Thursday, February 17, 2011

संविधानसभाके म्याद सय दिन मात्रे बाँकी

५ फागुन, काठमाडौं । संविधानसभाके थपल एक वर्षक म्याद आब सय दिन मात्रे बाँकी अछि । २ वर्षे कार्यकाल समाप्त भेला बाद बितल जेठ १४ गते संविधानसभाके म्याद एक वर्षक लेल थपलगेल छल । जेठ १४ के लेल सय दिना काउन डाउन सुरु होइतो नयाँ संविधानके मस्यौदा तयार होबय नै सकल अछि ।
एकीकृत मस्यौदा लेखनके जिम्मेवारी पौअने संवैधानिक समिति विभिन्न विषयगत समितिसबहक प्रतिवेदनके विवादित विषयसबमे बिमर्श जारी रखितो खासे प्रगति होबय नै सकल अछि । संविधानके एकीकृत मस्यौदा लेखनके जिम्मेवारी पौअने सवैधानिक समितिके सभापति निलाम्वर आचार्य संविधान निर्माण प्रति दलसबके गम्भिर होबय परत बतोलनि ।
राज्य पुनःसंरचना आयोग गठनमे भेल अबेरके कारण समितिके प्रतिवेदन संविधानसभा पारित कक सबैधानिक समितिमे नै पठाओलगेल संविधानसभा सचिवालय जनोलक अछि । विभिन्न विषयगत समितिके प्रतिवेदनके ८३ टा विषयमे दलसबबीच मतभेद अछि ।

सरकार खसाबयके षड्यन्त्र सुरु भ गेल अछि - दाहाल


काठमाडौं, फाल्गुन ५ - माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल दक्षिणपन्थीसब वर्तमान सरकार खसाबयके षड्यन्त्र सुरु केने दाबी केलनि अछि । दाहाल सरकार खसाबयके षड्यन्त्रके अपन दल विफल क देत बतोलनि अछि ।
आइ राजधानीमे वाईसीएलके चायपानमे दाहाल कहलनि अछि जे हमसब इ पक्रियाके आगु बढाबय पूर्ण प्रतिबद्ध छिं ।'
दाहाल काल्हि पोखरामे सेहो वर्तमान सरकार शान्ति आ संविधान निर्माणके कार्यभार पूरा करयके दाबी केने छलथि ।

बिद्यार्थी आ पुलिस बिच झडप

५ फागुन सिरहा । सिरहाक लहानमे आइ परिक्षा केन्द्र अन्यत्र घुसकाबयके माँग करैत बिरोध केने बिद्यार्थी आ पुलिस बिच मुडप भेलास किछ पुलिस सहित एक दर्जन प्रदर्शनकारी बिद्यार्थी घाइल भेल अछि ।
जे एस मुरारका कलेज लहानमे रहल परिक्षा केन्द्र दोसरठाम घुसकाबयके माँग करैत रोयल सफ्ट टेक कलेज आ एभरेष्ट कलेजक बिद्यार्थीसब लहान स्थित राजमार्ग अबरुद्ध क प्रदर्शन केलक अछि । अबरुद्ध बाट खोलाबय गेल पुलिस आ प्रदर्शनकारी बिच भेल मुडपमे परि एक दर्जन प्रदर्शनकारी बिद्यार्थीसब घाइल भेल अछि । बाट खोलाबयके क्रममे पुलिस ६ सेल अश्रु ग्याँस सेहो प्रहार केने बताओल गेल अछि ।
दुनु कलेजक कुल ४०० बिद्यार्थीसब परिक्षा केन्द्र दोसरठाम घुसकाबयके माँग करैत प्रदर्शन क रहल अछि ।

बहराइनमें सुरक्षाकर्मि सरकार विरोधी प्रदर्शनकारी उपर केलक आक्रमण

५ फागुन, बहराइन । बहराइनमें सुरक्षाकर्मि सरकार विरोधी प्रदर्शनकारिके एक कैंप पर आक्रमण क, आँसू गैस आ रबड़के गोली चलौलक अछि ।. विपक्ष के अनुसार कम स कम २ गोटेके मृत्यु भेल अछि त कतेकौ घाइल भेल अछि ।
बितल ४ दिन स सरकार विरोधी प्रदर्शनकारी राजधानी मानामाके मध्यमें स्थित चौबटिया प जमघट होइत छल ।.
ब्रिटानी शासनस 1971 में आज़ाद भेल बहराइनमें शिया मुसलमान बहुमतमें अछि मुदा अल्पसंख्यक सुन्नी समुदायके सदस्योंके ओइठाम शासन अछि । शियाओंके आरोप अछि कि ओकरा साथ भेदभाव होइत अछि आ बहुतो क़ानून निष्पक्ष नै अछि ।

माँग सम्बोधन नै होबयधरि सरकारमे नै जाएके फोरमक अडान

काठमाडौ, फाल्गुन ५ - मधेसी जनअधिकार फोरम (नेपाल) अपन तीनबुँदे माँग सम्बोधन नै होबयधरि सरकारमे नै जाएत जनोलक अछि । अध्यक्ष उपेन्द्र यादव सरकारक नेतृत्वकर्ता दलस माँग सम्बोधन करयके लिखित प्रतिबद्धता आ विश्वासनीय आधार हाएत तखने अपन पार्टी सरकारमे सहभगी हाएब उल्लेख केलक अछि ।
फोरम जेठ १४ मे संविधान जारी, ओइस आगु शान्ति प्रक्रियाके निश्कर्षमे पहुँचाबयके आ मधेसक मुद्दा सम्बोधनके सरकारमे सामेल करयके प्रमुख सर्त तोक्ने अछि ।
आइ अध्यक्ष यादव माँग सम्बोधन नै हाएत त सवल प्रतिपक्षके भूमिकामे फोरम रहत बतोलनि । एमाले आ माओवादी सरकारमे दु तिहाई पहुँचाबऽ फोरमके सरकारमे सहभागी कराबयके कसरत करय लागल अछि ।
अहिस आगुके किछ आकर्षक मन्त्रालय हुनका देबय गठबन्धन सरकारक नेतृत्वकर्ता दल एमाले राजी भ चुकल अछि । फोरमके सरकारमे सहभागी कराबय एमाले माओवादीक शीर्षस्थ नेतासब अध्यक्ष यादवसँग आइ भेटघाट करय लागल अछि ।

समुद्री लुटेरासब अत्यंत संगठित रुपस काम क रहल

५ फागुन, अमेरिका । सोमालियाके समुद्री लुटेरासब अत्यंत संगठित रुपस काम क रहल अमेरिका जनोलक अछि ।
अमरीकाके एक शीर्ष अधिकारीके कहब अछि जे सोमालियाके समुद्री लुटेरासब अत्यंत संगठित रुपस काम क रहल अछि आ ओकरा समाप्त केनाइ अफ़गानिस्तानमें शांति लाबयस बेसी मुश्किल अछि ।
समुद्री लूट आ अहि किसिमक मामिलामे अमरीकी राष्ट्रपति बराक ओबामाके सहयोगी डोना हॉपकिंस बीबीसीस बात करैत बतौलनि जे बितल साल समुद्री लुटेराके फिरौतीमें छ करोड़ डॉलर रकम देलगेल जाहिके किछ हिस्सा लुटेरासबके मिलल अछि । अहि फिरौतीके बड़का भाग अंतरराष्ट्रीय अपराध नेटवर्कके देल जाति अछि. ।

स्थायी समितिक बैसार ३ बजे घुसकल

५ फागुन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल एकीकृत नेकपा माओवादीके समेट क आइ मन्त्रिपरिषद विस्तारके तयारी कएलनि अछि ।
सात बुँदे सहमतिके थप व्याख्या बाद गृह सहितक महत्वपूर्ण मन्त्रालय बाँटफाँटमे काल्हि माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ आ प्रधानमन्त्री खनालबीच सहमति भेलाबाद मन्त्रिपरिषद विस्तारके तयारी कएलगेल अछि ।
दु दलक आन्तरिक बिमर्शके बाद मात्रे मन्त्रिपरिषद विस्तारके निर्णय हाएत माओवादी स्थायी समिति सदस्य देव गुरुङ जानकारी देलनि । ओ आइ मन्त्रिपरिषद विस्तार हाएत कि नै से एमालेमे भर परत बतोलनि ।
मन्त्रिपरिषद विस्तार आ सात बुँदे सहमतिके ल क पार्टी भितर सुरु भेल विवाद समाधानके विषयमे बिमर्श करय बेरियामे एमाले स्थायी समितिके बैसार बैस जारहल अछि । एमाले लेबय लागल निर्णयके आधारमे धारणा बनाएब कहैत माओवादी भिन्सर एघार बजे बैसत कहलगेल स्थायी समितिक बैसार बेरियाके तीन बजेके लेल घुसकाओलगेल अछि ।
पार्टी भित्र सल्लाह नै क गृह मन्त्रालय माओवादीके देबय प्रधानमन्त्री एवम् पार्टी अध्यक्ष खनाल सहमति जनौने कहैत ओलीपक्ष विरोध करैत आएल अछि ।
प्रधानमन्त्री खनाल आ माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डबीच काल्हि ११ मन्त्रालय माओवादी आ ८ मन्त्रालय एमालेके लेबाक सहमति भेल छल ।

