Monday, September 05, 2011

अल-क़ायदा के तीन सदस्य गिरफ़्तार


पाकिस्तान, भादव १९ । पाकिस्तानक ख़ुफिया एजेंसी आईएसआई  अमरीकी ख़ुफिया एजेंसीके साथ मिल कऽ एक संयुक्त ऑपरेशनमें चरमपंथी संगठन अल-क़ायदाके तीन वरिष्ठ सदस्यके गिरफ़्तार केलक अछि ।

अहि ऑपरेशनके योजना बनाबय स लऽक अहिके कार्यान्वित करयमें अमरीकी ख़ुफिया एजेंसि सहयोग केने पाकिस्तानी सेना बतौलक अछि ।

जानकारीके अनुसार गिरफ़्तार भेल मे सँ यूनिस-अल-मौरि शियानी सबसँ वरिष्ठ सदस्य अछि ।

सेनाके अनुसार अल-क़ायदा प्रमुख ओसामा बिन लादेन  मौरिशियानीके  पश्चिमी देशके आर्थिक सँ सम्बन्धित सबके निशाना बनाबयके ज़िम्मेदारी देने छल ।

‘पपुलिस्ट’ नहि कि ‘पपुलर’ कार्यक्रम आनब : अर्थमन्त्री


काठमाडौ, भादव १९ । नवनियुक्त अर्थमन्त्री वर्षमान पुन दु अङ्कके आर्थिक वृद्धिदर हासिल करय अपने पहिल प्राथमिकता देब बतौलनि अछि ।

निजी क्षेत्रके विश्वासमे लऽ लगानीमैत्री वातावरण बनाबय, औद्योगिक क्षेत्रमे शान्ति सुरक्षा कायम करय, युवा स्वरोजगार कार्यक्रमके आरो प्रभावकारी बनाबय, बेरोजगारी समस्याके सम्बोधन होबय जका कार्यक्रम लाओल जाएत ओ बतौलनि ।

अगिला सरकार लौअने बजेट पारित करयके बिषयमे अर्थमन्त्री पुन राजनीतिक सहमतिके आधारमे बजेट पारित करय अपने पहल करब बतौलनि ।

माओवादी आ संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाबीच नयाँ प्रधानमन्त्रीके चयन होबयस आगु भेल ४ बुँदे सहमतिमे बजेटके परिमार्जन करयके उल्लेख कएलगेल अछि ।

अर्थमन्त्री पुन जनताके तत्काल राहत देबयके कार्यक्रम तत्काल सार्वजनिक कएल जाएत बतौलनि । ओ कहलनि हम पपुलिस्टसँ बेसी पपुलरकार्यक्रम आनब ।

शान्ति प्रक्रियाके तार्किक निष्कर्षमे पहुँचबैत नयाँ संविधान जारी करयके वर्तमान सरकारक पहिल प्राथमिकता रहलासँ अइके सफल करय अपने काज करब अर्थमन्त्री पुन वतौलनि ।

माओवादी नेतासब चोरीके गाडी चढिरहल कहैत संसद्के सिंहक ध्यानाकर्षण


काठमाडौं, भादव १९ । स्वतन्त्र सभासद् बबन सिंह माओवादीके नेतासब सयौँ चोरीके गाडी चढिरहल आ ओकर कर नहि तिरने आ दर्ता सेहो नहि करौने कहैत सदनके ध्यानाकर्षण करौलनि अछि ।

व्यवस्थापिका-संसदके बैसार सुरु होइते आइ सभासद् सिंह गृहमन्त्री कपिलवस्तु जिल्लाके प्रहरी उपरीक्षकके अपराधी छोडयके लेल दबाब देने सेहो उल्लेख केलनि ।

 बैसारमे सार्वजनिक लेखा समितिक सभापति रामकृष्ण यादव सार्वजनिक लेखा समितिके तेसर प्रतिवेदन सदनसमक्ष पेस केलनि ।

 सभामुख सुवासचन्द्र नेम्बाड मन्त्रिपरिषद् गठनसम्बन्धी प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालयसँ प्राप्त पत्र पढि कऽ सुनौलनि । संसदके अगिला बैसार भादव २६ गते सोमदिन ११ बजे बैसत बताओल गेल अछि ।

शुल्कवृद्विके विरोधमे अनिश्चितकालीन तालाबन्दी करयके घोषणा


१९ भादव, काठमाडौं । पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालय सम्बद्ध इन्जिनियरिङ क्याम्पससब मापदण्ड विपरीत अनियमित तरिकासँ शुल्कवृद्वि केने कहैत अनेरास्ववियु अनिश्चितकालीन तालाबन्दी करयके घोषणा केलक अछि ।

अनेरास्ववियु आइ अपने कार्यालयमे पत्रकार सम्मेलनके आयोजना कऽ इन्जिनियरिङ पढाइ होबयबला पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयमे अनियमित ढङ्गसँ ५० हजारसँ एक लाखधरि शुल्क वृद्वि केने कहैत याह भादव २१ गतेसँ अनिश्चितकालीन तालाबन्दी कएल जाएत जनौलक अछि ।

विश्वविद्यालय अनिमित तरिकासँ प्रवेश परीक्षा लेलासँ रद्द कऽ पुनःपरीक्षा लेबयके, मापदण्डविपरीत निर्धारण केने शुल्क वृद्वि तत्काल खारेज कऽ शुल्क निर्धारण आयोग मार्फत शुल्क निर्धारण करयके, छात्रवृत्तिके सम्बन्धमे अनेरास्ववियु आ पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालय बीच भेल सहमतिके पूर्ण कार्यान्वयन करयके माँग केलक अछि ।

विश्वविद्यालयमे प्रवेश परीक्षामे नक्कली परीक्षार्थीके सामेल करा कऽ परीक्षा देबय लगाबयके, राजनीतिक दलक भ्रातृसङ्गठनके परीक्षामे गार्ड राखि प्रवेशपत्र परीक्षण करय जेहन काज केने कहैत अनेरास्ववियु विरोध केलक अछि ।

अनेरास्ववियुके अध्यक्ष माधव ढुङ्गेल शिक्षा जेहन सम्बेदनशील क्षेत्रमे नकली विद्यार्थीके परीक्षामे सामेल कराबय जेहन काज कऽ क पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयके शैक्षिक सँस्थास बेसी भष्टाचार करयके अखडा बनौने आरोप लगौलनि ।

भट्टराई आ प्रचण्डके दिल्लीमे स्वागत करय भारत औगुता रहल : त्यागी


१९ भादव, काठमाडौ । भारतीय जनता दल यूनाईटेडके महासचिव केसी त्यागी नेपालक प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भट्टराई आ एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्डके नयाँ दिल्लीमे स्वागत करय भारत औगताह रहल बतौलनि अछि ।

रिपोर्टर्स क्लब नेपाल आइ राजधानीमे आयोजना केने साक्षात्कारमे महासचिव त्यागी डा बाबुराम भट्टराईके नेतृत्वप्रति भारत सरकार, राजनीतिक पार्टी आ नागरिक समाज बहुत आशावादी रहल कहैत भट्टराई नेतृत्वमे नेपालक शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण कार्य निष्कर्शमे पहुँचयमे विश्वास ब्यक्त कएलनि ।


ओ आन देशसँ भारत नेपालके महत्व दऽ रहल कहैत अपनासबहक नेपाल भ्रमणके कोनो मिसन नहि भेल आ नेपालक समस्या समाधान करय नेपाली जनता आ दलसब सक्षम रहल समेत स्पष्ट कएलनि ।

४५ दिनमे शान्ति प्रक्रिया निश्कर्षमे पहुँचत तऽ वर्तमान सरकार राष्ट्रिय सहमतिके : आर्चाय


१९ भादव, काठमाण्डौ । नेकपा एमाले संसदीय दलक प्रमुख सचेतक भीम प्रसाद आचार्य सरकारक प्रतिबद्धता अनुसार डेढ महिनामे शान्ति प्रक्रिया निश्कर्षमे पहुँचाबय सकत तऽ प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक सरकार राष्ट्रिय सहमतिक वनत वतौलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित एक कार्यक्रममे नेता अर्चाय प्रधानमन्त्री भट्टराई शान्ति प्रक्रियाके निश्कर्षमे पहुँचाबय सकत तऽ एमाले आ काँग्रेस समेत सरकारमे सहभागी हाएत बतौलनि । लडाकुके संख्या, मोडालिटि, दर्जा निर्धारण, पुर्नस्थापना प्याकेज सहितक विषयमे सहमति भऽ शान्ति प्रक्रियाके काज आगु नहि बढयधरि प्रगति भेल नहि मानल जाएत हुनक कहब छलनि । चाबी बुझाबयके काज सकारात्मक होइतो ओ शान्ति प्रक्रियामे उल्लेख्य प्रगति  नहि भेल हुनक दाबी छलनि ।

डेढ महिनामे शान्ति पक्रियाके निश्कर्ष लागत त बाँकी डेढ महिनामे संविधानक पहिल एकीकृत मस्यौदा आबयके दावी करैत ओ ओकरबाद संविधानसभाके म्याद किछ थपियो कऽ संविधान जारी करय सकयके बतौलनि । ओ राज्यके पुर्नसंरचनाके लेल विज्ञसबहक टोलीमे सहमति होइतो संविधान लेखनके काज आगु बढत विश्वास ब्यक्त कएलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन