Tuesday, August 16, 2011

अन्ना हज़ारे के रिहा करयके फ़ैसला


भारत साउन ३१ । अन्ना हज़ारे के गिरफ़्तार कऽक न्यायिक हिरासतमें तिहाड़ जेल पठाबयके किछुए घंटा बाद देश भरि जनताके व्यापक दबावमें दिल्ली पुलिस के हुनका रिहा करयके फ़ैसला करय पड़ल अछि ।

दिल्ली पुलिस के प्रवक्ता राजन भगत अहिके पुष्टि करैत कहलनि जे कि हुनका दिससँ तिहाड़ जेल प्रशासन के अन्ना हज़ारे के रिहाईके आदेश पठा चुकल अछि ।

तिहाड़ जेलके महानिदेशक नीरज कुमार कहलनि जे हुनका रिहाईके लेल कोनो शर्त नहि राखल गेल अछि आ अन्ना हज़ारेके साथ अरविंद केजरीवाल आ आरो सात गोटेके रिहा काएल जा रहल अछि ।

किछुए काल बाद अन्ना हज़ारे आ हुनकर सहयोगिके रिहा कएल जा सकैय बताओलगेल अछि ।.

स्थानिय प्रशासनद्वारा बजार अनुगमन


जनकपुर साउन ३१ । गुणस्तर नापतौल कार्यालयसँ स्वीकृति नहि लऽ ढक तराजुके प्रयोग कऽरहल उपराग अएलाबाद आइ स्थानिय प्रशासनके सहयोगमे गुणस्तर तथा नाप तौल कार्यालय जनकपुर बजार अनुगमन केलक अछि ।
सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी कोषहरि निरौला देने जानकारी अनुसार करिब १५ टा दोकानसबके अनगमन कएलगेल अछि । ओ गुणस्तर कार्यालयसँ स्वीकृति नहि  लऽ ढक तराजु प्रयोग करयबलाके कारावहीके लेल पत्र समेत काटलगेल जानकारी देलनि ।

अनुगमन कएलगेल दोकानसबमे मिठाई दोकान, किराना दोकान आ माछ दोकान रहल बताओलगेल अछि । गुणस्तर कार्यालयके स्वीकृति विना ढक तराजु प्रयोग करयबला दोकानबलासबके कारवाहीके लेल पत्र काटलगेल अछि ।
अहि अनुगमनमे उद्योग वाणिज्यसंघक प्रसितनिधिके नहि राखलगेल कहि उद्योगी व्यापारीसब आपति जनौलक अछि ।

जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक सदस्य शिवशंकर साह संघके अपन प्रतिनिधि नहि पठेनाइ गैर जिम्मेवारी रहल कहैत अध्यक्ष कार्य शैली प्रति आपति जनौलनि । ओ आबसँ एहन अनुगमन करैत काल उद्योगीसबके प्रतिनिधि सम्मलित नहि कराओल गेल त प्रतिकार करयके समेत जानकारी देलनि ।

सप्तरीमे दु महिनामे दु मोस्ट वान्टेड सहित ३१ पक्राउ


सप्तरी, ३० साउन । सप्तरी पुलिसक मोस्ट वान्टेडके सूचीमे रहल दु अभियुक्तके गिरफ्तार क ओकरासब उपर कार्वाही प्रक्रिया आगु बढाओलगेल अछि । 
                             बिभिन्न हत्या, अपहरण तथा लुटपाटके घटनासबमे संलग्न संयुक्त जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चाके सैन्य कमाण्डर दिलजले उपनामक उमेश राम आ ईन्जिनियर हरिनारायण देवके हत्यामे संलग्न गंगाराम यादवके सप्तरी पुलिस गिरफ्तार कऽ कार्वाही प्रक्रिया आगु बढौलक अछि । गोप्य सूचनाके आधारमे लम्बा प्रयासक बाद पुलिस राम आ यादवके हतियार सहित गिरफ्तार करय सफल भेल अछि ।
                             असार महिना एम्हर मात्रे बिभिन्न अपराधिक क्रियाकलापमे संलग्न ३१ गोटेके गिरफ्तार कऽ जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरी कार्वाही प्रक्रिया आगु बढौलक अछि । ओ अवधीमे कर्तब्य ज्यान ८,  अपहरण १,  हातहतियार तथा खरखजाना ७,  चन्दा आतंक १,  सार्वजनिक अपराध ९,  लागु औषध आयात निर्यातमे २ आ चोरी मुद्दामे ३ गोटे उपर कार्वाही भऽरहल अछि ।

उद्योगीसब बिचमे चुनावी चहलपहल बढल, अध्यक्षमे ६ गोटेके उम्मेदवारी परयके सम्भावना


जनकपुर साउन ३१ । जनकपुर उद्योगा वाणिज्य संघक निर्वाचनके समय लक्चियाइत जा रहल समय उम्मेदवारसब अपन उम्मेदवारी घोषणा कऽक चुनावी प्रचार प्रसारके तिव्रता देबय लागल अछि ।
संघक निर्वाचन भादव १४ गते होबय जारहल अछि ।

उद्योगीसब अपन उम्मेदवरी घोषणा कऽक प्रचारप्रसारके तिव्रता देलक अछि । अध्यक्ष पदके लेल ६ गोटे अपन उम्मेदवारी देबयके चर्च परिचर्च कऽरहल अछि ।

अध्यक्ष पदके लेल वर्तमान अध्यक्ष श्यामप्रसाद साह फेउर मैदानमे उतरयके सम्भावना रहल अछि । अहिना  युवा व्यवसायीके बिचमे लोकप्रियता हासिल केने शीवशंकर साह हिरा’, रमेश साह, रघुनाथ साह, लालबाबु गुप्ता, उमाशंकर प्रसाद साहके उम्मेदवारी देबयके सम्भावना रहल  अछि ।

तहिना उपाध्यक्ष पदमे इश्वर कुमार ढुगाना, परमेश्वर साह, विजय साह हलुवाई, विजय साह, हरि राउत आ राधेश्याम साहके चर्चा रहल अछि। अहिना महासचिवमे ललित साह, जितेन्द्र साह आ सनेष साहके चर्चा रहल अछि ।

सचिवमे राजकुमार साह, संजय साह, राम स्वरुप साह, कृष्णदेव साह, सुरेन्द्र भण्डारी आ संकर साहके चर्चा रहल अछि ।

जनकपुर नगरपालिकाके राजनितिक संयन्त्रके प्रतिनिधि एक वर्षमे २ लाख लेलक


जनकपुर साउन ३१ । जनकपुरक विकास कार्य पाछु रहितो जनकपुर नगरपालिकामे प्रतिनिधित्व करयबला दलसब एक वर्षमे करिब २ लाख बराबरके बैसार भत्ता बुझलक अछि ।

ओसब विभिन्न बहानामे बैसार कऽ बैसारमे पारिश्रमिक स्वरुप रकम  लेने अछि ।

नगरपालिका स्रोत देने जानकारी अनुसार आर्थिक वर्ष ०६७।०६८ सालमे जम्मा २६ टा राजनितिक संयन्त्रके बैसार भेल छल । जाहिमे करिब २ लाख ३४ हजार रकम खर्च भेल अछि । राजनितिक दल प्रत्येक बैसारके  पाँच सयके दरसँ बैसार भत्ता लैत आएल अछि । अहिना लेखा अधिकृत जयचन्द्र मिश्र आ सुब्बा गणेश यादव प्रत्येक बैसारमे खाजा स्वरुप २ सय ५० लैत आएल अछि । मुदा कार्यालय प्रमुख राजनितिक संयन्त्र जका पाँच सय रुपैया प्रत्येक बैसारक  लैत आबि रहल अछि ।

जनकपुर नगरपालिकाके राजनितिक संयन्त्रमे अखन १७ टा राजनितिक दलक प्रतिनिधित्व केने अछि ।

भादव १४ के लेल तयार रहय सुरक्षा प्रमुखसबके निर्देशन


३१ साउन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल भादव १४ के सम्भावित जोखिमके लेल तयार रहय सुरक्षा निकायके प्रमुखसबके निर्देशन देलनि अछि ।

आई चारु सुरक्षा प्रमुखसबसँग भेल बिमर्शमे प्रधानमन्त्री खनाल भादव १४ आगु दलसबबीच ठोस सहमति होबय नहि सकत तऽ बहुत जोखिमपूर्ण स्थिति आबय सकत कहैत आवश्यक तयारी करय निर्देशन देलनि अछि ।

ओ राजनीतिक दलसबबीच सहमतिके दोसर कोनो विकल्प रहल कहैत जल्दिए सहमतिके सकारात्मक लक्षण देखल जाएत विश्वास व्यक्त कएलनि ।

प्रधानमन्त्री खनाल संक्रमणकालके संवेदनशीलता आ चुनौतिसबहक ख्याल कऽ उच्च सतर्कताके साथ कार्य सम्पादन करय सुरक्षा निकायके प्रमुखके निर्देशन देलनि । ओ कहलनि जे-हम प्रधानमन्त्री पदसँ राजीनामा देलाबाद राजनीति आब दोसर मोडमा जाँ रहल अछि । मुदा कोनो सहमति होबय नहि सकल अछि । एहन अवस्था अखनो बेसी संवेदनशील होइत अछि कहैत सुरक्षा संयन्त्र आ शक्तिके परिचालन केनाइ आबश्यक अछि ।

मधेसी मोर्चा सहमतीय सरकार गठनक लेल पहल करत


३१ साउन, काठमाडौं । संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा देशमे राष्ट्रीय सहमति सरकार निर्माणक लेल हरसम्भव प्रयास कएल जाएत जनौलक अछि ।

मधेशी मोर्चाके आइ सम्पन्न बैसारसँ देशमे शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणके लेल  सहमतिय सरकारक गठन आबश्यक रहल आ अहिके लेल हरसम्भव प्रयास कएल जाएत मोर्चाक निष्कर्ष रहल बैसारमे सहभागी मधेसी जनअधिकार फोरम गणतान्त्रिकके सहअध्यक्ष राजकिशोर यादव जानकारी देलनि अछि ।

मधेशी मोर्चा काल्हि एकीकृत नेकपा माओवादीसँग एहि सन्दर्भमे बिमर्श करय लागल अछि त काँग्रेससँग सेहो बिमर्शके तयारी कऽरहल बताओलगेल अछि । एम्हर डा. बाबुराम भट्टराई सेहो आइ मोर्चासँ सम्पर्क कऽ  अहि बिषयमे बातचीत करय लेल आग्रह कएलनि अछि ।

दुनु दलसँग अलगे अलग बिमर्शके बाद संयुक्त रुपमे बिमर्श कऽक सहमतिके सरकार गठनक लेल पहल कएल जाएत सहअध्यक्ष यादव बतौलनि ।
मधेसी मोर्चा प्रमुख तीन दल सहमतीके सरकार गठन करय असफल हाएत तऽ अपने नेतृत्वमे सरकार गठन करय पहल करयके निर्णय केलक अछि ।
 

अपराधीके संरक्षण नहि करय एमाले नेता नेपालक निर्देशन


विराटनगर, श्रावण ३१ । एमालेक वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल अपराधीके संरक्षण केने बात बाहर अएलासँ ओहन व्याक्तिके संरक्षण नहि करय निर्देशन देलक अछि ।

जनार्दन मैनाली स्मृती पत्रकारिता पुरस्कार वितरण कार्यक्रमके सम्बोधन करैत वरिष्ठ नेता नेपाल अपराधीके सहयोग पहुँचाबयके रुपसँ काज नहि करय तथा इज्जत आ प्रतिष्ठाके ध्यान दऽक काज करय निर्देशन देलनि अछि ।   

पछिला समयमे पूर्वाञ्चलमे पत्रकारसब उपर आक्रमणके घटना बढल तर्फ संकेत करैत नेता नेपाल पत्रकार, सुरक्षाकर्मीके डेराबयके, धम्काबयके, उदण्ड क्रियाकलाप निन्दनीय कार्य भेल कोनो अवस्थामे क्षम्य नहि हाएत टिप्पणी केलनि ।

प्रेस स्वतन्त्रता, अभिव्यक्ति स्वतन्त्रता, कानुनके सर्वोच्चता आ विधिके शासनके उपर चुनौति देबयके उदण्ड क्रियाकलापके अस्वीकार करत नेपाल बतौलनि ।

प्रेस स्वतन्त्रता, कानुनके सर्वोच्चता आ विधिके शासनके विरुद्धमे नहि लागय तथा गलत कार्यके संरक्षण नहि करय कार्यकर्ताके निदेर्शन दैतो किछ दिन आगु सञ्चारकर्मी, सञ्चार माध्यम आ सुरक्षाकर्मी उपर कहियो बदला लेब कहि सार्वजनिक कार्यक्रममे उद्घोष करयके युवा संघ नेपालक अध्यक्ष महेश बस्नेतके केहन कारबाही हाएत से नहि बतौलनि ।


१६ लाख अबैध रुपैयाँ आ पेस्तोलसहित चार युवक पक्राउ


नेपालगन्ज, श्रावण ३१ । सशस्त्र प्रहरी बल सिमा सुरक्षा कार्यालय नेपालगन्ज ट्रक सहित १६ लाख रुपैयाँ मोल बराबरके अबैध समान आ एकटा पेस्तोल सहित ४ गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।

भारतसँ भन्सार नुकाकऽ लौअने  चिनी चाउर आ तेल सहितक रा १ ख ४७० नम्बरक महेन्द्रा टाटा ट्रक सशस्त्र पुलिसक गस्ति टोलि नेपालगन्ज बिपी चोकसँ नियन्त्रणमे लऽ नेपालगन्ज भन्सारके बुझौलक अछि । भन्सार ओ ट्रक  बिना जाँचे केने छोडने छल । ओ अबैध सामानक आयातकर्ता के रहल बिषयमे पुलिस किछ नहि जनौलक अछि । बस चालक आ हेल्पर गिरफ्तार भेल अछि ।

भारतसँ आबि रहल २ गोटेसँ  सशस्त्र पुलिस एकटा पेस्तोल आ ओइके छर्रा बरामद केने अछि । बर्दिया नेउलापुरके राकेश थापा आ झपेन्द्र खड्काके जाँचक क्रममे पेस्तोल बरामद केने सशस्त्र प्रहरी बल सिमा सुरक्षा कार्यालय जनौलक अछि । गिरफ्तार भेल दु गोटेके थप अनुसन्धानक लेल बांके जिल्ला पुलिसके जिम्मा देल गेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन