Friday, September 09, 2011

दक्षिणी पाकिस्तानमें आएल बाढि में कम स कम १६९ गोटेके मृत्यु


भादव २३ । पाकिस्तान । दक्षिणी पाकिस्तानमें मुसलाधार बर्षातके कारण आएल बाढि में कम स कम १६९ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ  ५० लाख लोग प्रभावित भेल अछि.।

पाकिस्तानक राष्ट्रपति आसिफ़ अली ज़रदारी सबसँ बेसी क्षति सिँध प्रान्तमे भेल कहैत  संयुक्त राष्ट्र स मानवीय सहयोगके लेल अपील कएलनि अछि ।

कराचीमें खेती योगय जमिनसबमे दुर दुर तक पानि देखाइ दऽ रहल अछि त ऽ लोकसब अपन अपन घर द्धार छोरि सुरक्षित स्थानक खोजी कऽ रहल अछि ।

बाढिमे घेराएल लोकसबके निकालयके तथा बचाबयके कोशिश कएल जा रहल अछि मुदा मुसलाधार बरैष रहल बर्षातक कारण राहत तथा बचाब कार्यमे दिक्कत भऽ रहल अछि ।

दिल्ली हाईकोर्टमें ४९ टा थप सीसीटीवी कैमरा लगाबयके फ़ैसला


भादव २३ । बिष्फोटनके बाद दिल्ली हाईकोर्टमें ४९ टा थप सीसीटीवी कैमरा लगाबयके  फ़ैसला कएल गेल अछि ।

ओइठाम पहिने २१ टा क्यामरा लागल छल मुदा बितल ४ महिनामे दोसर बेर बिष्फोट भेलाबाद हाईकोर्टके सुरक्षा ब्यबस्थाके आओर कडा करयके फ़ैसला कएल गेल अछि ।

समाचार एजेंसीके अनुसार  दिल्ली हाईकोर्टमें भेल एक उच्च स्तरीय बैसारक बाद इ निर्णय लेल गेल अछि ।

इन्द्रजात्रा पर्व आइसँ विधिवत् रुपमे मनाओल जा रहल


भादव २३ । काठमाण्डौ उपत्यकामे परापूर्वकालसँ मनबैत आबि रहल इन्द्रजात्रा पर्व आइसँ विधिवत् रुपमे मनाओल जा रहल अछि ।

काठमाडौँके वसन्तपुरमे आइ मानन्धर समूदाय भक्तपुरके सल्लाघारीसँ लौअने सल्लाके खम्बा ठार केलाबाद जात्राके विधिवत् सुरुआत भेल मानल जाइत अछि । लिङगो अर्थात खम्बा ठार करिते सत्यके जीतके प्रतिक स्वरुप इन्द्रध्वज सेहो फहराबयके प्रचलन अछि । खम्बा ठार करयसँ आगु किलागलके ज्यापूः समुदाय विशेष तान्त्रिक देवी नाच प्रस्तुत करैत अछि । लिङगो ठार करयके परम्परा कहियासँ सुरु भेल विषयमे अलग -अलग धारणा रहल अछि ।

मालवाहक ट्रक दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु


भादव २३ । पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत मकवानपुरके मनहरि गाविस-७ ज्यामिरेमे आइ भिन्सर भेल मालवाहक ट्रक दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

पुलिसक अनुसार मृत्यु होबयबलामे ट्रकके सहचालक राजकुमार कार्कीके घटनास्थेलेमे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । ना १ ख १२६ नम्बरक ट्रक सडक कातके बिजुलीके पोलमे ठोकरा कऽ दुर्घटना भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय मकवानपुर जनौलक अछि । कार्कीके विद्युत सर्ट भऽ करेन्ट लागि कऽ तत्काल मुत्यु भेल स्थानीय प्रत्यक्षदर्शीके उद्धृत करैत पुलिस बतौलक अछि ।

ट्रकक ठक्करसँ एक गोटेके मृत्यु


भादव २३ । नवलपरासीके कावासोतीमे बितल राति ट्रकक ठक्करसँ एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

