Sunday, December 25, 2011

बस दुर्घटना भेलासँ ३२ सँ बेसी गोटे यात्रु घाइल


१० पुष चितवन। चितवनके  दारेचोक ९ फिस्लिङमे आइ भिन्सर एकटा बस दुर्घटना भेलासँ ३२ सँ बेसी गोटे  यात्रु घाइल भेल अछि ।

धनगढीसँ काठमाडौ जाऽ रहल ना ४ ख ४४२८ नम्वरक बस आइ भिन्सर अनियन्त्रित भऽ फिस्लिङसँ १० मिटर निचा खसलासँ दुर्घटना भेल अछि । घाईल भेल सबके स्थानिय मेडिकलमे इलाज भऽ रहल  पुलिस जनौलक अछि ।

बस चालक फरार रहलासँ खोजी कार्य जारी रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन जनौलक अछि ।

सुरक्षाक माँग करैत आइ सब सोनक दोकान बन्द


काठमाडौ, पुस १० । सुनचाँदी व्यवसायी उपर सृखँलाबद्ध रुपमे भेल आक्रमणके विरोधमे व्यवसायीसब आइ देशभरिके सोनचाँदी दोकान बन्द करयके निर्णय केने अछि । सुनचादी ब्यावसायी संघ सोनचादी व्यवसायी उपर बेर बेर आक्रमण भेल कहैत सुरक्षाक माँग करैत एहन निर्णय केलक अछि ।

शुक्रके राति राजधानीमे कपनके व्यवसायी हर्कबहादुर दियालीके दोकानेमे  हत्या कएलगेल छल । 'एहन घटनासँ सब ब्यावसायीमे स्तब्धके सँगे डर, त्रास आ आतंकके स्थिती सिर्जना केने अछि,' संघक महासचिव मणिरत्न शाक्यके उद्धत करैत जारी विज्ञप्तिमे उल्लेख अछि, '

संघ एहन घटनामे संलग्नके पत्ता लगा कारवाही करय सरकारसंग माँग केने अछि । व्यवसायी सुरक्षाके माँग करैत प्रधानमन्त्री आ गृहमन्त्रीके ज्ञापनपत्र बुझाओत जनौलक अछि ।

खम्बुवानद्वारा चन्दा आतँक


खोटाङ, पुस १० । खम्बुवान राष्ट्रिय मोर्चा खोटाङ जिल्लाके प्रत्येक गाविस सचिवके धम्की सहितक पत्र पठा कऽ  चन्दा माँगय शुरु केलक अछि । खम्बुवान राज्य प्राप्तिके लेल पार्टी सञ्चालन, प्रशिक्षण, सम्मेलन करय लेल चन्दा माँगलगेल खम्बुवान राष्ट्रिय मोर्चा जनौलक अछि ।

मोर्चाके जिल्ला अध्यक्ष पीके खम्वु आ सचिव जितेन खम्वु हस्ताक्षर केने पत्रमे गाउँ परिषदसँ मोर्चाके नाममे १५ हजारसँ बेसी रकम पास करा कऽ देवय कहलगेल अछि । मोर्चा पत्रमार्फत् सहयोग नहि करयबला गाविसके विकल्प खोजयके चेतावनी सेहो देलक अछि ।

खम्वुवानके खोटाङ अध्यक्ष पीके खम्वु किछ समय आगु अपन पार्टी चन्दा नहि माँगत आ अपन कार्यकर्ता मँगने भेटत तऽ  कडा कारबाही करयके प्रतिबद्धता जनौने किछुए समय नहि बितैत चन्दा माँगय लागल अछि ।

अहिसँ आगु २०६७ जेठ ४ गते खम्वुवानके तत्कालीन जिल्ला अध्यक्ष विश्वास साम्पाङ खम्बु सेहो इतिहासेमे पहिल आ अन्तिम बेरक लेल कहैत प्रत्येक गाविस सचिवसँ १५ हजारके दरसँ चन्दा मँगने छल ।

क्रिसमस पावनि धुमधासँग मनाओल जाऽ रहल


१० पुस, काठमाडौँ । आइ अक्टोबर २५ तारिख अर्थात क्रिसमस दिवस । जिसस क्राइस्ष्टके जन्म दिनके रुपमे हुनक अनुयायी तथा इसाई धर्माबलब्मीसब इ पावनि आइ धुमधासँग मनावि रहल अछि ।

पश्चिमासबहक पावनि होइतो पछिला वर्षसबमे नेपालमे सेहो इ पावनि मानयबलासबहक संख्या बढैत जाऽ रहल अछि । अहिके अवसरमे राजधानीके ठमेलमे आइ साँझ एक विशेष कार्यक्रमके आयोजना कएल जाऽ रहल अछि । 
क्रिसमसके अवसरमे इसाई धर्मावलम्बीसब गिर्जाघर तथा चर्चसबमे जम्मा भऽ प्रार्थना तथा भजन किर्तन करयके सँगहि आपसके शुख, शान्ति आ समृद्धिके कामना कऽ क शुभकामना आदानप्रदान करैत अछि ।

सरकारले अहि पावनिके अवसरमे आइ  सार्वजनिक बिदा सेहो देने अछि ।

नाइजीरियामे क़रीब ७० गोटेके मृत्यु


१० पुष नाइजीरिया। नाइजीरियाके उत्तरी इलाक़ामें सेना आ संदिग्ध इस्लामी चरमपंथीके बीच भेल भिडन्तक क्रममे क़रीब ७० गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

नाइजीरियाके सेनाध्यक्षके अनुसार दमातरु शहरके नज़दीक भेल अहि भिडन्तमे  कम सँ कम ५० गोटे बोको हरमके चरमपंथीके मृत्यु भेल अछि । अहिना अन्य झड़पके क्रममे ११ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

मृतके शवके दमातरु आ मैदुगूरीके मुर्दाघरमे राखल गेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन