Sunday, December 04, 2011

तह मिलानके बाद मात्रे शिविर खाली हाएतः लडाकू प्रवक्ता


१८ अगहन काठमाडौं । माओवादी लडाकूके प्रवक्ता चन्द्रप्रकाश खनाल बलदेव ब्रिजकोर्स, महानिर्देशनालयके संरचना आ तह मिलानके निश्कर्ष नहि लागयधरि शिविर खाली नहि हाएत बतौलनि अछि ।

जनसंचार अभियान काठमाडौंमे केने साक्षात्कार कार्यक्रममे प्रवक्ता बलदेव समायोजनके समय कएल जाएबला ब्रिजकोर्स, महानिर्देशनालके संरचना नेतृत्व आ तह मिलानके काम पुरा भेलाबाद मात्रे माओवादी सेनाके शिविर खाली हाएत स्पष्ट कएलनि । समायोजन होबयबला लडाकूके नेपाली सेनाक जिम्मा लगाबयके बात गलत अछि-माओवादी लडाकूके डेपुटी कमाण्डर समेत रहल शर्मा कहलनि जे-ब्रिजकोर्स, तह मिलान नेतृत्वक बात राजनीतिक तहमे निर्णय लगलाबाद मात्रे समायोजनमे आगु बढत ।

नेपाली सेना लडाकूके तालिम नहि देत कहैत ओ ६५ प्रतिशत सुरक्षा निकाय आ ३५ प्रतिशत लडाकूसँ आबयबलाके एके ठाँममे राखि कऽ ब्रिजकोर्स कराओल जाएत बतौलनि ।

लडाकूके प्रवक्ता बलदेव स्वेच्छिक अवकाशमे जाए चाहयबलाके लेल अखनो तीन महिना समय लागत आ समायोजनमे जाए चाहयबलाके अखनो ५ महिना समय लागत जानकारी देलनि ।


तत्काल सुकुम्बासी बस्ती नहि हटाबय पुनरावेदन पाटनके आदेश


१८ अगहन, काठमाडौं । पुनरावेदन अदालत पाटन अगहन २५ गतेधरि बाग्मती कातके सुकुम्बासी बस्ती नहि हटाबय अन्तरिम आदेश देलक अछि ।

आइ न्यायाधीश राजेन्द्रप्रसाद राजभण्डारीक एकल इजलाससँ अगहन २५ गतेधरि बाग्मती कातके सुकुम्बासी बस्ती नहि हटाबय आदेश देलक अछि ।

इजलाससँ २५ गते दुनु पक्षके बिमर्शमे बजौने अदालतक प्रवक्ता किशोर घिमिरे जानकारी देलनि । अधिकार सम्पन्न बाग्मती सभ्यता एकीकृत विकास समिति बाग्मती कात खाली करय बेर बेर देने निर्देशन पालना नहि भेलाबाद गृह मन्त्रालय मंगलसँ हटाबयके तयारी केलक अछि ।

बाग्मती कातमे निर्माण भेल किछ पक्की घरसब समेत बाग्मती नदीके जमिन अतिक्रमण केने पौलाबाद सरकार खाली करयके तयारी केलक अछि । ओतय रहैत आएलसब वैकल्पिक व्यवस्था नहि होबयधरि नहि हटयके अडान लेने अछि ।

राजधानीमे दु टा सरकारी सवारीमे आगजनी


१८ अगहन, काठमाडौं । अज्ञात समूह आइ बेरियामे राजधानीमे दु टा सरकारी सवारीमे आगि लगा देलक अछि ।
मिनभवनमे बा १ झ ५६८४ आ तिलगंगा क्षेत्रमे ३६१९ नम्बरक सरकारी जिपमे आगि लगौने ट्राफिक प्रहरी जनौलक अछि । आगजनीसँ गाडी जरल अछि मुदा मानबिय  क्षति नहि भेल पुलिस जनौलक अछि ।

साढे ६ हजार लडाकु समायोजन हाएत काङ्ग्रेस मुख्य सचेतक घिमिरे


पवन पौडेल
१८ अगहन तनहुँ । नेपाली कांग्रेसक मुख्य सचेतक लक्ष्मण प्रसाद घिमिरे ६ महिना भितरमे संविधानक खाका तयार हाएत दावी कएलनि अछि ।

नेपाल प्रेस युनियन तनहुँ आइ दमौलीमे केने पत्रकार सम्मेलनमे मुख्य सचेतक घिमिरे देशके भावी शासकीय स्वरुपके बिषयमे दलसबबिच बात नि मिलल कहैत काङ्ग्रेस एकीकृत माओवादीके कहल जका प्रत्यक्ष राष्ट्रपतीय शासन प्रणालीक पक्षमे नहि रहल बतौलनि । संविधान निर्माणक लेल काङ्ग्रेस सब शक्ति केन्द्रीत करयके जोड दैत मुख्य सचेतक घिमिरे कोनो तानाशाहके जन्म नहि होए ताहि दिस काङ्ग्रेस सचेत रहल बतौलनि ।

महोत्तरीके गौरिबासमे जीप दुर्घटना १० घाइल दु के अवस्था गम्भीर


सुरेश बिडारी
१८ अगहन महोतरी । बीपी राजमार्ग अन्र्तगत बर्दिबास सिन्धुली सडक खण्डके महोत्तरी गौरिबासमे जीप दुर्घटना भेलासँ १० गोटे घाइल भेल अछि ।

घाइल मेसँ दु गोटेके अवस्था गम्भीर अछि । आइ भिन्सर भेल दुर्घटनामे बर्दिबासके तिलक हमाल आ हरिमाया भुजेलके अवस्था गम्भीर रहल पुलिस जनौलक अछि । घाइलसबके बर्दिबासमे सामान्य इलाजक बाद थप इलाजक लेल काठमाण्डौ रिफर कएलगेल अछि ।

बर्दिबाससँ सिन्धुली जाऽ रहल ना २ च २६६ नम्बरक जीप अनियन्त्रित भऽ  गौरिबास ३ पाटुमे दुर्घटना भेल जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौलक अछि ।

सिन्धुलीमे प्रधानमन्त्रीक पुत्ला जराओलगेल


एसवी गौतम
१८ अगहन सिन्धुली । सिन्धुलीके बिभिन्न क्यम्पसमे गठित अनेरास्ववीयू क्यम्पस कमिटिसब आइ प्रधानमन्त्रीक पुत्ला जरौलक अछि ।

सिन्धुली वहुमुखी क्याम्पस, सिद्धज्योती शिक्षा क्याम्पस आ गौमती वहुमुखी क्याम्पस अन्र्तगतके अनेरास्ववीयू क्याम्पस कमिटि प्रधानमन्त्री वावुराम भट्राईके कार्यकालमे इतिहासके पैघ तथा भ्रष्ट मन्त्रीमण्डल गठन भेल दावी करैत ओसब पुत्ला जरौलक अछि । युवा स्वरोजगार कोषके सम्पूर्ण रकम वाईसिएलके बँटने आ देशके कोषके दुरुपयोग केलासँ विरोध स्वरुप प्रधानमन्त्रीक पुत्ला जराओलगेल सिन्धुली वहुमुखी क्याम्पसके अनेरास्ववीयू कमिटि अध्यक्ष खुसराज पौडेल वतौलनि ।

अर्थमन्त्रीके बाट रोकयबला युवासंघक कार्यकर्ता आ पुलिसबीच झडप


काठमाडौं, अगहन १८ । दक्षिण कोरियासँ घुरल अर्थमन्त्री वर्षमान पुनके बाट रवकयके क्रममे युवा संघक कार्यकर्ता आ पुलिसबीच झडप भेल अछि ।

युवा स्वरोजगार कोषके रकम माओवादी नेता रहल संस्थाके मनोमानी ढँगसँ देने कहैत आन्दोलित युवा संघक कार्यकर्ता पुनके त्रिभूवन विमानस्थल आगुए रोकयके तयारी केने छल ।

युवा संघ माओवादी नेतासबके वाँटलगेल १० करोड रुपैयाँ फिता करय, सहकारीके माध्यमसँ माओवादी नेता कार्यकर्तासबके वाँटय लागल सम्पुर्ण फाइलसब तत्काल रोकय आ जन आन्दोलन २०६२ / ६३ मे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह केने प्रमुख राजनीतिक दलक युवासब सहित सरोकारवालासब संलग्न रहल एक प्रभावकारी अनुगमन संयन्त्र तत्काल गठन करय माँग केलक अछि ।

माँग पूरा नहि हाएत तऽ काल्हिसँ दोसर चरणक कार्यक्रम घोषणा करब युवा संघक अध्यक्ष महेश बस्नेत जानकारी देलनि ।

अपमानपूर्वक सरुवा केलासँ असन्तुष्ट सचिवद्वारा राजीनामा


काठमाडौं , अगहन १८ । अनिवार्य अवकास पाबय डेढ महिना मात्रे बाँकी रहल समय अपमानपूर्वक सरुवा कएलगेल कहैत शिक्षा सचिव शंकर पाण्डे राजीनामा देलनि अछि ।

अगहन १ गतेके मन्त्रिपरिषदक बैसारसँ पाण्डेके प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयमे सरुवा केने छल । घरायसी कारण देखबैत पाण्डे आइ मुख्य सचिव माधवप्रसाद घिमिरेके राजीनामा बुझौलनि अछि ।

पाण्डे ५८ वर्ष सेवा अवधि पूरा कऽ आगामी पुस १९  गते अवकास पाबि रहल छथि । अनिवार्य अवकास पाबय एक वर्षसँ कम समय रहल व्यक्तिके ओकर सहमति बिना बदली करय नहि मिलयके प्रस्ट व्यवस्था निजामती ऐनमे अछि । मुदा सरकार हुनका पूर्व जानकारी बिना देनेही बदली केलक अछि ।

प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयके सचिव गोविन्द कुसुम अनिवार्य अवकास पौलाबाद रिक्त पदमे पाण्डेके बदली कएलगेल जनौलनि अछि ।

 अहिबीच शिक्षा सचिव पाण्डेके आइए मन्त्रालयसँ कर्मचारी बिदाई केलक अछि ।

फर्जी लडाकुके नाममे अरबौ रुपैयाक दुरुपयोग : देउवा


डडेलधुरा, अगहन १८ । कांग्रेस नेता एवं पूर्वप्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा माओवादी फर्जी लडाकुके नाममे अरबौ रकम दुरुपयोग केने आरोप लगौलनि अछि । ओ अहि विषयमे कांग्रेस पहिनेही बात उठाबि रहल समय अन्य दल चाँखि नहि देखौने उल्लेख कएलनि ।

आइ गृहजिल्ला डडेलधुरामे प्रेस युनियनके पत्रकार सम्मेलनमे नेता देउवा ६ हजार ५ सयसँ बेसी लडाकुके सेनामे भर्ना नहि कएल जाएत स्पष्ट कएलनि ।

माओवादी नेतासब फेउर सत्ता कब्जाके बात कऽ क कार्यकर्तासबके सर्बसत्ताबादके दिवास्वप्न देखौने बतबैत देउवा आबो सर्बसत्ताबादी चरित्र देखाओत तऽ माओवादीए समाप्त भऽ जाएत चेतावनी देलनि । माओपादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालक केहनो अवस्थामे सत्ता कब्जा करयके कहबी प्रति टिप्पणी करैत देउवा कहलनि जे, इ सर्बसत्ताबादके नशा नहि उतरल मात्र अछि ।

आब कोनो शक्ति देशमे सर्वसत्ताबाद लादय नहि सकत कहैत देउवा कहलनि जे, ‘माओबादी लडाकुसबहक समायोजन प्रकृया चलिरहल समय नेतृत्वेसँ एहन गैरजिम्मेवार बात औनाइ शान्ति प्रकृयाके हितमे नहि अछि ।  

देउवा माओबादी लडाकुसबहक समायोजन आ पुनर्स्थापनाबाद मात्रे संविधान जारी होबय सकत बतौलनि ।  लडाकुसबहक ब्यबस्थापनके बाद मात्रे राष्ट्रिय सहमतिक सरकार निर्माण हाएत बतबैत  देउवा ओकरबाद सरकार नेपाली कांग्रेसक नेतृत्वमे बनत ठोकुवा कएलनि ।

किछ काल देवानन्दके साथ









हात्ती आक्रमणमे दु महिलाके मृत्यु


काँकडभिट्टा, अगहन १८ । झापाके अलगे अलग स्थानमे आइ भिन्सर हात्तीके आक्रमणसँ दु महिलाके मृत्यु भेल अछि तऽ  एक गोटे घाइल  भेल अछि ।

जंगली हात्तीके आक्रमणमे बुधबारे९ के ६५ वर्षक श्रीमाया सुब्बा आ खुदुनाबारी५ के अन्दाजी ४५ वर्षक सवित्रा ओझाके मृत्यु भेल अछि । सुब्बाके इलाजक लेल विर्तामोड ल। जाइत काल आ ओझाके इलाजक क्रममे मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय झापा जनौलक अछि ।

वायह हात्ती समूहके आक्रमणमे बुधबारे९ के मानबहादुर माझी घाइल भेल अछि ।

भारतीय सिनेमा के सदाबहार अभिनेता देवानंद के निधन


१८ अगहन जनकपुरधाम । भारतीय सिनेमाके सदाबहार अभिनेता देवानंदके लंदनमें हृदयघातक कारण ८८ बर्षक उमेरमे आइ निधन भेल अछि ।

समाचार एजेंसी पीटीआईके अनुसार देवानंद किछ दिनसँ अस्वास्थ्य रहलासँ ओ इलाज कराबऽ लंदन गेल छलथि ।

देवानंद सन् १९४६ में फ़िल्मी दुनिया में अपन क़दम रखने छलथि आ ओ फ़िल्म हम एक हैं सँ शुरुवात केने छलथि । अहिके बाद कतेकौ सिनेमामे ओ अभिनय करैत वर्ष बाद फिल्म जिद्दीमे काज केलाबाद ओ पैघ अभिनेताके रुप में स्थापित भऽ गेलथि ।

देवानंद अपन अभिनय करियरमे पेइंग गेस्ट, बाज़ी, ज्वेल थीप, सीआईडी, जॉनी मेरा नाम, अमीर गरीब, हरे रामा हरे कृष्णा आ देस परदेस जेहन कतेकौ सुपरहिट फिल्मसब देलनि ।

ओकरबाद सन् १९४९ में देवानंद  नवकेतन फ़िल्म प्रोडक्शन शुरु केलनि आ फ़िल्म  निर्माणक दिस सेहो केन्द्रित भऽ गेलथि । ओ ३५ सँ बेसी फ़िल्मके निर्माण केने छथि ।

फ़िल्ममें हुनकर योगदानके देखैत हुनका सन् २००१ मे पद्म भूषण आ २००२ में दादा साहब फाल्के पुरस्कार सँ सेहो सम्मानित कएल गेल छलनि ।

अहिना देवानंदके २ टा फ़िल्मफेयर पुरस्कार सेहो भेटद छन्हि १९५८ मे  फ़िल्म काला पानी के लेल आ १९६६ मे फिल्म गाइड के लेल ।

१९९३ में हुनका फिल्मफेयर लाइफटाइम एचीवमेंट अवार्ड देल गेल रहन्हि । ओ अभिनेता मात्रे नहि छलथि कि ओ फ़िल्मके निर्देशन आ प्रोड्यूस सेहो केलनि ।

देवानंदके जन्म अविभाजित पंजाबके गुरदासपुर जे अखन  पाकिस्तानक नरोवल जिला में पडैत अछि । ओतय २६ सितंबर, १९२३ में भेल रहन्हि । देवानंदके माता-पिता हुनका धर्मदेव आनंद नाम देलनि

कहल जाइत अछि जे सदाबहार अभिनेता देवानंद कोनो समय अभिनेत्री जीनत अमान सँ एक तरफा प्रेम करैत छलथि मुदा शो मैनराजकपूरके प्रति जीनतके लगावके देखैत हुनकर दिल टुटि गेलनि ।
ओ जीनत अमान बहुत प्रेम कएलाक कारणसँ ओ अपन फिल्म हरे रामा हरे कृष्णामें हुनका अभिनेत्री बनौने छलथि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन