Monday, November 28, 2011

सर्लाहीमे हातहतियारसहित सशस्त्र समूहक दु गोटे सार्वजनिक


रुपबहादुर विश्वकर्मा

१२ अगहन सर्लाही । सर्लाहीमे आइ सशस्त्र समूहक दु गोटेके हातहतियार सहित पुलिस सार्वजनिक केलक अछि ।

मलंगवा स्थित जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे पत्रकार सम्मेलन कऽ जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा ज्वालासिंह समूहक शुरेश कहायबला चन्दन यादव आ उपेन्द्र बैठाके पुलिस आइ सार्वजनिक केलक अछि । बितल ९ गते गिरफ्तार भेल सर्लाहीके सिसौट गाविस वाड नं. ७ के चन्दनके सँगसँ  बरामद दु थान नलकटुवा पेस्तोल आ ४ राउण्ड गोली सेहो पत्रकार सम्मेलनमे सार्वजनिक कएल गेल छल । ओकरा सहयोग केने  आरोपमे सिसौटके वाड नं. ४ के बैठाके पुलिस आइ गिरफ्तार केलक अछि ।

अभियुक्त चन्दन उपर किछ समय आगु अपहरण बाद हत्या कएलगेल शंकरपुरक विजय रायके हत्या तथा रामवनके झगरु बैठाके सांघातिक आक्रमण कऽ गम्भिर घाईल बनौने सहितक विभिन्न अपहरण, चन्दा असुली जेहन दर्जनौं आरोप रहल प्रहरी उपरिक्षक मोहनराज जोशी जानकारी देलनि ।

अहिबीच आइए पुलिस गढैयासँ एक शंकास्पद व्यक्तिके गिरफ्तार केलक अछि । गढैया वाड नं. १ के रामस्नेही यादवके गिरफ्तार कएलगेल पुलिस जनौलक अछि ।

सहमतिमे आबयके विकल्प नहि अछिः सूचना तथा संचार राज्यमन्त्री साह


नागेन्द्र कर्ण
जलेश्वर, अगहन १२ । सूचना तथा सञ्चार राज्य मन्त्री सुरिता कुमारी साह आव राजनीतिक दलसबके संविधान निर्माणक लेल सहमतिमे आबयके विकल्प नहि रहल बतौलिह अछि ।
 
नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखाद्वारा आइ जलेश्वरमे आयोजित एक कार्यक्रममे बजैत ओ आब संविधानसभाक म्याद अन्तिम समयके लेल बढाबय लगलासँ संविधान निर्माणक लेल सहमति जरुरी रहल बतौलिह । शान्ति प्रक्रिया सहितक राज्य पुर्नसंरचना आयोग समेत गठन भऽ चुकलासँ दलसबके संविधान निर्माणक कामके आगु वढाबयके आजुक आवश्यकता रहल ओ बतौलिह । राज्यमन्त्री साह अखने सँ दलसबके गम्भीरता पूर्वक संविधान निर्माणमे जुटय परत बतौलिह ।

मधेशी जनअधिकार फोरम गणतान्त्रिकके नेतृ तथा राज्यमन्त्री साह सूचना आ सञ्चारक विकास आवश्यक रहलासँ महोत्तरीके सञ्चारक विकासक लेल अपने क्रियाशिल रहब वतौलिह ।

कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखाक अध्यक्ष हरिप्रसाद मण्डल महोत्तरीके सञ्चारक अवस्था वारे  राज्यमन्त्री साहके जानकारी करौने छलथि ।

कार्यक्रममे हुनका अध्यक्ष मण्डल सम्मान केने छलथि तऽ  ओइसँ आगु राज्यमन्त्री साह नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखाक कार्यालय भवनके सेहो स्थलगत निरिक्षण कएने छलिह 

आइ माता जानकीके मटकोर


१२ अगहन जनकपुरधाम । ऐतिहासिक एवम् धार्मिक नगरी जनकपुरमे जारी विवाहपञ्चमी महोत्सव अन्तर्गत आइ माता जानकीके मटकोर हर्षोल्लासपूर्वक भऽरहल अछि । काँल्हि राम मन्दिरमे तिल्कोत्सव कार्यक्रम सम्पन्न भेलाक पश्चात आइ मटकोर भऽरहक अछि। काँल्हि भेल तिल्कोत्सव कार्यक्रममे राममन्दिरक महन्थ राम गिरी आ जानकी मन्दिरक महन्थ रामतपेश्वर दास वैष्णव एक आपसमे सम्धी मिलन कएने छलथि। महन्थ गिरी अयोध्या नरेश दशरथ तथा महन्थ दास राजा जनकक रुपमे प्रतिनिधित्व कएने छलथि ।

तिल्कोत्सवक अवसरमे जानकी मन्दिरसँ बाजागाजासहित राममन्दिरमे १ सय ५१ भार पहुँचाओलगेल छल। आइ मटकोर सम्पन्न भेलाक बाद काँल्हि स्थानिय बाह्रविघा रणभूमि मैदानमे स्वयम्वर आ जानकी मन्दिरमे शुभविवाहक कार्यक्रम रहल अछि।

तहिना अगहन १४ गते रामकलेवा अर्थात् विदाई समारोह भेला पश्चाय विवाहपञ्चमी महोत्सव सम्पन्न हाएत। बाजागाजा आ झाँकीसहित राम आ सीताक प्रतिमाके विशेष रुपमे बनाओलगेल डोलामे सिंहासन करा कऽ रणभूमि बाह्रविघा मैदानमे लऽजाँक स्वयम्वर कार्यक्रम होइत अछि।

भारतक अयोध्या सहितक विभिन्न स्थानसँ विभिन्न मठक महन्थ आ साधुसन्तसभ बरातीक रुपमे जनकपुर आबक क्रम अखनो जारीए अछि । तहिना महोत्सवमे सहभागी होवयलेल धनुषा, महोत्तरी, सिरहा, सर्लाही सहितक नेपालक विभिन्न जिल्लासँ श्रद्धालुसभके जनकपुर आबक क्रम सेहो जारी अछि । सर्वसाधारणक सुरक्षाके दृष्टिगत करैत जनकपुरक सुरक्षा व्यवस्था कडा कएलगेल अछि।

६ टा शिविरमे लडाकु पुनवर्गीकरण आइ सम्पन्न भऽ रहल


१२ अगहन, काठमाडौँ । कैलालीके तालबन्दस्थित सातम डिभिजन बाहेक अन्य ६ टा शिविरमे बितल अगहन ३ गतेसँ जारी माओवादी सेनाक लडाकुसबहक पुर्नवर्गीकरण कार्य आइ सम्पन्न भऽ रहल अछि ।

कैलालीके तालबन्दस्थित सातम् डिभिजनबाहेक ६ टा मे आइ बेरियाक ५ बजेधरिमे वर्गीकरणके काम सम्पन्न भऽ जाएत सेना समायोजन विशेष समिति अन्तर्गतक सचिवालय संयोजक बालानन्द शर्मा जानकारी देलनि ।

सिन्धुलीके दुधौलीस्थित पहिल डिभिजन, इलामके चुलाचुलीस्थित दोसर डिभिजन, चितवनके शक्तिखोरस्थित तेसर डिभिजन, नवलपरासीके झ्यालटुङ डाँडास्थित चारिम डिभिजन, रोल्पाके दहवनस्थित पाँचम डिभिजन आ सुर्खेतके दशरथपुरस्थित छठम् डिभिजनमे आइ बेरियाधरिमे वर्गीकरणके काम सम्पन्न होबय लागल अछि ।

मुदा तालबन्दमे थारुवान तराई पार्टी सहित विभिन्न सात टा जातीय समूह केने ४ दिना आम हड्तालक कारण लडाकु मुख्य शिविरसँ लाबयमे समस्या अएलासँ वर्गीकरण सम्पन्न होबय नहि सकल अछि । शर्माक अनुसार ३ हजार ३ सय १० लडाकु रहल तालबन्दमे करिब १८ सयके वर्गीकरण सम्पन्न भऽ चुकल अछि । हुनका अनुसार काल्हि धरिमे १४ हजार ५७ गोटे लडाकुके वर्गीकरण सम्पन्न भऽ चुकल अछि ।

सात मुख्य आ २८ सहायक शिविरमे कऽ अनमिनसँ प्रमाणीकरणमे परल १९ हजार ६ सय २ माओवादी लडाकु अछि ।

पैघ परिमाणमे लागुऔषध गाँजा बरामद


१२ अगहन, पर्सा । पर्साके निर्मलवस्तीसँ आइ भिन्सर पुलिस ६ क्विन्टल गाजा बरामद केलक अछि ।


सुर्वणपुरस्थित सशस्त्र पुलिसक आउट रिच पोष्ट आ इलाका प्रहरी कार्यालय ठोरीसँ खटल पलिसक संयुक्त टोली निर्मलवस्ती-८ के छेदु लामाके घरमे छापा मारि कऽ २१ टा बोरामे राखल गाँजा बरामद केलक अछि । बरामद कएलगेल गाजाँ प्रहरी चौकी विजयवस्तीमे बुझाओलगेल सशस्त्र प्रहरी निरीक्षक गोलेप्रसाद चौधरी जानकारी देलनि ।

सबसँ पैघ भ्रष्टाचार राजनीति में:राहुल


१२ अगहन नयाँ दिल्ली । कांग्रेस महासचिव राहुल गांधी कहलन्हि जे सबसँ पैघ भ्रष्टाचार राजनीति में अछि आ जहियाधरि अपनेसब राजनीतिके सिस्टमके नहि बदलब ता धरि इ भ्रष्टाचार दूर नहि हाएत ।

ओ कहलनि जे ''लोग भ्रष्टाचारके बात करैत अछि । मुदा सबसँ पैघ भ्रष्टाचार राजनैतिक सिस्टम में अछि । जहियाधरि अपनेसब राजनैतिक सिस्टमके नहि बदलब ता धरि भ्रष्टाचार के बिरुद्ध अपनेसब लड़ाई नहि लड़य सकब ।''

राहुल गांधी आइ दिल्लीमें यूथ कांग्रेस के रैली के संबोधन करयके क्रममे इ बात बतौलनि अछि ।

पूर्व संचार मंत्री सुखरामके भेटलनि ज़मानत


१२ अगहन भारत । पूर्व संचार मंत्री सुखरामके दिल्ली हाई कोर्ट हुनकर स्वास्थ्य अबस्थाके ध्यानमे रखैत ज़मानत देलक अछि ।

सन् १९९६ में एक कंपनीके ठेका देबयके बदलामे तीन लाख रूपैया घूस लेबयके आरोपमें किछ दिन पहिने सुखरामके पाँच सालक जेलके सज़ाय सुनाओल गेल छल।

सुखराम  संचार राज्य मंत्रीके पद पर रहल समय एक कंपनीके ग़लत तरीकासँ फ़ायदा पहुँचाबयके उद्देश्य सँ दूरसंचार विभागके लेल बेसी दाम पर तार किनने अदालतक कहब अछि ।

हिमाचल प्रदेशके प्रभावशाली नेतामे सँ एक ८६ वर्षक सुखराम सन् १९९१ सँ लऽ क सन् १९९६ धरि पीवी नरसिंह राव सरकारक समयमें केंद्रीय दूरसंचार मंत्री छलथि ।

इराक़ी जेलके बाहर आत्मघाती हमला, 11 के मृत्यु्


१२ अगहन इराक़ । इराक़में भेल एक आत्मघाती हमलामें ११ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

आत्मघाती हमलावर  बग़दाद के नजदिक रहल जेलके प्रवेश द्वार पर अपना आपके विस्फोटकसँ उड़ालेने छल । जाहिमे परि कम सँ कम १५ गोटे घाइल सेहो भेल अछि । अहि दुर्घटनामे परयबलासबमे पुलिसकर्मी, सुरक्षाकर्मी आ जेलके कर्मचारी अछि ।

पेट सँ निकलल ४२१ टा डलर , १९६ टा नट आ १७ टा बोल्ट


१२ अगहन छतिसगढ । भारतक छत्तीसगढ़ के कोरबा जिल्लामें एक गोटेके पेटसँ ४२१ टा डलर, १९६ टा नट, १७ टा  बोल्ट आ तीन टा लोहा के चाबी निकलल अछि ।

इ खबर सुनि कऽ आलमारीमे राखल कोनो चिज लगितो बास्तवमे इ सब २८ वर्षक कुलेश्वर सिंहके पेट सँ ३ घंटाधरि चलल आपरेशनके बाद डाक्टर ६ किलो सँ बेसी लोहा निकाललक अछि ।

मानसिक रूपसँ कमज़ोर कुलेश्वर कखन इ सब खेलक से अपनासबके मालुम नहि रहल हुनक परिवारक सदस्यसब बतौलक अछि ।

ओ लंबा समयसँ पेटमें दर्द भऽ रहल शिकायत करैत रहैत छल तऽ डाक्टर पहिने एकरा सामान्य पेट के रोगके रुपमे लेने छल । बादमें जांच कएला पर रिपोर्टों में अंतड़ी में किछ फँसल पता लागल छल ।

कोरबाके श्रृष्टि मेडिकल अस्पताल आ शोध संस्थानके डाक्टर कुलेश्वरके आपरेशन करय काल आश्चर्यमे परल छल । करिब ३ घंटाधरि चलल अहि आपरेशनमें एक के बाद एक डलर, नट आ बोल्ट सब निकलैत रहल ।

डाक्टरसब आश्चर्यचकित अछि जे एतेक खएलाक बादो कुलेश्वरके अंतड़ीके बेसी नोक्सान नहि पहुँचल अछि ।

जचुकालीक मजदुर देलक धर्ना


१२ अगहन जनकपुरधाम । जनकपुर चुरोट कारखानाक मजदुरसब आइ १ घण्टा धर्ना देलक अछि ।

पुर्व घोषित कार्यक्रम अनुसार जचुकालिके मजदुरसब जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषामे आइ एक घण्टा धर्ना देलक अछि ।
आइ दुपहर करिब पौने १२ बजेसँ पौने एक बजेधरि धर्ना देने बताओलगेल अछि । धर्ना देबयसँ पहिने मजदुरब जुलुश सहित नगरक बिभिन्न भागक परिक्रमा करैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय पहुँचल छल ।

बन्द रहल फैक्ट्रीके सँचालन , कर्मचारीसबके बाँकी बक्यौता रहल दरमाहा देबयके सहितक बिभिन्न माँग रखैत मजदुरसँगठन धर्ना देने बताओलगेल अछि । शिघ्र माँग पुरा नहि भेल तऽ बादमे धर्नाक समय बढाबयके आ ओहुँस नहि हाएत तऽ आओर शसक्त कार्यक्रमसब करयके मजदुर सँगठन चेतावनी सेहो देने अछि ।

सुकुम्बासी ठगी काण्डक मुख्य अभियुक्त गिरफ्तार / ४ गोटे अखनो फरार


नेपालगन्ज, अगहन १२ । सुकुम्वासीके लालपुर्जा उपलब्ध करादेबयके प्रभोलन देखा कऽ पैसा उठौने आरोपमे राजु थापाके पुलिस नेपालगँजसँ गिरफ्तार केलक अछि ।

बांकेके सयौं सुकुम्वासीसँ पैसा उठौने आरोपमे पुलिस गिरफ्तार केलक अछि । थापा सुकुम्वासी समस्या समाधान आयोगक जिल्ला समिति सदस्य तथा ठगी काण्डक मुख्य नाइके रहल पुलिस जनौलक अछि ।

बाँके जिल्ला प्रशासन कार्यालय आसिन ९ गते ठगी काण्डके मुख्य ओरापी राजु थापा  सहित ओ ५ गोटेके गिरफ्तार करय पुलिसके निर्देशन देने छल । तीन महिना बाद पुलिस आइ थापाके गिरफ्तार केने जनौलक अछि ।
आदेश जारी कएलगेल फत्तेपुरके राजबहादुर बुढा, जगत सिह,दिपबहादुर बस्नेत आ प्रेमलाल थारु सहित ४ गोटे फरार रहलासँ ओकरासबके सेहो पुलिस खोज तलास कऽ रहल जनौलक अछि ।

कम तौलक ग्याँस बिक्री भऽ रहल


१२ अगहन जनकपुरधाम ।  सरकारी निकायक अनुगमनके चुनौति दैत जनकपुरमे खाना बनाबएबला एकटा ग्यास दोकानसँ ग्यास सिलिण्डर बिक्रिमे अनियमितताक समाचार प्राप्त भेल अछि।
जनकपुरक माछ बजार स्थित कोशी ग्यासके डिलर गीता ट्रेडर्स नामक दोकानसँ खरिदल गेल सिलिण्डरमे अनियमितता देखलगेल एकटा ग्राहक बतओलन्हि अछि।जनकपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ७ क एकटा ग्राहक जानकी राम साह आ दोसर बिरेन्द्र साह काल्हि  खरिद कएलगेल दु टा सिलिण्डरमे अत्याधिक मात्रामे कम ग्यास देखलगेल अछि।
दु टा सिलिण्डरमेसँ एकटामे ५ किलो आ एकटामे ४ किलो ग्यास कम रहल साह जानकारी देलन्हि अछि साहक अनुसार ओहि दोकानसँ बेर बेर एहि प्रकारक काज होइत आएल अछि एहि विषयमे पुलिसके जानकारी देलाक बाद पुलिस एहि विषयमे सहि तथ्य  अनुसन्धान करबालेल अनिल चौधरीके नियन्त्रणमे लेलगेल बुझबामे आएल अछि।हिना ग्राहक  साह एहि विषयमे जनकपुर उधोग वाणिज्य संघमे सेहो जानकारी करओने बुझबामे आएल अछि।
एम्हर गीता ट्रेडर्सके संचालक अरुण कुमार ठाकुरक पुत्र प्रशान्त कुमार ठाकुर ओ दुनु सिलिण्डर हुनका दोकानसँ खरिद नइ कएलगेल दावा कएलन्हि अछि यदि सिलिण्डर ओहि दोकानसँ खरिद कएलगेल अछि तऽ बील देबएलेल ठाकुर चुनौति देलन्हि अछि एम्हर किछु ग्राहकसभक अनुसार ग्यास सीलिण्डर लैतकाल डिलरसभ बिल नइ देल करैत अछि।
ओम्हर जनकपुर उद्योग बाणिज्य सँघक एसोसिएट सदस्य समेत रहल जानकी राम साहक अनुसार ग्याँस ब्यबसायी सँघक अध्यक्ष मनोज चौधरी आ गिता ट्रेडर्सके कर्मचारीके रोहबरमे ओ ग्याँसक सिलिण्डरके तौल करैत काल कम ग्याँस रहल पाओल गेल छल ।  तहिना ओ ग्याँस ब्यापारीसबसँ ग्याँस सिलिण्डर खरिद करैत काल भ्याट बिल लेबय सेहो अपिल कएलनि अछि ।
ठाकुरके अनुसार जनकपुरमे कोशी ग्यासके तीनटा डिलर छैक आ ओ शंकास्पद सिलिण्डर कतहसँ लेलगेल एकर प्रमाणलेल बिल देनाई जरुरी छैक ठाकुरके कहब छलन्हि ।ठाकुरके अनुसार हुनकर करोडोके व्यापार छन्हि आ ओ प्रत्येक ग्राहकके ग्यास बिक्रि करैत काल बिल उपलब्ध कराएल करैत छथि।संचालक अरूण ठाकुरसँ सम्पर्क कएला पर एखन ओ जनकपुरसँ बाहर रहल बुझबामे आएल अछि।
ग्राहकसभक तर्फसँ बेर बेर एहि प्रकारक शिकायत अओलाक बादो स्थानीय प्रशासनद्धारा कडा कदम नइ उठलासँ सर्वसाधारण पिडा भोगए पर वाध्य अछि।

एक मोडल


कोलम्बियाम आयोजित बायो-फेसनम एक मोडल डिजाइनर अन्न मुर्सीयाक डिजायन प्रस्तुत करैत

facebook Page Like

  • मनोरँजन