Monday, October 17, 2011

विपक्षीद्धारा लगातार तेसर बेर सेहो संसदक बैसार अवरुद्ध


३० आसिन, काठमाडौं । रक्षामन्त्रीके राजीनामा आ प्रधानमन्त्रीके जवाफ मँगैत नेपाली कांग्रेस, एमाले सहितक विपक्षी दलसब आइ सेहो व्यवस्थापिका संसदक बैसार अवरुद्ध केलक अछि । विपक्षीसब लगातार तेशर बेर  संसदक बैसार अवरुद्ध केलक अछि ।

संसदक बैसार सुरु होइते कांग्रेस सभासद रमेश लेखक राष्ट्रियता विरोधी अभिव्यक्ति देबयबला रक्षामन्त्रीके कारवाही कऽ प्रधानमन्त्रीके सदनमे जवाफ नहि देबयधरि सदन चलय नहि देब बतौने छलथि ।

अहिना एमाले सभासद रघुविर महासेठ मधेसी जनता ककरो गुलाम नहि रहल बतौलनि । राष्ट्र विखण्डनके बात  करयबला रक्षामन्त्री शरतसिंह भण्डारी पहिले रक्षामन्त्री रहलासँ हुनका तत्काल वर्खास्त करय माँग कएलनि । ओ रक्षामन्त्रीके तत्काल कारवाही नहि करत तऽ बाबुराम भट्टराई विखण्डनकारीसबके प्रधानमन्त्री सावित हाएत चेतावनी देलनि ।

रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्तिबारे फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार माफी मँगने देखावटी मात्र रहल कहैत ओ रक्षामन्त्री आ पार्टीसँ निस्कासन कऽ क देखाबय चुनौति देलनि ।

कांग्रेस प्रमुख सचेतक लक्ष्मण घिमिरे अपनासब उठौने विषयमे प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई जवाफ देताह से आश रहितो ओ नहि भेल कहैत माग पूरा नहि होबयधरि सदन चलय नहि देब बतौलनि ।

ओइके बाद कांग्रेस, एमाले सहितक दलक सभासदसब अपन अपन ठामसँ उठि कऽ विरोध केलाबाद सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङ संसदक बैसार काल्हिधरिके लेल स्थगित कएलनि ।

दिर्घकालिन महत्व राखयबला सम्झौता नहि करय दलसबहक सुझाव


३० आसिन, काठमाडौं । दलसब भारत भ्रमणके क्रममे सुलुर्दगी सन्धी, एयर मार्सल राखय सहितक दिर्घकालिन महत्व राखयबला कोनो सम्झौता नहि करय प्रधानमन्त्रीके सुझाव देलक अछि ।

प्रधानमन्त्री कार्यालय सिंहदरवारमे आइ भेल बिमर्शमे कांग्रेस, एमाले सहितक दलसब दिर्घकालिन महत्व राखयबला आ देशभितर आम सहमति नहि भेल कोनो विषयमे सम्झौता नहि करय सुझाव देल गेल छन्हि ।

ओ सब विगतमे भेल टनकपुर महाकाली सहितक सम्झौता कार्यान्वयनबारे खुलस्त् रुपमे बिमर्श करय सुझाव देने कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल जानकारी देलनि ।

नेतासब आर्थिक हितमे बिमर्श करय आ आवश्यक सम्झौता करय सेहो प्रधानमन्त्रीके सुझाव देने छथि ।

एमालेक वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल, राष्ट्रिय जनशक्ति पार्टीक अध्यक्ष सूर्यबहादुर थापा सहितक सब माओवादी आ भारतबीचक सम्वन्धबारे प्रष्ट करयआग्रह कएने छलथि ।

बिमर्शमे माओवादी, कांग्रेस, एमाले, मधेसी मोर्चासँग आबद्ध विभिन्न राजनीतिक दलक शीर्ष नेतासबह सहभागिता छल । प्रधानमन्त्री डा. भट्टराई कातिक ३ गते ४ दिना भारत भ्रमणमे जा ऽ रहल छथि ।

गद्दाफ़ीके पुत्र ख़ामिसके मृत्युके पुष्टि


३० आसिन लिबिया । कर्नल मुअम्मर गद्दाफ़ीके समर्थन करयबला सीरियाके एक टेलीविज़न स्टेशन गद्दाफ़ीके बेटा खामिसके मृत्यु भेल पुष्टि केलक अछि ।

सीरियाके अराई टीवीके कहब अछि जे ख़ामिस २९ अगस्तके महीनामें अंतरिम परिषदके सैनिकके सँग तारहूना शहरमें भेल भिडन्तमे मारल गेल छल ।

अंतरिम परिषद ख़ामिसके अगस्त महीनामें मृत्यु भेल पहिनेही बतौने छल मुदा एकर पुष्टि होबय नहि सकल छल ।.

ख़ामिसके सँग  हुनकर एकटा रिश्तेदार मोहम्मद अब्दुल्ला अल सानूसीके सेहो तारहूनाके भिडन्तमे मृत्यु भेल छल ।

कुलदीप बिश्नोई 6 हजार 323 भोट सँ जीतलाह


३० आसिन भारत । हरियाणाके बहुचर्चित हिसार लोकसभा उपचुनावमें हरियाणा जनहित कांग्रेसके उम्मीदवार कुलदीप बिश्नोई ६ हजार ३ सय २३ भोट सँ जित हासिल केलनि अछि ।

कुलदीप बिश्नोईके भारतीय जनता पार्टीक समर्थन हासिल छल । भारतीय राष्ट्रीय लोकदलके उम्मीदवार अजय चौटाला दोसर आ कांग्रेसक जयप्रकाश तेसर नंबर पर रहलाह ।

बिश्नोईके जीतके बाद हुनकर समर्थकसब हिसारमें जश्न मना रहल अछि ।

बिहार के दरोंदा विधान सभा उप चुनावमें जेडीयूके जीत


३० आसिन बिहार । बिहारके दरोंदा विधान सभाके लेल भेल उप चुनावमें जनता दल (यू) के उम्मेदवार कविता अपन निकटतम प्रतिद्वंदीसँ लगभग 20,000 भोटसँ जीत हासिल केलिह अछि ।

सिवान ज़िलाके दरोंदामें ओतयके पूर्व विधायकके मृत्यूके कारण चुनाव करबाब पड़ल छल । ओ सीट पहिनहु जेडीयूके छल ।

अहि चुनावमें जीत हासिल करयबाली कविता ओतयके पूर्व विधायकके पुतौह अछि आ हुनकर बिबाह हालेमें  भेल छल । हुनकर पतिके नाम कतेकौ आपराधिक मामलामे सँलग्न रहल आरोपमे लेल जाइत अछि ।

जनचाहाना अनुसार प्रहरी संगठन विकसित करय परतः गच्छदार


काठमाडौ, आश्विन ३० ।  उपप्रधानमन्त्री तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार बदलैत अन्तर्राष्ट्रिय परिस्थिति आ जनचाहना अनुरुप नेपाल प्रहरी संगठनके विकसित करयके आवश्यकता रहल बतौलनि अछि ।

नेपाल प्रहरीद्वारा प्रहरी दिवस२०६८ के उपलक्ष्यमे आइ  आयोजित शहिद प्रहरीप्रति श्रद्धाञ्जली अर्पण समारोहमे ओ नेपाल प्रहरीके आधुनिकीकरण आ व्यवसायीकरण करयदिस सरकार आवश्यक पहल करत जानकारी देलनि ।

गृहमन्त्री गच्छदार देशमे शान्ति सुरक्षा स्थापना करय, राष्ट्र निर्माण आ विकासक लेल प्रहरीके सहभागिता अपरिहार्य रहल बतौलनि ।

गृहमन्त्री गच्छदार प्रहरी नीति, प्रहरी सरुवा बढुवामे हस्तक्षेप भेल खबर कपोलकल्पित रहल बतबैत अहि प्रक्रियामे हस्तक्षेप नहि होए उद्देश्यसँ सरकार प्रहरी सेवा आयोगके मस्यौदा तयार करय लागल जानकारी करौलनि ।