जिशिका महोत्तरीमे दरबन्दी अनुसारके कर्मचारी नइ रहलासँ कामकाज प्रभावित

५ फागुन, महोतरी । जिल्ला शिक्षा कार्यालय महोत्तरीमे दरबन्दी अनुसारके कर्मचारी नइ रहलासँ एक वर्षसँ कार्यालयके कामकाज प्रभावित होइत आएल अछि ।
कार्यालयमे २३गोटे कर्मचारीके स्वीकृत दरबन्दी भेलाबादो लम्बा समयसँ १२ गोटे कर्मचारी मात्र कार्यरत अछि। जनशक्तिके अभावसँ कार्य सम्पादनमे समस्या भेल जिल्ला शिक्षा अधिकारी सुरेशप्रसाद सिंह जानकारी देलन्हि अछि।
कार्यालयमे शाखा अधिकृत दु टा , विद्यालय निरीक्षक चारि टा, प्राविधिक सहायक चारि टा आ एकटा खरिदार सहित ११ गोटे कर्मचारीके दरबन्दी रिक्त रहल कार्यालय जनओलक अछि।

वीपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे तालाबन्दी

५ फागुन, सुनसरी । विपि कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे कार्यरत कर्मचारीसभ कल्याण मञ्च आ नर्सिङ वेल्फेयर कमिटि संयुक्तरुपमे आइ भोरे ९ बजेसँ अनिश्चितकालिन तालाबन्दी केलक अछि।
मंच आ नर्सिङ उपकुलपति प्रा.डा पुर्णचन्द्र कर्माचार्य, रजिष्टार नन्दकुमार थापा, शिक्षाध्यक्ष प्रा. डा रुपासिं राजभण्डारी आ अस्पताल निर्देशक प्रा.डा. बलभद्रप्रसाद दासके कार्यकक्षमे तालाबन्दी केलक अछि। तालाबन्दीबाद प्रतिष्ठानमे विमारी इलाज सेवा प्रभावित भेल अछि।
प्रतिष्ठानके सर्वोच्च कार्यकारिणी सिनेटके एक सप्ताह पहिने बैसल बैसारमे कर्मचारीके हितमे कोनो निर्णय पारित नइ कर कहलाबाद मंच प्रमुख चारि गोटेके कार्यकक्षमे तालाबन्दी केलक अछि। प्रतिष्ठान प्रसासनसंग मंच आ कमिटिक पदाधिकारीके आइ भेल वार्ता विना निष्कर्ष सम्पन्न भेलाबाद तालाबन्दी करए बाध्य भेल मंचक सचिव सुजेन्द्र तामाङ् बतओलन्हि अछि।

बस दुर्घटनामे १० गोटे घाइल

५ फागुन, दाङ । दाङमे आइ भिन्सर यात्रिबाहक बस उलटलासँ १० गोटे घाइल भेल अछि । नारायणपुरसँ घोराहीके लेल छुटल रा १ ख ४६७ नम्बरके मिनी माइक्रो बस नारायणपुर गाबिसके सौडिकुला नजदिक उलटल अछि।
दुर्घटनामे गम्भीर घाइल ४ गोटेके नेपालगन्ज रेफर काएलगेल अछि तऽ अन्यके राप्ती उपक्षेत्रीय अस्पताल घोराहीमे इलाज भऽ रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय दाङ जनओलक अछि। घाइल होबबलामे महिला आ कलेजके बिद्यार्थीसभ रहल अछि।

माओवादी एमालेके निर्णयके बाट तकलक

५ फागुन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल एकीकृत नेकपा माओवादीके समेटि कऽ आइ मन्त्रिपरिषद विस्तारके तयारी केलन्हि अछि।
सात बुँदे सहमतिके थप व्याख्याबाद गृह सहित महत्वपूर्ण मन्त्रालय विभाजनमे काल्हि माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’आ प्रधानमन्त्री खनाल बीच सहमति भेलाबाद मन्त्रिपरिषद विस्तारके तयारी काएलगेल अछि।
मुदा ओहिसँ पहिने भोरे ११ बजे माओवादी आ दुपहर १२ बजे एमालेके स्थायी समितिक बैसारमे मन्त्रिपरिषदमे सहभागी होबएबालासभके नामावली तय काएल जाएत जनाओलगेल अछि। दुनु दलके आन्तरिक विमर्शबाद मन्त्रिपरिषद विस्तारके निषकर्ष लगाओल जाएत माओवादी स्थायी समिति सदस्य देव गुरुङ जानकारी देलन्हि अछि। ओ आइ मन्त्रिपरिषद विस्तार हाएत कि नइ एमालेमे भरपरल बतओलन्हि अछि।
मन्त्रिपरिषद विस्तार आ सात बुँदे सहमतिके लऽ कऽ पार्टी भितर सुरु भेल विवाद समाधानके विषयमे विमर्श करके लेल दुपहर एमाले स्थायी समितिके बैसार बसि रहल अछि।
प्रधानमन्त्री खनाल माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड बीच काल्हि ११ मन्त्रालय माओवादीके आ ८ मन्त्रालय एमाले लेबाक सहमति भेल छल।

facebook Page Like

  • मनोरँजन