Monday, January 09, 2012

नागरिकता प्रस्ताव मन्त्रिपरिषदसँ फिर्ता


काठमाडौ, पुस २५ । जन्मके आधारमे नागरिकता लेने सबके सन्तानके सहज ढँगसँ वंशजके नागरिकता वितरण करयके प्रस्ताव मन्त्रिपरिषदसँ फिर्ता भेल अछि ।

बावु या मायके नागरिकता लेवय आगुए जन्म भेल सन्तानके वंशजके आधारमे नागरिकता प्रमाणपत्र देवय  नहि मिलत कहैत मन्त्रिपरिषदसँ पारित नहि करयके भेलाबाद गृह प्रस्ताव फिर्ता लेने सम्बद्ध स्रोत बतौलक अछि ।

प्रस्तावके उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार अगहन २० गते मन्त्रीस्तरीय निर्णय कऽ मन्त्रिपरिषदमे पेस करयके स्वीकृति देने छल । प्रस्तावित प्रावधान फेरबदल नहि कऽ मन्त्रिपरिषद् पारित नहि केलाबाद  फिर्ता लेने एक उपसचिव बतौलनि ।

'प्रधानमन्त्री विरुद्ध अविश्वासके प्रस्ताव आनबः महत'


काठमाडौं, पुस २५ । कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य रामशरण महत प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई विरुद्ध अविश्वासके प्रस्ताव आनब बतदलनि अछि । प्रधानमन्त्री पदमे बैसयके नैतिक हैसियत गुमा चुकल दाबी करैत ओ बहुमत हवइते अविश्वासके प्रस्ताव आनयके खुलासा कलनि ।

अविश्वासके प्रस्ताव आनयके बिषयमे दलसबवीच बिमर्श भऽ रहल कहैत आइ रिपोर्टर्स क्लवके साक्षात्कारमे महत एखुनक अवस्था जारी रहत तऽ अविश्वासके प्रस्ताव आनयके विकल्प नहि रहल धारणा रखलनि ।

महत सात बुँदे सहमतिमे सेना समायोजन सम्बन्धी सम्पूर्ण बात स्पष्ट भेल अवस्थामे माओवादी अखन आबि कऽ सहमति विपरीत पहिने दर्जा निर्धारण आ ६ हजार ५ सय सँ बेसी समायोजन चुनने लडाकुसबके कि करयके सहितक बखेडा कऽ क शान्ति प्रक्रिया रोक्ने आरोप लगबैत शान्ति प्रक्रियाके माओवादी दुधगर गाई बनौने दावी कएलनि ।

ओ सहमति करयके आ कार्यान्वयन नहि करयके माओवादीके पुरने चरित्र दोहराएल कहैत फाइदा भेला पर सम्झौता करयके आ आरो समय कार्यान्वयन नहि करयके माओवादीक चरित्र स्पष्ट भेल दावी कएलनि । महत माओवादी लडाकुके हैसियत सेनाके रुपमे नहि स्विकारल गेलासँ सेनाके समूगत समायोजन कोनो हालतमे होवय नहि सकत ठोकुवा कएलनि । 

माओवादी केने सशस्त्र द्वन्द्व इतिहासेके सबसँ महंग भेल दाबी करैत महत २० अर्ब रुपैयाँ खर्च, विकास निर्माणमे अवरोध, लोकतन्त्रमे अवरोध आ हजारौके मृत्युके मुल्य चुकौने आरोप लगौलनि ।

डा महत सहिद गेटसँ त्रिभुवनके सालिक हटावयके निर्णय इतिहासके मेटाबयके षड्यन्त्र भेल कहैत ७ सालके आन्दोलनमे त्रिभूवन साथ लेलासँ काग्रेस ओइके सम्मान करत बतौलनि ।

फ्रिक्वेन्सी वितरणमे अनियमितता भेल लेखाके ठहर


२५ पुष काठमाण्डौ । व्यवस्थापिका संसदके सार्वजानिक लेखा समिति विभिन्न टेलिकम प्रदायक कम्पनीके फ्रिक्वेन्सी वितरणके क्रममे अनियमितता भेल ठहर केलक अछि ।

