Tuesday, September 06, 2011

अज्ञात समुह चलौने गोली लागि एक गोटे घाइल


जनकपुरधाम, भादव २० । धनुषाके बफै गाबिसमे अज्ञात समुह चलौने गोली लागि एक गोटे घाइल भेल अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाके अनुसार गुदरा बाबाके नामसँ चर्चित सुर्यदेब दासके आइ राति करिब साढे ८ बजे अपने गामक बजारमे अज्ञात समुह गोली मारलक अछि ।

३२ बर्षक दासके इलाजक लेल जनकपुर अँचल अस्पताल आनल गेल अछि । अस्पताल श्रोतक अनुसार हुनका पँखुरा आ छातिमे गोली लागल अछि ।

गोली चलाबयबलाके पहिचान भऽ गेल आ ओकर खोजी कार्य भऽरहल पुलिस जनौलक अछि ।

४ हजार लडाकू समायोजन करयके कांग्रेसक प्रस्ताव


२० भादव, काठमाडौं । प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेसक शान्ति प्रक्रियासम्वन्धी सुझाव समिति ४ हजार माओवादी लडाकूके समायोजन करयके प्रस्ताव रखलक अछि ।
पार्टी कार्यालय सानेपामे आइ बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारमे वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवाके संयोजकत्वमे रहल सुझाव समिति पेश केने शान्ति प्रक्रियासम्वन्धी १३ बुँदे प्रस्तावमे ४ हजार लडाकूके व्यत्तिगत आधारमे समायोजन करयके  उल्लेख अछि ।

माओवादी हतियार भण्डारण कएल गेल कन्टेनरके चाबी बुझाबय सकारात्मक कहलगेल सुझाव समितिके प्रस्तावमे तत्काल हतियार सरकारके बुझाबय माँग केलक अछि । अहिना वाईसीएलके अर्ध सैन्य संरचना भङ्ग करयके, द्वन्द्वकालमे कब्जा कएल गेल सम्पति फिर्ता करयके, द्वन्द्व पिडितसबके राहत देबयके प्रस्तावमे उल्लेख अछि ।

अहिना आजुक बैसारमे संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेलक संयोजकत्वमे संविधान निर्माण सुझाव समिति राज्य पुनःसंरचनाके लेल आयोगके बदला विज्ञसबहक समूह गठनक प्रस्ताव पेश केलक अछि । सुझाव समितिके प्रस्ताव उपरके बिमर्शमे केन्द्रीय सदस्यसबहक क्षेत्राधिकार सहितक विषय प्रष्ट नहि रहल कहैत असन्तुष्टि जनौने अछि । कांग्रेस अहि सँ आगु पुनःसंरचनाके लेल आयोग गठनक अडान रखैत आएल छल ।

अगिला सरकारक बजेटके कार्यान्वयन कएल जाएत


२० भादव, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक नयाँ सरकार अगिला सरकार लौअने बजेटके कार्यान्वयनमे ल जाए लागल अछि ।

प्रधानमन्त्री डा. भट्टराई, सभामुख सुवासचन्द्र नेम्बाङ, सत्ता साझेदार दलसब, अर्थमन्त्री वर्षमान पुन अनन्तबीच भेल बिमर्शमे अगिला सरकार लौअने बजेटके कार्यान्वयनमे ल जाएके सैद्धान्तिक सहमति भेल अछि ।

बजेटके विषयके लऽ बेसी समय  खर्च केलासँ देशके प्राथमिकताके विषय शान्ति आ संविधानके काज प्रभावित होबय सकलासँ सत्ताधारी दलसब पूर्ववर्ती सरकार प्रस्तुत केने बजेटके कार्यान्वयनमे ल जाएके सहमत भेल अछि । मुदा, सरकार झलनाथ खनालक नेतृत्वमे रहल सरकार प्रस्तुत केने बजेटसँ १० प्रतिशतसँ बेसी नहि होबय जका बजेट रकमान्तरण क ऽक नयाँ कार्यक्रममे खर्च करय सकयके ब्बस्था अछि ।

बैसारमे बजेट उपरके रोकल विषयगत बिमर्शके आगु बढाबयके सहमति भेल अछि । जाहि अनुसार भादव २६, २८, २९ आ ३० गते विषयगत बिमर्श करयके आ ओइ उपर सदस्यसबके उठाबयबला जिज्ञासाके ३१ गते सम्बन्धित मन्त्रीसबके जवाफ देबयके कार्यक्रम अछि ।


बिद्यार्थी हत्याविरुद्ध आन्दोलन भडकल


नेपालगन्ज, भादव २० । एक सप्ताह आगु नेपालगन्जमे भेल विद्यार्थी बिष्णुबिक्रम शाहीके हत्यामे संलग्न समूहके पुलिस गिरफ्तार करय नहि सकल बिरोधमे आइ अनेरास्ववियु बाँके, बर्दिया आ दाङ बन्द केने छल ।

उद्योग व्यापार संघ, यातायात व्यवसायी, प्याब्सन, एन प्याब्सन, शिक्षक युनियन, नेपाल शिक्षक संघ, राष्ट्रिय शिक्षक संगठनक सेहो ऐक्यबद्धतासँ बन्द शान्तिपूर्ण रहल । बन्दसँ नेपालगन्ज, कोहलपुर, खजुरा, गुलरिया, भूरीगाउँ, बाँसगढी, लमही, घोराही आ तुल्सीपुर बजार पूर्णरुपमे ठप्प रहल छल । ओ बजारसब पूर्ण रुपमे बन्द छल तऽ कलकारखाना आ लम्बा  तथा छोट दुरीके सवारी साधनसब सेहो चलय नहि सकल ।

अनेरास्ववियु चरणबद्व रुपमे आन्दोलन करितो स्थानीय प्रशासन कोनो सुनुवाई नहि केने ओकरसबहक आरोप अछि ।

प्रशासन हत्याराके गिरफ्तार क कारवाही करयके, मृतकके शहिद घोषणा आ घाईलके निशुल्क इलाजक लेल ब्यवस्था सहितक माँग रखैत विद्यार्थीसब एक सप्ताहसँ निरन्तर आन्दोलन करैत आएल अछि ।

बितल भादव १२ गते राति कारकाँदोमे अपरिचित समुह धरगर हतियार प्रहार कऽ अनेरास्ववियुके सदस्य मध्यपश्चिम बहुमुखि क्याम्पसके विद्यार्थी शाहीके हत्या केने छल तऽ दु गोटे घाइल सेहो भेल छल ।     


सरकार अन्हारमे भगजोगनी जकाः प्रधानमन्त्री


२० भादव, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई अपना नेतृत्वमे सरकार बनला बाद जनता आंशिक राहत महसुस केने बतौलनि अछि ।

आइ सिन्धुली सदरमुकाम सिन्धुलीमाढीमे आयोजित कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री भट्टराई कहलनि जे-इ सरकार बनला बाद भगजोगनी  अन्हारमे रास्ता देखबैत जका जनता किछ राहत महसुस केने अछि ।ओ आमजनताके समसुस होबय जका जल्दिए राहत कार्यक्रम लाबयके तयारी भऽरहल जानकारी देलनि ।

शान्ति आ संविधान निर्माण सरकारक पहिल प्राथमिकता रहल कहैत ओ सरकारमे सहभागि भ शान्ति आ संविधान निर्माण प्रकृयामे सहयोग करय दलसबसँ आहृवान कएलनि ।

काठमाडौंमे रात्रि अदालत स्थापना करयके बिचार


२० भादव, काठमाडौं । सर्वोच्च अदालत काठमाडौं जिल्ला अदालतमे रात्रि अदालत स्थापना करय लागल अछि । आगामी साउनसँ कार्यालय समय -१०-५ के बाद साँझ ५:३० सँ राति ८ बजेधरि सञ्चालन करयके तयारी भऽ रहल  सर्वोच्च जनौलक अछि ।

नियमित कार्यालय समयमे अदालत उपस्थित होबय नहि सकयबला सेवाग्राहीके सुविधा प्रदान करय, न्यायमे जनताके सहज पहुँच बढाबय आ अदालतमे बढैत कार्यबोझके आधुनिक आ सुविधाजनक ढंगसँ व्यवस्थापन करय सायमकालीन अदालतके अवधारणा राखल गेल अछि । काठमाडौंके बाद मुद्दाके बेसी चाप रहल पैघ सहर विराटनगर, राजविराज, जनकपुर, वीरगञ्ज, भैरहवा आ नेपालगन्जमे सेहो विस्तार कएल जाएत सर्वोच्चक योजना रहल अछि ।

सर्वोच्च अदालतके न्यायाधीश ताहिर अली अन्सारीके संयोजकत्वमे गठित समिति सायमकालीन अदालत स्थापना सम्बन्धी प्रतिवेदन प्रधानन्यायाधीश खिलराज रेग्मीके बुझा चुकल अछि । प्रतिवेदन सर्वोच्चके पूर्ण बैसारमे प्रस्तुत करय रजिष्ट्रारके निर्देशन देल जा चुकल सहायक प्रवक्ता हेमन्त रावल बतौलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन