Monday, December 26, 2011

राहुल गांधी आइसँ उत्तर प्रदेशके चुनावी भ्रमणमे


११ पुष भारत । कांग्रेस महासचिव राहुल गांधी आइसँ उत्तर प्रदेशके चुनावी भ्रमणमे छथि ।

आइ दिनमें कांग्रेस महासचिव सीतापुर ज़िलाके तीन विधान सभा क्षेत्र में सभाके संबोधित करताह ।

अहिबिच अन्य राजनीतिक दल सब सेहो चुनावके तिथिके घोषणाक बाद अपन अपन क्षेत्रमे सभाके सँबोधित करय निकैल पडल अछि । अखन चुनाबी माहौल बडी जोडके रँग पकैड रहल अछि ।

मुख्यमंत्री मायावती आ बहुजन समाज पार्टी सुप्रीमो लखनऊमें कार्यकर्ताके सँग बैसार केलनि अछि तऽ ओम्हर  समाजवादी पार्टी अध्यक्ष मुलायम सिंह सहो नेतासबसँ भेटघाटक तिब्रता देने छथि ।

आत्मघाती बम बिष्फोट


११ पुष इराक । ईराक़के राजधानी बग़दादके मध्यमें स्थित गृह मंत्रालयके नजदिक एक आत्मघाती बम बिष्फोट भेल अछि ।

बिष्फोटनमे परि बहुतो गोटेके मृत्यु भेल अन्तर्ष्ट्रायिय सँचार माध्यममसब जनौलक अछि । बिष्फोटनके तुरंत बाद एंबुलेंस आ हेलिकॉप्टरके घटनास्थल पर उद्धार काजक लेल पठाओलगेल अछि ।

बितल गुरूदिन मात्रे बग़दादमें श्रृखँलाबद्ध तरीक़ासँ भेल बम बिष्फोटमे क़रीब ७० गोटेके  मृत्यु भेल छल ।

संविधान लेखन काम स्थगित


काठमाडौ, पुस ११ । विवाद समाधान उपसमिति सहमति जुटौने विषयमे बिबाद भेलाबाद काल्हिसँ संविधान लेखन ठप्प भेल अछि ।

विवादमे ओझराएलाबाद शनिदिनसँ उपसमितिक बैसार स्थगित भेल अछि तऽ संवैधानिक समितिक बैसार काल्हिएसँ एक सप्ताहक लेल स्थगित कएलगेल अछि ।

संविधान लेखन आगु बढाबयके महत्त्वपूर्ण दु बैसार स्थगित भेलाबाद प्रक्रिया बीचेमे रोकलगेल अछि । जाहिके  कारण राज्य पुनर्संरचना बाहेकके विवादित विषयमे पुस १५ धरि सहमति जुटावय जका पारित संविधानसभाक तालिकासमेत प्रभावित भेल अछि । राज्य पुनर्संरचनाके २५ बाहेक अन्य २२ टा विषयमे पुस १५ धरिमे सोझराबएके कार्यतालिका २० अगहनके संविधानसभासँ पारित केने छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन