Saturday, September 24, 2011

पोखरिमे डुबि कऽ आइ एकटा बालकके मृत्यु


जनकपुरधाम, आसिन ७ । जनकपुरक एकटा पोखरिमे डुबि कऽ आइ एकटा बालकके मृत्यु भेल अछि ।

स्थानिय वाड नम्बर १३ पिडारी रत्न चौक रहनियार दिलिप शर्माक ६ बर्षक बेटा आनन्द शर्मा बरहीके डुबि कऽ मृत्यु भेल अछि ।

आइ भिन्सर करिब ११ बजेदिस खेलय गेल समय पिछुरि कऽ रत्न सागर पोखरिमे डुबल पुलिस जनौलक अछि । बच्चा डुबल करिब १ घण्टाबाद जानकरी भेटलाक बाद शवके पोखरि सँ निकालल गेल छल ।

शवके पोष्टमार्टमके लेल जनकपुर अँचल अस्पतालमे राखल गेल अछि ।

'घरमे स्कारपियो बाहर मुस्ताङ'


भक्तपुर, आश्विन ७ । एमाले नेता केपी ओली मधेसवादी दल आ माओवादी बीच भेल सहमतिमे १० हजार मधेसीके प्रवेश कराबयके निर्णय गलत भेल टिप्पणी केलनि अछि ।

शिविरमे रहल लडाकु व्यवस्थापन करय छोडि कऽ १० हजार मधेसीके सेनामे प्रवेश कराबयके सहमति कऽक माआवादी कु रास्तामे लागल बतौलनि ।

डेढ महिनामे शान्ति प्रक्रियाके पुरा करयके माओवादीके योजना जनताके ठकयके मात्रे रहल उल्लेख केलनि ।

शान्ति प्रक्रिया पूरा करब कहैत माओवादी भितरके लर्डाई देखावटी मात्रे रहल ओ टिप्पणी केलनि । 'चाबी चाही तऽ कुन माओवादीके कतेक झुप्पा चाबी चाही ? हम देब ।' आली कहलनि ।

सरकारक मिसन शान्ति आ संविधान कहितो मुस्ताङ गाडीके प्रचार मात्रे  भेल बतौलनि । मुस्ताङ गाडीके ओ महिसक सिंहके संज्ञा देलनि ।   लडाकु व्यवस्थापन करयके काज ओहिना छोडि कऽ सिंहके प्रचार केने जका मुस्ताङ गाडीके  प्रचार कऽ रहल ओ आरोप लगौलनि ।' ओ कहलनि 'घरमे स्कारपियो गाडी राखि कऽ बाहर मुस्ताङ गाडी चढि कऽ नाटक देखारहल अछि ।' शान्ति प्रक्रियाके एमाले मात्रे पुरा करय सकत ओ दावी केलनि ।

राजनीति नहि करय कर्मचारीसँ गृहमन्त्रीक आग्रह


पोखरा , आश्विन ७ । उपप्रधान तथा गृहमन्त्री बिजयकुमार गच्छदार ककरो नखरा के भरमे सरकार नहि खसत कहैत हालेमे सार्वजनिक राहत कार्यक्रमके प्रभावकारी रुपमे कार्यान्वयन करय सरकारी अधिकारीके निर्देशन देलनि अछि ।

आइ पोखरामे सरकारी कार्यालयके प्रमुखसबके सम्बोधन करैत कार्यबाहक प्रधानमन्त्रीसमेत रहल गच्छदार कर्मचारीसबके राजनीति बुझय मुदा राजनिति नहि करय आग्रह केलनि ।

गच्छदार केउ कल्पने नहि केने एखुनक गठबन्धन सरकारके केउ चाहियो कऽ खसाब नहि सकत दावी केलनि । ओ  योग्य प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके नेतृत्वमे शान्ति आ संविधानक काम सम्पन्न हाएत बतौलनि । कांग्रेस आ एमालेके सेहो शान्ति आ संविधानक लेल सकरात्मक रुपमे आबय परत हुनक कहब छलनि ।

अनसन तोडय पौडेल केने आग्रहके अस्वीकृत


७ आसिन, काठमाण्डौँ । कांग्रेस उपसभापति रामचन्द्र पौडेल आमरण अनसन तोडय केने आग्रहके देउवा पक्षीय कार्यकर्ता अस्वीकार केलक अछि ।

अनसनस्थल पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपा पहुँच कऽ पौडेल आइ भिन्सर अनसन तोडि कऽ सहमतिके वातावरण निर्माणक लेल आग्रह कएने छलथि । जवाफमे अनसनकारी भातृ संस्था विघटनके निर्णय फिर्ता नहि लेबयधरि अपन कदममे पुर्नर्विचार करय तयार नहि रहल बतौने छल ।

अपन प्रस्ताव अस्वीकृत भेलाबाद पौडेल विधानके अधिनमे रहि कऽ केन्द्रीय समिति केने निर्णय फिर्ता नहि हाएत बतौने छलथि । अपन पक्षक पकड रहल भातृ संस्था विघटनके विरोधमे देउवापक्षीय कार्यकर्ता बितल बुधसँ पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे आमरण अनसन करैत आएल अछि । हुनकासबसँ भेट्य जाएबला उपसभापति पौडेल संस्थापन पक्षक पहिल नेता छथि ।

माओवादी आ कांग्रेसक दबाबमे पद छोडलौः खनाल


७ आसिन, बेनी । एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल माओवादी आ कांग्रेसक दबाबमे अपने प्रधानमन्त्री पदसँ राजीनामा देबय परल बतौलनि अछि ।

एमाले म्याग्दी जिल्ला परिषद्क आइ बेनीमे उद्घाटन करैत अध्यक्ष खनाल बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक वर्तमान सरकार इतिहासेके सबसँ कमजोर सरकार भेल दाबी कएलनि । अपन नेतृत्वमे सरकार बनत तऽ चमत्कार कऽक देखा देबयके घोषणा केने माओवादीक उपाध्यक्ष भट्टराई प्रधानमन्त्री बनल एक महिना होबय लगला बादो माछी धरि नहि मारने आरोप लगौलनि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई मुस्ताङ गाडी चढि कऽ गोरखपुरदिस गेल कहैत अध्यक्ष खनाल व्यङ्ग्य कएलनि । माओवादी असगरे चाहितोमे शान्तिप्रक्रिया आगु नहि बढत कहैत खनाल राष्ट्रिय सहमतिके विकल्प नहि रहल दोहरौलनि । एमालेक साथबिना माओवादी राष्ट्रिय सहमति जुटाबय नहि सकत खनालक कहब छलनि ।

पार्टी भितरेसँ असहयोग भेलः कोइराला


७ आसिन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला महाधिवेशन समाप्त भेल एक वर्ष बितलाक बादो पार्टी भितरेसँ असहयोग भेलासँ अपने काज करय नहि सकल बतौलनि अछि ।

कांग्रेसक न्हैकाप गाउँ कमिटी आइ आयोजना केने शुभकामना तथा चायपान कार्यक्रममे बजैत कोइराला ककरो नाम उल्लेख बिना केनेही वरिष्ठ नेता देउवातर्फ लक्षित करैत काममे असहयोग भेल उपराग देलनि । पार्टीक विधि विधान अनुसार कएल गेल भातृ संस्था विघटन सम्बन्धी निर्णयमे पुर्नर्विचार होबय नहि सकत ओ दोहरौलनि ।

वायह कार्यक्रममे बजैत महामन्त्री प्रकाशमान सिंह ककरो खुसी करय पार्टी हितके लेल भेल भातृसंस्था विघटनके निर्णय सच्याबय नहि सकयके स्पष्ट कएलनि ।

चाबीके बखेडा केनाइके औचित्य नहि अछिः बोगटी


आसिन, काठमाण्डौँ । उर्जामन्त्री एवं एकीकृत नेकपा माओवादीक सचिव पोष्टबहादुर बोगटी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षके चाबी विवादक बखेडा करयके कोनो औचित्य नहि रहल बतौलनि अछि

नुवाकोट-काठमाडौँ गणतान्त्रिक मञ्च आइ राजधानीम केने चायपान तथा शुभकामना आदान-प्रदान कार्यक्रमम बजैत बोगटी वैद्य पक्ष भावनामे आबि कऽ चाबी विवादके बढौने बतौलनि । मन्त्री बोगटी वैद्यसमेतक सहमतिम अध्यक्ष प्रचण्ड महासचिव रामबहादुर थापा संयुक्त हस्ताक्षर कऽ मधेसी मोर्चासँग भेल ४ बुँदे सहमतिक आसय झल्कयबला तीन टा पत्र सरकार गठन आगुए मोर्चासमक्ष पठाओलगेल खुलासा समेत कएलनि

कार्यदिशाम कोनो असहमति नहि जनौने वैद्य पक्ष आत्मकेन्दि्रत भऽ क कामम पार्टी नेतृत्वके असहयोग कऽ रहल हुनक कहब छलनि

माओवादी गुवाइमे शान्ति संविधानके पुरा करय चाहने बात कांग्रेस एमाले बुझि कऽ विरोध केने कहैत वोगटी पार्टीभितरके वैक्ष पक्ष बात बुझय हि सकनाइ बिडम्बना भेल विचार व्यक्त कएलनि । बोगटी लम्बा समयसँ पार्टीम बाहर रहलासँ मुख्य संघर्ष प्रचण्ड बाबुराम भट्टराई बीचम ेल जेहन देखयमे अबितो  ओहन कहनाइ वैद्यसँग संघर्ष केन्दि्रत रह खुलासा कएलनि

facebook Page Like

  • मनोरँजन