Monday, August 29, 2011

एमाले जिल्ला नेतृकके गोली मारिकऽ हत्या


१२ भादव, काठमाडौँ । एमाले बर्दिया जिल्ला कमिटी सदस्य इन्दिरा भुसालके अज्ञात समूह गोली मारि कऽ  हत्या केलक अछि ।

अपने घरमे बैसल समय ३ गोटेके संख्यामे आएल अज्ञात हतियारधारी भुसालके गोली मारि कऽ हत्या केने पुलिस जनौलक अछि । जिल्लामे लोकप्रिय नेतृके छवि बनौने ३५ वर्षक भुसालके हतियारधारीसब घरके आरो सदस्यके घर भितरे बन्द कऽक हुनका गोली मारने बर्दिया पुलिस बतौलक अछि ।

बर्दिया प्रहरीके नायव निरीक्षक टोपबहादुर खत्री अपहरणके खबर पबिते पुलिसक टोली घटनास्थल पहुँचला पर हत्या भऽ चुकल बतौलनि । हत्याराके खोजीकार्य तीव्र बनाओलगेल पुलिस बतौलक अछि ।

आयरिनके तबाहीमे २१ गोटेके मृत्यु


अमरीका , भादव १२ । अमरीकाके पूर्वी तट पऽ आएल तुफानमे अखनधरि २१ गोटेके मृत्यु भेल अछि । ओ तुफान आब क्यानाडाके दिस बढिरहल एक अधिकारी जानकारी देलक अछि ।

कतेकौ क्षेत्रमे तुफानके कारण आएल बाढिके पानि भरल अछि तऽ करिब ५ लाख घरमे बिजुलीके लाइन अबरुद्ध भेल अछि ।

अधिकारीके आशंकाके विपरीत तूफ़ान  न्यूयॉर्कमे कम प्रभाव देखौने अछि । आशंका छल जे तूफान शहरके बहुत भयंकर नोक्सान पहुंचा सकैत अछि । शहरस निकालल गेल करिब तीन लाख गोटेके अपन अपन घरमे घुरयके अनुमति देल गेल अछि ।

गद्दाफ़ी के गृह नगर पऽ हमला


लिबिया, भादव १२ ।  लीबियामें गद्दाफ़ी समर्थक सेनाके अन्तिम पैघ गढ़ मानल जाएबला सिरते कस्बे पऽ विद्रोही नैटोके मददस हमला केलक अछि ।

सँचारकर्मीसँग बात करैत विद्रोही अगिला किछुए दिनमे सिरते पऽ कब्जा करयके बात बतौलक अछि ।

एक विद्रोही नेताके कहब अछि जे कबाइली नेतृत्व शायद आत्मसमर्पण करय चाहि रहल अछि मुदा ओतयके सेना ओना करय नहि दऽरहल अछि । सिरते गद्दाफ़ीके गृह नगर अछि मुदा गद्दाफ़ी ओतय नुकाएल अछि या नहि बिषयमे बिद्रोही अखन अनभिज्ञ अछि ।

प्लास्टिक गोदामम अगिलगि¸ ५० लाखसँ बेसीके क्षति


चितवन, भादव १२ । चितवनके नारायणगढ लायन्सचोक स्थित एक प्लास्टिक गोदाममे भेल अगिलगिसँ  ५० लाख मोल बराबरके क्षति भेल अछि ।

आइ भिन्सर करिब पौने ८ बजे एकाएक गोदाममे आगि लागल छल । भरतपुर नगरपालिकाके दमकल, नेपाल प्रहरी, शस्त्र प्रहरी, नेपाली सेना तथा स्थानीयबासीके प्रयासकबाद आगि नियन्त्रणमे आएल जनाओलगेल अछि ।

प्लास्टिक व्यवसायी संघ प्रयोग करैत आएल गोदाममे आगि लागल वडा प्रहरी कार्यालय नारायणगढ जनौलक अछि । गोदाममे राखल संम्पूर्ण प्लास्टिक जन्य सामानसब काज नहि लागल जका क्षति पहुँचल अछि । गोदाममे आगि लागयके  कारणबारे पुलिस अनुशन्धान कऽरहल अछि ।

लिम्बुवानके आमहड्तालक प्रभाव


संखुवासभा, भादव १२ । संघीय लिम्बुवान राज्य परिषद आह्वान केने आमहड्तालक कारण अरुण पूर्र्वके ९ जिल्लामे पूर्ण रुपमे प्रभाव परल अछि ।

परिषदक बन्दक कारण आइ भिन्सरेसँ सँखुवासभाके सदरमुकाम खाँदबारी, मानेभन्ज्याङ्ग, तुम्लिङ्गटार सहितक स्थानके दोकान, शिक्षण संस्था, उद्योग, यातायातके साधनसब पूर्ण रुपमे बन्द रहल अछि । परिषद अरुण पूर्वके ९ जिल्लाके लिम्बुवान स्वायत्तराज्य घोषणा करयके, लिम्बुवानके हरेक निकायमे सब जातिसबके समेटय जातिय समानुपातिक प्रतिनीधिके व्यवस्था करयके, लिम्बुवान स्वायत्त राज्यके अलग नहि करयके, आई एल ओ १६९ लागु करय सहितक माँग रखैत ३ दिना आमहडतालके आह्वान केने अछि ।

सर्लाहीके पर्सामे अगिलगि, लाखौं रुपैँयाके क्षति


सर्लाही, भादव १२ ।  सर्लाहीके पूर्वी क्षेत्रमे रहल पर्सा गाबिसमे बितलराति अगिलगि भेलास लाखौ रुपैयाके क्षति भेल अछि ।

पर्सा गाबिस ९ के अनिलप्रसाद यादवके काठके दु तला घरमे लागल आगिमे परि २ टा बरद, एक महिष , ६ टा खसी बकरी जरि कऽ मरल अछि । घरमे रहल आरो सरसमानसब जरि कऽ छाउर भेल पीडित यादव बतौलनि अछि । पक्की घरमे अपन परिवारके साथ सब सदस्यसब सुतैत अएलासँ मानवीय क्षति नहि भेल यादव जानकारी देलनि । घरमे कियो  पेट्रोल छिट कऽ आगि लगौने यादवक दाबी अछि ।

पुलिस  तथा स्थानियबासीके सहयोगमे ४ घण्टाके प्रयासक बाद आगिके नियन्त्रणमे लेलगेल प्रहरी सहायक निरीक्षक मनोजकुमार यादव जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई आ गृहमन्त्री गच्छदारद्धारा शपथ ग्रहण


१२ भादौ, काठमाडौँ ।
नवनिर्वाचित प्रधानमन्त्री डाक्टर बाबुराम भट्टराई आइ शपथग्रहण केलनि अछि । 

राष्ट्रपति भवन शीतलनिवासमे आयोजना कएलगेल विशेष समारोहमे राष्ट्रपति डा रामवरण यादव प्रधानमन्त्री भट्टराईके पद तथा गोपनीयताके शपथ करौलनि अछि । सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङ संसदसँ डाक्टर बाबुराम भट्टराई प्रधानमन्त्री पदमे निर्वाचित भेल राष्ट्रपतिके काल्हिए जानकारी करौने छलथि । संसदमा काल्हि भेल चुनावमे भट्टराई ३ सय ४० मत प्राप्त करैत देशके ३५ हम् प्रधानमन्त्री चुनाएल छथि ।

अहिबीच नवनिर्वाचित प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भट्टराई उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदारके पद तथा गोपनीयताके शपथ खुवौलनि अछि । एकीकृत माओवादी आ संयुक्त मधेसी लोकतान्त्रिक मोर्चाबीच भेल सहमति अनुसार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष गच्छदारके उपप्रधान तथा गृहमन्त्रीमे नियुक्त कएलगेल अछि ।

शपथ ग्रहण समारोहमे उपराष्ट्रपति, पूर्व प्रधानमन्त्री, प्रधानन्यायाधीश, संविधानसभा अध्यक्ष, संवैधानिक निकायके प्रमुखसब, प्रधान सेनापति, नेपालमे रहल कुटनीतिक नियोगक प्रमुखसबहक उपस्थिति छल ।

नवनियुक्त प्रधानमन्त्रीके बधाई सन्देश ।।

अहि क्रममे प्रधानमन्त्रीमे नियुक्त भेलाबाद डा.बाबुराम भट्टराईके जापान सरकार हार्दिक बधाई तथा शुभकामना देलक अछि । जापान सरकारक दिससँ  राजधानीमे रहल राजदूत जारी केने वक्तव्यमे प्रधानमन्त्री भट्टराईके नेतृत्वमे रहल सरकार नेपालके शान्ति तथा संविधान निर्माणके जारी प्रक्रियाके निस्कर्षमे पहुँचाबयके विश्वास व्यक्त कएलगेल अछि ।

भारतीय प्रधानमन्त्री डा. मनमोहन सिंह नवनियुक्त प्रधानमन्त्री भट्टराईके काल्हिए बधाई दऽचुकल छथि । डा भट्टराईके कार्यकालमे दु पडोसी देशके सम्बन्ध आओर समधुर होबयके आशा केने प्रधानमन्त्री सिंह व्यक्त कएलनि अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन