Tuesday, April 19, 2011

बरियाती चढल जीप दुर्घटना, २६ गोटे घाईल


दाङ, बैशाख ६ । दाङमे आइ बरियाती चढल जिप दुर्घटना भेलासँ  चालक सहित  २६ गोटे घाईल भेल अछि ।
 हलवार १ परसेनीसँ पश्चिम दिस जारहल रा १ प ३१९ नम्बरक जिप तुलसिपुर ९ दो घरेमे दुर्घटना भेलाबाद घाइल भेल मे सँ ६ गोटेके अबस्था चिन्ताजनक अछि । ओकरसबहक तुलसीपुरस्थित राप्तीलाईफ केएर हस्पिटल राप्ती अँचल अस्पताल आ पाल्पाली मेडिकलमे इलाज भ रहल ईलाका प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि ।
अहिबिच,  दाङमे आइ भेल  सवारी दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि त १ गोटे घाईल भेल अछि । लमहीसँ घोराही जा रहल लु २ त २१७५ नम्वरक ट्याक्टर आ वायह दिशस जारहल रा १ प ४११४ नम्वरक मोटरसाईकल चौपट्टामे ठोकरालाबाद घोराही-११ के खुमा रिजालके घट्नास्थलेमे मृत्यु भेल अछि त मोटरसाईकल चालक हिरालाल चौधरी गंभिर घाईल  भेल अछि ।

६ सय १ सभासदके श्राद्ध करयबला शर्मा गिरफ्तार


लुम्बिनी, बैशाख ६ । ६ सय १ गोटे सभासदके श्राद्ध करैत जारहल बर्दिया गुलरियाके राकेशकुमार शर्माके पुलिस आइ बुटवलसँ गिरफ्तार केलक अछि ।
बुटवलके मिडियाचोकमे ६ सय १ गोटे सभासदसबहक कार्टुनसहितक ११ महिने मासिक श्राद्ध करयके क्रममे पुलिस गिरफ्तार केलक अछि । पुरहितके राखि कऽ मासिक श्राद्ध केने शर्माके श्राद्ध समाप्त होइते इलाका प्रहरी कार्यालय बुटवलसँ गेल पुलिसक एक टोली गिरफ्तार केलक अछि । पुलिस मासिक श्राद्धके लेल शर्मा लौअने ६ सय १ गोटे सभासदसबहक कार्टुनसमेत बरामद केलक अछि ।

ईन्डियन प्रिमियर लिग


एजेन्सी, बैशाख ६ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वाईन्टी ट्वाईन्टि क्रिकेट प्रतियोगिता अन्तर्गत आइ भेल डेकेन चार्जर आ डेल्हि डेयर डेबिल्स बिचक खेलमे  डेकेन चार्जर १६ रनसँ  जितल अछि ।
दिल्लीके फिरोज साह कोटला मैदानमे भेल खेलमे डेकेन चार्जर्स टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत निर्धारीत २० ओभरमे ४ बिकेटके नोक्सानमे १६८ रन बना कऽ डेल्हि डेयर डेबिल्लस समक्ष जितकलेल १६९ रनक चुनौति प्रस्तुत केने छल ।
जबाबी ब्याटिङ्ग करय उतरल डेल्हि डेयर डेबिल्स सम्पुर्ण  ओभर खेलैत बिकेटक नोक्सानमे १५२ रन मात्रे बना सकल
 डेकेनचार्जरके तर्फसँ बल्लेबाजि करैत एस सोहाल ६२ , शेखर धवन ८,  कुमार संगकारा ४९ आ ब्हाईट नट आउट ३१ रनक योगदान देने छलथिडेल्हि डेयरडेभिल्सके दिससँ वारनर ५१, सहभाग १२  आ नागर २३ रन बनौने छल ।

४ सभासद केलक संसद अवरुद्ध


काठमाण्डौ, बैशाख ६ ।  संसदमे समावेशी विधेयक लाबयके तथा तोकल समयमे संविधान निर्माण करयके माँग करैत स्वतन्त्र सहित ४ गोटे सदस्य व्यवस्थापिका संसदके अजुका बैसार अवरुद्ध केलक अछि ।
व्यवस्थापिका संसदके आइ बैसल बैसारके सूरुमे सभामुखसंग समय लऽ संघीय लोकतान्त्रिक मँचके रुक्मणि चौधरी अपनासबहक माँग संवोधन करय एक हप्ताके समय दैतो दु हप्ता समेत सरकार अपन माँगके संवोधन करयके संकेत नहि देखौलासँ माँग पूरा नहि होबयधरि संसदक बैसार चलय नहि देब बतौलनि  । संघीय लोकतान्त्रिक मोर्चा २०६३ साल फागुन १८ गते विभिन्न संघ संस्थास बेर बेर कएलगेल सम्झौता कार्यन्वयन करय सरकार कोनो कदम नहि उठौने चौधरी आरोप लगौलनि । चौधरीके बजिते ४ गोटे सभासद ह्वेलमे पहुँच कऽ नारावाजी केने छल ।
सभामुख बेर बेर बैसय आग्रह करितो ओसभ  नारावाजी केलाबाद सभामुख संसदके बैसार ९ गते शुक्रदिन तीन बजेधरिके लेल स्थगित भेल अछि । बैसारमे उपप्रधान एवं कानून तथा न्याय मन्त्री कृष्णबहादुर महरा अपराध संहिता आ फौजदारी कार्यबिधि संहिता प्रस्तुत करयके कार्यसूची छल ।

कंसाकार सहित ६ गोटेके विशेष अदालतके सफाई


६ वैशाख, काठमाडौं । विशेष अदालत एयर बस खरिद प्रकरणमे नेपाल वायु सेवा निगमक निलम्वित कार्यकारी अध्यक्ष सुगतरत्न कंसाकार सहितक ६ गोटेके  सफाई देलक अछि । अहिकेसँगे कंसाकारसहित ६ गोटेके स्वत पुनर्वहाली हाएत ।
विषेश अदालतके अध्यक्ष गौरीबहादुर कार्की, सदस्यद्धय ओमप्रकाश मिश्र आ केदारप्रसाद चालिसेके इजलाससँ कंसाकार भ्रष्टाचार नहि केने ठहर करैत सफाई देलक अछि ।
कंसाकार वाइड वडी आ न्यारो वडीके दु विमान किनय लेल फ्रान्सेली कम्पन्नी एयर बसके ५ करोड ७३ लाख ७५ हजार रुपैयाँ ब 76;ना पठौने छलथि ।  भ्राष्टाचार भेल दावी सहित अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग कंसाकार सहितक ६ गोटे विरुद्ध विशेष अदालतमे मुद्धा दायर केने छलथि । मुदा अख्तियार मुद्धा दायर करिते एयर बस बैना रकम फिर्ता केलाबाद अख्तियारके मुद्धा कमजोर परल छल ।

तुरन्ते सरकारक विकल्प नहि अछिः सिंचाईमन्त्री महासेठ



जनकपुरधाम,  बैशाख ६ । सिंचाई मन्त्री रघुवीर महासेठ तुरन्ते अहि सरकारक विकल्प नहि रहल बतौलन्हि अछि । देशक अखन सभसँ प्रमुख एजेण्डा रहल शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणक काज समय भितरमे यैह सरकार पुरा करत ओ कहलन्हि । संविधान नहि बनय देबयके दिशामे विभिन्न षडयन्त्रकारीसभ लाग होइतो संविधान निर्माणक खाकासभ निर्णायक अवस्थामे पहुँच गेलासँषडयन्त्रसभ विफल ह हुनक कथ छलन्हि ।
सीमाञ्चल पत्रकारिता प्रवद्र्धन केन्द्रद्वारा जनकपुरमे आइ आयोजित पुरस्कार वितरण समारोहमे बजैत एमालेक केन्द्रीय सदस्य सेहो रहल मन्त्री महासेठ सरकारकेँ असफल कर लेल सभ पार्टी अपनेअपने तरिकासँ डम्फा पिट रहलाक कारण समस्यासभ बढैत गेल दावी कएलन्हि ।
ओ कोनो पार्टीकेँ कात लगा कऽआग बढल नहि जा सकैत अछि कहैत आन्तरिक रुपमे सभ पार्टीसभसँ बताचित भऽ रहल आ जल्दिए सरकार सेहो पूर्णता पाओत जानकारी देलन्हि । कदाचित समयमे संविधान नहि बनत तऽ देशमे गम्भीर संकट आओत हुनक कहव छलन्हि ।

Monday, April 18, 2011

संविधानसभाक म्याद कोनो हालतमे थपय नहि देबः मधेस क्रान्ति फोरम


काठमाण्डौ, बैशाख ५ । मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकसँ विद्रोह कऽ सभासद सन्जय साह गठन केने मधेस क्रान्ति फोरम नेपाल संविधानसभाके म्याद फेउर कोनो  हालतमे थपय नहि देब स्पष्ट केलनि अछि ।
ओ पार्टी आइ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँ भेट कऽ ज्ञापन पत्र बुझबैत इ स्पष्ट केलनि अछि । ज्ञापन पत्रमार्फत ओ पार्टी जवरजस्ती संविधासभाक म्याद थपलगेल त ओकर कडा प्रतिरोध करबाक चेतावनी सेहो देलक अछि । ज्ञापनपत्रमार्फत ओ पार्टी समग्र मधेस एक प्रदेश होबयके, कार्यकारी प्रमुखके निर्वाचन जनताद्धारा प्रत्यक्ष रुपमे कराबयके, जनसंख्याके आधारमे निर्वाचन क्षेत्र कायम करयके, नेपाली सेनामे मधेसीके समूहगत प्रवेश कराबयके,  भ्रष्टाचारी आ हत्याराके मृत्यू दण्डक ब्यवस्था करयके,  पूर्ण समानुपातिक निर्वाचन प्रणाली कायम करयके, प्रमुख जिल्ला अधिकारके चयन यूवासबहक प्रत्यक्ष प्रतिष्पर्घा मार्फत कराबयके सर्त रखैत सहज ढँगस नागरिकता देबय परत स्पष्ट केने अछि । ओ अपन माँगके बेवास्ता कएलगेल त कडा आन्दोनल करबाक चेतावनी सेहो देने अछि ।

युद्धमे घुरबाक मनसाय नहि अछिः भट्टराई


काठमाडौं, वैशाख ५ । माओवादी उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई शान्ति प्रक्रिया छोडिकऽ युद्धमे घुरबाक मनसाय नहि रहल बतौलनि अछि ।
'शान्ति प्रक्रियामे आबिगेलाक बाद अहिके पूर्णता देबय परत,' पत्रकार जगत नेपालद्वारा लिखित स्व. गिरिजाप्रसाद कोइरालाके 'आफ्नै कुरा' नामक पुस्तकबारे आइ राजधानीमे टिप्पणी करैत भट्टराई कहलनि जे, 'आब इ प्रक्रियाके छाडिकऽ फेउर युद्धदिस जाएके हमरसबहक  कोनो मनसाय नहि अछि ।'
सैद्धान्तिकरुपमे जनविद्रोहके नीतिमे रहितो व्यवहारिकरुपमे ओ सम्भव नहि रहल भट्टराईक कहब छलनि । ओ जनविद्रोहके पार्टी नीतिप्रति आशंका नहि करय आग्रह करैत कहलनि जे, ' हमर  व्यक्तिगत विचारमात्रे नहि अछि , पार्टीके आधिकारिक धारणा अछि ।'
संविधान निर्माण आ शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाबय राष्ट्रिय सरकारक आवश्यकता रहल बतबैत ओ सहमतीय सरकार हाएत त संविधानसभाके म्याद थप काएल जा सकैय बतौलनि । एमाले प्रचार विभाग प्रमुख प्रदीप ज्ञवाली जेठ १४ आगुए संविधानक प्रारम्भिक मस्यौदा लाबय परत बतौलनि ।
तहिना,  कांग्रेस केन्द्रीय सदस्य शेखर कोइराला कोनो शक्तिके अलग कऽ शान्ति प्रक्रिया पूरा होबय नहि सकत बतौलनि ।

पत्रकार महासंघक चुनाव रोकय सर्वोच्चमे रिट


५ वैशाख, काठमाडौं । नेपाल पत्रकार महासंघक चुनाव रोकयके माँग करैत सर्वोच्चमा रिट दायर कएलगेल अछि ।
महासंघ काठमाडौँ शाखामे चुनाव भेलासँ गैरकानुनी तरिकासँ भेल जनबैत ओ विवाद नहि समाधान होबयधरि महासंघक चुनाव रोकयके माँग करैत पत्रकार राकेश आ पूर्ण कार्की रिट दायर कएने छथि । रिटमे नेपाल सरकार गृहमन्त्रालय, जिल्ला प्रशासन कार्यालय काठमाडौं, पत्रकार महासंघ काठमाडौँ शाखा, पत्रकार महासंघ केन्द्रीय कार्यालयके विपक्षी बनाओलगेल अछि ।
रिटमे पत्रकार महासंघ काठमाडौं शाखाके चुनाव भेल समय नेपालेमे नहि रहल पत्रकारसबहक मनोनयन पत्रमे प्रस्तावक आ सर्मथक बनाकऽ मनोनयनपत्र दाखिल कएलगेल आ वायह अनुरुप चुनाव भेल, एकएक गोटे प्रस्तावक सर्मथक होबय चाहीमे नियम विपरित तीनतीन गोटे प्रस्तावक सर्मथक राखलगेल कहैत ओ चुनाव पत्रकार महासङ्घक विधान विपरित भेल आरोप लगाओलगेल अछि । रिटमे काठमाडौं शाखाके चुनाव विषयमे ध्यानाकर्षण कराबय गेला पर महासंघ बेवास्ता केने आ गैरकानुनी तरिकासँ सम्पन्न भेल काठमाडौं शाखाके चुनावसँ सेहो मान्यता पौअलासँ काठमाडौँ शाखाके चुनाव बदर करय आ पत्रकार महासंघक चुनाव समेत रोकयके माँग कएलगेल अछि ।

सूद आरो ६ महिना नेपालमे रहताह


५ वैशाख, काठमाडौं ।ाह महिना अर्थात अप्रिल २०११ म म्याद समाप्त होइतो नेपालक लेल भारतीय राजदूत राकेश सूद कम स कम ६  महिना आरो नेपाल रहताह जनाओलगेल अछि
नेपालक लेल नयाँ राजदूतम नियुक्ति करब कहलगेल जयन्त प्रकाश जल्दिए अवकास पाबय लगलासँ नयाँ राजदूत नियुक्ति नहि होबयधरि सूद रहबाक लगभग पक्का रहल भारतीय दूतावास निकट स्रोत जनौलक अछि
राजदूत नियुक्ति प्रक्रियामे करिव २ महिना लगलासँ सेहो करिव महिनाक लेल जयन्त प्रकाशके नियुक्त करयके सम्भावना नहि रहल स्रोतक दावी अछि । जयन्त प्रकाश उमेर हदक कारण आबके करिव ८ महिनाम अबकास पाबिरहल छथि
भारतक संस्थापन पक्ष माओवादीके साइजम लाबय नेपालम भारतीय हित प्रवर्द्धन करय सूद बहुत पैघ भूमिका खेल्ने निष्कर्ष निकाल्ने स्रोतक दावी ि
एम्हर सुदके कारण  नेपालम भारतविरोधी भावना बढय सकयके सेहो भारतके चिन्ता लागल अछि ।

नवनिर्मित परिक्षा भवनक उदघाटन

जलेश्वर, वैशाख ५ गते । लोकसेवा आयोग जनकपुर अंचल कार्यालय जलेश्वरके प्राङ्गण भितर निर्माण कएलगेल नवनिर्मित परिक्षा भवनके उदघाटन आइ एक समारोहके बीच आयोगक कार्यवाहक अध्यक्ष डा यो देवी यमी कएलिह अछि ।
कार्यालयके प्राङ्गण भितर एक कोठली परिक्षाभवन निर्माण कएलगेल अछि । १० लाख ४७ हजार ६३ रुपैयाके लागतमे ओ भवनक निर्माण भेल आयोगक जनकपुर अंचल कार्यालयके निमित्त प्रमुख दिनेशचन्द्र साह जानकारी देलनि ।
उदघाटन कार्यक्रममे प्रमुख अतिथीक आसनसँ बजैत कार्यवाहक अध्यक्ष यमी नेतासभ प्रति व्यंग्य करैत नेता बनय सेहो लोकसेवा परिक्षा लित तऽ निक होइत धारणा रखलिह । ओ अप्रत्यक्ष रुपमे देशके स्थिती नेतासभ विगारने बतबैत कहली जे आब नेता बनय लोकसेवा पास करय परत ।


वायह कार्यक्रममे आयोगक सदस्य राजेन्द्र प्रसाद शाह कर्मचारीसभहक प्रवृति निके ठाममे जाएके, निके मन्त्रालय चुनयके रहलासँ लोकसेवा आयोगमे जेनाइ कर्मचारीसबहक लेल सजाय जेहन भेल धारणा रखलनि । ओ अइ कार्यालयमे काम करय बाहेक कहि कतौकसँ तरका कमाइ नहि भेलासँ कर्मचारीसभ अइ कार्यालयमे आबय सजाय जेहन मानिरहल दावी कएलनि ।
जनकपुर अंचल कार्यालय जलेश्वरक निमित्त प्रमुख दिनेश प्रसाद साहक अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे लोकसेवा आयोगक प्रशासन शाखा प्रमुख उपसचिव टिकाराम ज्ञवाली, प्रमुख जिल्ला अधिकारी तेजप्रसाद पौडेल सहितक वक्तासभ अपन अपन मन्तव्य रखने छलथि ।

१० लाख फिरौती माँग, तीन गोटे अपहरणकारी गिरफ्तार

जलेश्वर, वैशाख ५ गते । महोत्तरीके बलवासँ अपहरणमे परल एक व्यवसायीके परिवारजनसँ अपहरणकारीसभ १० लाख फिरौतीके माँग केलक अछि ।
४ दिनस अपहरणमे परल महोत्तरी बलबा -५ के रामगुलाव साहके सुरक्षानिकाय अपहरण मुक्तिके लेल प्रयास कऽरहल समयमे अपहरणकारी अपहरणमुक्तिके लेल अपहरितके घरमे फोन सम्पर्क कऽ १० लाख फिरौतीके माँग केलक अछि ।
वैशाख २ गते राति घरेस अपहरणमे परल साहके परिवारजन संग अपहरणकारी अपनाके जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा ज्वाला समुहक महोत्तरी धनुषा ईन्चार्ज वतबैत ९८ ४४१ २७ २६४ नम्वरक मोवाईलसँ फोन करैत फिरौतीके माँग केने परिवारजन बतौलनि अछि । अपहरित साहके भाई उपेन्द्र साहके फोन करैत अपहरणकारी १० लाख रुपैयाक माँग केने अछि । एम्हर अपहरणकारी फिरौती नहि भेटल त भैयाके जानसँ मारयके धम्की समेत देने अपहिरतके भाइ जानकारी देलनि अछि ।
अपहरित साहक बेटीके जनकपुरमे वियाहक बात चलिरहल अवस्थामे अपहरण केने आ तत्कालके लेल वियाहक बात समेत रुकल भाई उपेन्द्र बतौलनि अछि ।
अहिबीच, पुलिस अपहरणमे संलग्न रहल आशँकामे ३ गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।
गिरफ्तार होबयबलामे बलवा -५ के रामबहादुर यादव, रामएकवाल यादव आ वलवा ४ के रामश्रेष्ठ यादव रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौलक अछि ।
अपहरित साह बलवा बजारमे धान चाउर आ माछक ब्यवसाय करैत आएल छलथि । साह सर्वसाधारण जन्ता सं कडा ब्याज लऽ ऋण दऽ गरिव असहाय जनताके ठकने आरोप लगबैत जनतान्त्रिक तराई मुक्ती मोर्चा ज्वाला समूह शुक्रके राति हुनकर अपहरण केने जिम्मा लेने छल ।
मोर्चाके हनुमान विद्रोहीके नेतृत्वमे गेल एक समुह साहके अपने घरमे सुतल अबस्थामे घरसँ वाहर बजाकऽ अपहरण कऽ लगेल छल । हुनकर अवस्था अखनो अज्ञात रहल अछि । मोर्चाक महोत्तरी धनुषा ईन्चार्ज जीवन त्यागी साचारकर्मीके टेलिफोन कऽ घटनाके जिम्मा समेत लेने छल ।

Sunday, April 17, 2011

देल्हि डेयर डेबिल्स ३ बिकेटसँ जित हासिल कएलक


एजेन्सी,  बैशाख ४ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वाईन्टी ट्वाईन्टी क्रिकेट अन्तर्गतके आजुक पहिल खेलमे पुने वारियर्स देल्हि डेयर डेबिल्स ३ बिकेटसँ जित हासिल कएलक अछि ।
 मुम्बईके मैदानमे भेल आजुक खेलमे डेल्हि डेयर डेबिल्स टस जित कऽ पहिने क्षेत्र रक्षण करक निर्णय कएलाकबाद पहिने बैटीङ करए उतरल पुने वारियर्स ५ बिकेटक क्षतिमे १ सय ८७ रन बनौने छल ।
 वारियर्स तर्फसँ युवराज नट आउट ६६ रन बनौलनि त राइडर ६० आ ग्रिम स्मिथ १२ रन बनौने छलथि ।
एम्हर १८८ रनक बिजयी लक्ष्य ल मैदानमे उतरल देल्हि डेयर डेबिल्स बिकेटक नोक्सानमे लक्ष्य पुरा केने छल ।
देल्हि डेयर डेबिल्सके दिससँ सहभाग ३७ आ पठान १४ रन बनौने छल ।
तहिना आजुक दोसर राजस्थान रोयल्स आ कोलकता नाईट राईडर्स बिच भऽरहल खेलमे राजस्थान रोयल्स  कोलकता समक्ष   ८२  रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
कोलकताके मैदानमे भऽरहल खेलमे कोलकता नाईट राईडर्स टस जित कऽ पहिने क्षेत्र रक्षण करक निर्णय कएलाकबाद पहिने बैटीङ करए उतरल राजस्थान रोयल्स १५ ओभर २ बलमे सम्पुर्ण बिकेटक क्षतिमे ८१  रन बनौने अछि ।
राजस्थानक दिससँ वाटसन ११ आ फजल ३ रन बनौलनि अछि ।

बेरुजु फर्र्छौटमे सर्वोच्चके सहयोग करियौः लेखा


४ वैशाख, काठमाडौं । व्यवस्थापिका-संसद्के सार्वजनिक लेखा समिति बेरुजु फर्र्छौटके सम्बन्धमे देखलगेल समस्या समाधानक लेल सर्वोच्च अदालतके सहयोग करय सरकारसँ आग्रह केलक अछि ।
समितिके आइ बैसल बैसारसँ बेरुजु फर्स्यौटके लेल सर्वोच्च अदालतके आवश्यक परयबला स्रोतसाधन आ जनशक्ति उपलब्ध कराबय समेत सरकारके निर्देशन देने सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि । ओ सरकार पाँच वर्षभितर देने आममाफीके सम्पूर्ण विवरण उपलब्ध कराबय गृह मन्त्रालयके १० दिनक समय समेत देने बतौलनि । समितिक बैसारमे सदस्यसब आममाफीके बारेमे उत्सुकता देखौने आ ओइस जघन्य अपराधी समेत उन्मुक्ति पौअने उपराग अएलाबाद विवरण उपलब्ध कराबय १० दिना अल्टिमेटम देलगेल अछि ।

पत्रकार महासंघक निर्वाचन कार्यक्रम सार्वजनिक


४ वैशाख, काठमाडौं । नेपाल पत्रकार महासंघक २३ हम् राष्ट्रिय महाधिवेशनमे नयाँ नेतृत्व चयनक लेल निर्वाचन कार्यक्रम सार्वजनिक कएलगेल अछि ।
महासंघक केन्द्रीय निर्वाचन समिति आइ पत्रकार सम्मेलन कऽ वैशाख १२ गते मतदाता नामावलीके पहिल सूची प्रकाशन करयके कार्यक्रम रहल जनौलक अछि ।
शान्ति, सहमति आ संविधान नेपाल पत्रकार महासङ्घक अभियान नाराक साथ वैशाख २० आ २१ गते नेपाल राजकीय प्रज्ञाप्रतिष्ठानमे २३ हम् महाविधेशन भरहल अछि ।
अध्यक्ष सहितक पदाधिकारी एवम् केन्द्रीय सदस्यसभहक उम्मेदवारी मनोनय दर्ता वैशाख १७ गते हाएत त मतदान वैशाख २१ गते होयबाक कार्यक्रम रहल अछि । जिल्ला, प्रतिष्ठान आ एसोसियट्स शाखाके कऽ देशभरिके करिब एक हजार २५० पार्षद् ओ महाधिवेशनमे भाग लेत बताओलगेल अछि ।

श्यामसुन्दर गुप्ताके सभासद पद खारेज


४ वैशाख, काठमाडौं । संविधानसभा सदस्य श्यामसुन्दर गुप्ताके पद खारेज भेल अछि ।
संविधानसभाके आइ बैसल बैसारमे अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङ सर्वोच्च अदालतके आदेश अनुसार गुप्ताके सभासद पद खारेज भेल जानकारी करौलनि ।
गुप्ता मन्त्रिपरिषद मनोनित केने २६ गोटेके कोटामे सभासद् बनल छलथि । सर्वोच्चके न्यायाधीश बलराम केसी आ भरतराज उपेत्रीके संयुक्त इजलास बितल माघ २८ गते गुप्ताके मनोनयन सहमतिके आधारमे नहि रहल  ठहर करैत पद खारेज करयके फैसला सुनौने छल ।

कांग्रेसके बाहर राखिकऽ संविधान नहि बनतः मन्त्री रायमाझी


४ वैशाख, अर्घाखाँची । भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्री टोपबहादुर रायमाझी नेपाली कांग्रेसके सरकार बाहर राखिकऽ संबिधान निर्माण होबय नहि सकत बतौलनि अछि ।
चाक्ला सिद्दारा भालुवाङ्ग गाडी रास्ताके आइ सिद्दारामे उद्घाटन करैत माओवादी नेता समेत रहल रायमाझी शान्ति र संविधानक लेल कांग्रेस सहितक सरकार अनिवार्य रहल बतौलनि । शान्ति आ संविधान निर्माणक लेल दलसभ राजतन्त्र हटाबय एक भेल जेना फेउर एक होबय परत ओ कहलनि-अहि बिना शान्ति आ संबिधान पूर्णता पाबय नहि सकत ।
 ओ कांग्रेसके सरकारमे लाबय बिश्वासके वातावरण बनाबय परत तर्क देलनि । सरकारक आयु बढाबय सव दलसभबीचक सहमति आवश्यक छैकओ कहलनि-ओइके लेल बिश्वासक वातावरण बनाबु,  आ इ भेल त समयेमे संविधान बनत ।मन्त्री रायमाझी नेपालके इतिहासमे रातारात परिर्बतनके लेल सहमति भरहल कहैत राजनितिक सहमति हाएत त संविधान सेहो निर्धारिते समयमै बनत दावी कएलनि ।
मन्त्री नियुक्त भेलाबाद आइ पहिल बेर गृहजिल्ला पहुँचल मन्त्री रायमाझीके सदरमुकाम सन्धिखर्कमे पञ्चे बाजा सहित स्वागत कएलगेल छल ।

बेगनास तालमे नाव दुर्घटना, तीन गोटे बेपत्ता

कास्की, वैशाख ४ । पोखराके बेगनास तालमे ६ गोटे चढल नाव दुर्घटना भेलासँ तीन गोटे बेपत्ता भेल अछि ।
६ गोटे नावमे चढल समय आइ साँझ बर्षातके सँगे ठनका खसलाबाद इ घटना भेल पुलिस जनौलक अछि ।
नावमे सवार ६ गोटेमेसँ २ गोटेके स्थानियबासी उद्धार केने आ एक गोटे हेल कऽ बाहर निकलय सफल भेल अछि । तीन गोटेके खोजीके लेल पुलिसक टोली घटनास्थल जाकऽ खोजतलाशमे जुटल जिल्ला प्रहरी प्रमुख एसपी यादवराज खनाल बतौलनि अछि ।

आगिलगिमे डेढ दर्जन घर नष्ट



राजविराज, वैशाख ४ । सप्तरीके अलगे अलग गाविसमे आई भेल आगिलगिमे १६ परिवारक डेढ दर्जन घर जरिकऽ नष्ट भेल अछि । आगिलगिमे २० लाखसँ बेसीके धनमाल जरिकऽ नष्ट भेल अछि ।

कोइलाडी बर्साइन गाविस–१ निवासी उपेन्द्र रामके घरसँ सुनगल आगि पसैर कऽ कैलु राम, सतन राम, फनीलाल राम सहितक घर जरिकऽ नष्ट भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय हनुमाननगर जनौलक अछि ।

आगिलगिसँ घरभितर रहल सम्पूर्ण सरसामान जरलासँ पाँच लाख बराबरको क्षति भेल पीडितसभ बतौलक अछि । आगिके स्थानीय बासी , पुलिस आ राजविराज नगरपालिकाके बारुण यन्त्र नियन्त्रणमे लेने छल ।

अहिना, आईए दौलतपुर गाविसमे भेल अगिलगिमे ११ परिवारके १३ टा घर जरिकऽ करिब पन्ध्र लाख बराबरके धनमाल क्षति भेल अछि ।

दौलतपुर गाविस–९ निवासी बृहस्पति सदाके घरसँ सुनगल आगि विलछन सदा, चन्दा सदा, गोढाई सदा, धर्मेन्द्र सदा, बरुण सदा, बेचु सदा, पाँचु सदा सहितक १३ टा घर जरिकऽ नष्ट भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय कल्याणपुर जनौलक अछि । आगिके सिरहाके लहान नगरपालिकासँ गेल बारुण यन्त्र, पुलिस आ स्थानीय बासीक सहयगोमे नियन्त्रणमे लेलगेल छल ।

आगिलगिस घरभितर रहल सम्पुर्ण लत्ताकपडा, खाद्यान्न, गर गहना तथा नगद समेत जरिकऽ नष्ट भेल अग्नी पीडितसभ बतौलनि अछि ।

ईन्डियन प्रिमियर लिग


मुम्बई, बैशाख ४ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वाईन्टी ट्वाईन्टी क्रिकेट अन्तर्गतके आजुक पहिल खेलमे पुने वारियर्स देल्हि डेयर डेबिल्स ३ बिकेटसँ जित हासिल कएलक अछि । 
 मुम्बईके मैदानमे भेल आजुक खेलमे डेल्हि डेयर डेबिल्स टस जित कऽ पहिने क्षेत्र रक्षण करक निर्णय कएलाकबाद पहिने बैटीङ करए उतरल पुने वारियर्स ५ बिकेटक क्षतिमे १ सय ८७ रन बनौने छल ।
  वारियर्स तर्फसँ युवराज नट आउट ६६ रन बनौलनि त राइडर ६० आ ग्रिम स्मिथ १२ रन बनौने छलथि ।
 एम्हर १८८ रनक बिजयी लक्ष्य ल मैदानमे उतरल देल्हि डेयर डेबिल्स बिकेटक नोक्सानमे लक्ष्य पुरा केने छल ।
 देल्हि डेयर डेबिल्सके दिससँ सहभाग ३७ आ पठान १४ रन बनौने छल ।
 तहिना आजुक दोसर मैच राजस्थान रोयल्स आ कोलकता नाईट राईडर्स बिच नेपालि समय अनुसार रातिक सबा ८ बजेस  सुरु हाएत 

Saturday, April 16, 2011

शान्तिप्रक्रिया सम्बन्धी धारणा तय करयके जिम्मा समितिके


३ बैशाख, काठमाडौं । नेपाली कांग्रेस शान्तिप्रक्रिया सम्बन्धी पार्टीके धारणा तय करयके जिम्मा सुझाव समितिके देलक अछि ।
पार्टी कार्यालय सानेपामे आइ बैसल केन्द्रीय समितिके बैसारसँ केन्द्रीय सदस्यसबहक सुझावके समेट कऽ शान्तिप्रक्रिया सम्बन्धी पार्टीके धारणा तय करयके जिम्मा देलक अछि । शान्तिप्रक्रियासँग सम्बन्धित काम सम्पन्न करय तालिका बनाबयके सुझाव केन्द्रीय सदस्यसब देलनि अछि । बैसारमे बाजयबला केन्द्रीय सदस्यसब कार्ययोजना परिमार्जन कऽक माओवादीसँग विगतमे भेल सहमति कार्यान्वयनमे विश्वासी आधार खोजय समेत नेतृत्वके सुझाव देलनि अछि ।
वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवाके संयोजकत्वमे रहल सुझाव समिति शुक्रदिनक बैसारमे अपन प्रतिवेदन पेश केने छल । प्रतिवेदनमे लडाकू समायोजनबारे नेपाली सेना आगु घुसकौने प्रस्तावके अस्वीकार करय जका ओहुसँ कठोर प्रस्ताव आगु घुसकौलक अछि । समुहगत समायोजन अस्वीकार केने सेनाके जङ्गी अड्डा माओवादी लडाकूके सेनाके युनिटमे समायोजन करय स्थापित मापदण्ड सहज बनाबय सकयके प्रस्ताव सरकार समक्ष रखने छल । मुदा समितिके प्रतिवेदनमे माओवादी लडाकूके सेनामे प्रवेश कराबयके कहि स्थापित मापदण्ड सहज बनाबय नहि सकयके अडान आगु घुसकौलक अछि ।
प्रतिवेदनमे द्वन्द्वकालमे मृत्यु भेलसबके सहिद घोषणा, कब्जा सम्पत्ति फिर्ता, विस्थापितसबके पुनःस्थापना विषयके विशेष प्राथमिकताके सँग उठाओलगेल अछि ।

सलहेशके लोक नायक घोषणा करय हस्ताक्षर अभियान


जनकपुर, बैशाख ३ । भोर नामक संस्था सलहेशके लोक नायक घोषणा करयके माँग करैत हस्ताक्षर अभियान संचालन केलक अछि ।
भोरके कार्यकारी अध्यक्ष राजकुमार महतोके अनुसार मिथिलाके संस्कृति तथा सम्पदासभके संरक्षण सम्बर्धन तथा अभिलेख अन्तरगत सलहेसके लोक नायक घोषणा कराबय आ सलहेस क्षेत्र विकास समिति गठन कराबयके लेल नेपाल सरकारके ध्यानाकर्षण करबैत अहिसात्मक तथा सभ्य तरिकासँ सकारात्मक दबाब देबय जका  हस्ताक्षर अभियान संचालन कएल गेल जानकारी देलनि ।
वैशाख १ आ २ गतेके दिन संचालित हस्ताक्षर अभियानमे ४५ मिटर कपडामे करिब १२
हजार गोटे हस्ताक्षर कएलगेल अछि । हस्ताक्षरित सामाग्रि आ अहि अभियानके बारेमे धनुषा आ सिरहा जिल्लाके प्रमुख जिल्ला अधिकारीके जानकारी देबाक कार्यक्रम रहल महतो जानकारी देलनि ।

राजसंस्था नहि राखयके निर्णयमे पुर्नविचार करुः कमल थापा


काठमाडौं, वैशाख ३ । राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी नेपालक अध्यक्ष कमल थापा राजसंस्था हटाबयके निर्णयमे पुर्नविचार करय आग्रह केलनि अछि । ओ राजसंस्था अन्त्य भेल पाँच वर्षमे देशके प्रजातन्त्र खतरामे परल टिप्पणी केलनि ।
 'राजसंस्था अन्त्य भेल पाँच वर्ष बितलाबादो  नहिए राष्ट्रियता मजबुत भेल अछि आ नहिए प्रजातन्त्र  सुदृढ भेल अछि,' आइ राजधानीमे आयोजित एक कार्यक्रममे थापा कहलनि जे, 'आब राजाबारे पुर्नविचार करयके समय आएल अछि ।'
 राप्रपा नेपाल संवैधानिक राजसंस्थाके पक्षमे वकालत करयके संविधानसभाके एकमात्र दल अछि । थापा राजसंस्थाके बारेमे कृष्णप्रसाद भट्टराई आ वीपी कोइरालाके विचार अखनो समय सान्दर्भिक रहल बतौलनि ।

जनकपुरमे रामनवमीक एक दृश्य


गृह माओवादीके देलक त प्रधानमन्त्री आ अध्यक्षेसँ हटाएबः ओली


३ बैशाख, काठमाडौं । नेकपा एमाले नेता केपी शर्मा ओली गृहमन्त्रालय माओवादीके देलक त प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालके पार्टी अध्यक्ष आ प्रधानमन्त्री दुनु पदसँ हटाबयके चेतावनी देलनि अछि ।
गृह माओवादीके देनाइ पार्टी निर्णय विपरित हाएत कहैत ओली कहलनि जे-गृहमन्त्रालय माओवादीके देलगेल त हुनके महंगा परत ।आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे नेता ओली प्रधानमन्त्रीमे उदण्डता, स्वेच्छाचारिता आ सत्तामोह देखलगेल कहैत इ प्रवृत्ति स्वयम प्रधानमन्त्रीके लेल निक नहि हाएत दावी कएलनि
ओ प्रधानमन्त्री खनालके पार्टी निर्णय विपरित गेलास कि हाएत से परिणाम निक जका बुझल रहलासँ ओ पार्टी बिपरित नहि जेताह विश्वास ब्यक्त कएलनि । माओवादीके गृहमन्त्रालय नहि देबयके निर्णय देश आ जनताके पक्षमे रहल कहैत ओइमे कोनो हालतमे निचा उपर करय नहि चाही ओलीक कहब छलनि ।

चेन्नई सुपर किंगस २१ रनसँ जितल


चेन्नई, बैशाख ३ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वटाईन्टी ट्वाईन्टी क्रिकेट अन्तर्गत आइ भेल चेन्नई सुपर किंगस आ रोयल चैलौन्जर्स बैंगलौर बिचक खेलमे चेन्नई सुपर किंगस २१ रनसँ जित हासिल कएलक अछि ।
चेन्नईके मैदानमे भेल खलमे चेन्नई सुपर किंग्स टस जित कऽ पहिने बैटीङ करैत निर्धारित २०  ओभरक खेलमे ५ बिकेटक क्षतिमे १८३ रन बनौने छल ।
चेन्नईके तर्फसँ मुरलि बिजय ३१ , सुरेश रैना २९ ,  धोनी २२ आ माइक हसी नटआउट ८३ रन बना कऽ आउट भेल छथि
प्रतिउतरमे बिजयी लक्ष्य ल मैदानमे उतरल  रोयल चैलौन्जर्स बैंगलौर टिम सम्पुर्ण ओभर खेलैत ७ बिकेटक क्षतिमे १६२ रन मात्र बना सकल ।
बैंगलौर टिमक भिलर्स ६५, बिराट कोहली ३५ आ पठान १४ रन बनाकऽ आउट भेल छलथि ।

सोन प्रतितोला ४१ हजार १ सय


काठमाडौ, वैशाख ३ । वियाहक समय सुरु होइते  फेउर सोनक मोलमे बृद्धि भेल अछि । बुधदिनधरि ४० हजार ६ सय ५० मे बिक्री भेल सोनक मोल बढिकऽ प्रति  तोलाके ४१ हजार १ सय रुपैयाँमे पहुँचल अछि ।
अहिसँ ग्राहकके सहित व्यवसायीके सेहो नकारात्मक प्रभाव परल नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी संघक अध्यक्ष तेजरत्न शाक्य बतौलनि अछि ।
इ मोल अखनधरिके उच्च रहल अछि । एक दिनमे सोनके मोल अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे १७ अमेरिकी डलर वृद्धि भेल अछि । तहिना, चाँदीके मोलमे सेहो डेढ डलर बढल अछि । चाँदी मोल प्रतितोला १ हजार १ सय ७४ रुपैयाँम भेल संघ जनौलक अछि ।

अजिब छै यौ !

जेठ चौध... सँबिधानक म्याद थपयके दिवस !


लश्करके ख़िलाफ़ कार्रवाई करेय पाक:अमरीका



अमरीका , बैशाख ३ । अमरीका पाकिस्तानसँ चरमपंथी संगठन लश्कर-ए-तैयबा के ख़िलाफ़ उठौने कदममे तेजी करय आग्रह केलक अछि । लश्करके 2008 में मुंबई हमलाके लेल सेहो ज़िम्मेदार मानल जाइत अछि ।

पाकिस्तानके क़बायली इलाक़ामे चरमपंथिके शरण भेट रहल कहैत एक वरिष्ठ अमरीकी अधिकारी कहलनि जे ओबामा प्रशासन पाकिस्तान पर लगातार दबाव बना रहल अछि जे कि ओ लश्कर-ए-तैयबा के ख़िलाफ़ कार्रवाई करेय ।

अमरीकी विदेश मंत्रालय के अंतर्गत आबयबला आतंकवाद निरोधक कार्यालयके संयोजक डैनियल बेन्जामिन अमरीकी संसदीय समिति के सामने देने अपन बयानमें इ बात बतौने छथि

डैनियल बेन्जामिनके कहब छन्हि जे, ''हालांकि आतंकवाद पर क़ाबू पाबयके मामलामें पाकिस्तान काफ़ी हदधरि कामयाबी पौअने अछि ।

मोटरसाइकल दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु


३ बैशाख, काठमाडौं । त्रिभुवन राजपथ अन्तर्गत बाराक अमलेखगञ्जमे आइ बेरियामे  ेल मोटरसाइकल दुर्घटनाम एक गोटेके मृत्यु भेल अछि
पथलैयासँ हेटौंडादिस जा रहल बा ४० प ९८५३ नम्बरक मोटरसाइकल अमलेखगञ्जम दुर्घटना भेलासँ चालकक घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि । मृतकक ê6;हिचान होबय नहि सकल अछि
दुर्घटनम परि मोटरसाइकलम सवार केदार रेग्मी गम्भीर घाइल भेल अछिहुनकर इलाज हेटौंडा अस्पतालमऽरहलुलिस जनौलक अछि

facebook Page Like

  • मनोरँजन