बितल राति करिब १२ बजे पशि्चमसँ पुर्बदिस जा रहल लु १० प ६६०० नम्बरक स्कुटिके ना २ ख ९५३० नम्बरक ट्रक ठकक्र देलाबाद ओ दुर्घटना भेल अछि ।

दुर्घटनामे परि नवलपरासी शिब मन्दिर २ निवासी कृष्ण क्षेत्रीके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल कावासोती पुलिस जनौलक अछि । ठक्कर देनिहार ट्रक पुलिसक नियन्त्रणमे रहितो चालक फरार रहल जनाओल गेल अछि ।

लामाके गोली मारि कऽ हत्या केने आरोपमे तीन गोटे गिरफ्तार


भादव २३ । याह भादव १० गते भरतपुर नगर पालिका १ के सञ्जय लामाके गोली मारि कऽ हत्या केने आरोपमे तरुण दल चितवनके जिल्ला अध्यक्ष शिव पौडेल सहित तीन गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।

महानगरीय प्रहरी प्रभाग हनुमान ढोकाके अनुसार पौडेल, साजन गुरुङ आ रमेश राईके पुलिस राजधानीके कालिमाटी क्षेत्रसँ गिरफ्तार केलक अछि ।

एमाले युवा संघक कार्यकर्ता लामाके चितवनके नारायणगढ-मुग्लिन सडक खण्डअन्तर्गत कविलास ५ मे भादव १० गते गोली लगलाबाद ओइके प्रातेभिने इलाजक क्रममे मृत्यु भेल छल ।

हुनकर परिवार हत्यामे संलग्न रहल दाबी करैत पौडेल सहित नाम खुजल १० आ नहि खुजल ५ कऽ १५ गोटे विरुद्ध किटानी जाहेरी सहितक निवेदन जिल्ला प्रहरीमे दर्ता केने छल ।

नवलपरासीके सब सामुदायिक विद्यालय बन्द


परासी, भादव २३ । अलगे अलग सवारी दुर्घटनामा परि एक शिक्षक आ शिक्षिकाके मृत्यु भेल शोकमे नवलपरासी जिल्लाके सम्पूर्ण सामुदायिक विद्यालय आइ बन्द भेल अछि ।

बितल भादव १४ गते गैंडाकोटमे भेल मोटरसाइकल दुर्घटनामे परि मृत्यु भेल गणेश प्रावि, भेडाबारीके शिक्षक डोलराज रोका आ बितल भादव १६ गते तनहुँके आँवुखैरेनीमे भेल दुर्घटनामे परि मृत्यु भेल शान्ति श्रृजना निमाविके शिक्षिक नेत्रमाया पौडेलक शोकमे जिल्लाके सम्पूर्ण सामुदायिक विद्यालय बन्द कएल गेल शिक्षक युनियनक अध्यक्ष मोहन शर्मा बतौलनि ।

विद्यालय बन्द भेलासँ जिल्लामे रहल ५४५ सामुदायिक विद्यालयके पठनपाठन ठप्प भेल जिल्ला शिक्षा कार्यालय जनौलक अछि ।

सुशासनके ध्यान दियौ: प्रधानमन्त्री


गोरखा, भादव २३ । प्रधानमन्त्री डा‌. बाबुराम भट्टराई कर्मचारीसबके सुशासनके ध्यान दऽ क काज करय  आग्रह केलनि अछि । बासु स्मृति दिवसमे सहभागी होबय गृह जिल्ला गोरखा पहुँचल प्रधानमन्त्री भट्टराई जिल्लामे कार्यरत कर्मचारीके निर्देशन देलनि अछि ।

'अइ सरकारक प्रथामिकता शान्ति आ संविधान अछि, अहिके सहयोग पहुँचय जका सुशासनके ध्यानमे राखि कऽ काज करय' प्रधानमन्त्री निर्देशनके क्रममे कहलनि । ओ आइ भिन्सर घोषणा केने तत्काल राहत कार्यक्रमके निर्देशकके रुपमे लेबय सेहो निर्देशन देलनि ।

कर्मचारीसबके निर्देशन देबयके क्रममे उपप्रधान तथा परराष्ट्र मन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ संगै छलथि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन