Monday, November 07, 2011

अपनी टीमके पुनर्गठन करत अन्ना हज़ारे


२१ कातिक भारत । जनलोकपाल विधेयकके लेल आंदोलन कऽ रहल सामाजिक कार्यकर्ता अन्ना हज़ारे  अपन 'कोर कमेटी' के पुनर्गठन करयके योजना बना रहल छथि ।

दिल्लीसँ अपन गाँव रालेगण सिद्धि पहुँचल अन्ना हज़ारे  पत्रकारसबसँ भेल बातचीतमें कहलनि जे ओ अपन टीममें धार्मिक अल्पसंख्यक, दलित, जनजाति लोग आ युवाके प्रतिनिधित्व दऽ क भ्रष्टाचारके बिरुद्ध अपन आंदोलनके मज़बूत बनाबय चाहैत छथि ।
पिछले दिनों अन्ना हज़ारे की टीम के कुछ अहम सदस्यों पर गंभीर आरोप लगे थे.

अहि सदस्यमें किरण बेदी आ अरविंद केजरीवाल सेहो सहभागी छलथि। हालाँकि अन्नाके कहब छलनि जे अपन टीमके सदस्यके परेशान कएल जाऽ रहल अछि ।

केयूमे अनिश्चितकालीन तालाबन्दी


काभ्रे, कार्तिक २१ । अल्टिमेटम दऽ क माँग पत्र बुझबितो ओइके सुनुवाईमे काठमाडौं विश्वविद्यालय प्रशासन कोनो चाँखि नहि देखौने कहैत नेपाल बिद्यार्थी संघ विश्वविद्यालयमे अनिश्चितकालीन तालाबन्दी केलक अछि ।

सत्रहम् दीक्षान्त समारोहके कार्यक्रम सम्पन्न होबयसँ पहिनेही बितल रातिएसँ केयूमे अनिश्चितकालीन तालाबन्दी कएल गेल अछि ।

' अल्टिमेटम दऽ क ज्ञापन पत्र बुझबितो केयू प्रशासन कोनो सुनुवाई नहि केलासँ बाध्य भऽ कऽ तालाबन्दी करय परल नेविसंघ काठमाडौं विश्वविद्यालय केन्द्रीय समितिक सभापति विनायकराज पाण्डे बतौलनि' आबो तालाबन्दीके बेवास्ता करय चाहत तऽ नेविसंघक सम्पूर्ण शक्ति एकृकित कऽ भौतिक कारबाहीमे उतरय बाध्य हाएब कहलनि ।'

विश्वविद्यालय परिसर भितर नेविसंघक केन्द्रीय सदस्य अर्जुन थापा उपर भेल हातपातक छानबिन कऽ अराजक गतिबिधि करयबला उपर कारबाही करयके, पूर्व सहमति अनुरुप बिद्यार्थीके कार्यक्रम करय पाबयके, नव आगन्तुक बिद्यार्थीसँ ग्रयान्ड ओएलकमके नाममे मनमानी ढङ्गसँ उठाओलगेल शुल्क फिर्ता करय सहितक १५ बुँदे मागसब रहल अछि ।

तालाबन्दीसँ विश्वविद्यालयमे अध्ययनरत करिब ८ हजार बिद्यार्थीके पठनपाठनमे अवरोध पहुँचल अछि ।

राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बिना शान्ति आ संविधान अधुराः यादव


सप्तरी, कार्तिक २१ । मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव किछ दिन आगु मुख्य दलसबबीच भेल सातबुँदे सम्झौतासँ सेहो देशमे लम्बा शान्ति कायम होबय नहि सकत बतौलनि अछि ।

मधेसी जनअधिकार फोरम नेपाल सप्तरी आइ  राजविराजमे आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमे अध्यक्ष यादव सातबुँदे सहमतिमे माओवादी सेनाक सम्बन्धमे कएलगेल निर्णय अधुरा रहलासँ भविष्यमे सेहो द्वन्द्वके सम्भावना कायमे रहल बतौलनि ।

अध्यक्ष यादव कहलनि, ‘सातबुँदे सम्झौतामे सुरक्षा क्षेत्रके समावेशी बनाबयके आ समय सापेक्ष परिवर्तन करयके सवालके सेहो नजर अन्दाज कएलगेल अछि । ओइसँ द्वन्द्वके सम्भावनाके जीवित रखने अछि ।

ओ सम्झौता करयबला मुख्य दलक नेतासब इमान्दार नहि रहलासँ दलसबबीच पछिलाबेर भेल सम्झौता कार्यान्वयन होबयमे आशंका रहल बतौलनि ।

वर्तमान सरकार सेहो शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणके काम पूरा करय नहि सकत दाबी करैत यादव राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बिना शान्ति आ संविधानक काम पूरा होबय नहि सकत बतौलनि अछि ।

गृह मन्त्रालय श्वेतपत्र जारी करत गृहमन्त्रीके कहब


काठमाडौ, कार्तिक २१ । गृहमन्त्री विजय गच्छदार एक हप्ता भित्रे गृह मन्त्रालय सुरक्षा कार्यक्रम सहितक श्वेत पत्र जारी करत बतौलनि अछि । ओ  श्वेत पत्र जारी भेलाबाद जनताके देखयमे आबय जका शान्ति सुरक्षामे सुधार आओत दावी कएलनि ।

सुनसरीके तरहरामे सञ्चारकर्मीसब बात करैत ओ तराईके जिल्लामे पहिलेसँ बेसी क्रमिक ढंगसँ सुरक्षामे सुधार आएल बतौलनि । 'पहिने १ सय ९ भूमिगत संगठन पहिचान कएलगेलमे अखन अधिकांश आत्मसमर्पण या कानूनी कारवाहीमे परि चुकल अछि कहैत ओ 'अखन डेढ दर्जन सशस्त्र समूह मात्रे सक्रिय रहल खुलासा कएलनि । ओकरासबके राजनीतिक वार्ताके माध्यमसँ शान्ति प्रक्रियामे लाबयके प्रयास भऽ रहल ओ बतौलनि ।'


शान्ति प्रक्रिया पुरा नहि करत तऽ माओवादी समाप्त हाएतः ओली


नेपालगन्ज, कार्तिक २१ । नेकपा एमालेक प्रभावशाली नेता केपी शर्मा ओली शान्ति प्रक्रियाप्रति इमान्दार नहि भेल तऽ माओवादी समाप्त हाएत बतौलनि अछि ।

विनासके बाटमे जाएके या शान्ति प्रक्रियामे इमान्दार होबयके दु बिकल्प रहल उल्लेख करैत ओ समाप्त होबयसँ बचय लेल शान्ति प्रक्रियाके सफल बनाबयके बिकल्प नहि रहल  बतौलनि ।

कार्यकर्ताके लम्बा समयधरि भ्रममे रखलासँ माओवादीभितर बिरोध आ विद्रोहके आवाज उठल बतबैत एमाले नेता ओली कहलनि ,-'सरस्वती पुजा करय लेल बनौने मुर्ति जका माओवादीके जनयुद्ध सेरा चुकल अछि ।' तीन बर्ष आगुए सोझराएल शान्ति प्रक्रियाके माओवादीसँ लडाकुके पैसाके मोटरी हथियाब ऽ लम्ब्यौने ओ आरोप लगौलनि । जनयुद्धके तयारी कहैत लडाकुके नाममे पार्टी पैसा हथियौलासँ अपने खनल खद्यामे परयके डरसँ प्रक्रियाके लम्ब्यौने हुनक कहब छलनि ।

इनरवा-झुम्का सडक खण्डमे भेल दुर्घटनामे ६ गोटेके मृत्यु


२१ कात्तिक, विराटनगर ।  पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत इनरवा-झुम्का सडक खण्डमे आइ भिन्सर भेल सवारी दुर्घटनामे ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ दुर्घटनामे अन्य १० गोटे गम्भीर घाइल भेल अछि ।

इटहरीसँ इनरुवा दिस आबिरहल  ना ३ ख ३१४१ नम्बरक बस आ विराटनगर जाऽ रहल को १ झ ९३० नम्बरक मरुती भ्यान मधेश ४ स्थित तितिवना नामक स्थानमे एक आपसमे ठोकरा कऽ दुर्घटना भेलासँ ४ गोटेके घटनास्थलेमे आ एक गोटेके इलाजक लेल अस्पताल लऽ जाइत काल बाटेमे मृत्यु भेल अछि ।

दुर्घटनामे परि मृत्यु होबयबलामे मधेश ५ के ६७ बर्षक विरबहादुर कटुवाल, रत्नबहादुर बिष्ट, डम्बर कुमारी कार्की, सुनसरी भासी ३ के रजिया मल्लिक आ दुर्गा खत्री रहल अछि तऽ एक गोटेके सनाखत होबय नहि सकल अछि । घाइल मेसँ ५ गोटेके विराटनगरमे, २ गोटेके धरानमे आ अन्यके स्थानीय अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि ।

पूर्वाञ्चलस्तरीय सुरक्षा भेला सुनसरीमे


२१ कात्तिक, काठमाडौँ । गृह मन्त्रालयक आयोजनाम पूर्वाञ्चलस्तरीय सुरक्षा भेला आ सुनसरीम भऽ रहल अछि । भेलाक उदघाटन उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्री विजयकुमार गच्छदारके करबाक कार्यक्रम छन्हि

भेला पूर्वीपहाडी तथा तराईक जिल्लासबमे सशस्त्र गतिविधि कऽ रहल भूमिगत समूह विरुद्ध राणनीति बनाबयके विषयम केन्द्रित रह बताओल गेल अछि अहिना सीमावर्ती क्षेत्रसबमे होबयबला भारतीय अपराधीसबहक गतिविधि नियन्त्रण तथा सीमा विवादक विषयमे सेहो बिमर्श हाएत गृह मन्त्रालय जनौलक अछि

भेलाम नेपाल सरकार घोषणा केने तत्काल राहत सुधार कार्यक्रमक कार्यान्वयन अनुगमनक विषयम समेत बिमर्श हाएत बताओल गेल अछि । भेलाम गृहसचिव सुशीलजंग राणा, नेपाल प्रहरीक कार्यवाहक महानिरीक्षक नरेश गुरुङ, कार्यवाहक सशस्त्र प्रहरी महानिरीक्षक कोषराज न्त, राष्ट्रिय अनुसन्धान विभागक निमित्त मुख्य अनुसन्धान अधिकृत जितबहादुर केसी, क्षेत्रीय प्रशासक, पूर्वक्षेत्रीय प्रहरी कार्यालयक प्रमुख, पूर्वाञ्चलक १६ हु जिल्लाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी, जिल्लास्थित नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी राष्ट्रिय अनुसन्धान विभागक प्रमुखसबहक सहभागिता रह

भेलाम जिल्लास्थित सुरक्षा प्रमुखसब जिल्लाक सुरक्षाक वस्तुस्थिति भावी रणनीतिक बारेम रिपोर्ट पेश करत वायह रिपोर्टक आधारम भावी सुरक्षा रणनीति बनाओल जाएत बताओल गेल अछि अहिसँ आगु मध्यमाञ्चल क्षेत्रीय सुरक्षा भेला बितल १७ कात्तिकम वीरगञ्जम ेल छल

मिस वर्ल्ड





मिस वर्ल्ड भेनेजुएला इभियान सार्कोस आ मिस इन्टरनेशनलके उपाधी इक्वेडरके

facebook Page Like

  • मनोरँजन