Thursday, December 09, 2010

मधेसी जनअधिकार फोरम नेपाल आइ भोरेसँ आह्वान कएने अनिश्चतकालीन बन्दक कारण नवलपरासीक जनजीवन प्रभावित भेल अछि।
गत अगहन ६ गते जिल्ला प्रहरी कार्यालय परिसरमे प्रहरी उपरीक्षक कृष्णप्रसाद गौतम अपन कार्यकर्तासभके दुर्व्यवहार कएने बिरोधमे फोरम नेपाल बन्दक आह्वान कएने अछि।
बन्दक कारण यातायात, शैक्षिक संस्था, उद्योग ब्यापार, कलकारखाना ठप्प अछि।
बन्दक समयमे प्रेस, एम्बुलेन्स, शव बाहन, बिबाह, ब्रतबन्ध आ उँखु ढुवानी करक सवारी साधनके छुट देलगेल फोरम नेपालक जिल्ला अध्यक्ष कैलास महतो जानकारी देलन्हि अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।
दाङमे क्रियाशिल राजनीतिक दल आ पत्रकारसभ बालमैत्री बातावरण निर्माणकलेल सामुहिक प्रतिवद्धता जनओलक अछि। जिल्ला बाल कल्याण समिति दाङ घोराहीमे आयोजना कएने बालसंरक्षण सवाल बिषयक कार्यक्रममे सहभागी राजनीतिक दल आ पत्रकारसभ बालमैत्री बातावरण निर्माणकलेल अपन अपन पहल करक लिखित प्रतिबद्धता जनओने अछि।
कार्यक्रममे राजनीतिक दलक नेतासभ बालबालिकाक संरक्षणकलेल बालबालिकाके राजनीतिक गतिविधिमे संलग्न नइ कराबक, बालअपराधमे संलग्नके कानुनअनुसार कार्वाही करक प्रशासनके सहयोग करक प्रतिबद्धता जनओलज अछि।
एहिके सँग बाल संरक्षणक क्षेत्रमे बिनियोजित बजेटके आपसी समन्वय कऽ एकद्वार प्रणालीसँ परिचालन करक आ बालमैत्री परिवारके प्रोत्साहित करक सेहो ओसभ लिखित प्रतिवद्धता जनओलक अछि। लिखित प्रतिवद्धता जनाबयबला राजनीतिक दलसभमे एकीकृत नेकपा माओवादीक उमानन्द खनाल, नेपाली काङ्ग्रेसक बिपुल पोख्रेल, नेकपा एमालेक मनोहर बुढाथोकी, मधेशी जनअधिकार फोरमक रामशरण यादव, राष्ट्रिय जनमोर्चा दाङक अध्यक्ष ओमबहादुर केसी, नेकपा मालेक नेत्रप्रकाश पाण्डेय, राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीक नरेशजङ्ग राणा, नेकपा एकीकृतकी तुलसा केसी नेतासभके सहभागीता छलन्हि अछि।
कार्यक्रममे सहभागी पत्रकारसभ बालअधिकार आ बालसंरक्षण करक किसिमके सूचना प्रकाशन आ प्रसारण करक , बालबालिका सम्वन्धी बनल ऐन कार्यान्वयन भेल की नइ भेल बिषयमे सुसूचित कराब , बालअधिकार सम्वन्धी काजसभके उचित स्थान देबाक सहितक प्रतिवद्धता जनओने अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नयाँ संविधानक विवादित विषय निर्धारित समयमे समाधान करक उच्चस्तरीय कार्यदल असफल भेल अछि। गत आशिन २५ गते गठित कार्यदलक दोसर वेर बढाओलगेल समयसीमा शनिदिन समाप्त भऽरहल अछि।मुद्बा नयाँ संविधानक विवादित २सँ बेसि बुँदामध्ये आओरो १ सय बुँदामे विमर्श शुरू होवय नइ सकल अछि।
नयाँ संबिधानमे उल्लेख करयबला बहुत बिषयमे दलसभबीच विवाद कायमे रहल कार्यदलक समय थप सहितक बिषयमे विमर्श करकलेल २७ दलक बैसार रविदिन बसि रहल अछि।
संविधानसभाक २७ दलक संयुक्त बैसारसँ एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’क संयोजकत्वमे ७ सदस्यीय कार्यदल गठन भेल छल। ।।।।।।।।।।।।।।।।
संविधानसभाक अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङ संसदक अधिवसन बजाबक विषयमे दलसभसँग अनौपचारीक विमर्श कऽरहल अछि।२६ गते २७ दलक औपचारीक बैसार बजाबक सकेत नेम्वाङ देलन्हि अछि।अनिश्चितापूर्ण संसद अधिवेसन, प्रधानमन्त्री चुनाव आ संविधानक विवादित विषय दलसभसँग परामर्शमे रहल २६ गते सभदलसँग औपचारीक विमर्श करब नेम्वाङ जानकारी देलन्हि अछि।नेम्वाङ दलसभ सहमतिमे नइ आएल तऽ अपने दसर तरीकासँ प्रस्तुत हाएब बतओलन्हि अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।
पदाधिकारी नियूक्तिके विषयके लऽकऽ उत्पन्न विवादमे सभापतिके दवाव देबाक उद्देश्यसँ काँल्हि भोरेकेलेल बरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा बजओने अपन पक्षधर केन्द्रीय सदस्य, पूर्व केन्द्रीय सदस्य आ सभासदसभके जमघट स्थागित कएलक अछि। सभापति सुशिल कोइराला ऐहन दवाव मुलक जमघटसँ पार्टीमे विभाजनक बात उत्पन्न हाएत कहैत आपत्ति प्रकट कएलाक पश्चात देउवा आइ जमघट स्थगित कएने देउवा खेमाक केन्द्रीय सदस्य गोपालमान श्रेष्ठ जानकारी देलन्हि अछि।ओ कहलन्हि अछि जे जमघट कएलासँ गुटबन्दी आ पार्टीभितर नइ निक संदेश कहैत ओ विमर्श कऽकऽ जमघट स्थगित कएलगेल बतओलन्हि अछि।भोरे ९ बजेकलेल देउवा अपन निवास बुढानिलकंण्ठमे जमघट बजओने छल। सभापति कोइराला आइ देउवाके टेलिफोन कऽ हम केकरो दवावमे नइ परब सहमतिकलेल प्रयास कऽरहल समय आहाँ जमघट बजा कऽ दवाव दै छी तऽ हम केकरो बात नइ सुनब बतओलन्हि अछि। एहिबीच विवादित बनल अपन पदाधिकारी मनोनयन सम्बन्धी प्रस्तावक पक्षमे सहमति जुटाबकलेल अपन निकट नेतासभसँग विमर्श कएलन्हि अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।
पेट्रोलियम पदार्थक मूल्यबृद्धिक विरोधमे विद्यार्थी संगठन, उपभोक्ता अधिकारवादी संघसंस्था आ ग्याँसविक्रेता महासंघ आइसँ संयुक्तरुपमे आन्दोलन सुरु कएलक अछि। विद्यार्थीसँ काठमाडौं उपत्यक क्याम्पस आगा भोरेसँ प्रदर्शन कऽरहल अछि।
काठमाडौंक चाबहिलस्थित पशुपति क्याम्पसक विद्यार्थीसभ मूल्यबृद्धि फिर्ता करक माँग करैत प्रदर्शनमे उत्रल विधार्थीके एहिसँ पहिने गिरफ्तार कएलगेल विद्यार्थीके रिहा करक माग करैत प्रदर्शन कऽरहल अछि। विद्यार्थीक प्रदर्शनके कारण क्याम्पस आसपासक क्षेत्र तनावग्रस्त भेल अछि।
२ दिन पहिने मित्रपार्कमे सरकारी गाडी जलओने विरोधमे पुलिस पशुपति क्याम्पसक ७ गोटे विद्यार्थीके गिरफ्तार कएने छल।
तहिना ग्याँस विक्रेता महासंघ बबरमहलस्थित नेपाल आयल निगमक केन्द्रीय कार्यालय घेराउ कऽरहल अछि। महासंघक अध्यक्ष ज्ञानेश्वर अर्याल भोरे १० बजेसँ बेरूपहर १२ बजेधरि शान्तिपूर्णरुपमे घेराउ करक आ दमन भेल तऽ प्रतिकार करक चेतावनी देलन्हि अछि।तहिना राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी नेपाल आइ बेरूपहर प्रधानमन्त्री, आपूर्ति मन्त्री सहितक पुत्ला डहन करक कार्यक्रम तय कएलक अछि।बेरूपहर २ बजे केन्द्रीय कार्यसमितिक बैसार बसि कऽ रत्नपार्कमे पुत्ला डहनक कार्यक्रम राखलगेल राप्रपा नेपालक नेता चन्द्रबहादुर गुरुङ जानकारी देलन्हि अछि।राप्रपा नेपाल काँल्हि आयल निगमक कार्यालयमे २ घण्टा धर्ना देने छल। ।।।।।।।।।।।।।।।
भ्रष्टाचार बिरुद्धक अन्तराष्ट्रिय दिवस आइ नेपालमे सेहो बिभिन्न कार्यक्रमके आयोजना कऽ मनाओल जाऽरहल अछि।भ्रष्टाचारबिरुद्धक अन्तराष्ट्रिय दिवसके अवसरमे ट्रान्सपरेन्सी इन्टरनेसनल नेपाल सेहो ‘राष्ट्रिय सदाचार पद्धतिक विकास करक, भ्रष्टाचारविरुद्धक अभियानके सफल करक,नाराक सँग राष्ट्रव्यापी अभियान सुरु करक जनाओलगेल अछि।एहि अबसरमे अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग सेहो टङ्गालस्थित अपन कार्यालयमे भोरे बिशेष कार्यक्रम आयोजना कएलक अछि।
संयुक्त राष्ट्रसंघक महासभा भ्रष्टचार विरुद्ध महासन्धी पारित कएने दिनक सम्झनामे प्रत्येक बर्ष डिसेम्बर ९ तारिकके भ्रष्टाचारबिरुद्धक दिवसके रुपमा मनाओल जाइत अछि।अइ महासन्धीमे नेपालसहित विश्वक १ सय ४० देश हस्ताक्षर कएने अछि।सन् २००३ मे नेपाल हस्ताक्षर कएने भ्रष्टाचारविरुद्धक महासन्धीके ७ वर्ष बितलाक बादो सरकार अनुमोदन करय नइ सकल अछि।
नेपाल सेहो विश्वमे अत्यधिक भ्रष्टाचार होवयबला देशक सूचीमे रहल अछि। ट्रान्सपरेन्सी ईन्टरनेशनलक अनुसार भ्रष्टाचार हवयबला १ सय ७८ देशमध्ये नेपाल १ सय ४६हम स्थानमे अछि। नेपालक राजनीतिक अस्थीरताक कारण भ्रष्टाचार आ सुशासन पैंग चुनौतीक रुपमे रहल ट्रान्सपरेन्सी ईन्टरनेशनलक ठहर अछि । ।।।।।।।।।।।।।
ऐतिहासिक एवम् धार्मिक नगरी जनकपुरमे जारी विवाहपञ्चमी महोत्सव अन्तर्गत आइ माता जानकीके मटकोर हर्षोल्लासपूर्वक भऽरहल अछि।काँल्हि राम मन्दिरमे तिल्कोत्सव कार्यक्रम सम्पन्न भेलाक पश्चात आइ मटकोर भऽरहक अछि।काँल्हि साँझ भेल तिल्कोत्सव कार्यक्रममे राममन्दिरक महन्थ राम गिरी आ जानकी मन्दिरक महन्थ रामतपेश्वर दास वैष्णव एक आपसमे सम्धी मिलन कएने छलथि। महन्थ गिरी अयोध्या नरेश दशरथ तथा महन्थ दास राजा जनकक रुपमे प्रतिनिधित्व कएने छल।

तिल्कोत्सवक अवसरमे जानकी मन्दिरसँ बाजागाजासहित राममन्दिरमे १ सय ५१ भार पहुँचाओलगेल छल। आज मटकोर सम्पन्न भेलाक बाद काँल्हि स्थानिय बाह्रविघा रणभूमि मैदानमे स्वयम्वर आ जानकी मन्दिरमा शुभविवाहक कार्यक्रम रहल अछि।
तहिना अगहन २५ गते रामकलेवा अर्थात् विदाई समारोह भेला पश्चाय विवाहपञ्चमी महोत्सव सम्पन्न हएत। बाजागाजा आ झाँकीसहित राम आ सीताक प्रतिमाके विशेष रुपमे बनाओलगेल डोलामे सिंहासन करा कऽ रणभूमि बाह्रविघा मैदानमे लऽजाँक स्वयम्वर कार्यक्रम होइत अछि।
भारतक अयोध्या सहितक विभिन्न स्थानसँ विभिन्न मठक महन्थ आ साधुसन्तसभ बरातीक रुपमे जनकपुर आबक क्रम जारी अछि । तहिना महोत्सवमे सहभागी होवयलेल धनुषा, महोत्तरी, सिरहा, सर्लाही सहितक नेपालक विभिन्न जिल्लासँ श्रद्धालुसभके जनकपुर आबक क्रम सेहो जारी अछि । सर्वसाधारणक सुरक्षाके दृष्टिगत करैत जनकपुरक सुरक्षा व्यवस्था कडा कएलगेल अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
सभामुख सुवासचन्द्र नेम्बाङ दलसब अपनाके जिम्मा देत त प्रधानमन्त्रीके निर्वाचनबारे रहल विवाद आ असमन्जसता तत्काल अन्त्य क निकास देब बतओलनि अछि ।
नेपाल पत्रकार महासंघ रुपन्देही आइ बुटवलमे आयोजना केने पत्रकार भेटघाटमे सभामुख नेम्बाङ केहन निकास देल जाएत बिषयमे अखने खुलाबय नै मिलत बतओलनि ।
दलसबबीच सहमतिके विकल्प नै रहल दोहर्योबैत ओ संसदके अधिवेशन बजाबयके विषयमे विवाद नै रहितो नियमित आ विशेष केहन बिषयमे मात्रे मतभिन्नता रहल बतओलनि । अधिवेशन बजाबयके विषय प्रधानमन्त्री आ राष्ट्रपतिक क्षेत्राधिकारमे रहलास अहिमे अपन खासे भूमिका नै रहल ओ स्पष्ट केलनि ।
बुटवल १४ नयाँगाउँस्थित नयाँगाउँ उच्च माबि क्यास्पस निर्माणार्थ आयोजना केने महायज्ञ उद्घाटनके लेल नेम्बाङ बुटवल पहुँचल छथि ।
………………………………
भारत नेपालक लेल भारतीय राजदुत राकेश सुदके फिर्ता बजाबय लागल अछि ।
सुदके ठाममे विदेश मन्त्रालयके विशेष सचिब जयन्त प्रसादके नेपालक राजदुतके रुपमे नियुक्त करबाक तयारी भरहल अछि ।
भारतीय पत्रिका द टेलिग्राफक आजुक अंकमे प्रकाशित समाचार अनुसार घमण्डी स्बभाबके सुदक कार्यशैलीस नेपालमे बेसी आलोचना भेलाबाद फिर्ता बजाबय लागल अछि । सुद अपन कार्यकालभरि भारतीयके हीतमे काज केने नयाँदिल्लीके निष्कर्ष अछि ।
जयन्त प्रसाद अहिस आगु पाकिस्तानक लेल राजदूतक जिम्मेवारी निर्बाह कचुकल छथि । हुनक बाबु बिमल प्रसाद राणाकालीन चन्द्र शेखरके समयमे नेपालक लेल भारतीय राजदूत नियुक्त भेल छलथि ।
…………………….
दाङमे पुलिस करीब साढे ६ किलो लागुऔषध चरेससहित एक गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।
सल्यान बाफुखोला गाबिस २ घर रहल हाल दाङके तुलसिपुर नगरपालिका १ रानागाउँमे रहैत आएल २५ बर्षक बासुराम वलीके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।
बितलराती घरेस गिरफ्तार भेल ओलीके इलाका प्रहरी कार्यालय तुलसीपुर आइ पत्रकार सम्मेलन क सार्बजनिक केलक अछि ।
प्रहरी निरीक्षक जिबन बुढाथोकीके अनुसार चरेस किनयबला ग्राहक बनिक गेल पुलिस वलीके चरेस सहित गिरफ्तार केने अछि । लागु औषध ओसारपसार सम्बन्धी अभियोगमे कार्बाही कायल जायत प्रहरी निरीक्षक बुढाथोकील जानकारी देलनि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
भक्तपुरके सल्लाघारीमे आइ बसक ठक्करस मोटरसाईकलमे सवार दु गोटे गम्भीर घाईल भेल अछि ।
बा २ ख ७२८ नम्बरक सार्वजनिक बस बा २८ प २९९१ नम्बरक मोटरसाईकलके ठक्कर देलास चालक सुरेन्द्र ठकुरी आ मोटरसाईकलमे पाछु बैसल उमा सीँह घाइल भेल महानगरीय ट्राफिक प्रहरी परिसर भक्तपुर जनओलक अछि ।
घाईल ठकुरीके काठमाडौंके ओम अस्पतालमे आ उमा सिंहके ललिपुरके बी एण्ड बी अस्पतालमे इलाज भरहल अछि ।
…………………………..
उच्चस्तरीय कार्यदलक आजुक बैसार संवैधानिक समितिके थप १६ बुँदामे सहमति कायम केलक अछि । सिंहदरबारमे आइ बैसल कार्यदलके बैसारस राष्ट्रके परिभाषाके निश्कर्ष लागल अछि ।
कार्यदल सहयोगी समितिक सदस्य एवम् काङ्ग्रेस नेता रमेश लेखकके अनुसार नेपाल बहुजातीय, बहुभाषिक, सार्बभौमसत्ता सम्पन्न, धर्मनिरपेक्ष राष्ट्र हाएत कहिक परिभाषित कायल गेल अछि ।
अहिना, प्रदेशसबके जनमत सङ्ग्रह करयके रहत त केन्द्रमे सिफारिस करय परत आ केन्द्रके दु तिहाई बहुमतस अनुमोदन हाएत त जनमत सङ्ग्रहमे जाय सकयके व्यवस्था नयाँ संविधानमे राखय सेहो दलसब सहमत भेल अछि ।
राष्ट्रिय झण्डा, संविधान संसोधन सहितक विषयमे दलसबबीच विवाद कायमे अछि । एकीकृत नेकपा माओवादी, जनमोर्चा सहितक दल राष्ट्रिय झण्डामे सामान्य परिर्वतन करयके अडान रखने अछि त काङ्ग्रेस, एमाले सहितक दल अखुनेके झण्डाके कायम राखय परबाक पक्षमे अछि । हालके चन्द्र-सूर्य अङ्कीत झण्डा एकात्मक राजतन्त्रात्मक प्रणाली अन्तर्गत भेलास ओइके परिवर्तन करय परत माओवादीक कहब अछि ।
अहिना, माओवादी सार्बभौमसत्ता, गणतन्त्र आ संघीयताबाहेक अन्य सब धाराके परिर्वतन करयपरत बतओलक अछि । काङ्ग्रेस, एमाले सहित दल प्रेस स्वतन्त्रता, बहुलवाद, मानवअधिकार जेहन विषयके अपरिवर्तनीय धाराके रुपमे राखयके बताबि रहल अछि ।
बितल आसिन २५ गते गठित कार्यदलक दोसर बेरक थपल समयसीमा शनिदिन समाप्त भरहल अछि । मुदा, नयाँ संविधानके विवादित २ सयस बेसी बुँदामेस अखनो एकसय बुँदामे परामर्श सुरु नै भेल अछि ।नयाँ संबिधानमे उल्लेख कायल जायबला बहुतो बिषयमे दलसबबिच विवाद कायमे रहलास कार्यदलक समय थप सहितक बिषयमे बिमर्श करय २७ दलक बैसार याह रबिदिन बैसय जारहल अछि ।
संविधानसभाक २७ दलके संयुक्त बैसारस एकीकृत नेकपा माओवादीके अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’के संयोजकत्वमे ७ सदस्यीय कार्यदल गठन केने छल ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
भारतीय सीमा सुरक्षा बल एसएसबी रौतहटके टिकुलियाके आधादर्जन नेपाली नागरीकके सँग पिटपाट केलक अछि ।
आइ नेपाल प्रबेश केने एसएसबीके जवानसब टिकुलीया गाविस ९ के आधा दर्जन सर्वसाधारणके पिटपाट केलक अछि ।एसएसबीके पिटाइस गम्भीर घाईल भेल शम्भु शाहके जिल्ला अस्पताल गौरमे इलाज भरहल अछि ।
एसएसबीके पिटाइके बाद आक्रोशित स्थानीय भारतीय सीमा सुरक्षा बलके जवान सुरेन्द्रकुमार चौधरीके नियन्त्रणमे ल पिटपाट करय खोजलापर नेपाल पुलिस बचओने छल । घटनाकेबाद किछकाल टिकुलीया क्षेत्र तनावग्रस्त भेल छल ।
भारतस खाद आनिक घर घुरिरहल स्थानीयके खाद छिन क पाछु करैत आएल एस एस बि जवान अनाहकमे सर्वसाधारणके पिटने सर्वसाधारणके कहब अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीक अध्यक्ष पशुपतिशम्शेर राणा प्रमुख तीन दलक कारण वैदेशिक चलखेल बढल बतओलनि अछि ।
पोखरामे आइ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे अध्यक्ष राणा प्रमुख दलसबके आन्तरिक द्धन्द्धके कारण वैदेशिक चलखेल भरहल बतओलनि ।
प्रमुख दलसब एकआपसमे नै मिललास शान्तिप्रक्रिया, नयाँ संविधान निर्माण आ सरकार गठन प्रकृया संकटमे परल बतओलनि ।
दलसबबिचक झगडास नेपाली जनता परेसान आ दिक्क भेल कहैत ओ कहलनि जे, ‘आब सब दल पार्टी आ व्यक्तिगत स्वार्थस उपर उठिक राष्ट्र आ जनताके हितमे लचकता देखाक तुरुन्ते सहमतिमे आबय परत ।’
राप्रपा अध्यक्ष राणा सब मुद्दाके परामर्श कक निश्कर्शमे पहँचाबय तत्काल संसदके अधिवेशन बजाबय परतमे जोड देलनि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
व्यवस्थापिका संसदके अर्थ आ श्रम समिति इन्धनके मुल्य बृद्धिके निर्णय पुर्नविचार करय सरकारके निर्देशन देलक अछि ।
समितिके आइ बैसल बैसारस मुल्यबृद्धिके विकल्प खोजय सरकारके निर्देशन देलक अछि ।
अहि विषयमे समिति अर्थमन्त्री सुरेन्द्र पाण्डे आ आपूर्तिमन्त्री राजेन्द्र महतोसँग परामर्श करय लागल अछि ।
बैसारके बाद समितिक सदस्य जिप छिरिङ्ग लामा सरकार भ्याट छुट दक मुल्य बृद्धिके निर्णयमे पुर्नविचार करय सकत कि हमरसबहक कहब अछि । अहि विषयमे २८ गते अर्थ आ आपूर्तिमन्त्रीसँग परामर्श करहल छी ।’
समिति आगामी दिनमे मुल्य समायोजन करैत काल निगमके अन्तरिक व्यवस्थापन सुदृढ क दिर्घकालिन समाधानके नीति आ योजना बनाक वैज्ञानिक आधारमे करय सुझाव सेहो देलक अछि ।
नेपाल अयाल निगम डिजेल, मटियातेल आ पेट्रोलमे प्रतिलिटर ३ रुपैया तथा खाना पकाबयबला एलपी ग्यासमे प्रतिसिलिण्डर ७५ रुपैया मुल्य बढओने छल ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
बंगलादेशके राजधानी ढाका लग २ टा यात्रुवाहक रेल एक आपसमे ठोकरएलास कमस कम १९ गोटेके मृत्यु भेल अछि त ६० गोटे घाइल भेल अछि ।
दुर्घटना ढाकास ५५ किलोमिटर उत्तरपूर्वमे रहल नारशिङ्गदी रेल स्टेशनमे भेल अधिकारीसब जनओलक अछि । दुर्घटनाके कारण क्षतिग्रस्त भेल रेलके डिब्बासबमे फँसल लोकसबके उद्दार भरहल अछि । घाइलसबके स्थानिय अस्पतालमे भर्ना कायलगेल अछि । दुर्घटनाबारे अनुसन्धान भरहल अधिकारीसब जनओलक अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

Wednesday, December 08, 2010

२०६७, अगहन २२ गते, २०१० डिसेम्बर ८

नेपाल आयल निगम पेट्रोलियम पदार्थके मोल वृद्बिसंगे खाना बनाबयबला ग्याँसमे कएने मोल वृद्बिके बिरोध करैत जनकपुर अंचल ग्याँस व्यवसायी संध काँल्हि बिक्रि बितरण बन्द कऽ बिरोध प्रर्दशन कएलक अछि।
काँल्हि भोरे जनकपुरस्थित जानकी मंदिरक प्रांग्रणसँ निकलल विरोध रैली नगरक विभिन्न भागक परिक्रमा करैत जिला प्रशासन कार्यालय धनुषा मार्फत प्रधानमन्त्रीके ज्ञापन पत्र सेहो बुझओने अछि।ग्याँसमे लगैत आबि रहल भ्याट,मोल अभिवृद्बि कर फिर्ता कऽ मोल समायोजन कएल जएबाक एक मात्र माँग कएलगेल संधक केन्द्रिय उपाध्यक्ष गणेश झा जानकारी देलन्हि अछि।
मोल अभिवृद्बि कर फिर्ता लेल गेल तऽ ग्यासक मोलमे १ सय ५० रूपैया कमी आओत व्यवसायीसभके कहब अछि।व्यवसायीसभक आन्दोलनके कारण उपभोक्तासभ समस्यामे परल अछि।मोल वृद्बि फिर्ता नइ लेलगेल तऽ सशक्त आन्दोलनमे उतरबाक चेतावनी सेहो ग्याँस व्यवसायीसभ देने अछि।
जनकपुर अंचल ग्याँस व्यवसायी संधक अध्यक्ष मनोज साहक नेतृत्वमे भेल विरोध प्रर्दशनमे केन्द्रिय उपाध्यक्ष गणेश झा,केन्द्रिय सदस्य हरि राउत,अंचल कमिटीक पदाधिकारी सहित स्थानीय व्यवसायीसभक सहभागीता छल। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
सप्ताहव्यापी विवाहपंचमी महोत्सव अन्तरगत जनकपुरक प्रसिद्ब जानकी मन्दिरके प्राङणमे धनुष यज्ञ कार्यक्रक काँल्हि सम्पन्न भेल अछि।ओहि क्रममे धनुषक पूजा कऽ झाँकीमे भगवान राम बनल युवक धनुष तोडने छल।
ओहि अवसरपर मन्दिरक महन्थ रामतपेश्वर दास वैष्णव सहित नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानक साधुसन्तके आ स्थानीयबासीके सहभागिता रहल छल।एहिबीच आइ राम मन्दिरक प्राङणमे तिलक महोत्सव कार्यक्रम हाएत बुझबामे आएल अछि।
तिलकोत्सव कार्यक्रममे मिथिला दरवारके प्रतिनिधित्व करएबला जानकी मंदिर अयोध्या दरवारक प्रतिनिधित्व करयबला राममन्दिरमे १ सय १ भार पठाओल जाएत बताओलगेल अछि।
राममन्दिरमे समधी मिलानके कार्यक्रम सेहो राखलगेल अछि।विवाहसँ २ दिन पूर्व होवयबला तिलकोत्सव कर्यक्रम विवाहपंचमीक मूख्य आकर्षण रहत।
एम्हर विवाहपंचमी सहभागी होवाकलेल आन्तरिक तथा बाह्र पर्यटकसभके जनकपुर अएबाक क्रम शुरू भऽगेल अछि।काँल्हि मात्र २ हजारसँ बेसि यात्रीसभ जनकपुर आएल देखलगेल अछि।।।।।।।।।।।।।।।
कार्यवाहक प्रधानमन्त्री एवं मधेशी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिक अध्यक्ष विजय कुमार गच्छेदार देशमे सभ सँ पैघ दल अपन पार्टी हएत दावा कएलन्हि अछि । सिरहाक गोलबजारमे काँल्हि कार्यकर्ता प्रशिक्षण कार्यक्रमकेँ उदघाटन करैत फोरम लोकतान्त्रिकक अध्यक्ष गच्छेदार काँग्रेस , एमाले आ माओवादी असफल भऽ गेला सँ आब अपन पार्टी १० वर्ष भितर सभ सँ नम्हर बनबाक बतौलन्हि ।फोरम लोकतान्त्रिक मधेशक मात्र नहि भऽ पुरे देशक पार्टी रहल हुनक कहब छलन्हि । पार्टीकेँ शुदृढ करय लेल हिमाल, पहाड आ मधेशमे संगठन विस्तार करयपर ओ जोड देने छलथि ।तहिना ओहि कार्यक्रममे पर्यटन तथा उड्डयन मन्त्री शरद सिंह भण्डारी माओवादीकेँ कुकुरक नाङ्गरिकेँ संज्ञा देलन्हि अछि । ओ नाङ्गरि सिधा करय अपने सभ आब तैयार रहल बतौलन्हि ।।।।।।।।।।।।।
मेची राजमार्गअन्तर्गत इलामके किटेनी ढाटसँ पुलिस हतियारसहित ३ गोटेके आइ भोरे गिरफ्तार कएलक अछि।गिरफ्तार होवयबलामे झापा सुरुङ्गा-९ के २३ वर्षीय विनोद कार्की आ १९ वर्षीय लवकुमार श्रेष्ठ तथा सीमावर्ति भारत पानीटङ्कीक २० वर्षीय बब्लु राजवंशी रहल अछि।
ईलाका प्रहरी कार्यालय पशुपतिनगरसँ खटल गस्ती टोली ओकरासभके गिरफ्तार कएलक अछि। गिरफ्तार भेल तीनु गोटे सँगसँ पेस्तोल आ गोलीसमेत बरामद भेल पुलिस जनओलक अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।
पर्सा बन्यजन्तु आरक्षसँ ग्रामिण क्षेत्रमे प्रबेश कएने जङ्गली हात्तीक आक्रमणसँ पर्साक निर्मलबस्ति गाबिसमे आइ फेर १ गोटेके मृत्यु भेल अछि। हात्ती दर्जनौं घरमे क्षति सेहो पहुँचओने अछि।
वितल राति १२ बजेक समयमे शौंचालय जाएके समयमे निर्मलबस्ती गाबिस-१ रामनगर निवासी ६८ बर्षीय लाहुरे कहएबला ईन्द्रबहादुर बिकके हात्तीक आक्रमणसँ मृत्यु भेल पुलिस जनओलक अछि। मृतक बिकके शव पोष्टमार्टमकलेल वीरगन्ज लऽजएबाक तैयारी भऽरहल पुलिस जनओलक अछि। ।
गत रविदिन सेहो ओहि गाविसक शान्तिटोला ठाममे जङ्गली हात्तीक आक्रमणसँ स्थानीय ४२ बर्षीय कान्छा पाख्रिनके मृत्यु भेल छल।
जङ्गली हात्तीक कारण लाखौं मूल्य बराबरके क्षति भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय ठोरीक प्रहरी निरीक्षक सुजन राजभण्डारी जानकारी देलन्हि अछि। पीडितक परीवार आ आक्रोशित स्थानीयबासी क्षतिपूर्तिक माग करैत अखन ओइ क्षेत्रमे प्रदर्शन कऽरहल अछि।एहिबीच नवलपरासीक परासीमे ट्याक्टरके ठक्करसँ १ गोटेके मृत्यु भेल अछि।सुनवलसँ परासी आबि रहल लु २ त ११५९ नम्बरक ट्याक्टर आ परासीसँ सुनवलतर्फ जाऽ रहल लु ५ प ११५७ नम्बरक मोटरसाइकल परासीक निलोगेट नजदीक वितल राति एकआपसमे ठोकेलासँ मोटरसाइकल चालकके मृत्यु भेल अछि।
दुर्घटनामे मोटरसाइकल चालक नवलपरासीक सुनवल गाम विकास समिति किर्तिपुर रहनियार २५ बर्षीय युवराज गुरुङक मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय नवलपरासी जनओलक अछि। ट्याक्टरक ठक्करसँ गम्भीर घायल भेल गुरुङके थप इलाजकलेल भैरहवा मेडिकल कलेज लऽजाइत काल बाटेमे मृत्यु भेल अछि।
दुर्घटनाक बाद गुरुङके ठक्कर देवयबला ट्याक्टरक चालक फरार रहल आ खोजीकार्य भऽरहल नवलपरासी पुलिस जनओलक अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नया संविधानक प्रस्तावनाक अनुच्छेदमे उल्लेख करकलेल किछ विषयसभमे थप सहमति जुटाबलेल आइ सेहो उच्चस्तरीय कार्यदलक बैसार बसि रहल अछि। किछकालके बाद िसंहदरबारमे बैसएबला बैसारमे संवैधानिक समिति अन्तएगतके विषबस्तुक विवादमे विमर्श हएत।कोल्हुका बैसारमे विभिन्न आन्दोलन नाम समग्रमे उल्लेख करक आत्मनिर्णय स्वायत्तता सहितक विषयसभके स्पष्ट परिभाषा हैवाक चाहीसहितक विषयमे दलसभबीच सहमति बनल छल।
बैसारमे प्रस्तावना उल्लेख करक कहलगेल विवादित ३सँ७ धरिक अनुच्छेदमे विमर्श भेल छल।बहुलवाद आत्मनिर्णयक अधिकार जनयुद्ध शब्दक प्रयोग सहितक विषयमे दलसभबीच अखनो मतभेद कायमे अछि। आजुक बैसारमे सेहो विवादीत विषयसबके निस्कर्षमे पहुँचील जाएत कार्यदलक सदस्य रमशे लेखब जानकारी देलन्हि अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।
व्यवस्थापिका संसदक विशेष अधिवेशन बजाबक पहल करक एकीकृत नेकपा माओवादी आइ छोट दलसभसँग विमर्श कऽरहल अछि। काँल्हि विमर्श कएने दलसभसँग थप विमर्शकलेल भोरे ११ बजे संसदीय दलक कार्यालयमे बैसार बजओने अछि।छोट दलसँगक विमर्श पश्चात माओवादी कांग्रेस आ एमालेसँग विमर्श करक आ तेकरबाद विशेष अधिवेसनकलेल समावेदन करक तैयारी कएलक अछि।
माओवादी सचिव सीपी गजुरेल प्रधानमन्त्री निर्वाचन आ थप एजेण्डा बढा कऽ समावेदन करक विमर्श चलि रहल बतओलन्हि अछि। सरकार संसदक अधिवेशन बजाबयसँ पहिने दलसभबीच सहमति हैवा चाही अडान राखि रहल समय माओवादी विशेष अधिवेशनकलेल पहल शुरू कएने अछि। व्यवस्थापिका संसदमे रहल एक चौथाई सभासद् लिखित आह्वान कएलक तऽ विशेष अधिवेशन बजाब पडत संवैधानिक व्यवस्था रहल अछि। सरकारमे रहल दलसभ नियमित अधिवेसन बजाब परल बतबैत आबि रहल अछि।।।।।।।।।।।।।।।।।।
पेट्रोलियम पदार्थक मूल्यबृद्धिक विरोधमे संभावित प्रदर्शन रोकक काठमाडौंक प्रमुख क्याम्पस आसपास सुरक्षाकर्मीक उपस्थिति बढाओलगेल अछि।काँल्हि तनावपूर्ण भेल चाबहिलस्थित पशुपति क्याम्पस आसपास आइ भोरेसँ उल्लेख्य संख्यामे सुरक्षाकर्मी परिचालन कएलगेल अछि।तहिना मुख्य सडकके चोक चोकमे सेहो सुरक्षाकर्मी खटाओलगेल बुझबामे आएल अछि।
एहिबीच मूल्यबृद्धिक विरोधम राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी नेपाल आइ बबरमहलस्थित नेपाल आयल निगमक कार्यालय घेराउ करक कार्यक्रम तय कएलक अछि।
विनाकारण खाना बनाबयबला ग्याँसक मूल्य बृद्धि भेल विरोधमे ग्याँस बिक्रेता महासंघ सेहो चरणबद्ध आन्दोलनक तैयारी कएलक अछि। खाना बनाबयबला ग्याँसमे लगैत आएल भ्याट हटाबक संगही कम्पनिक नाफा कम कऽकऽ आअरो कम मूल्य कायम करक अभ्यास नइ कऽ मूल्य बढओलाक कारण आन्दोलन करक महासंघक अध्यक्ष ज्ञानेश्वर अर्याल बतओलन्हि अछि।
नेपाल आयल निगम गत सोमदिन खाना बनाबयबला ग्याँसमे प्रतिसिलिण्डर ७५ रुपैयाँ आ पेट्रोल, डिजेल आ मट्टितेलमे प्रतिलिटर ३/३ रुपैयाँ मूल्यबृद्धि कएने छल।तहिना पेट्रोलियम पदार्थमे कएने मूल्य वृद्धिक विरोधमे आइ सेहो विद्यार्थी आ उपभोक्तासभ प्रदर्शनम उत्रल अछि। विद्यार्थीसभ राजधानीक चाबहिल बानेश्वर रत्नपार्क सहितक विभिन्न क्यम्पस आगु विरोध प्रदर्शन सुरु कएलक अछि। मूल्यवृद्धिसँ सर्वसाधारण जनताके समस्या भेल कहैततत्काल फिर्ता लेबाक ओसभ माग कएलक अछि। त्रिचन्द्र क्याम्पस घण्टाघर सरस्वती क्याम्पस लौनचौर पशुपति क्याम्पस चावहिल सहितक क्याम्पस आगु अखन सेहो विद्यार्थीसभ प्रदर्शन कऽ रहल अछि।
ओइ क्षेत्रसभमे यातयात सेवा प्रभावित भेल अछि।विद्यार्थीक प्रदर्शनके ध्यानमे रखैत राजधानीक विभिन्न क्याम्पससभ आगु अखन सुरक्षाकर्मी व्यापकरुपमे परिचालन कएलगेल अछि।तहिना राजधानी बाहरके जिल्लासभमे सेहो आइ भोरेसँ विरोध प्रदर्शन सुरु भेल अछि।।।।।।।।।।।।।।।।।
मिथिलाक प्राचीन राजधानी जनकपुरधाममे नगर दर्शनसँ सुरु भेल विवाहपञ्चमी महोत्सव अन्तर्गत आइ दुपहर राममन्दिरक प्राङगणमे तिल्कोत्सव समारोह कार्यक्रम होवय लागल अछि।
आई तिल्कोत्सव समारोह सम्पन्न भेलाक बाद अगहन २३ गते मटकोर, २४ गते शुभविवाह तथा २५ गते रामकलेवा हएत जानकी मन्दिरक महन्थ राम तपेश्वर दास वैष्णव बतओलन्हि अछि।
एहि वर्ष घोडा, ऊँट एवं हात्तीसँ विवाह महोत्सवके शोभा बढाओल जाएत बताओलगेल अछि। भारतक अयोध्या सहितक विभिन्न स्थानसँ विभिन्न मठक महन्थ तथा साधुसन्तसभ बरातीक रुपे जनकपुर आबि रहल अछि।विबाहपंचमीके ध्याने रखैत जनकपुरक सुरक्षा व्यवस्था कडा बनाओलगेल सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक कविराज श्रेष्ठ बतओलन्हि अछि।
राम तथा जगत जननी माता सीताक वैवाहिक कार्यक्रमके तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचगेल अछि। वैवाहिक कार्यक्रम अन्तर्गत स्वयंवरक आयोजना होवयबला स्थल बाह्रविगाह रणभूमि मैदानके सरसफाई तीब्र गतिमे भऽरहल अछि।
विवाह महोत्सवक तैयारीमे स्थानिय क्लबसभ सेहो सक्रिय देखलगेल अछि। जनकपुरक जानकी मन्दिर, विवाह मण्डपल सहितक स्थान दुलहन जेकाँ सजाओलगेल अछि।श्रद्धालुकलेल पियबला पानी, शौचालय आवास सहितक तैयारी सेहो तीब्र रूपमे भऽरहल अछि।
तिल्कोत्सवसँ रामकलेवाक दिनधरि जनकपुरक जानकी मन्दिर तथा राम मन्दिरबीच विभिन्न प्रकारक मिठाई तथा फलफूलसहितक सामग्री आदान प्रदान भऽरहल अछि। जनकपुरमे मनाबयबला ई महोत्सवसँ नेपाल भारतबीचक सम्बन्धके सेहो प्रगाढ बनबैत आएल अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।
राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव आइ धुलिखेल जएबाक कार्यक्रम रहल अछि। काठमाडौँ विश्वविद्यालयक १६हम दीक्षान्त समारोहमे सहभागी होवएलेल राष्ट्रपति धुलिखेल जाए लागल छथि।
तहिना काठमाडौं विश्वविद्यालयक दीक्षान्त समारोहमे सहभागी होवय अर्थ विज्ञानमे नोबेल पुरस्कार विजेता इलिनोर ओस्ट्रोम सेहो जाए लागल छथि। नेपालमे प्राकृतिक सम्पदाक अध्ययनसँ ओ सन् २००९ के नोबेल पुरस्कार विजेता भेल छलथि।ओस्ट्रोम दीक्षान्त समारोहमे प्रचवन देर्थिन विश्वविद्यालय जनओलक अछि।
आइ स्कुल अफ साइन्स, स्कुल अफ इन्जिनियरिङ, स्कुल अफ आर्टस्, स्कुल अफ म्यानेजमेन्ट आ स्कुल अफ एजुकेशसनसहितक सात सय ७९ गोटे नेपाली आ ३६ गोटे विदेशी विद्यार्थी कऽ जम्मा सात सय ९२ गोटे विद्यार्थीसभ दीक्षित हएत काठमाडौं विश्वविद्यालयक उपकुलपति डा. सुरेशराज शर्माल जानकारी देलन्हि अछि।
चान्सल आ स्वर्णपदक दैत आएल केयू एहि वर्षसँ स्कुल अफ मेडिकल साइन्सेजसँ एमबीबीएमे बेसि अङ्क लाबयबाल विद्यार्थीके सेहो भाइस चान्सलर स्वर्णपदक देबय लागल अछि।
एहिबीच दीक्षिन्त समारोहके मध्यनजर रखैत स्थानीय प्रशासन काभ्रेक बनेपा आ धुलिखेल क्षेत्रमे सुरक्षा व्यवस्था कडा बनओने अछि।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नयाँ संविधानमे देखलगेल विवाद समाधान करकलेल गठित उच्चस्तरीय कार्यदलक बैसार आइ सेहो निस्कर्षविहीन सम्पन्न भेल अछि।
सिंहदरबारमे आइ भोरे बैसल बैसारमे नयाँ संविधानक प्रस्तावनामे विमर्श भेल आ जनयुद्ध, आत्मनिर्णयक अधिकार आ बहुलवादमे सहमति होवय नइ सकल नेतासभ बतओलक अछि। प्रस्तावनाक ४७टा विवादित विषयमेसँ अन्य बिषयमे सहमति भऽचुकल अछि।
कोल्हुका बैसारमे सेहो जनयुद्ध, बहुलवाद, आत्मनिर्णयक अधिकार जेहन आधारभूत विषयमे दलसभबीच बात नइ मिल सकल छल।
एकीकृत नेकपा माओवादी बहुलवाद एकटा सिद्धान्त भेलाक कारण अइके नयाँ संविधानमे उल्लेख करक अस्वीकार कएने अछि। काङ्ग्रेस, एमालेल सहितक दलसभ बहुलवादके अस्वीकार करक समाजमे विविध राजनीतिक बिचारस , सँस्कृति आ धर्मसभ अछि बातके अस्वीकार कएलक तऽ नयाँ संविधानमे ‘बहुलवाद’ उल्लेख हैवाक चाही अडानमे अछि।
तहिना माओवादी नागरिकके मात्र नइ भऽकऽ राज्य आ समुदायके सेहो आत्मनिर्णयक अधिकार हैवाक चाही अडान रखैत आएल अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।
मध्यमस्यर्याङदी टवाईन जलविधुत परियोजनाक टवाईनके मर्मतकार्य समपन्न भेल अछि।
टवाईन मर्मतके संगही ६०मेगावाट बिजुली उत्पादन सेहो होवय लागल अछि।मुद्बा जलशायमे पानीक सतह घटकक्रम जरी रहलाक कारण लोडसेटिङ घटक सम्भावना नइ रहल परियोजनाक एकटा कर्मचारी बतओलन्हि अछि।
मर्मतसम्भार कएलगेल २टा टवाईनके उतपादन क्षमता ३५-३५ मेगावाट रहल अछि। ।।।।।।।।।।।।।
संसदके विशेष अधिवेशन बजाबयके पहल केने एकीकृत नेकपा माओवादी आइ सेहो छोट दलसबसँग परामर्श करहल अछि ।
माओवादी संविधानसभा दलके कार्यालय सिंहदरबारमे जारी परामर्शमे मधेसी जनअधिकार फोरम, नेपाल सदभावना पार्टी, नेपाली जनता दल, नेकपा एकीकृत सहितक सात दल सहभागी अछि ।
अहिस आगु काल्हि सेहो माओवादी याह छोट दलसबसँग परामर्श केने छल । काल्हिके परामर्शमे विशेष अधिवेशन बजाबयके माओवादीके तयारीमे छोट दल सहमति नजदिक पहुँचलास आइ पुनः परामर्श भरहल प्रवक्ता दीनानाथ शर्मा जानकारी देलनि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।
उपराष्ट्रपति परमानन्द झा देश चलाबय नै सकल लिखित जानकारी राष्ट्रपतिके कराबय दलसबके चूनौती देलनि अछि ।
आइ विराटनगरके सञ्रचारकर्मीसबसँग बातचित करैत उपराष्ट्रपति झा दलसब देश चलाबय नै सकल लिखित जानकारी कराओत त राष्ट्रपतिके कार्यकारी अधिकार ल क आगु बढयके बाट खुजत बतओलनि ।
संविधानमे राष्ट्रपतिके कार्यकारी अधिकार अपन हातमे लेबयके बाट नै रहल ओ स्पष्ट केलनि ।
राष्ट्रपति प्रधानमन्त्री चयन करय देने जिम्मेवारी पाँच महिना पुगितो दलसब पूरा करय नै सकल बतबैत ओ अहिस राष्ट्रपतिके अपमान भेल टिप्पणी केलनि ।संविधान निर्माण आ शान्तिप्रक्रियाके नाममे दलसब नाटक करहल उपराष्ट्रपति झाके कहब अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
राष्ट्रपति समक्ष समावेदन द क संसदके विशेष अधिवेशन बजाबय एकीकृत नेकपा माओवादी सहितक ९ दल सहमत भेल अछि ।
माओवादी संसदीय दलक कार्यालय सिँहदरवारमे बैसल बैसारमे समावेदन दक संसदके विशेष अधिवेशन बजाबय सहमति भेल अछि ।
संसदमे रहल कुल ५ सय ९९ सभासदके एक चौथाई अर्थात १ सय २५ गोटे समावेदन केने १५ दिनभितर अधिवेशन बजाबयके व्यवस्था अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नेपाल आयाल निगमक महाप्रवन्धक दिगम्बर झा सरकार ४० करोड रुपैया अनुदान देत त निगम पेट्रोलियम पदार्थके बढल मुल्य तत्काल फिर्ता लेत बतओलनि अछि ।
राजधानीमे आइ आयोजित एक कार्यक्रममे बजैत महाप्रवन्धक झा निगम मुल्य बृद्धिके पुनरावलोकन करय तयार रहल आ अहिके लेल प्रस्ताव सेहो सरकारके पठाचुकल जानकारी देलनि । ओ कहलनि जे अर्थमन्त्री आ आपूर्ति मन्त्रीसँग मुल्य फिर्ता लेबयके विषयमे बातचित भरहल अछि । जँ सरकार आइए हमरा रकम अनुदान देबयके निर्णय करत त अखने मुल्य फिर्ताके घोषणा क देब ।
ओ आगु कहलनि जे अखन मुल्य समायोजन नै करब त बजारमे पेट्रोलियम पदार्थके अभाव हाएत आ ओहिस कालाबजारी बढत । सहज आपूर्तिके लेल हमसब मुल्य बढओने छी ।
नेपाल सरकार अनुदान नै देब कहलास बाध्य भ क मुल्य बढाबय परल जानकारी दैत झा मुल्य घटाबयके लेल सरकारी अनुदान या पेट्रोलियम पदार्थमे लगैत आएल भ्याट छुट देबय परत बतओलनि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नेकपा(एमाले)क नेता केपी शर्मा ओली कम्बोडियामे सम्पन्न एसियाली राजनीतिक दलसबहक सङ्गठन आइक्यापके बैसारमे भाग ल स्वदेश घुरलनि अछि ।

स्वदेश घुरिते त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत नेता ओली राजनीतिक सहमतिके आधारमे देशके अनिर्णयके बन्दी बनाबय नै चाही तर्फ आब जिम्मेवार राजनीतिक दलक ध्यान जायके समय आएल बतओलनि।
ओ सहमतीय आधारमे गठन होबय नै सकत त बहुमतीय आधारमे सरकार निर्माण क राष्ट्रिय सहमति जुटाबयके दिस पहल करयके धारणा व्यक्त केलनि।
नेता ओली आइक्यापके नोम्पेन्ह बैसारमे भाग लेबय याह अगहन १३ गते ओहिदिस प्रस्थान केने छलथि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
पूर्वयुवराजा पारस शाह अपन राजनीति करबाक कोनो सोच नै रहल बतओलनि अछि ।
धादिङके प्रमुख धार्मिकस्थल त्रिपुरासुन्दरी भगवतीके दर्शनके बाद सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत पारस इ बात बतओलनि अछि ।
ओ धार्मिक आस्थाके कारण भगवतीमाईके दर्शन करय मात्रे आएल आ हिमानी ट्रष्टमे अपन कोनो संलग्नता नै रहल बतओलनि ।
देशके राजनीतिक अवस्थाबारे पुछलगेल प्रश्नमे पूर्वयुवराज पारस कोनो प्रतिक्रिया देबय नै चाहलथि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

Tuesday, December 07, 2010

चितवनक भरतपुरस्थित क्यान्सर अस्पतालक निर्देशक भक्तमान श्रेष्ठक अपहरणमे संलग्न रामकुमार श्रेष्ठके पुलिस काठमाडौंक चाबहिलसँ गिरफ्तार कएलक अछि। रामकुमार भक्तमानक अपहरणके मुख्य योजनाकार भिमसेन पण्डित समूहक सदस्य अछि।
गुण्डागर्दीमे संलग्न व्यक्तिसभक खोजीमे रहल महानगरीय प्रहरी अपराध महाशाखाक टोली वितल राति रामुकमारके गिरफ्तार कएने महाशाखा प्रमुख रणबहादुर चन्द जानकारी देलन्हि अछि।पुलिस चाबहिलसँ रामकुमारसहित, नरेन लामा, सुजन धिमाल, सुदिप खतिवडा आ सन्जय श्रेष्ठके गिरफ्तार कएने छल। हनुमानढोकामे लाबि कऽ पुछताछ करक क्रममे रामकुमार भिमसेन पण्डित समूहक सदस्य रहल खुलासा भेल अछि। यद्यपी रामकुमार अपहरणमे संलग्न नइ रहल दावा करैत आएल अछि।
एहिसँ पहिने ओमकार भट्टचन, सचिन गुप्ता आ विनोद न्यौपानेके अपहरण कऽ फिरौती लेने अभियोगमे २०६४ सालमे भिमसेन पण्डित सहित, रोहित पाहिवाल अग्रवाल, सन्जय श्रेष्ठसँग रामकुमार सेहो गिरफ्तार भेल छल। ओसभ २०६५ सालमे धरौटीमे रिहा भेल छल।रिहाइ भेला २ वर्ष पश्चात गत जेठ पहिल सप्ताहमे ओहे समूह भरतपुर क्यान्सर अस्पतालक निर्देशक भक्तमान श्रेष्ठके चितवनसँ अपहरण कऽ फिरौती लेने छल।ओसभ ३ करोड रुपैयाँ फिरौती लऽकऽ १९ दिन पश्चात भक्तमानके अपहरण मुक्त कएने छलथि। ।।।।।।।।।।।।।।।
महोत्तरीक जलेश्वर नगरपालिका-११ रहनियार जयकिशोर कुँवरके मारपिट कएनिहार ओहि ठाम वीरेन्द्र कुवँर आ अनितादेवीके गिरफ्तार कएलक अछि।ओसभ अंशबण्डाक विषयके लऽ कऽ जयकिशोरके मारिपिट कएने छल।मारिपिटसँ गम्भीर घायल भेल कुँवरके जनकपुर अञ्चल अस्पतालमे इलाज भऽरहल अडि।तहिना काठमाडौँ महानगरपालिका-६ बौद्धसँ लागूऔषध खैरो हेरोइनसहित २गोटेके पुलिस गिरफ्तार कएलक अछि।
लागूऔषध नियन्त्रण कानुन कार्यान्वयन इकाईसँ खटल टोली पर्साक वीरगन्ज उपमहानगरपालिका-२ के आजाद अन्सारी आ भारत रक्सौल थाना बापरेउवा घर रहल अखिलेसकुमार यादवके गिरफ्तार पुलिस जनओलक अछि।एहिबीच एकटा महिलाके जबर्जस्ती कएने अभियोगमे काभ्रे जिल्ला देउपुर-२ रहनियार भीममलाल श्रेष्ठके पुलिस गिरफ्तार कएलक अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।
मुसिकोटस्थित खलङ्गा बहुमुखी क्याम्पसमे स्नातकतहमे अध्ययनरत विद्यार्थी शुल्क घटाबक माग करैत आन्दोलनमे उत्रल अछि।
शिक्षा सङ्कायमे अध्ययनरत ओसभ शैक्षिक शुल्क अत्यन्त महँग भेल दावा करैत ओसके घटाबक माग कएने अछि।क्याम्पस प्रशासन विश्वविद्यालय तोकने बमोजिम शुल्क निर्धारण कएलगेल उल्लेख करैत ओइमे कोनो परिवर्तन करय नइ सकब जनओलक अछि। ।।।।।।।।।।।।

प्रधानमन्त्रीसहित दलक अधिकांश नेतासभ विदेश भ्रमणमे रहल समय उपप्रधानमन्त्री तथा परराष्ट्रमन्त्री सुजाता कोइराला सेहो आइ इन्डोनेसिया जाऽरहल छथि।लगातार ४ देशक भ्रमण तय कएने कोइराला इन्डोनेसियाक बालीमे आयोजित डेमोक्रेसी फोरमक मन्त्रीस्तरीय बैसारमे सहभागी होवएलेल ओ ओतह जाए लागल परराष्ट्र मन्त्रालय जनओलक अछि। इन्डोनेसियामे ओ ५ दिन रहर्थिन मन्त्रालय जनओलक अछि।
तेकरबाद ओ दोसर सप्ताह थाइल्याण्डक बैङ्ककमे होवएबला ‘बैङ्कक मिडलइस्ट डाइलग’ क मन्त्रीस्तरीय बैसारमे भाग लेवाबलेल जएर्थिन बुझबामे आएल अछि। थाइल्यान्डमे मन्त्री कोइराला ३ दिन रहर्थिन जनाओलगेल अछि।थाइल्याण्ड पश्चात पुस १० गते ४ दिनकलेल हुनका चीन जएबाक कार्यक्रम तय भेल अछि।ओइ ठाम ओ परराष्ट्र मामिला अध्ययन प्रतिष्ठानके संलग्नतामे सिन्ह्वा विश्वविद्यालय निर्माणके भवन उद्घाटन करबाक कार्यक्रम अछि।चीनसँ घुरलाक तुरन्त बाद कोइराला ‘बे अफ बङ्गाल इनिसियटिभ फर मल्टिसेक्टोरल टेक्निकल एन्ड इकोनोमिक कोअपरेसन’के कार्यक्रममे सहभागी होवक कार्यक्रम तय भेल अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नयाँ संविधानक विवादित विषयमे सहमति खोजक प्रयासमे उच्चस्तरीय कार्यदलक बैसार सिंहदरबारमे बसि रहल अछि। बैसारमे सभसँ महत्वपूर्ण मानलगेल संवैधानिक समितिक मस्यौदा उपर विमर्श भऽरहल अछि।
विगतके आन्दोलन आ संघर्ष सम्बोधन हिवए जकाँ नयाँ संविधानक प्रस्तावना छोट राखक दलसभ सहमत भेलाक बादो माओवादीक १० वर्षे ‘जनयुद्ध’ शब्द राखल जाए की नइ विषयमे विवाद अछि । माओवादीक ‘जनयुद्ध’ शब्द स्पष्ट उल्लेख हैवाक चाही अडानमे अछि तऽ काङ्ग्रेस, एमाले सहितक दलसभ जनयुद्धक सट्टा ‘सशस्त्र संघर्ष’ उल्लेख हैवाक चाही बतबैत आबि रहल अछि।९६ टा विवादित विषय रहेल संवैधानिक समितिक प्रस्तावनामे मात्र ४७ टा बुँदामे असहमति अछि । ।।।।।।।।।।।।।।।।।।
त्रिभुवन राजपथअन्तर्गत बाराक पथलैयामे आइ भोरे भेल सवारी दुर्घटनामे १ गोटे मजदुरके मृत्यु भेल अछि। मृत्यु होवएबलामे काभ्रे जिल्ला रहनियार टयाक्टरक मजदुर ३० वर्षीय कृष्ण खनाल रहल पुलिस जनओलक अछि।अमलेखगन्जसँ पथलैया जाऽरहल ना १ त २८३७ नम्बरक टयाक्टर पथलैयामे भोरे पौने पाँच बजे ना ३ ख ९३०७ नम्बरक ट्रक पाछुसँ ठक्कर देलाक कारण टयाक्टरमे सवार खनालके घटनास्थलमे मृत्यु भेल अछि। पुलिस ट्रक, टयाक्टर आ चालकके नियन्त्रणमे लेने अछि।एहिबीच बारामे वितल राति अज्ञात समुह एकटा भारतीय युवक उपर गोली प्रहार कऽगम्भीर घायल बनओलक अछि। अज्ञात समुहक गोली प्रहारसँ भारतक रक्सौलस्थित कोइरीयाटोला रहनियार ३५ वर्षीय प्रभु साह गम्भीर घायल भेल अछि।
साहके अज्ञात समुह बाराक अमृतगन्ज गाविसके खजानीस्थित भारतीय सिमा नजदीक वितल राति १२ बजे गोली प्रहार कएने छल। डारमे गोली लागल साहके अवस्था गम्भीर रहल पुलिस जनओलकज अछि। गम्भीर घायल साहके इलाजकलेल वीरगन्जक नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पतालमे पठाओलगेल आ घटनाक सन्दर्भमे अनुसन्धान भऽरहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय बारा जनओलक अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।
कार्यबाहक प्रधानमन्त्री विजयकुमार गच्छदार जेठ १४ गते सेहो संविधान नइ बनत बतओलन्हि अछि। महोत्तरीक औरहीमे आइ भोरे सन्चारकर्मीसभसँग बातचीत करैत ओ मुख्य तीन दल सत्ताक खेलमे लगलाक कारण निर्धारित समयमे संविधान बनय नइ सकत बतओलन्हि अछि।
‘सत्ताक खेलमे लगलाक कारण जेठ १४ मे संविधान बनक अबस्था नइ अछि हुनक कहब छल्नहि।
मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकक अध्यक्ष सेहो रहल गच्छदार हतियार नइ त्यागधरि एकीकृत नेकपा माओवादीक सरकार स्वीकार्य नइ हाएत बतओलन्हि अछि।‘माओवादी हतियारसहित सत्तामे जएबाक खोजि रहलमुद्बा इ कदापी सम्भव नइ अछि गच्छदार बतओलन्हि । ।।।।।।।।।।।।।।।।।
काठमाडौंस्थित त्रिभुबन अन्तराष्ट्रिय विमानस्थलसँ एकटा पाकिस्तानी नागरिकके अवैध रुपमे विदेश लऽजाए लागल बाजसहितपुलिस गिरफ्तार कएलक अछि।
कतार एयरबेजके विमानसँ कतार जाएके तैयारीमे रहल गुलम अब्बासके बाज सहित राति १० बजे गिरफ्तार कएलक अछि।अब्बासके सगसँ १०वटा बाज बरामद भेल विमानस्थल पुलिस जनओलक अछि।
विमानस्थल पुलिस अब्बासके गौशाला प्रहरी प्रभागके जिम्मा लगाओलगेल बुझबामे आएल अछि। ।।।।।।।।।।।।
निर्मलबस्ती-५ क ४० वर्षीय कान्छा पाख्रीनके जङ्गली हात्तीक आक्रमणसँ मृत्यु भेल अछि।वितल राति जङ्गली हात्ती गाउँमे पैस कऽ आतङ्क मचओलाक बाद हातीके भगाबए गेल समय कान्छाके खेगाइर कऽ मारने पुलिस जनओलक अछि।
हात्तीक आक्रमणसँ ओहि गामक सीताराम लामा घायल भेल अछि ।एहिबीच झापामे धसनामे पिचा कऽ एकटा किशोरके मत्यु भेल अछि।
जिल्लाक चकचकी गाम विकास समिति-७ मे अवस्थित प्रगति ईंटाभट्टा माइटकलेल खनने गढामे धसना खसलासँ बिमल रायके ६ वर्षीय वेटा चन्दन रायके मृत्यु भेल अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।। व्यवस्थापिका संसदक विशेष अधिवेशन बजाबक पहल शुरू कएने एकीकृत नेकपा माओवादी आइ संविधानसभाक छोट दलसभसँग विमर्श करए लागल अछि।
विशेष अधिवेशनकलेल परामर्श करक उद्देश्यसँ माओवादी छोट दलसभसँग विमर्श करए लागल अछि।छोट दलसभसँग बेरूपहर विमर्श हएत प्रवक्ता दिनानाथ शर्मा जानकारी देलन्हि अछि।
माओवादी विशेष अधिवेशनकलेल अपन सभासदसभक हस्ताक्षर सङ्कलन अभियान सुरु कऽचुकल अछो। सरकार संसदक अधिवेशन बजाबएसँ पहिने दलसभबीच सहमति हैवाक चाही अडान राखि रहल समय माओवादी विशेष अधिवेशनकलेल पहल शुरू कएने अछि।
व्यवस्थापिका संसदमे रहल एक चौथाई सभासद् लिखित आहृवान कएलक तऽ विशेष अधिवेशन बजाबए पडत संवैधानिक व्यवस्था रहल अछि।एहिबीच नेपाली काङ्ग्रेस जबर्जस्ती विशेष अधिवेशन बजाबक कोनो अर्थ नइ रहल बता चुकल अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नेपाल आयल निगम पेट्रोलियम पदार्थमे कएने मुल्य वृद्धि तत्काल फिर्ता लेबाक माग करैत उपभोक्ता हकहित संरक्षण मञ्च सरोकारवाला सभ निकायमे आइ ज्ञापन पत्र वुझाबए लागल अछि। मञ्च बेरूपहर साढे १ वजे आयल निगम सञ्चालक समितिक अध्यक्ष एवं वाणिज्य तथा आपुर्ति मन्त्रालयक सचिवके मुल्य वृद्धि फिर्ता लेबाक दवाव दैत ज्ञापन पत्र वुझाबए लागल अछि।तहिना मुल्यवृद्धिक विरोधमे सभासदसभक एकटा टोलि आयल निगम तथा आपुर्ति मन्त्रालयक अधिकारीसभसँग विमर्श कऽरहल अछि।
नेपाली काङग्रेसक सभासद नविन्द्र राज जोशीक नेतृत्वमे गेल टोलि मुल्य वृद्धिक विषयमे आयल निगम आ आपुर्ति मन्त्रालयक अधिकारीसभसँग विमर्श हएत बुझबामे आएल अछि।
पेट्रोलियम पदार्थक मूल्यबृद्धिक विरोधमे प्रदर्शनमे उत्रल विद्यार्थीसभ आइ भोरे चाबहिलके मित्रपार्कमे एकटा सरकारी गाडीमे आगजनी कएलक अछि।पशुपति क्याम्पसक विद्यार्थीसभ बा १ झ ३४१ नम्बरक गाडीमे आगजनी कएलक अछि। गाडी पूर्णरुपमे क्षतिग्रस्त भेल भेल अछि।
पुलिस आ विद्यार्थीसभबीच झडप भेलाक पश्चात मित्रपार्क क्षेत्र तनावग्रस्त अछि। विद्यार्थीक प्रदर्शनसँ मित्रपार्कसहित, चाबहिल आ गौशाला आसपासक क्षेत्रमे सवारी आवागमन ठप्प अछि । विद्यार्थीसभ पेट्रोलियम पदार्थक मूल्यबृद्धि फिर्ताक माग करैत सरकारविरुद्ध नाराबाजी कएलक अछि।
नेपाल आयल निगम काँल्हि खाना बनाबएबला ग्याँसमे प्रतिसिलिण्डर ७५ तथा पेट्रोल, डिजेल आ मट्टीतेलमे प्रतिलिटर ३/३ रुपैयाँक दरसँ मूल्य बृद्धि कएने छल।एहिबीच पेट्रोलियम पदार्थक मूल्य बृद्धिक विरोधमे त्रिभुवन बहुमुखी क्याम्पस पाल्पा, तानसेनक विद्यार्थीसभ विरोधस्वरुप आइ भोरे आधाघण्टा चक्काजाम कएने छल।
भोरे साढे ८ बजेसँ ९ बजेधरि चक्काजाम कएने छल। चक्काजाम पश्ढात कोणसभामे बजैत नेविसंघ पाल्पाक अध्यक्ष केशवराज बस्याल सहितक मूल्य बृद्धि तत्काल फिर्ता नइ भेल तऽ कडा आन्दोलन करब चेतावनी देलन्हि अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
महोत्तरी जिलाक निगौलमे मोटरसाइकल दुर्घटनामे परि १ गोटे गम्भीर घायल भेल अछि।
घायल होवएबलामे निगौल ३ रहनियार ४० बर्षीय रसीलाल महतो रहल अछि।महतोके इलाज स्थानीय स्तरमे सम्भव नइ भेलाक बाद आगुक इलाजकलेल धरान रेफर कएलगेल जिला प्रहरी कार्यलय महोत्तरीके उद्बत करैत सहकर्मी नागेन्द्र कर्ण जानकारी देलन्हि अछि।
निगौलसँ बर्दिवास जाऽरहल बा १८ प ११०६ नम्बरक मोटरसाकल वितल राति महतोके ठक्कर दऽकऽ घायल बनओने अछि।ठक्कर देबएबला चालक आ मोटरसाइकल पुलिसक नियन्त्रणमे रहल अछि। ।।।।।।।।।।
दरमाहा तथा सेवा बृद्धिक माग करैत आन्दोलनमे उत्रल चितवन सौराहाक माउतेसभ आइ हातमे कारीपट्टि बाँनि कऽ काज कएलक अछि।आइसँ तीन दिनधरि हातमे कारीपट्टि बाँनि कऽ काम करब माउते संघ सौराहाक अध्यक्ष सुकदेब कुमाल जानकारी देलन्हि अछि।
माग पूरा नइ भेल तऽ थप कडा आन्दोलनक कार्यक्रम सार्बजनिक करब ओसभ चेतावनी देलक अछि।२ बर्ष आगुसँ वेर वेर दरमाहा तथा सुबिधा बृद्धिक माग करैत आन्दोलन करैत आएल माउतेसभ एहिसँ आगा काँल्हि आ सौराहामे चक्काजाम कएने छल। सौराहामे ४३ टा नीजि हात्तीसभ अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।
नेपाली काङ्ग्रेसक नेता शेरबहादुर देउवा माओवादी जनविद्रोह आ सत्ता कब्जाक करक बात हास्यास्पद रहल बतओलन्हि अछि।
नेपाल प्रेस युनियन चितवन आइ भोरे नारायणगढमे आयोजना कएने पत्रकार सम्मेलनमे नेता देउवा लोकतान्त्रिक देशमे सत्ताकब्जा आ बिद्रोह सम्भब नइ हाएत टिप्पणी कएलन्हि अछि।
‘ओ माओवादीके हतियारक दम्भ छोडक सेहो सुझाव देलन्हि अछि।
शान्ति प्रकृया आ संबिधान लेखनके काज सहमतिसँ मात्र संभव रहल कहैत ओ शान्ति प्रकृया आ संबिधान लेखनक काज जटिल भेलाक कारण देरी भेलमे अन्यथा नइ लेबाक धारणा रखलन्हि अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।
एकीकृत नेकपा माओवादी भारतसँगके सम्बन्ध सुधार करयके रणनीतिमे लागल अछि ।
अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड माओवादी भारतसँग सम्बन्ध सुधार केने जान चाहने आ ओइके लेल परामर्शके तयारीमे रहल बतओलनि । प्रचण्ड माओवादी भारतीय नेतासबसँग परामर्श कक सम्बन्ध सुधार करब बतओलनि अछि ।
माओवादी विस्तारित बैसारके बाद भारत माओवादीप्रति कुन दृष्टिकोणस देखरहल अछि बिषयमे अध्यक्ष प्रचण्डके जानकारी कराओल गेल छल ।
प्रचण्ड अपने भारत भ्रमण कक नेतासबसँग परामर्श करबाक सोचमे रहल सेहो बतओलनि । भारतस उच्चस्तरके टोली नेपाल आबिक माओवादीसँग विशेष परामर्श करबाक सोचमे रहल बताओलगेल अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
जनयुद्ध, बहुलवाद आ आत्मनिर्णयके अधिकारके विषयमे दलसबबीच विवाद भेलाबाद आइ बैसल उच्चस्तरीय कार्यदलक बैसार विनानिष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।
संवैधानिक समितिके विवादित विषयके निश्कर्षमे पहुँचाबय भिन्सर सिंहदरबारमे उच्चस्तरीय कार्यदलके बैसार बैसल छल ।
बैसारके बाद एकीकृत नेकपा माओवादीक नेता देब गुरुङ नयाँ संविधानके प्रस्तावनाके ७ टा अनुच्छेदमेस ३ मे रहल जनयुद्ध, ६ मे रहल बहुलवाद आ अनुच्छेद ७ मे रहल आत्मनिर्णयके अधिकारके शब्दमे सहमति होबय नै सकल जानकारी देलनि । दलसब अनुच्छेद ७ मे रहल आत्मनिर्णयके अधिकारमे ब्याख्या आवश्यक रहल बतओलाकबाद सहमति होबय नै सकल नेता गुरुङ बतओलनि । आरो सब बिषयमे सहमति भेल हुनक कहब छल ।
अहिना, माओवादी प्रस्तावनामे ‘जनयुद्ध’ शब्द उल्लेख होबयके अडान रखने अछि त अन्य दल ‘जनयुद्ध’के सट्टा ‘सशस्त्र संघर्ष’ उल्लेख होबय परबाक बतबैत आएल अछि । तहिना, माओवादी बहुलवाद एकटा सिद्धान्त मात्र रहलास ओइ शब्दके प्रस्तावनामे राखल जाएत त आरो वाद सेहो उल्लेख होबय परबाक अडान रखने अछि ।
९६ टा विवादित विषय रहल संवैधानिक समितिके प्रस्तावनामे मात्रै ४७ टा बुँदामे असहमति रहल अछि । संवैधानिक समितिके मस्यौदामे काल्हिस कार्यदलमे परामर्श सुरु भेल छल ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
चर्चित वेभसाइट विकिलिक्सके संस्थापक जुलियन असान्जके स्वीजरल्याण्डमे रहल खाता रोक्का कायल गेल अछि ।
हुनक नाममे रहल ३१ हजार युरो स्वीजरल्याण्डके पोस्ट फाइनान्स वैंक रोक्का केलक अछि । पुरान डोमन बन्द केने विकिलिक्स अपन नयाँ साइट स्वीजरल्याण्डेस सँचालन केने छल ।
अमेरिकी गोप्य दस्तावेज सार्वजनिक कक चर्चामे रहल विकिलिक्स लाखौँ पृष्ठके विवरणसब छापिचुकल अछि । आरो गोप्य दस्तावेज सेहो सार्वजनिक करबाक तयारीमे लागल विकिलिक्स जनओलक अछि ।
अहिबिच, विकिलिक्सके संस्थापक असान्जके अमेरिका गिरफ्तार करय जारी केने वारेन्ट वेलायती अधिकारीलग पहुँचल अछि । असान्जके गिरफ्तार करय जारी कायलगेल पुर्जि काल्हि वेलायत पहुँचल बीबीसी जनओलक अछि।
।।।।।।।।।।।।।।।
चितवनके कविलास गाविस-९ ढोडेनीमे आइ बिद्युत ट्रान्सर्फमरमे आगि लगलाबाद गाउँभरि करेन्ट प्रवाह भेलास १६ गोटे घाइल भेल अछि । घाईलमेस चारि गोटेके अबस्था गम्भीर अछि ।
गम्भीर घाईलसबके इलाजक लेल भरतपुर अस्पताल पठाओलगेल अछि त आरोके कविलास स्वास्थ्य चौकीमे इलाज भरहल अछि ।भिन्सर पाँच बजे एकाएक ट्रान्सर्फमरमे आगि लगलाबाद पाँच गाउँके अधिकांश घरमे बिद्युत प्रवाह भेल छल । करेन्ट लगलाबाद स्थानियबासीसब त्रसित भेल अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

facebook Page Like

  • मनोरँजन