Monday, July 25, 2011

पाँचबुँदे कार्यान्वयनबारे तीन दलबीच बिमर्श जारी


९ साउन, काठमाडौं । पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयनबारे बिमर्श करय प्रमुख तीन दलक बैसार अखन बैसल अछि ।
कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालाक निवास महराजगञ्जमे जारी बैसारमे संविधानसभाके म्याद थपयके क्रममे भेल पाचँबुदे सहमति कार्यान्वयन तथा मन्त्रीसब परिर्वतन करयके माओवादी प्रस्तावमे बिमर्श भ रहल श्रोत जनौलक अछि ।
माओवादी पार्टी भितरके आन्तरिक विवाद मिलाबय वर्तमान सरकारमे रहल मन्त्रीसबके फिर्ता बजाक नयाँ टिम पठाबयके निर्णय केने अछि । कांग्रेस माओवादीके ओ निर्णयके एमाले-माओवादी फेराफेरी सरकारक नेतृत्व करयके षड्यन्त्र आ पाँचबुँदे सहमति विपरित भेल अछि त प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल प्रमुख तीन दलबीच सहमति बिना भेने मन्त्रिपरिषद् पुनर्गठन करय अस्वीकार केलनि अछि ।
तीन दलक बैसार आगु भिन्सर माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँ भेट क माओवादीके नयाँ मन्त्रीसबहक नामावली बुझबैत मन्त्रिपरिषद् पुनर्गठन करय आग्रह केने छलथि । मुदा, प्रधानमन्त्री खनाल प्रमुख तीन दलबीच सहमति होबय परत कहैत कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालासँग बिमर्श केने छलथि ।

प्रचण्ड पक्षधरक चुनौतिबाद बहुमत सदस्यके हस्ताक्षर बुझाओलगेल


९ साउन, काठमाडौं । अध्यक्षविरुद्ध मोर्चाबन्दी केने उपाध्यक्षत्रय आ महासचिव पक्ष कार्यविभाजनके माँग करैत संकलन केने बहुमत केन्द्रीय सदस्यसबहक केन्द्रीय समितिमे हस्ताक्षर बुझौलक अछि ।
पार्टी कार्यालय पेरिसडाँडामे आइ बैसारमे अध्यक्ष प्रचण्ड पक्षधर बहुमत केन्द्रीय सदस्यसबहक हस्ताक्षर देखाबय चुनौति देलाबाद महासचिव रामबहादुर थापा बादल ७५ गोटेके हस्ताक्षर बुझौलनि अछि ।
उपाध्यक्षत्रय आ महासचिव पक्ष उचित कार्यविभाजनके माँग करैत संकलन केने हस्ताक्षर पार्टीमे नहि बुझाएब बतौने छल । मुदा, अध्यक्ष प्रचण्ड पक्षधर चुनौति देखौलाबाद बुझाबय परल नेतासब बतौलनि अछि ।
ओइके बाद प्रचण्ड पक्षधरके वर्षमान पुन अनन्त सहितक नेतासब पार्टी नीति उल्लंघन भेल कहैत हस्ताक्षर संकलन क अध्यक्षके बुझौने छल ।
बैसारके समापन करैत अध्यक्ष प्रचण्ड  हस्ताक्षर पार्टी एकताके लेल कहैत ओइके पार्टीके सम्पतिके रुपमे राखब बतौने श्रोत जनौलक अछि ।
उचित कार्यविभाजनके माँग करैत उपाध्यक्षत्रय आ महासचिव पक्ष मोर्चाबन्दी करैत हस्ताक्षर संकलन केलाबाद प्रचण्ड कार्यविभाजन करय सहमत भेल छलथि । सहमति अनुसार उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरणके संगठन आ अनुशासन विभाग प्रमुख, दोसर उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराईके संसदीय विभाग प्रमुख आ भावी प्रधानमन्त्रीके उम्मोदवार तथा नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाशके वर्तमान सरकरमे पार्टीके नेतृत्व देलगेल अछि त महासचिव रामबहादुर थापा बादलके सैन्य विभाग प्रमुख बनाओलगेल अछि ।
केन्द्रयि समितिके बैसारसँ स्थायी समिति आ पोलिटव्युरो सदस्यसबहक कार्यविभाजनके जिम्मा स्थायी समितिके देलगेल अछि त अध्यक्ष प्रचण्डक प्रतिवेदन पारित केलक अछि ।

भावी रणनीति तय करय देउवा पक्षधरके जमघट भ रहल



९ साउन, काठमाडौं । पार्टीके केन्द्रीय समितिके बैसारमे संसदीय दलके नेता परिवर्तनके एजेण्डा उठाबयके रणनीति तय करय नेपाली कांग्रेसक वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षधरके जमघट  आइ भ रहल अछि ।
बिमर्शके लेल नेता देउवा अपना निकटके नेतासबके अखन अपने निवास बुढानिलकण्ठमे बजौने छथि । जमघटमे काल्हिसँ सुरु होबयबला केन्द्रीय समितिक बैसारमे संसदीय दलक नेता परिवर्तनके एजेण्डा उठाबयबारे बिमर्श हाएत ।
पदाधिकारी मनोनयनके क्रममे सभापति सुशील कोइराला आ वरिष्ठ नेता देउवाबीच देउवाके संसदीय दलक नेता बनाबय गोप्य समझदारी भेल बताओलगेल अछि ।
पछिला समय कांग्रेस प्रधानमन्त्रीके राजीनामाके माँग उठौलाबाद देउवा पक्ष उत्साहित भेल अछि ।

मोडलसभ




पाँचबुँदे कार्यान्वयनके माँग, कांग्रेसद्धारा संसदक बैसार अवरुद्ध


९ साउन, काठमाडौं । पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयनके माँग करैत प्रमुख प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेस व्यवस्थापिका संसदके बैसार अवरुद्ध केलक अछि ।
आजुक बैसार सुरु होइते कांग्रेस प्रमुख सचेतक लक्ष्मण घिमिरे पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन नहि होबयधरि संसद चलय नहि देब बतौलनि ।
राष्ट्रिय सहमतिके सरकारके लेल प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबयके सहमति भ गेल अवस्थामे दु दर्जनमन्त्री थपय लागल कहैत ओ एहन अवस्थामे सहमति कार्यान्वयन होबय  नहि सकत बतौलनि ।
घिमिरे बजलाबाद कांग्रेसक सभासदसब अपना अपना सिटसँ उठल छल । बेर बेर आग्रह करितो कांग्रेस सभासदसब ठार भेलाबाद सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङ बैसार मंगलधरिके लेल स्थगित कएलनि अछि ।
आजुक बैसारमे विनियोजन विधेयक २०६८/६९ उपर सैद्धान्तिक बिमर्श करबाक कार्यसूची छल ।

ट्रकक ठक्करसँ एक मजदुरके मृत्यु


बारा, श्रावण ९ । बिरगन्ज-पथलैया औद्योगिक करिडोर अन्तर्गत पिपरा सिमरा गाविस स्थित बाबा पेट्रोल पम्प आगुके सडकमे ट्रकक ठक्करसँ आइ भिन्सर करीब ११ बजे एक मजदुरके मृत्यु भेल अछि ।
मृत्यु होबयबलामे भारतक बिहार राज्य अन्तर्गत इस्लामपुर घर भ हाल सीमरा स्थित हामा आईरन स्टिल उद्योगमे कार्यरत २८ वर्षक रञ्जित यादव रहल ईलाका प्रहरी कार्यालय सिमरा जनौलक अछि ।
सीमरा स्थित बाबा पेट्रोल पम्प कातमे पार्किङ करय जा रहल ना ४ ख २८६२ नम्बरक ट्रक साइकल यात्री यादवके ठक्कर देलासँ ओकर घटना स्थलमे मृत्यु भेल अछि । ट्रक सहित चालकके इलाका प्रहरी कार्यालय सीमरा नियन्त्रणमे लेने प्रहरी जवान राजकुमार खडका जनौलक अछि ।

चारि पहिया सवारीके राजस्व घटल



९ साउन, वीरगन्ज । वीरगन्ज भन्सार कार्यालय चारि पहिया सवारी साधनके आयातमे लगैत आएल राजस्वके दरमे कटौती केलक अछि ।
४ पहिया गाडी आयातमे आएल ह्रासके कारण राजस्व असुलीमे असर पहुँचल कहैत भन्सार कार्यालय राजस्व घटौने जनाओलगेल अछि । नेपालक प्रमुख प्रवेशद्वार कहलगेल वीरगन्ज भन्सार नाकासँ ९० प्रतिशतसँ सवारी साधन आयात होइत आबि रहल अछि । प्रमुख भन्सार अधिकृत लावण्य कुमार ढकाल वीरगन्ज भन्सार कार्यालयके मुख्य आय स्रोतके रूपमे रहल चारि पहिया सवारी आयातमे आएल गिरावटके कारण वीरगन्ज भन्सार कार्यालय अहि वर्ष लक्ष्य अनुरूपके राजस्व सङ्कलन करय नहि सकल बतौलनि ।

देहरादुनमे मृत्यु भेल नेपालीसबहक शव लाओलगेल


९ साउन, कञ्चनपुर । भारतक देहरादुनमे काल्हि बसमे यात्रा क रहल समय करेन्ट लागि क मृत्यु भेल पाँच नेपालीके शव भारतीय पुलिस नेपाल पुलिसक जिम्मा लगौलक अछि ।
देहरादुन पुलिस आइ भिन्सर ओकरसबहक शव कञ्चनपुरके गड्डाचौकीस्थित नेपाल पुलिसक जिम्मा लगौलक अछि । धान रोपनी समाप्त क क दशैं खर्चके जोगार करय रोजगारीके खोजीमे कैलालीसँ भारत जाए लेल बसके छतमे यात्रा क रहल ओकरासबके देहरादुन लगेके विद्युत हाइटेन्सन प्रसारण लाइनमे सटलास मृत्यु भेल छल ।
इलाका प्रहरी कार्यालय गड्डाचौकीके इन्चार्ज सइ नेत्र प्रसाद भटृक अनुसार दुर्घटनामे परि मृत्यु होबयबलासबमे कैलाली फुलवारी गाविस -३ के २३ बर्षक सुखराम चौधरी , कैलाली के हसुलिया गाविस -१ के ३० बर्षक बमबहादुर चौधरी, सल्यानके कालिमाटी काल्चे - ३ के २३ वर्षक धनबहादुर खत्री, कैलाली मसुरिया गाविस -७ शंकरपुरके १७ वर्षक मनोज चौधरी आ जाजरकोट पुन्म गाविस -२ के २२ वर्षक शेरबहादुर अधिकारी रहल अछि ।
अहिना,  दुर्घटनामे घाइल भेल १२ नेपालीके देहरादुनस्थित विभिन्न अस्पतालमे इलाज भ रहल अछि ।

प्रधानमन्त्री आ कांग्रेस सभापतिबिच भेट


काठमाडौ, श्रावण ९ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालासंग आइ भिन्सर भेटवार्ता केलनि अछि । भिन्सर १० बजे खनाल कोइराला निवास महाराजगंज पहुँचल छलथि ।
माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालसंग भिन्सर बालुवाटारमे भेट केलाबाद खनाल कोइरालासंग भेट करय पहुँचल छलथि । दाहाल मन्त्रिपरिषद् पुर्नगठनके विषयमे केने प्रस्तावके सेहो दलसबबीच सहमतिके आधारमे ल जाएके कहने खनाल ओकरबाद कोइरालासँ भेट केलनि अछि । पाँच बुँदे सहमति अनुसार प्रधानमन्त्री राजीनामा द क राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बनाबयके समयमे मन्त्रिपरिषद् पुर्नगठनके कांग्रेस बिरोध केलक अछि । माओवादी केने प्रस्तावके विषयमे प्रधानमन्त्री कांग्रेस सभापतिके जानकारी करौने छलथि ।
कोइरालासंगके भेटमे पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयन,शान्ति आ संविधान प्रक्रियाके विषयमे प्रधानमन्त्री उत्सुकता रखने छलथि । खनाल विभिन्न राजनीतिक विषयमे कोइरालासंग परामर्श केने प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा जानकारी देलनि । कोइरालाके स्वास्थ्य आ विदेश भ्रमण बारे सेहो प्रधानमन्त्री भेटमे जानकारी लेने छलथि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन