Monday, January 09, 2012

नागरिकता प्रस्ताव मन्त्रिपरिषदसँ फिर्ता


काठमाडौ, पुस २५ । जन्मके आधारमे नागरिकता लेने सबके सन्तानके सहज ढँगसँ वंशजके नागरिकता वितरण करयके प्रस्ताव मन्त्रिपरिषदसँ फिर्ता भेल अछि ।

बावु या मायके नागरिकता लेवय आगुए जन्म भेल सन्तानके वंशजके आधारमे नागरिकता प्रमाणपत्र देवय  नहि मिलत कहैत मन्त्रिपरिषदसँ पारित नहि करयके भेलाबाद गृह प्रस्ताव फिर्ता लेने सम्बद्ध स्रोत बतौलक अछि ।

प्रस्तावके उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार अगहन २० गते मन्त्रीस्तरीय निर्णय कऽ मन्त्रिपरिषदमे पेस करयके स्वीकृति देने छल । प्रस्तावित प्रावधान फेरबदल नहि कऽ मन्त्रिपरिषद् पारित नहि केलाबाद  फिर्ता लेने एक उपसचिव बतौलनि ।

'प्रधानमन्त्री विरुद्ध अविश्वासके प्रस्ताव आनबः महत'


काठमाडौं, पुस २५ । कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य रामशरण महत प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई विरुद्ध अविश्वासके प्रस्ताव आनब बतदलनि अछि । प्रधानमन्त्री पदमे बैसयके नैतिक हैसियत गुमा चुकल दाबी करैत ओ बहुमत हवइते अविश्वासके प्रस्ताव आनयके खुलासा कलनि ।

अविश्वासके प्रस्ताव आनयके बिषयमे दलसबवीच बिमर्श भऽ रहल कहैत आइ रिपोर्टर्स क्लवके साक्षात्कारमे महत एखुनक अवस्था जारी रहत तऽ अविश्वासके प्रस्ताव आनयके विकल्प नहि रहल धारणा रखलनि ।

महत सात बुँदे सहमतिमे सेना समायोजन सम्बन्धी सम्पूर्ण बात स्पष्ट भेल अवस्थामे माओवादी अखन आबि कऽ सहमति विपरीत पहिने दर्जा निर्धारण आ ६ हजार ५ सय सँ बेसी समायोजन चुनने लडाकुसबके कि करयके सहितक बखेडा कऽ क शान्ति प्रक्रिया रोक्ने आरोप लगबैत शान्ति प्रक्रियाके माओवादी दुधगर गाई बनौने दावी कएलनि ।

ओ सहमति करयके आ कार्यान्वयन नहि करयके माओवादीके पुरने चरित्र दोहराएल कहैत फाइदा भेला पर सम्झौता करयके आ आरो समय कार्यान्वयन नहि करयके माओवादीक चरित्र स्पष्ट भेल दावी कएलनि । महत माओवादी लडाकुके हैसियत सेनाके रुपमे नहि स्विकारल गेलासँ सेनाके समूगत समायोजन कोनो हालतमे होवय नहि सकत ठोकुवा कएलनि । 

माओवादी केने सशस्त्र द्वन्द्व इतिहासेके सबसँ महंग भेल दाबी करैत महत २० अर्ब रुपैयाँ खर्च, विकास निर्माणमे अवरोध, लोकतन्त्रमे अवरोध आ हजारौके मृत्युके मुल्य चुकौने आरोप लगौलनि ।

डा महत सहिद गेटसँ त्रिभुवनके सालिक हटावयके निर्णय इतिहासके मेटाबयके षड्यन्त्र भेल कहैत ७ सालके आन्दोलनमे त्रिभूवन साथ लेलासँ काग्रेस ओइके सम्मान करत बतौलनि ।

फ्रिक्वेन्सी वितरणमे अनियमितता भेल लेखाके ठहर


२५ पुष काठमाण्डौ । व्यवस्थापिका संसदके सार्वजानिक लेखा समिति विभिन्न टेलिकम प्रदायक कम्पनीके फ्रिक्वेन्सी वितरणके क्रममे अनियमितता भेल ठहर केलक अछि ।

सभासद् डा प्रकाशचन्द्र लोहनी संयोजकत्वके उपसमिति देने प्रतिवेदन सर्वसम्मतिसँ पारित करैत लेखा फ्रिक्वेन्सी सम्बन्धमे थप छानविन करय अख्तियारके पठौलक अछि । लेखा समिति अप्टिकल फाइबर सहितक आवश्यक नीति बना कऽ लागू करय मन्त्रीपरिषद, सूचना तथा संचार मन्त्रालय, राष्ट्रिय योजना आयोग, अख्तियार आ महालेखा परीक्षक कार्यालय सहितके लिख कऽ पठावयके निर्णय केने सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि ।

मनविरे सुनारके हत्या छुवाछूतके कारण भेल दलित नेतासबहक निष्कर्ष


२५ काठमाण्डौ । दलित समुदायके अगुवा सभासद् आ नेतासब व्यवस्थापिका संसदसँ छुवाछूत ऐन पारित भेल लम्बा समय बितलाक बादो जातीय छुवाछूतके नाममे दुव्र्यबहार कायम रहल कहैत सरकारके आलोचना केलक अछि ।

व्यवस्थापिका संसदके महिला बालबालिका तथा समाजकल्याण समितिमे विभिन्न दलक नेता÷सभासदसब दलित उपर भेल आक्रमणके मदिरा पिने सँग तुलना कऽ क घटनाके अवमूल्यन कएल गेल बतौलक अछि । ओ सब छुवाछूतके घटनामे संलग्नके कार्वाही करय प्रशासन सक्रिय नहि भेल आरोप लगौलक अछि ।

एकीकृत माओवादीक तिलक परियार, नेपाली काङ्गे्रसक खड्गबहादुर बस्याल सार्की, एमालेक पुरनसिंह दयाल सहितकसब कालिकोटमे मनविरे सुनार, दैलेखके सेते दमाइ आ तनहुँके घाँसी कुवामे पानी लेवयके क्रममे दलित उपर मरय जका  भेल आक्रमणके दोषीके कारवाही करय माँग सेहो केलक अछि ।

भ्रष्टाचार मुद्दाके फैसलाक तिथि फेउर घुसकल


काठमाडौं, पुस २५ । सूचना तथा सञ्चार मन्त्री जयप्रकाश प्रसाद गुप्ताके भ्रष्टाचार मुद्दाके फैसलाक तिथि फेउर घुसकल अछि ।

फैसलाके पूर्णपाठ तयार होवय नहि सकल कहैत फागुन ९ गते धरिके लेल घुसकाओलगेल अछि । न्यायाधीशद्वय सुशीला कार्की आ तर्कराज भट्टके संयुक्त इजलाससँ गुप्ताके भ्रष्टाचार मुद्दाके किनारा लगावय लागल छल । सर्वोच्चमे विचाराधिन मुद्दाक सुनुवाई अगहन २१ गते समाप्त होइतो फैसला सुनावयके मिति एक महिनाबाद तोकलगेल छल ।

अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग मधेसी जनअधिकार फोरम (गणतान्त्रिक)के अध्यक्ष समेत रहल गुप्ता उपर २ करोड ८ लाख ८ हजार गैरकानुनीरुपमे कमौने कहैत २०५९ साल चैत ६ गते विशेष अदालतमे मुद्दा दायर केने छल । विशेषके तत्कालिन अध्यक्ष भूपध्वज अधिकारी सम्पत्तिके स्रोत खुजल कहैत हुनका २०६४ साल जेठ २४ गते सफाई देने छल ।

विशेषके फैसला विरुद्ध सरकार २०६४ साल कात्तिक २२ गते सर्वोच्च अदालतमे पुनरावेदन देने छल ।

दुर्घटनामे एकके मृत्यु


काभ्रे, पुस २५ । धुलिखेलसँ बनेपादिस जाऽ रहल बा ८ च ७८५१ नम्बरक टाटा सुमो बनेपा ११  भगवती आयल स्टोर लग बितल राति अरनिको राजमार्ग सडक खण्डमे दुर्घटना भेलासँ एक गोटेके मृत्यु भेल ट्राफिक प्रहरी जनौलक अछि ।

मृत्यु होवयबलामे सिन्धुपाल्चोक लिशंखु ९ के शेर बहादुर चौलागाई रहल अछि । दुर्घटनामे परि गम्भीर घाइल भेल हुनकर बनेपा स्थित शिर मेमोरियल अस्पतालमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल छल । दुर्घटनाके बारेमे थप अनुसन्धान भऽ रहल जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि ।

बम निष्क्रिय करैत समय सेनाके हवल्दार घाइल


कलैया, पुस २५ । अज्ञात समूह रखने बम निष्क्रिय करैत काल बाराके कलैयामे सेनाके हवल्दार कैलाश खड्का घाइल  भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि ।

कलैया वीरगन्ज सडकखण्ड भौतोडा गाविस५ स्थित सडकमे अज्ञात समूह रखने बम बितल राति १० बजे देखलाबाद ओ बम डिस्पोजल करय नेपाली सेनाके बम डिस्पोजल टोली ओतय साढे ११ बजे निष्क्रिय केने छल । बम निष्क्रिय करैत काल सेनाके हवल्दार खड्का घाइल भेल छल । ओ बम तराई मुक्ति मोर्चाके बारापर्सा इन्चार्ज अग्नि जिम्मेवारी लेने अछि ।

रिताके रोमान्स

संवैधानिक समितिक बैसार अनिर्णित


काठमाडौ, पुस २५ । सहमति भऽ चुकल विषयमे मतभेद रहला बाद संवैधानिक समिति उपसमिति केने सहमति अनुमोदन करय नहि सकल । विवाद समाधान उपसमितिमे भेल सहमति अनुमोदनके लेल आइ बैसल समितिक बैसार अनिर्णित भेल अछि ।

१८ वर्ष उमेर पहुँचलसबके मतदानके अधिकार आ संसदके नाम व्यवस्थापिका संसद राखयके उपसमितिके सहमति उपर माओवादी आ किछ अन्य दलके सभासद मत नहि मिलल जनौलक अछि । माओवादी वैद्य पक्षधर सभासदसब संसदके नाम संघीय व्यवस्थापिका राखय लेल आवाज उठौलक अछि ।

अहिना  १६ वर्षमे नागरिकता पौलाबाद वायह उमेरसँ मतदान अधिकार देवयके नेपाल मजदुर किसान पार्टी आ नेकपा एकीकृत सहितकसब अलग मत रखने अछि ।

बैसारक बाद कांग्रेस नेता रामचन्द्र पौडेल माओवादीके घर भितरके विवाद संविधान निर्माणमे देखलगेल बतौलनि । ओ माओवादीके आन्तरिक विवादके कारण सहमति भऽ चुकल विषयमे विवाद आएल उल्लेख कएलनि । ओ घर भितरके विवाद मिला कऽ आवय माओवादीके आग्रह कएलनि ।

माओवादी सभासद खड्गबहादुर विश्वकर्मा उपसमिति सहमति केने विषयमे व्यापक बिमर्शके आवश्कता रहल बतौलनि । ओ कहलनि- 'संवैधानिक समितिमे २७ दलक सभासद् अछि । ओ सबके बात सुनय परत ।'

समिति सभापति निलाम्बर आचार्य २८ गते बैसयबला बैसारमे थप बिमर्श कएल जाएत जनौलनि ।

अख्तियाद्वारा सशस्त्र जवानके भर्ती रोकय आदेश


काठमाडौ, पुस २५ अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग सशस्त्र पुलिसके जवान भर्नाक प्रक्रिया नतिजा प्रकाशन रोक निर्देशन देलक अि

जवान भर्नाक क्रमम व्यापक अनियमितता भेल आशंकाम छानबिनक लेल नतिजा प्रकाशन सहितक प्रक्रिया रोकय अख्तियार गृह मन्त्रालय सशस्त्र पुलिसके निर्देशन देने अछि

 'सशस्त्र पुलिसमे जवान भर्नाम सँ ३ लाख रुपैयाँधरि लेनदेन भेल बात बहराएल अछि हमसब गृह मन्त्रालय सशस्त्रके भर्नाक प्रक्रिया रोकय आ रिजल्ट प्रकाशन नहि करय लिखित निर्देशन देने छी' अख्तियारक प्रवक्ता ईश्वरीप्रसाद पौडेल कहलनि, 'भर्नाम अनियमितताके बात भेटत तऽ  अख्तियारले अनुसन्धान सम्बन्धित अधिकारी उपर भ्रष्टाचारक अभियोगम कारबाही करत ओ बतौलनि'

सेक्सी सिएरा

facebook Page Like

  • मनोरँजन