Monday, July 18, 2011

सद्भावना पार्टी फुटल, संघीय सद्भावना पार्टी गठन

२ साउन, काठमाडौं । मधेश केन्द्रित दलसभमे बिभाजनके क्रम पछिलाबेर फेर निरन्तरता पओलक अछि।

राजेन्द्र महतो नेतृत्वके सदभाबना पार्टी आई बिधिबत रुपमे बिभाजित भेल अछि। ४ टा सभासद सहित अनिल झा नेतृत्वमे नँया पार्टी गठन कएलगेल अछि। नँया पार्टीक नाम संघिय सदभाबना पार्टी राखलगेल अछि।

सदभाबना पार्टीके संबिधानसभामे जम्मा ९ टा सभासद छल। नँया पार्टीमे झा , खोबाहरि राय, महेश प्रसाद यादब, आ मालाबति थारु सभासदसभ अछि। नँया पार्टीके जन्म संगहि संबिधानसभामे प्रतिनिधित्व करएबला दलसभके संख्या ३२ पंहुचल अछि। नँया दल दर्ताकलेल संबिधानसभा सचिबालयके जानकारी करा चुकल आ आईए दुपहरीयामे निर्बाचन आयोगमे जाऽ कऽ दल दर्ताके प्रकृया पुरा कएल जाएत सभासद महेश कुमार यादब जानकारी देलनि।

पार्टी फोरक षडयन्त्र कएने आरोपमे अध्यक्ष राजेन्द्र महतो किछु दिन पहिने झाके पार्टीसँ कारबाहि कऽ संबिधानसभा सदस्यसँ हटाबक प्रकृया आगा बढाबकलेल ब्यबस्थापिका संसद सचिबालयमे सिफारीस कएने छल।

असम में बाढ़ से दो लाख प्रभावित

२ साउन, ऐजेन्सी । असमके लखीमपुर आ धेमाजी ज़िलामें आएल बाढ़िके कारण करीब २ लाख लोग प्रभावित भेल अछि ।
बाढ़िके कारण कम स कम बीस हज़ार हेक्टर कृषि भूमिमें बाढ़िके पानि पैसल अछि त खेत आ खेती कएलगेल अनाजसबमे सेहो नोक्सान पहुँचल अछि ।

सरकारी टेलीविज़नके अनुसार अहिमे ४ गोटेके मृत्यु सेहो भेल अछि ।

ब्रह्मपुत्र आ ओकर सहायक नदिमे बढ़ल पानिके कारण लखीमपुर आ सोनितपुर ज़िला बेसी प्रभावित भेल अछि ।

प्रभावित इलाक़ामें राहत आ बचाव कार्य जारी रहल आ प्रभावित सबके लेल खाद्य सामग्री पहुँचाओल जा रहल बताओलगेल अछि ।

दहेज नहि लौने कहैत एक महिलाके रहस्यमय मृत्यु

२ साउन, रौतहट । दहेज नहि लौने कहैत बेर बेर  परिवारक सदस्यसबहक यातनाके शिकार बनैत आएल एक महिलाके रौतहटके चन्द्रनिगाहापुरमे एक महिलाके रहस्यमय मृत्यु भेल अछि ।

चन्द्रनिगाहापुर-५ के २१ वर्षक किरण साहके बितलराति अपने घरमे रहस्यमय मृत्यु भेल अछि । मृतकके नहिरा पक्ष ओकर हत्या कएने दाबी केलक अछि । किरणके तीन महिना आगु भारतीय फलफुल व्यापारी बुद्धि साह सँग विवाह भेलाबाद परिवारक सदस्य दहेज नहि लौने कहैत ओकरा अहिस आगु चरम शारीरिक आ मानशिक यातना दैत आएल छल ।

बितल राति खाना खा क सुतल किरणके शव दुपटासँ फँसरी लगाएल अवस्थामे आइ भिन्सर भेटल छल । स्थानीयबासी हत्याके आरोपमे मृतकके पति आ साउसके नियन्त्रणमे लेने अछि ।
अहि वर्षमे रौतहटमे १० महिलाके दहेजक कारण मृत्यु भ चुकल अछि ।

गृहकार्य नहि पहुँचल कहैत माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार फेउर स्थगित

 काठमाडौ २ साउन । पार्टीभितरके अन्तरसँघर्षक कारण लम्बा समयसँ स्थगित होइत अबितो काल्हिस सुरु भेल एकीकृत नेकपा माओवादीके केन्द्रीय समिति बैसार फेउर स्थगित भेल अछि ।
 काल्हिके बैसारमे अध्यक्ष प्रचण्ड शान्ति संविधान आ तत्कालिक रणनीति उल्लेख केने प्रतिवेदन प्रस्तुत केलाबाद आइके लेल बैसार स्थगित कएलगेल छल । भिन्सर ११ बजेके लेल तय भेल बैसार नेतासबहक आन्तरिक बिमर्शके कारण बेरियाके ३ बजेके लेल घुसकबितो अन्ततः गृहकार्य नहि पहुँचल कहैत बैसार स्थगित कएलगेल अछि ।
 बैसारमे आइसँ अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्डक प्रतिवेदन उपर बिमर्श होयबाक कार्यक्रम छल । प्रचण्डक प्रतिवेदन केन्द्रीय नेतासबहक कार्यविभाजनके विषयमे मौन रहलास आरो पक्षक नेतासब प्रतिवेदनप्रति असन्तुष्टि प्रकट केलासँ बैसार सहमतिके लेल कहैत स्थगित कएलगेल बताओलगेल अछि ।

जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा जिल्ला इन्चार्जक हत्या

पर्सा (वीरगन्ज), श्रावण २ । वीरगन्जके सीमावर्ती भारतके छौडादानोमे बितलराति एक सशस्त्र समूहक जिल्ला इन्चार्जके हत्या भेल अछि ।

 स्रोतक अनुसार जनतान्त्रिक तराई मधेस मुक्ति मोर्चाक बारा जिल्ला इन्चार्ज शम्शेर सिंह कहायबला बच्चा यादवके  दु गोटेके समूहमे आएल अज्ञात व्यक्ति गोली मारि क  हत्या केलक अछि । 

 बाराके हर्दिया निवासी यादव वितल तीन वर्षसँ सशस्त्र समूहमे छल ।

नयाँ भारतीय राजदुत अगिला सप्ताह नेपाल आओत

 काठमाडौ २ असार । नेपालक लेल नवनियूक्त भारतीय राजदुत जयन्त प्रसाद अगिला सप्ताह नेपाल आबिरहल छथि ।
 नेपालमे राजदुत रहि चुकल कुटनीतिज्ञ विमल प्रसादक सुपुत्र जयन्त प्रसाद नरम कुटनीतिज्ञके रुपमे चिन्हल जाति अछि । एम्हर, नेपालक लेल भारतीय राजदुत राकेस सुद सेहो आगामि सप्ताह भारत घुरबाक निश्चित भेल दुतावास स्रोत जानकारी देलक अछि । सुद फ्रान्सक लेल भारतीय राजदुतमे नियूक्त भ गेल छथि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन