Monday, October 04, 2010

रौतहटके बन्जारामे बितलराति पुलिसक कारबाहीके सशस्त्र समुहक एक कार्यकर्ताके मृत्यु भेल अछि ।

मृतक रौतहट सँग्रामपुर १ के तराइ मधेश फोस्र नामक सशसत्र समुहक रौतहट अध्यक्ष रघुबिर कहायबला राजकुमार पटेल रहल पुलिस जनौलक अछि ।

नेपाल भारत सिमास्थित बकैया नदीके बाँध लग सादा पोशाकमे रहल पुलिसक गस्ती टोली आ सशस्त्र समुहक कार्यकर्ताबिच बितलराति ९ बजे दुतर्फी गोली चललास पटेल मारल गेल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट दावा कएलक अछि । पुलिस घटनास्थलस २ थान थि्र फिप्ाटिन बन्दुक एक थान गि्रनेड बम बनाबयबला सामाग्री आ १० राउण्ड गोली बरामद भेल पुलिस जर्नौलक अछि ।

ुुुुु॥

डेँगु तथा लेप्टो स्पाइरोसीस नवलपरासीमे ७ गोटेके मृत्यु भेल अछि । नवलपरासीमे डेगुँस ४ आ लेप्टो स्पाइरोसीस ३ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

जिला जनस्वास्थ्य कार्यालय नवलपरासीके अनुसार जिलाके शिब मन्दिर २ के अनिता रेग्मी रमा चापागाई मधु सापकोटा आ कावासोती ५ के दिपक ठकुरीके डेगुँस मृत्यु भेल अछि । अहिना लेप्टो स्पाइरोसिसस गैँडाकोटके रबि कँडेल कावासोती गाबिसके मनखु महतो आ मनोé2; सोती मगरके मृत्यु भेल अछि ।

ुुुुुुु।

अहि बर्ष दशमीके टीकाके शुभ समय १० बाजिक ४३ मिनेटमे रहल नेपाल पन्चाङ निर्णायक समिति जनौलक अछि । शुभ समय तोकले समयमे रहितो दिन भरि टिका लगाओल जा सकैय समिति जनौने अछि ।

अहिस आगु भिन्सर ८ बाजिक ४७ मिनेटके समयमे दशै घरमे रहल देबीके बिसर्जन कायल जाएत । अहि बेरक टिकाके दिन आसिन ३१ ग्ते रहल अछि । अहिना कलस्थापनके लेल भिन्सर ९ बाजिक ४१ मिनेटके समय शुभ रहल अछि ु।

ुुुुु।

एकिकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष प्रचण्ड नेपाली काँगे्रसक प्रधानमन्त्रीक उम्मेदबार रामचन्द्र पौडेल याह आसिन २० गतेस आगुए उम्मेदबारी फिर्ता लेताह से बिश्वास ब्यक्त केलनि अछि ।

३ दिन आगु मलेसियाके राजधानी क्वालालमपुर पहँुचल दाहाल मलेसियास्थित नेपाली दुताबासद्धारा आयोजित सम्मान कार्यक्रममे देशके राजनितिक सहमतिके आधारमे आगु बढिरहल बतौलनि ।

एसिया प्यासिफिक एक्सचेन्जके सम्मेलनमे भाग लेबय ओहिठाम पहँुचल दाहालके सम्मान करय आयोजित कार्यक्रममे गैर आवासिय नेपाली सँघक पदाधिकारी नेपाली ब्यापारी पत्रकार एवम अन्य क्षेत्रक प्रतिनिधिक उपस्थिति छल ।

ुुुुु

च्ाालक ओकिल बुढाथोकी हत्याके बिरोधमे यातायात ब्यबसायीसब केने यातायाय बन्दस आइ मध्य आ सुदुरपश्चिमके जनजिवन प्रभाबित भेल अछि ।

बन्दक कारण राप्ती कर्णाली भेरी सेती आ महाकाली अन्चलमे चलयबला लम्बा तथा छोट दुरीके कोनो सवारी साधनसब चलय नै सकल अछि । दशैके समयमे गाडी बन्द भेलास सर्बसाधारणके सम्स्या भरहल अछि । अपनासब रखने मागके सुनुवाइ नै भेलास यातायात बन्द करय बाध्य भेल अखिल नेपाल यातायात मजदुर सँघक केन्द्रिय सदस्य इश्वरी पाण्डे जानकारी देलनि । आइ नेपाल यातायात ब्यबसायी राष्ट्रिय महासँघ राजधानीमे पत्रकार सम्मेलन क आनदोलनके थप कार्यक्रम सार्वजनिक कायल जाएत जनौलक अछि ।

यातायात ब्यबसायीसब मृतक चालकके परिवारके २० लाख रुपैया राहत देवयके बेटाबेटीके निशुल्क शिक्षा देवयके तोडफोड भेल बस मालिकके १० लाख रुपैया क्षतिपुर्ति देवयके माँग केने अछि । बितल भादव २७ गते सुर्खेतके राकम गजौडामे ना ३ ख ६६५१ नम्बरक बसक ठक्करस स्थानिय ३ बर्षक बालिका इन्दिरा बिसिके मृत्यु भेलाबाद मृतकके परिवारजन बस चालक बुडाथोकीके भेरी नदीमे धकैलक हत्या केने छल ।

ुुुुु



पब्लिक क्याम्पस प्राध्यापक सँघक आह्वानमे आइ चितवनके सम्पुर्ण शिक्षण सँस्थासब बन्द भेल अछि । प्राध्यापक शरतकुमार बर्तौला उपर आसिनके पहिल सप्ताहमे आक्रमण करय बला ब्यक्तिके कारबाहीके माँग करैत जिला प्रशासन कार्यालयमे धर्ना दरहल समयमे काल्हि अनेरास्वबियुके क्रान्तिकारी बिद्यार्थीसब धर्नामे बाधा उत्पन्न करय खोज्ने कहैत सँघ जिलाके सम्पुर्ण शिक्षण सँस्थासब बन्दक आह्वान केने अछि ।

बन्दक कारण चितवनके १ सय ५० स बेसी बिद्यालय तथा ३ दर्जनस बेसी क्याम्पस प्रभाबित भेल अछि ।

ुुुुु॥


ब्रम्हानन्द ठाकुर
असोज २४ ।
जनकपुरके जिरोमाइल स्थित ट्राफिक कार्यालयसँ पाछु अवस्थित मिथिला नगरमे बितल साँमु एकटा नवजात शिशु लाबारिश  अवस्थामे भेटल अछि ।

बितल साँझ करिब साढे ७ बजेदिस स्थानिय राम लखन महतोके घर आगु कपडामे लेपटा कऽ  फेकलगेल ओ शिशु बालिका १०-१५ दिनक मात्रे रहल आ बच्चा कानय लगलाबाद स्थानियबासी सँगै जम्मा भेल जानकी एफ एमक पत्रकार ब्रम्हानन्द ठाकुर बच्चाके अस्पताल प्रहरी मार्फत जिम्मा लगबैत अस्पतालके जिम्मा लगौलक अछि ।

अस्पताल ओ बच्चाके तुरुन्त स्वास्थ्य स्थित चेकजाँच कऽ इलाज शुरु केलक अछि । एम्हर ओ शिशु के आ कì7;या फेकने सम्बन्धमे अनुसन्धान भऽरहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अछि ।



facebook Page Like

  • मनोरँजन