सभासद् डा प्रकाशचन्द्र लोहनी संयोजकत्वके उपसमिति देने प्रतिवेदन सर्वसम्मतिसँ पारित करैत लेखा फ्रिक्वेन्सी सम्बन्धमे थप छानविन करय अख्तियारके पठौलक अछि । लेखा समिति अप्टिकल फाइबर सहितक आवश्यक नीति बना कऽ लागू करय मन्त्रीपरिषद, सूचना तथा संचार मन्त्रालय, राष्ट्रिय योजना आयोग, अख्तियार आ महालेखा परीक्षक कार्यालय सहितके लिख कऽ पठावयके निर्णय केने सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि ।

मनविरे सुनारके हत्या छुवाछूतके कारण भेल दलित नेतासबहक निष्कर्ष


२५ काठमाण्डौ । दलित समुदायके अगुवा सभासद् आ नेतासब व्यवस्थापिका संसदसँ छुवाछूत ऐन पारित भेल लम्बा समय बितलाक बादो जातीय छुवाछूतके नाममे दुव्र्यबहार कायम रहल कहैत सरकारके आलोचना केलक अछि ।

व्यवस्थापिका संसदके महिला बालबालिका तथा समाजकल्याण समितिमे विभिन्न दलक नेता÷सभासदसब दलित उपर भेल आक्रमणके मदिरा पिने सँग तुलना कऽ क घटनाके अवमूल्यन कएल गेल बतौलक अछि । ओ सब छुवाछूतके घटनामे संलग्नके कार्वाही करय प्रशासन सक्रिय नहि भेल आरोप लगौलक अछि ।

एकीकृत माओवादीक तिलक परियार, नेपाली काङ्गे्रसक खड्गबहादुर बस्याल सार्की, एमालेक पुरनसिंह दयाल सहितकसब कालिकोटमे मनविरे सुनार, दैलेखके सेते दमाइ आ तनहुँके घाँसी कुवामे पानी लेवयके क्रममे दलित उपर मरय जका  भेल आक्रमणके दोषीके कारवाही करय माँग सेहो केलक अछि ।

भ्रष्टाचार मुद्दाके फैसलाक तिथि फेउर घुसकल


काठमाडौं, पुस २५ । सूचना तथा सञ्चार मन्त्री जयप्रकाश प्रसाद गुप्ताके भ्रष्टाचार मुद्दाके फैसलाक तिथि फेउर घुसकल अछि ।

फैसलाके पूर्णपाठ तयार होवय नहि सकल कहैत फागुन ९ गते धरिके लेल घुसकाओलगेल अछि । न्यायाधीशद्वय सुशीला कार्की आ तर्कराज भट्टके संयुक्त इजलाससँ गुप्ताके भ्रष्टाचार मुद्दाके किनारा लगावय लागल छल । सर्वोच्चमे विचाराधिन मुद्दाक सुनुवाई अगहन २१ गते समाप्त होइतो फैसला सुनावयके मिति एक महिनाबाद तोकलगेल छल ।

अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग मधेसी जनअधिकार फोरम (गणतान्त्रिक)के अध्यक्ष समेत रहल गुप्ता उपर २ करोड ८ लाख ८ हजार गैरकानुनीरुपमे कमौने कहैत २०५९ साल चैत ६ गते विशेष अदालतमे मुद्दा दायर केने छल । विशेषके तत्कालिन अध्यक्ष भूपध्वज अधिकारी सम्पत्तिके स्रोत खुजल कहैत हुनका २०६४ साल जेठ २४ गते सफाई देने छल ।

विशेषके फैसला विरुद्ध सरकार २०६४ साल कात्तिक २२ गते सर्वोच्च अदालतमे पुनरावेदन देने छल ।

दुर्घटनामे एकके मृत्यु


काभ्रे, पुस २५ । धुलिखेलसँ बनेपादिस जाऽ रहल बा ८ च ७८५१ नम्बरक टाटा सुमो बनेपा ११  भगवती आयल स्टोर लग बितल राति अरनिको राजमार्ग सडक खण्डमे दुर्घटना भेलासँ एक गोटेके मृत्यु भेल ट्राफिक प्रहरी जनौलक अछि ।

मृत्यु होवयबलामे सिन्धुपाल्चोक लिशंखु ९ के शेर बहादुर चौलागाई रहल अछि । दुर्घटनामे परि गम्भीर घाइल भेल हुनकर बनेपा स्थित शिर मेमोरियल अस्पतालमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल छल । दुर्घटनाके बारेमे थप अनुसन्धान भऽ रहल जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि ।

बम निष्क्रिय करैत समय सेनाके हवल्दार घाइल


कलैया, पुस २५ । अज्ञात समूह रखने बम निष्क्रिय करैत काल बाराके कलैयामे सेनाके हवल्दार कैलाश खड्का घाइल  भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि ।

कलैया वीरगन्ज सडकखण्ड भौतोडा गाविस–५ स्थित सडकमे अज्ञात समूह रखने बम बितल राति १० बजे देखलाबाद ओ बम डिस्पोजल करय नेपाली सेनाके बम डिस्पोजल टोली ओतय साढे ११ बजे निष्क्रिय केने छल । बम निष्क्रिय करैत काल सेनाके हवल्दार खड्का घाइल भेल छल । ओ बम तराई मुक्ति मोर्चाके बारा–पर्सा इन्चार्ज अग्नि जिम्मेवारी लेने अछि ।

रिताके रोमान्स

संवैधानिक समितिक बैसार अनिर्णित


काठमाडौ, पुस २५ । सहमति भऽ चुकल विषयमे मतभेद रहला बाद संवैधानिक समिति उपसमिति केने सहमति अनुमोदन करय नहि सकल । विवाद समाधान उपसमितिमे भेल सहमति अनुमोदनके लेल आइ बैसल समितिक बैसार अनिर्णित भेल अछि ।

१८ वर्ष उमेर पहुँचलसबके मतदानके अधिकार आ संसदके नाम व्यवस्थापिका संसद राखयके उपसमितिके सहमति उपर माओवादी आ किछ अन्य दलके सभासद मत नहि मिलल जनौलक अछि । माओवादी वैद्य पक्षधर सभासदसब संसदके नाम संघीय व्यवस्थापिका राखय लेल आवाज उठौलक अछि ।

अहिना  १६ वर्षमे नागरिकता पौलाबाद वायह उमेरसँ मतदान अधिकार देवयके नेपाल मजदुर किसान पार्टी आ नेकपा एकीकृत सहितकसब अलग मत रखने अछि ।

बैसारक बाद कांग्रेस नेता रामचन्द्र पौडेल माओवादीके घर भितरके विवाद संविधान निर्माणमे देखलगेल बतौलनि । ओ माओवादीके आन्तरिक विवादके कारण सहमति भऽ चुकल विषयमे विवाद आएल उल्लेख कएलनि । ओ घर भितरके विवाद मिला कऽ आवय माओवादीके आग्रह कएलनि ।

माओवादी सभासद खड्गबहादुर विश्वकर्मा उपसमिति सहमति केने विषयमे व्यापक बिमर्शके आवश्कता रहल बतौलनि । ओ कहलनि- 'संवैधानिक समितिमे २७ दलक सभासद् अछि । ओ सबके बात सुनय परत ।'

समिति सभापति निलाम्बर आचार्य २८ गते बैसयबला बैसारमे थप बिमर्श कएल जाएत जनौलनि ।

अख्तियाद्वारा सशस्त्र जवानके भर्ती रोकय आदेश


काठमाडौ, पुस २५ । अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग सशस्त्र पुलिसके जवान भर्नाके प्रक्रिया आ नतिजा प्रकाशन रोकय निर्देशन देलक अछि ।

जवान भर्नाके क्रममे व्यापक अनियमितता भेल आशंकामे छानबिनके लेल नतिजा प्रकाशन सहितक प्रक्रिया रोकय अख्तियार गृह मन्त्रालय आ सशस्त्र पुलिसके निर्देशन देने अछि ।

 'सशस्त्र पुलिसमे जवान भर्नामे २ सँ ३ लाख रुपैयाँधरि लेनदेन भेल बात बहराएल अछि । हमसब गृह मन्त्रालय आ सशस्त्रके भर्नाके प्रक्रिया रोकय आ रिजल्ट प्रकाशन नहि करय लिखित निर्देशन देने छी' अख्तियारके प्रवक्ता ईश्वरीप्रसाद पौडेल कहलनि, 'भर्नामे अनियमितताके बात भेटत तऽ  अख्तियारले अनुसन्धान सम्बन्धित अधिकारी उपर भ्रष्टाचारके अभियोगमे कारबाही करत ओ बतौलनि।'

सेक्सी सिएरा

facebook Page Like

  • मनोरँजन