ओ प्रहरी संगठनके निचलास्तरके कर्मचारीके कार्यक्षेत्रमे मनोबल बढाबयके लेल सरकार कल्याणकारी योजना सञ्चालन करयके तथा प्रहरी संगठनमे लैंगिक मैत्री वातावरण बनाबयमे लागत विश्वास व्यक्त कएलनि 

प्रहरी कर्मचारीके क्षमता अभिवृद्धिके लेल प्रहरी प्रशिक्षण संस्थानके व्यवस्थापन करय तथा ट्राफिक जनचेतनासम्बन्धी पाठ्यसामग्री स्कुलक पाठ्यक्रममे सहभागी कराबय लेल पहल करय समेत गृहमन्त्री गच्छदार सङ्गठन प्रमुखके निर्देशन देने छलथि 

ओ अवसरमे ओ शहिद प्रहरी स्मारकमे पुष्पहार चढबैत तीन गोटे शहिद प्रहरी परिवारके कदरपत्र तथा स्मारक गुठीके आजीवन सदस्यता प्राप्त करयबला सात गोटे प्रहरी कर्मचारीके कदरपत्र प्रदान केने छलथि 

कार्यक्रममे अमर प्रहरी परिवार, प्रहरी अधिकृत, कर्मचारी, नागरिक समाजक सदस्य सहितक सब अमर प्रहरी स्मारकमे पुष्पगुच्छा अर्पण कऽ अमर प्रहरीप्रति श्रद्धाञ्जलि व्यक्त केने छलथि ।

कार्यक्रममे प्रहरी परिवार महिला सङ्घसँ अमर प्रहरी परिवारके राहत वितरण कएल गेल छल ।

यमन की राजधानी सना में भीषण संघर्ष


३० आसिन यमन । यमनके राजधानी सनामें राष्ट्रपति अली अब्दुल्लाह सालेह समर्थक आ हुनक शासनके बिरोध कऽ रहल विद्रोही बीच भीषण संघर्ष जारी अछि ।

शहरके आस-पास सँ विस्फोट आ गोलीबारीके आवाज़ सुनाई दऽ रहल अछि ।

यमनी राष्ट्रपतिके हटाबयके माँग कऽ रहल प्रदर्शनकारी शहरके बीचमें डेरा जमा कऽ बैसल अछि आ ओतय भेल संघर्षमें तीन गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

शहरके आस-पासके इलाक़ामें भेल संघर्षमें अन्य पाँच गोटेके मृत्यु सेहो भेल अछि ।

अवैध हतियार रखने आरोपमे कलवार गिरफ्तार



३० आसिन, पर्सा । कलवार कल्याण समितिक अध्यक्ष भोलाप्रसाद कलवारके पुलिस बितलराति वीरगन्जसँ गिरफ्तार केलक अछि ।

अवैध हतियार रखने आरोपमे सुरक्षाकर्मी कलवारके वीरगन्जके छपकैयासँ गिरफ्तार केलक अछि । बितल पाँच वर्ष आगु सत्या सिनेमा हलभितर पेस्तोल चलौलाबाद ओ सेहो घाइल भेल छल । पाँच वर्ष आगु भेल गोली काण्डमे नाम रहल कलवारके सुरक्षाकर्मी गिरफ्तार केलक अछि । पेटमे गोली लागि कऽ गम्भीर घाइल भऽ तीन महिनाधरि राजधानीके त्रिवि शिक्षण अस्पतालमे इलाज करा कऽ घुरितो सुरक्षाकर्मी ओकरा गिरफ्तार नहि केने छल ।

गिरफ्तार भेल कलवार विरुद्ध पुलिस हातहतियार तथा खरखजाना ऐनअन्तर्गत मुद्दा चलाबयके तयारी कऽ रहल  प्रहरी उपरीक्षक रमेश खरेल जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्रीक अध्यक्षतामा उच्च शिक्षा परिषद् बनाबयके तयारी


काठमाडौ, आश्विन ३० । सरकार प्रधानमन्त्रीक अध्यक्षतामे 'उच्च शिक्षा प्रवर्द्धन तथा समन्वय परिषद्' बनाबयके निर्णय भेल अछि । उच्च शिक्षा ऐन बना बऽ सब अधिकार परिषदमे रहय जका एहन व्यवस्था करय लागल अछि । ओइके लेल शिक्षा मन्त्रालय विधेयक तयार केने अछि ।

विधेयकअनुसार प्रस्तावित परिषद उच्च शिक्षा सञ्चालन तथा विकासक लेल सरकार आ विश्वविद्यालयसब बीच समन्वय करत । ओइ सम्बन्धमे बितल सोमदिन शिक्षामन्त्री सहितक एकटा समूह प्रधानमन्त्रीसँग बिमर्श केने छल ।

परिषद उच्च शिक्षाबारे राज्यके अवलम्बन करयके नीति, योजना तथा कार्यक्रमबारे सेहो सरकारके सुझाव देल जाएत । अखन विश्वविद्यालय अनुदान आयोग एहन सुझाव दैत आएल अछि । परिषद् गठनके बाद खारेज हाएत । बदलामे दोसर 'उच्च शिक्षा आयोग' बनाबयके तयारी भेल मन्त्रालयके एक सहसचिव बतौलनि ।

आइ ५६ अम प्रहरी दिवस मनाओल जाऽ रहल


३० आसिन जनकपुरधाम । आइ ५६ अम् प्रहरी दिवस, जनकपुर  सहित देशैभरि विभिन्न कार्यक्रम कऽ मनाओल जा रहल अछि ।

दिवसक अवसरमे जनकपुरक अँचल प्रहरी कार्यालयमे बिभिन्न कार्यक्रमसब कएल गेल अछि तऽ ओम्हर काठमाण्डौके प्रहरी प्रधान कार्यालय नक्सालमे रहल अमर प्रहरी स्मारकमे माल्यार्पण तथा पुष्पगुच्छा चढा कऽ श्रद्वान्जली व्यक्त कएल गेल अछि । अमर प्रहरी स्मारकमे श्रद्वाञ्जली अर्पण करय गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार सहितक नेपाल प्रहरीके उच्च अधिकारीसब नक्साल पहुँचल छलथि ।

दिवसक अवसरमे प्रहरी प्रधान कार्यालय सहित देशभरिके क्षेत्रीय प्रहरी कार्यालयमे शहिद प्रहरीके परिवारसबके सम्मान तथा विभिन्न क्षेत्रमे उत्कृष्ट स्थान हासिल करयके प्रहरी अधिकृतसँ जवानसबके सम्मान कएल गेल प्रहरी प्रधान कार्यालय जनौलक अछि । प्रहरी नियमावली १०१२ लागु भेलाबाद नियमावली लागुए भेल वर्षसँ आसिन ३० गतेसँ प्रहरी दिवस मनाबय लागल अछि ।

गरिबी निबारण दिबस


३० आसिन जनकपुरधाम । आई अक्टोबर १७ तारेख  अर्थात गरिबी निबारण दिबस नेपालमे सेहो बिभिन्न कार्यक्रम कऽ ई दिबस मनाओल जाऽ रहल अछि।

संयुक्त राष्ट्रसंघके अगुवाईमे सन १९९३ सँ प्रत्येक बर्ष ओकर सदस्य देशसभ ई दिबस मनबैत आएल अछि। राष्ट्रसंघ दैनिक १ डलर अमेरीकी डलरसँ कम आय भेल आदमीसभके गरीबिके सुचिमे रखैत आएल अछि। राष्ट्रसंघक सहश्राब्दी बिकास लक्ष्य अनुसार बिश्वके सम्पुर्ण देश आगामी सन २०१५ धरि अपन अपन देशसँ गरिबी अन्त करक प्रतिबद्धता जनओने अछि। नेपालमे एखनि करिब जनसंख्याके आधा हिस्सा निरपेक्ष गरीबिके रेखामे रहल अछि।

facebook Page Like

  • मनोरँजन