Monday, December 05, 2011

‘प्रधानमन्त्रीक ‘व्यक्तिगत’ पहलमे शान्ति प्रक्रिया आगु नहि बढल अछिः महत’


काठमाडौं, अगहन १९ । कांग्रेस नेता रामशरण महत प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके व्यक्तिगतपहलमे शान्ति प्रक्रिया आगु बढौने भ्रम मात्र रहल आरोप लगौलनि अछि ।

 नेता महत शान्ति प्रक्रिया प्रारम्भ मात्र भेल उल्लेख करैत अहिमे चित्त बुझाबयके अवस्था नहि रहल जिकिर कएलनि । ओ लडाकुसब समायोजन, पुनःस्थापना आ स्वैच्छिक अवकासमे गेलाबाद मात्रे इ पुरा हाएत बतौलनि।

महत शान्ति प्रक्रियाके गति नहि लेबयधरि भट्टराई नेतृत्वक सरकार निरन्तरता पाओत उल्लेख कएलनि । माओवादी आ एमाले २दु बेर सरकारक नेतृत्व कऽ चुकल कहैत ओ कहलनि, ‘आब स्वभाविके रुपसँ हमरसबहक दाबी अछि ।

पूर्वअर्थमन्त्री महत आर्थिक सुशासनके दृष्टिसँ वर्तमान सरकार अखनधरिके सर्वोत्कृष्ट भ्रष्टभेल आरोप लगौलनि
साक्षात्कारमे एमाले उपाध्यक्ष विद्यादेवी भण्डारी भट्टराई सरकार गलत सहमतिमे बनलासँ अपन पार्टी सरकारमे नहि जाएत दाबी केलिह ।


भट्टराइएके नेतृत्वक सरकार आवश्यकः ठाकुर


नागेन्द्र कर्ण
जलेश्वर, अगहन १९ । तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक केन्द्रीय अध्यक्ष महन्थ ठाकुर शान्ति प्रक्रिया पुरा नहि होबयधरि वावुराम भट्टराइएके नेतृत्वक सरकारक आवश्यकता रहल बतौलनि अछि ।

जलेश्वरमे आयोजित एक पत्रकार सम्मेलनमे पत्रकारसबसँग बातचित करैत अध्यक्ष ठाकुर अखन भट्टराइएके नेतृत्वमे राष्ट्रिय सहमतिक सरकारक आवश्यकता रहल बतौलनि ।

ओ नेतृत्व परिवर्तनके विवादसँ मुख्य एजेण्डा ओझराहटमे परय सकलासँ मोर्चा एहन धारणा बनौने बतबैत अध्यक्ष ठाकुर शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण एखुनक मुख्य एजेण्डा भेल स्पष्ट कएलनि ।

पत्रकारसब वेपत्ता आयोग, सत्यनिरुपण आयोगसब बनय नहि सकल सम्बन्धि केने प्रश्नक जवाफमे अध्यक्ष ठाकुर आब सत्यनिरुपण आयोगसब नयाँ शक्ति आ पुरान शक्तिसबके मिला कऽ बनाबयके धारणा रखलनि मुदा  नयाँ शक्तिबारे ओ किछ नहि कहलथि । अहिना बालकृष्ण ढुँगेलके आममाँफी देबयके सरकारक निर्णय समेत गलत रहल प्रतिक्रिया दैत ओ कारागारमे नहि रहल आदमीके आममाफी देनाइ गलत रहल धारणा रखलनि ।


हम छी कोको

हम छी कोको 

बन्दक दोसर दिन नक्सली रेलवेके पटरीमे केलक बिष्फोट


१९ अगहन धनबाद । नक्सलीद्धारा आह्यावान कएल गेल २ दिवसिय बन्दक आइ दोसर दिन नक्सलीसब धनबाद रेल प्रखंडमें बिष्फोट कऽ रेलके पटरीके उड़ा देलक अछि । जाहि कारण झारखंडमें रेल यातायात अस्त व्यस्त भेल अछि ।

नक्सली नेता किशनजीके मृत्यु के विरोध कएल गेल बन्दक आह्यवानके बिच नक्सलीसब रेलवे ट्रैकके उडाबयके सँगही  पलामूमें एकटा ब्लॉक ऑफिसमे आगि सेहो लगा देलक अछि ।

नक्सलीसब आइ झारखण्डके धनबादमें मतारी लग विस्फोट कऽ रेलवेके पटरी उडादेने अछि जाहि कारण दिल्ली-हावड़ा रेलमार्ग अबरुद्ध भेल अछि ।

प्रखंडीय संचालन प्रबंधक वेद प्रकाशके अनुसार नक्सली बितल राति निशीतपुर आ मतारी रेलवे स्टेशनके बीचमे परयबला रेलके पटरी पर विस्फोट करौने छल ।

विस्फोटके बादसँ विभिन्न स्थान पर तीससँ बेसी रेल जकथकमे परल अछि आ ओइमेसँ किछके दोसर रास्ता होइत पठाओलगेल अछि । पटरीके मरम्मतके काम अखन चलि रहल अछि ।
  
अहिबीच लंबा दूरीके बस आ ट्रकसब सेहो आइ चलय नहि सकल अछि तऽ  बंदक कारण राष्ट्रीय राजमार्ग आ अन्य महत्वपूर्ण इलाकामें पुलिस गश्ती कऽ रहल अछि ।

ओम्हर नक्सली बिहारके पूर्वी चंपारण जिलाके फेनहारा थाना अंतर्गत राजपुर काल-मरपा कोरी टोला अवस्थित एक मोबाइल फोन टावरके शेल्टर रुममें बितलराति  पेट्रोल छिट कऽ आगि लगा देलक अछि । जाहिसँ ओतयके सम्पुर्ण उपकरणसब जरि कऽ नष्ट भेल अछि ।

फेनहारा थानाध्यक्ष सुभाष कुमारके अनुसार गांवमें करीब ७० गोटेके संख्यामें आएल नक्सली अगिलगि केने छल । ओकरबाद सँ पुलिस धर पकड आ छापामारी शुरु कऽ देने अछि।

पाक सैनिकके फायरिंगमें मस्जिदके छतमे क्षति


१९ अगहन श्रीनगर । पाकिस्‍तानके सैनिक नियंत्रण रेखा (एलओसी) पऽ फेउरसँ  युद्धविरामके उल्‍लंघन करैत आइ सीमा सँ सँटल कुपवाड़ा जिलाके करना इलाकामें स्थित भारतीय सेनाके चौकी पर फायरिंग केलक अछि । अहि फायरिंगमें एकटा मस्जिदके छतमे  क्षति पहुँचल अछि । श्रोतक अनुसार अहि मस्जिदके छत पर सोलर लाइट लगाबयके काज भऽ रहल छल ।

श्रीनगरसँ १४० किलोमीटर दूर करना कस्‍बेमें भेल इ घटनाक बाद भारतीय सैनिक जवाबमें गोली चलौने छल आ कतेकौ मिनटधरि दुतर्फी  गोली चलैत रहल ।

बितल तीन महीनामे कश्‍मीर घाटीमें एलओसी पर पाकिस्‍तानी सैनिकके दिससँ युद्धविराम उल्‍लंघनके इ पहिल घटना अछि । बितल अगस्‍त आ सितंबरमें पाकिस्‍तानी सैनिक बहुत बेर युद्धविरामक उल्‍लंघन केने छल । अहि घटनामे भारतीय सेनाके एक जूनियर कमीशन अधिकारी आ पाकिस्‍तानके तीन सैनिकके मृत्यु भेल छल ।

राष्ट्रिय सहमति सरकारक गृहकार्य सुरुः कोइराला


काठमाडौ, अगहन १९ । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला राष्ट्रिय सहमतिक सरकार गठनक लेल गृह कार्यसुरु भऽ चुकल बतौलनि अछि । ओ राष्ट्रिय सरकार गठन होबयसँ आगु शान्ति प्रक्रिया पुरा होबय चाही बतौलनि ।

 'कांग्रेसक प्राथमिकता राष्ट्रिय सरकारसँ बेसी शान्ति प्रक्रियामे अछि,'बनेपामे आइ सञ्चारकर्मीसबसंग सक्षिप्त बातचित करैत ओ कहलनि जे-'दलसबबीचक सहमति अनुसार पहिने शान्ति प्रक्रिया पुरा करय परत । '

ओ शान्ति प्रक्रिया पूर्णताक लेल माओवादी वाईसीएल,जनदस्ता आ क्रान्तिकारी परिषद् सहितक संगठन खारेज करैत लडाकुके हतियार सरकारके बुझाबय परत बतौलनि । कब्जा सम्पत्ति तथा जमिन फिर्ता सेहो शान्ति प्रक्रियाके अंग भेल ओ उल्लेख कएलनि ।

संचार मन्त्रीके सम्मान


विश्वनाथ ठाकुर
१९ अगहन सर्लाही । नागरिक समाज सर्लाही आ रौनियार समाज सर्लाही संयुक्त रुपमे सूचना तथा संचार मन्त्री एवं मधेशी जनाधिकार फोरम गणतान्त्रिकके केन्द्रिय अध्यक्ष जय प्रकाश गुप्ताके एक कार्यक्रमके बीच सम्मान केलक अछि ।

मन्त्री गुप्ता देशके राजनीतिमे युवा शक्तिके आवश्यकता रहल आ आबके दिनमे मधेशक युवाके नेपालक राजनीतिक सम्हारय परत बतौलनि । प्रमुख तीन दल मधेशीसब राष्ट्रघाती भेल आरोप लगौने बिषयमे चर्चा करैत ओ एकात्मक राज्य सञ्चालन प्रक्रिया नहि हटाबय धरि मधेशक राजनीतिक लडाइ चलयमे जोड देलनि ।

मलंगवाके रौनियार अतिथि सेवा सदनमे कएलगेल सम्मान कार्यक्रममे मन्त्री गुप्ता निर्माण भऽरहल रौनियार अतिथि सेवा सदनक लेल अपन पारिवारिक तर्फसँ एक लाख रकम सहयोग करत जानकारी करौलनि ।

प्रधानमन्त्री आ बेलायती राजदुतबीच भेटर्वार्ता


१९ अगहन काठमाण्डौ । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भटट्राई आ बेलायती राजदुत जोन टुक्नोट बीच आइ भेटवार्ता भेल अछि ।

प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालय सिँहदरवारमे भेल बिमर्शमे समसामयिक राजनीतिक घटनाक्रम, जारी शान्ति प्रक्रिया सहितक बिषयमे बमर्श भेल प्रधानमन्त्रीक नीजि सचिवालय जानकारी देलक अछि । साथे बेलायत नेपालके दैत आएल सहयोग बढाबयके आ नेपालमे सन्चालीत आयोजनाके व्यबस्थीत करयके बिषयमे सेहो बिमर्श भेल बताओल गेल अछि ।

फर्जी लडाकूके नाममे लेलगेल रकम फिर्ता कराबय प्रधानमन्त्रीक ध्यानाकर्षण


१९ अगहन काठमाण्डौ । विपक्षी सभासदसब फर्जी लडाकूके नाममे लेलगेल तलव भत्ता फिर्ता कराबय प्रधानमन्त्रीक ध्यानाकर्षण करौलक अछि ।

आइ भिन्सर सिहदरवारमे बैसल लेखा समितिक बैसारमे सभासदसब फर्जी लडाकूके नाममे रकम लेनाइ भ्रष्टाचार भेल दावी करैत रकम फिर्ता करय माँग केलक अछि । नेपाली काङ्ग्रेसक सभासद् दिपक कुमार उपाध्याय फर्जी लडाकुके रकम फिर्ता करय प्रधानामन्त्रीक ध्यानाकर्षण करौने छलथि । राष्टिय जनशक्ति पार्टीक प्रकाशचन्द्र लोहनी फर्जी लडाकुके रकम देबयके बात कानुन विपरित भेल आ देलगेल रकम तत्काल फिर्ता करय माँग कएलनि ।

सार्वजानिक संस्थानके प्रतिष्पर्धी बनाबयके प्रधानमन्त्रीक प्रतिबद्धता


१९ अगहन काठमाण्डौ । प्रधानमन्त्री डा वाबुराम भट्टराइ सार्वजानिक संस्थानके प्रतिष्पर्धी बनाबयके प्रतिबद्धता जनौलनि अछि ।

व्यबस्थापिका संसद सार्वजानिक लेखा समितिक आजुक बैसारमे प्रधानमन्त्री भट्टराई राजनीतिक नियुक्तिके कारण संस्थानसब प्रतिष्पर्धी बनय नहि सकल बतबैत घाटामे गेल संस्थानके  पुनः सञ्चालनके लेल ५ अर्ब रुपैँया माँग भेल मे अर्थमन्त्रालयमे अहि बिषयमे बिमर्श चलिरहल  जानकारी देलनि । सार्वजनिक संस्थानके प्रतिष्पर्धी बनाबय सरकार हालेमे मात्र संस्थान निर्देशन नियमावली तयार केने लेखासमितिक बैसारमे प्रधानमन्त्री जानकारी करौलनि । संस्थानके प्रभावकारी बनाबय एक दोसरसँग मिलयके विकल्प रहलमे जोड दैत ओ अन्य विकल्पके बारेमे समेत बिमर्श भऽ रहल बतौलनि ।

बैसारमे सभासदसब राजनीतिक नियुक्तिके कारण संस्थानक कार्यक्षमतामे ह्रास आएल कहैत राजनीतिक नियुक्ति तत्काल बन्द करय सुझाव देने अछि । अखन नियुक्त भेल सबके एके बेर खारेज कऽ क नयाँ प्रतिष्पर्धाके सुरुवात करय सभासदसब माँग केने छल ।

सहमतीय सरकारक नेतृत्व हम करब : काँग्रेस नेता देउवा


बैतडी, अगहन १९ काँग्रेस नेता शेरबहादुर देउवा आब नयबला सरकार कांग्रेस नेतृत्वम गठन हाएत आ ओकर नेतृत्व अपने करब दावी  कएलनि अछि

प्रेस यूनियन बैतडी आइ भिन्सर पाटनम आयोजना केने पत्रकार भेटघाटम देउवा कहलनि जे, 'सहमतीय सरकारक नेतृत्व करब '

सरकारक नेतृत्वके लेल पार्टीक केन्द्रीय समिति निर्णय कऽ चुकल सेहो ओ खुलासा कएलनि केन्द्रीय समिति हमरा उम्मेदवार बनाबयके निर्णय कऽ चुकल अछि देउवा कहलनि, ‘दलसबबीच सहमतिक वातावरण देखल गेलासँ आबक प्रधानमन्त्री म बनब      

माओवादी शिविरम लडाकु संख्या बढौने आरोप लगबैत नेता देउवा फर्जी लडाकु देखौनाइ दुःखद बात रहल बतौलनि ओ बढाओलगेल लडाकु फिर्ता कऽ क माओवादीके जिम्मेवार पार्टी बन सुझा सेहो देलनि । माओवादी कब्जा केने घरजमिन फिर्ता करयके निर्णय करितो उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्ष बिरोध केलासँ शंकाक बिषय भेल हुनक कहब छलनि

शान्ति प्रक्रिया पुरा नहि होबयधरि संविधान नहि बनत बतबैत देउवा सर्वोच्च अदालत अन्तिम बेर संविधान सभाक महिना समय बढाबय समय देलासँ सब दलके मिल कऽ जेठ भितरमे संविधान घोषणा करय परत बतौलनि

काँग्रेस सभापति सुशील कोइराला बेर बेर अपनासँग भेल सहमति तोडि कऽ निरंकुश होबय चाहने आरोप लगबैत देउवा भातृ संगठन बिघटन कऽ क निरंकुशता देखौने आरोप सेहो लगौलनि

facebook Page Like

  • मनोरँजन