमे राष्ट्रिय क्षयरोग केन्द्र नेपाल क्षयरोग निवारण सँस्था बिभिन्न किसिमक चेतनामुलक र्याली सेहो निकाली रहल अछि । क्षयरोग दबाइ केलास निक होवयबला रोग रहल जानकार्ीके स्ाँग इ दिवस मनाओल जारहल अछि । नेपालमे कुल जनसँख्याके ४५ प्रतिशतमे इ रोगस सँक्रमित ब्यक्ति अछि ………………॥



७३टज्ञछण्द्धस एकीकृत नेकपा माओवादी जनवर्गिय संगठनसबकॆ भेला तथा परामर्शके आइ सेहो निरन्तरता दरहल अछि । नेवा राज्य समितिके नेता तथा कार्यकर्तासब आन्दोलनके प्रभावकारी बनावयके विषयमे परामर्श करहल अछि । परामर्शमे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड सेहो सहभागि होयबाक राज्य समितिक इन्चार्ज हितमान शाक्य जानकारी देलनि । बैसारमे अध्यक्ष प्रचण्ड निर्देशन देवाक कार्यक्रम रहल माओवादी जनौलक अछि । तहिना अखिल नेपाल प्रगतिशिल प्राध्यापक संघक प्रथम भेलामे सेहो अध्यक्ष प्रचण्ड निर्देशन देवाक कार्यक्रम रहल अछि । भिन्सर ११ बजेबाद ललीतपुरके पाटन क्याम्पसमे भेला सुरु हाएत । देशभरिके प्राध्यापकसब सहभागि होवयबला भेलास नेतृत्व सेहो चयन करत । …………………………।



७३टज्ञछण्द्धस मधेशमे सशस्त्र सँघर्षरत लिबरेशन टाइगस्र अफ तराइ इलमके सिरहा जिल्ला सैन्य कमाण्डर सहित २ गोटेके प्रहरी पक्राउ केलक अछि । मोटरसाइकलस जारहल समयमे सैन्य कमाण्डर दिनेश प्रसाद यादव आ इलमके दोसर एक गोटे कार्यकर्ता पुर्व पश्चम राजमार्गके लहानके पश्ििचमि क्षेत्रस पक्राउ परल अछि । ओकरासबहक सँगस गोली लोडेड एक थान कटुवा पैस्तौल बरामद भेल प्रहरी जनौलक अछि । …………॥



खेल समाचार

संयुक्त अरव इमिरेट्समे जारी एसीसी ट्वान्टी-टवान्टी एलिट कप कि्रकेटके अपन पाचमं खेलमे नेपाल आइ बहराइनसँग खेलत । आइ बेरियामे होवय लागल खेल नेपालके लेल छोट संभावनाके लेल मात्रे हाएत । कुवेत अपन खेल भारी अन्तरस जितलाबाद ४ मेस २ जित आ २ हारके सामना केने नेपालके जितबाक सँभावना क्षीण भेल अछि । …………………





७३टज्ञछण्द्धस सुन्ासरी आ रुपन्देहीमे बितलराति भेल सवारी दुर्घटनामे ३ गोटेके मृत्यु भेल अछि । पुर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत सुनसरीके इनरुव्ाा सडक खण्डमे पुर्वस पश्चिम दिस जारहल मे।२।प। ९३८७ नम्बरके मोटरसाइकल आ विपरीत दिशस आबिरहल को।३।प। २३३५ नम्बरके मोटरसाइकल एक आपसमे ठोकराएलास मे २ प ९३८७ मोटरसाइकलमे सवार मोरङ्ग उर्लाबारीेके हिरा देवी कोइरालाके घटना स्थलमै मृत्यु भेल अछि । मोटरसाइकल एक आपसमे ठोकराएलाबाद सडकमे खसल कोइरालाके विपरीत दिसस आबिरहल ना।३।ख। १८६२ नम्बरके बसक ठक्करस मृत्यु भेल अछि । दुर्घटनामे परि घाइल भेल बेटा नवराज कोइरालाके सुनसरी जिल्ला अस्पतालमे इलाज भरहल अछि ।

तहिना बुटवल सालझण्डी सडक खण्डके वेलबासमे बितलराति भेल गाडी दुर्घटनामे दु गोटेके मृत्यु भेल अछि त ३ गोटे गम्भीर घाइल भेल अछि । लु १ क ५४५ नम्वरके ट्रकस रोकिक राखल लु २ त ४४० नम्वरके ट्रक्याटरके ठक्कर देलास रौतहट बिसमपर ९ के ४५ बर्षाक नन्दे पटेल आ पाल्पा झुम्साके ३० वर्षक कृष्ण प्रसाद शर्माके मृत्यु भेल अछि । मृतकके पता खुजय नै सकल अछि त घाइलसबके लुम्विनी अाचल अस्पातालमे इलाज भरहल अछि । ……………………………



७३टज्ञछण्द्धस गस्तीमे रहल सैनिकके कारबाहिमे परि चितवन राष्ट्रीय निकुन्जके चितवनस्थित चुरियामाई क्षेत्रमे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । मुत्यृ होवयबलामे चितवन कुमरोज-८ के २७ बर्षक राजकुमार दराइ रहल अछि । घटनामे कुमरोज गाबिस-८ के रामनन्द दराइ आ वुदिराम दराइ पक्राउ कायल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन जनौलक अछि ।

बन्यजन्तु चोरी शिकारी करयबला ओ समुह अमृत पोष्टस खटल सैनिक टोलीउपर चुरिया क्षेत्रमे पहाडस पाथर खसाक आक्रमण करबाक प्रयास केलाबाद प्रतिकारमे सैनिक गोली चलौने जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन जनौलक अछि । मृतकके शबके पोष्टमार्ंटमके लेल भरतपुर अस्पतालमे राखल गेल अछि । घट्ना काल्हि बेरियामे होइतो बितलराति मात्रे सार्वजनिक कायल गेल छल । ओम्हर गस्तीमे रहल प्रहरी बितलराति सप्तरीके राजबिराज हनुमाननगर सडकखण्डस हतियार सहित एक गोटेके पक्राउ केलक अछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरीस गस्तिमे खटल प्रहरी टोली राजबिराज हनुमाननगर सडकखण्डके खाडो खोला लगस बकधुवा गाबिस-१ के ३५ बर्षक डम्बर शर्माके सँगस एकथान कटुवा पेस्तोल आ ओहिके एक राउण्ड गोली सहित बरामद केने प्रहरी बतौलक अछि । ……

रायलतश्र

facebook Page Like

  • मनोरँजन