Monday, March 21, 2011

राष्ट्रियता मजबुत करय सब दलके एक होबय परत: भट्टराई


दार्चुला, चैत्र ७ ।
माओवादी उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई राष्ट्रियताके विषयमे सब दलके साझा अवधारणा तयार करय परत बतौलनि अछि । ओ राष्ट्रियताके मजबुत बनाबय सब कियोके एक होबय परतमे जोड देने छलथि ।
आइ भिन्सर दार्चुलाके खलंगामे ओयोजित एक कार्यक्रममे बजैत भट्टराई कहलनि जे, ‘राष्ट्रियताके मजबुत बनाबय लेल भारतसँग जोडल सिमानाके पहिने व्यवस्थित करय परत ।’ ओ विवादके अन्त्य करय वैज्ञानिक सत्य तथ्यके आधारमे सिमासँग जोडल विवाद निर्धारण करय परत बतौलनि ।
अहिना, सिमाना विवादसंग जोडल कालापानी सिमाना विवादके महाकालीके उदगम स्थलके आधारमे विवाद अन्त्य करय परत भट्टराईके कहब छलनि । ओ आर्थिक रुपमे सवल बनय सकब तखने हमसब मजबुत हाएब बतौलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन