Monday, August 22, 2011

सोनके भाउ तोलाके करिब साढे ५३ हजार


५ भादव, जनकपुरधाम । सोनके भाउ तोलामे एक हजार रुपैंया बढि कऽ अखनधरिके सबसँ उच्च विन्दुमे पहुँचल अछि ।

काल्हि ५२ हजार ४ सय रुपैयाँ रहल सोन प्रतितोला एक हजार बढि कऽ आइ ५३ हजार ४ सय रुपैयाँ पहुँचल सोनचाँदी व्यवसायी संघ जनौलक अछि । इ अखनधरिके सबसँ उच्च भाउ अछि ।

विश्व अर्थतन्त्रके अनिश्चिता, युरोपके कर्जा संकट तथा भारत आ चीन सहितक देशसब सोनके माँग बढौलाबाद सोनके मोल अन्तराष्ट्रिय बजारमे आकास छुने अछि ।

अहिना चाँदीके भाउ सेहो तोलामे ३५ रुपैयाँ बढिकऽ १ हजार २ सय ६५ रुपैयाँमे पहुँचल अछि ।

कविता आत्महत्या प्रकरणमे आमा समूह दोषीः संसदीय उपसमिति


५ भादव, काठमाडौं । व्यवस्थापिका संसद्के महिला, बालबालिका तथा समाजकल्याण समिति अन्तरगतके उपसमिति बुटवलके कविता थापाके आत्माहत्या प्रकरणमे आमा समूहके दोषी ठहर केलक ।

स्थलगत अध्ययनकेबाद उपसमिति आइ समितिके पूर्ण बैसारमे पेश केने प्रतिवेदनमे स्थानीय जनजागरण आमा समूहके गतिविधि कानुन विपरीत रहल ठहर करैत दोषीके कानुनके दायरामे आनिकऽ कारबाही आगु बढाबय सुझाव देलक अछि ।

बैसार उपसमितिके प्रतिवेदनअनुसार दोषी उपर कारबाही करय प्रहरी प्रशासनके कठिनाई भेल देखलगेलास आगामी दिनमे ‘आत्महत्या करय बाध्य करयके पृष्ठभूमि तयार करयबलासबके दण्डित करयके’ कानुन बनाबय सरकारके निर्देशन देलक अछि ।

मृतक कविता थापा उपर सार्वजनिक स्थलमे दुव्र्यवहार भेल समयमे ओइठाम कार्यरत पुलिसके भूमिका समेत प्रभावकारी नहि देखलगेलासँ वडा प्रहरी कार्यालय, योगीकुटीके इन्चार्जसहितक टोली परिवर्तन करय आ अलगे अनुसन्धान टोली खटा निष्पक्ष ढङ्गसँ छानबिन आ अनुसन्धान करय गृहमन्त्रालयके निर्देशन समेत बैसार देलक अछि ।

सड़क दुर्घटनामें ४१ तीर्थयात्रीके मृत्यु


भारत, भादव ५ । भारतक उत्तर प्रदेशके बलिया ज़िलामें आइ भेल सड़क दुर्घटनामें कम सँ कम ४१ तीर्थयात्रीके मृत्यु भेल अछि तऽ १० गोटे घाहिल भऽगेल अछि । मृत्यु होबयबलामे बेसी महिला आ बच्चा अछि ।

बलिया ज़िलाके उस्मानपुर गाँवस ६० स बेसी लोग ट्रैक्टर सँ ग़ाज़ीपुरके नगरा थाना क्षेत्रके अमवा गाममे सत्ती माईके दर्शन करय जाऽरहल समयमे ओ दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि ।

रास्तामें ट्रॉली एकटा दोसर गाडीसँ टकराकऽ सड़कके कातमे रहल गहिर खदियामे खसल छल ।

ज़िला पुलिस अधीक्षक राम स्वरुपके अनुसार मृत्यु भेल ४१ गोटे मेसँ ३० गोटे महिला रहल अछि ।
घाइलसबहक इलाज नगरामे भऽरहल पुलिस जनौलक अछि ।

ज़िला मजिस्ट्रेट मधुकर द्विवेदी कहलनि जे राज्य सरकार प्रत्येक मृतक परिवारके एक-एक लाख रुपैया आर्थिक सहायताके लेल देबयके घोषणा कएलगेल अछि । अहिना गंभीर रूपस घायलके पचास हजार रुपैया आ मामूली रूपस घाइलके पच्चीस हजार रुपैयाके आर्थिक सहायता देल जाएत बतौलनि ।

बहुमतीय सरकारे उत्तम : विजुक्छे

५ भादव, भक्तपुर । सहमतीय सरकार निर्माणक लेल प्रमुख दलसब जुटिरहल समय नेपाल मजदुर किसान पार्टीक अध्यक्ष नारायणमान विजुक्छे फेउरो बहुमतीय सरकारे बनयके चाही बतौलनि अछि ।

नेपाल मजदुर किसान पार्टीक २१ हम् केन्द्रीय परिषद्के समापनके क्रममे आइ भक्तपुरके कमलविनायकमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे अध्यक्ष विजुक्छे सहमतीय सरकार निरङ्कुश होइत एलासँ बहुमतीय सरकारके आवश्यकता रहल बतौलनि ।

सहमतीय सरकार निरङ्कुश निर्णय सेहो करय सकयके आ ओइके रोकय प्रतिपक्ष नहि भेलासँ सहमतीय सरकार बनय नहि चाही हुनक तर्क छलनि । विजुक्छे सरकार करयबला निक निर्णयके समर्थन आ नहि निक निर्णयके विरोध करय लेल प्रतिपक्ष आवश्यक रहल बतौलनि ।

तीन पैघ दल निर्माण करयबला सहमतीय सरकार अन्य छोट दलके लेल घातक होबय सकत टिप्पणी करैत ओ छोट दलके कोनो मान्यता नहि राखि सरकार गलत निर्णय सेहो करय सकलासँ बहुमतीय सरकारक पक्षमे अपने रहल प्रष्ट कएलनि ।

चिकित्सकके लापरबाहीसँ मृत्यु भेल बालकके आँखि सेहो गायव

बाँके (कोहलपुर), भादव ५ । चिकित्सकके लापरबाहीसँ मृत्यु भेल बर्दिया नेउलापुरके ६ वर्षक बालक विनोद चौधरीके परिवारजन अस्पतालेमे शव छोडिकऽ घर घुरल अछि ।

चिकित्सकके लापरबाहीसँ मृत्यु भेल दाबी करैत अस्पतालमे शव राखिकऽ आन्दोलन शुरु केने परिवार अस्पताल प्रशासनसँग सहमति कऽक शव लऽजाए चाहलाबाद शवके एकटा आँखि गायब भेल छल ।

बोखार आ सर्दी लगलाबाद पाँच दिन आगु नेपालगन्ज मेडिकल कलेज कोहलपुरमे भर्ना कएलगेल बालक चौधरीके गर्दनके शल्यक्रिया केलाबाद बेसी खुन बहल आ मिर्गौलामे असर परलासँ काठमाडौँ रेफर केने किछुए कालबाद शनिदिन मृत्यु भेल छल ।

काल्हि अस्पताल व्यवस्थापन आ पीडितपक्षसँग भेल वार्तामे पीडितके एक लाख ८२ हजार रुपैया देबयके सहमति भेल छल ।

अस्पतालक निर्देशक डा श्रवणकुमार चौधरी अस्पतालके बदनाम कराबय आ क्षतिपूर्तिस्वरुप बहुते पैसा माँगय आँखि गायब केने दाबी कएलनि ।

पीडित परिवार आइसँ नेउलापुरमे पूर्व–पश्चिम राजमार्ग अनिश्चितकालके लेल बन्द करयके घोषणा केने अछि ।

मृतक बालकके आँखि केना कऽ गायब भेल बिषयमे पुलिस अनुसन्धान कऽरहल इलाका प्रहरी कार्यालय कोहलपुरके प्रहरी निरीक्षक विचित्र शाह जानकारी देलनि ।

लीबिया: कर्नल ग़द्दाफ़ी के बेटा क़ैद में


लिबिया भादव ५ । कर्नल ग़द्दाफ़ीके बेटा आ पूर्वाधिकारी सैफ़-अल-इस्लामके हिरासतमें लेल गेल अंतरराष्ट्रीय आपराधिक न्यायालय के लुईस मैरिनो ओकैंपो पुष्टि केलनि अछि । कर्नल ग़द्दाफ़ीके दोसर बेटा मुहम्मद सेहो विद्रोहीके क़ब्ज़ामे अछि ।

एक टीवी चैनेलके अनुसार ग़द्दाफ़ीके दुनु बेटाके नेशनल ट्रांज़िशनल कांउसिलके जिम्मा लगाओल गेल अछि ।

अहि बीच राजधानीके कतेकौ इलाक़ामें विद्रोही आ ग़द्दाफ़ी समर्थक सेना बीच अखनो लड़ाई जारी अछि ।

शहरके बीस प्रतिशत हिस्सा अखनो ग़द्दाफ़ीके सेनाके हाथमें रहल बताओल जाऽरहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन