Monday, September 19, 2011

भूकम्पमे परि नेपाल, भारत आ तिब्बतमे कऽ ५१ गोटेके मृत्यु


२ आसिन, काठमाडौं । बितल साँझ आएल शक्तिशाली भूकम्पके कारण मृत्यु होबयबलाके सँख्या  ५१ पहुँचल अछि । नेपालमे ९ भारतमे ३५ आ तिब्बतमे ७ गोटेके  मृत्यु भेल बताओल जा रहल अछि ।

भूकम्पके कारण भक्तपुर, झापा, संखुवासभा आ धनकुटामे कऽ ७ गोटेके मृत्यु भेल पुष्टि भेल अछि ।

भूकम्पके कारण २४ गोटे गम्भीर आ ७७ गोटे सामान्य घाइल भेल अछि तऽ १ सय ६८ घरमे पूर्ण रुपमे तथा १ सय ४६ घरमे आशिंक रुपमे क्षति भेल अछि । घाइल मेसँ राजधानीके वीर अस्पतालमे दु दर्जन, ललितपुरके बी एण्ड बी अस्पतालमे ५, ठमेलस्थित मनमोहन मेमोरियल अस्पतालमे ३, ओम अस्पतालमे २ आ पाटन अस्पतालमे १ गोटेके इलाज भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

भूकम्पसँ भारतक सिक्किममे २३ आ भारतक अन्य राज्यमे १२ तथा तिब्बतमे ७ गोटेके मृत्यु भेल अछि । भारतीय सञ्चार माध्यमसब सिक्किममे मृत्यु होबयबला सबहक संख्या बढिरहल बतौलक अछि । बितल साँझ ६ बाजि कऽ २६ मिनेटमे भारतक सिक्किम केन्द्रबिन्दु बनाऽ ६ दशमलव ८ रिक्टर स्केलके भूकम्प आएल छल ।

Model » नविना भाटियाका



हम भारत विरोधी नहि छीः प्रचण्ड


२ आसिन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड अपने भारत विरोधी नहि रहल  स्पष्ट केलनि अछि ।

नेपाल भ्रमणमे रहल भारतीय जनता पार्टीक विदेश विभाग प्रमुख विजय जोलीसँगक भेटमे प्रचण्ड अपने नेपाल भारतक सुदृढ सम्बन्धके पक्षपाती भेल बतौलनि । आइ राजधानीमे आयोजित साक्षत्कार कार्यक्रममे नेता जोली अपनासँगके भेटमे प्रचण्ड अपनाके भारत विरोधीके रुपमे प्रचार कएल गेलमे असन्तुष्टि जनौने जानकारी देलनि ।

प्रचण्ड नेपालमे जारी शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे प्रक्रिया नेपाली जनता अपेक्षा केने अनुसार प्रगति भेलाबाद अपने भारतके भ्रमण करब जानकारी देने ओ  बतौलनि ।

भारतीय जनता पार्टीक विदेश विभाग प्रमुख जोली नेपालक शान्ति प्रक्रिया निष्कर्षमे पहुँच कऽ राजनीतिक स्थायीत्व होए से  भारत आ अपनासबहक चाहना रहल सुनौलनि । ओ नेपालक राजनीतिक दलसबके शान्ति, स्थीरता आ विकासक पक्षमे कटिबद्ध रहय सुझाव देलनि ।

भारत कोनो हस्तक्षेप नहि करतः बीजेपी नेता


काठमाडौ, आश्विन २ । भारतीय जनता पार्टीक विदेश विभाग प्रमुख विजय जोली  नेपालमे केहन सरकार बनत बिषयमे नेपाली जनता आ राजनीतिक दलसबके निर्णय करय परत कहैत भारत नेपालके विकासमे सहयोग करय बाहेक कोनो हस्तक्षेप नहि करत बतौलनि अछि ।

शान्ति पूर्ण नेपाल भारतीय राजनीतिक दल आ जनताके चाहना रहल उल्लेख करैत ओ भाजपाके नेता अटल विहारी बाजपेयी प्रधानमन्त्री भेल समय १२ बुँदे सहमतिसँ सुरु भेल नेपालक शान्ति प्रक्रिया निष्कर्समे पहुँचा कऽ राजनीतिक स्थायीत्व होए से अपनासबहक चाहना रहल बतौलनि । ओ नेपालके राजनीतिक दलसबके शान्ति, स्थीरता आ विकासक पक्षमे कटिबद्ध भऽ ठार होबय समेत सुझाव देलनि ।

सशस्त्र डाँकु समूहद्धारा लाखौँके लुटपाट


२ आसिन, महोत्तरी । महोत्तरीके श्रीपुर गाविस-१ मे बितल राति सशस्त्र डाँकुसबहक एक समूह एकटा घरसँ लाखौके धनमाल लुटि कऽ लऽ गेल अछि ।

इलाका प्रहरी कार्यालय गौशालाके अनुसार १०-१२ गोटेके संख्यामे हतियारसहित आएल सशस्त्र डाँकु स्थानीय राम दरेश यादवके घरसँ मध्यरातिमे नगद आ सोनचाँदीके गरगहना कऽ  दु लाख ५० हजारके लुटपाट केने अछि । डाँकुसब यादवक परिवारक सदस्यसबके हतियार देखा कऽ लुटपाट केने बताओल गेल अछि ।  प्रहरी निरीक्षक वासु पाठक डकैतीके खबर पबिते घटनास्थल पहुँचल पुलिसक  टोली दु गोटे शङ्कास्पद व्यक्तिके नियन्त्रणमे लऽ  अनुसन्धान शुरु केने बतौलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन