Monday, March 28, 2011

प्रचण्ड निवासमे दाहाल-बैद्य पक्षक दिवा भोज


काठमाण्डौ, चैत १४ । पार्टी फुटके हल्लासंगै पार्टीभितरके तीनु पक्ष आरोप प्रत्यारोपमे उतैर रहल समय माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड अपना निकट आ वैद्य पक्षके नेतासभके आइ अपने निवासमे दिवा भोज देलनि अछि ।
नयाँबजारमे आयोजना भेल उच्चस्तरीय लन्च मिटिङमे उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण, महासचिव रामबहादुर थापा बादल, उपप्रधानमन्त्री कृष्णबहादुर महरा, नेत्रबिक्रम चन्द बिप्लव, बर्षमान पुन अनन्त, हरिबोल गजुरेल, शक्ति बस्नेत सहितक नेतासभ संलग्न अछि ।
दिवा भोजमे बाबुराम भट्टराई पक्षक कोनो नेतासभ सहभागी नहि छलथि । नेता आ हुनकर अंगरक्षक समेतके नयाँबजारमे भोज खाए लेल  बजाओलगेल छल ।
पछिला समयमे पार्टी संगठनमे सक्रिय रहल उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई पार्टी फुटाबय लागल कहि शसंकित भेल संस्थापन पक्ष पछिला समयमे पार्टीभितर देखलगेल परिस्थीतिबारे बिमर्श करत माओवादी उच्चस्रोत जनौलक अछि । पार्टी फुटके हल्ला चला कऽ बाबुरामके कारवाही करयके आधार तयार करय संस्थापन पक्ष लागिरहल आरोप बाबुराम पक्ष लगारहल समयमे भेल इ लन्च मिटिङके अर्थपूर्ण रुपमे लेलगेल अछि ।

सकारात्मक भूमिका निर्बाह करय सन्चारकर्मीसभ सँ राष्ट्रपतिक आग्रह


काठमाण्डौ, चैत १४ । राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव समयमे नयाँ संविधान जारी करय सकारात्मक भूमिका निर्बाहके लेल सन्चार माध्यमसभसँ आग्रह कएलनि अछि ।
फ्रिडम फोरम नेपालके राष्ट्रिय सम्मेलनके आइ भिन्सर काठमाडौंमे उदघाटन करैत राष्ट्रपति यादव जेठ १४ भितरे शान्तिप्रक्रिया आ नयाँ संविधान जारी करयके वातावरणके लेल राजनीतिक दलसबके दवाव देबय सब पक्षसँ आग्रह कएलनि । दलसभबीचक बेमेलसँ नयाँ संविधान समयमे जारी हाएतमे शंका बढल हुनक कहब छलनि ।
नागरिकके सूचना भेटयके हकके सहज बनाबय ओ सब सन्चारकर्मीके सुझाव देलनि । सब नागरिक राज्यद्वारा निर्देशित सूचना विना अवरोध पाबय उपर हुनक जोड छलनि ।
कार्यक्रममे उपप्रधान तथा सन्चारमन्त्री कृष्णबहादुर महरा अन्तरिम संविधानमे उल्लेख भेल सूचनाके हक सम्बन्धी ऐन कार्यान्वयन करयके प्रतिबद्धता जनौलनि ।
सम्मेलनमे दक्षिण एसियाके विभिन्न आठ देशक प्रतिनिधि सहभागी अछि । सम्मेलनके सहभागिसभ सूचनाके हकमे नागरिकके सहज पहुँच सम्बन्धि कार्यपत्र प्रस्तुत करत ।

दुर्गानन्द स्मारक निर्माणक सम्वन्धमे बिमर्श


जनकपुरधाम, चैत १४ । नेपालक पहिल गणतन्त्रवादी शहीद दुर्गानन्द झाकेँ जानकी मन्दिरक पार्कमे स्मारक निर्माण काज शुरु होइते विभिन्न अवरोध सभ अवि रहल समयमे स्मारक निर्माण समिति पार्केमे स्मारक निर्माण करव जनौलक अछि ।
जनकपुर नगरपालिकाक सभाकक्षमे आयोजित एक बिमर्श कार्यक्रममे निर्माण समिति सँ अवद्ध बक्तासभ स्मारक निर्माणकलेल जानकी मन्दिरक महन्थसँ सेहो समर्थन लेल गेल बतौलनि । तहिना, विभिन्न पार्टी एवं नागरिक समाजक सेहो समर्थन रहल अछि ।कार्यक्रममे अदालती प्रक्रिया सेहो आगा बढाएबके  जानकारी देलगेल ।

समारोहमे स्मारक निर्माण समितिक संयोजक राजेश्वर नेपाली, पूर्व सांसद शिवधारी यादव, पूर्व सांसद अरविन्द ठाकुर, नेपाली काँग्रेस नगर समितिक सभापति धीरेन्द्र मोहन झा, तरुण दलक केन्द्रीय सदस्य प्रफ्ल्ल राज घिमिरे सहितक बक्तासभ वाजल छलथि ।

छिनल मोवाइलक निर्णय परीक्षाक वाद करब: एसपी


जकपुरधाम, चैत १४ । एसएलसी परिक्षार्थीसभ सँ  करिब ४ सयके सँख्यामे नियन्त्रणमे लेल गेल मोवाइल फोनके  निर्णय परीक्षाक वाद करब धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक दिनेश आमात्य बतौलनि अछि ।
पुलिस नियन्त्रणमे लेने मोवाइलकेँ की कएल जायत चर्च चलिरहल समयमे धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक आमात्य परीक्षा समाप्तक बेलावाद मोवाइल सम्वन्धमे निर्णय करव जानकारी देलन्हि  
मोवाइल नियन्त्रण करयकेँ उद्देश्य परीक्षाकेँ मर्यादित बनायव मात्र रहल ताहिद्वारे नियन्त्रणमे लेल गेल प्रहरी उपरीक्षक बतौलनि ।
परीक्षा समितिमे प्रहरी उपरीक्षक अतिरिक्त प्रमुख जिल्ला अधिकारी आ जिल्ला शिक्षा अधिकारी रहल अछि । पुलिसद्वारा मोवाइल नियन्त्रणमे लेलाकवाद विद्यार्थीसभके दिक्कत महसुस भ रहल अछि । बहुतो गोटे परीक्षाकवाद मोवाइल फिर्ता करय परत मांग कऽ रहल अछि ।

प्रधानमन्त्री आ राष्ट्रसंघीय अधिकारी बीचक बिमर्श सम्पन्न


काठमाण्डौ, चैत १४ । नेपालक शान्ति प्रक्रियाक विषयमे राष्ट्रसंघीय अधिकारी आ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल बिच आइ बिमर्श भेल अछि ।
भिन्सर प्रधानमन्त्रीक सरकारी निवास बालुवाटारमे भेल बिमर्शमे अनमिनकेँ विदाइके वाद भऽ रहल शान्ति प्रक्रियाक काज आ राष्ट्र संघ कऽ सकयवला सहयोगक विषयमे बिमर्श  भेल जनाओल गेल अछि ।
राष्ट्रसंघक एशिया क्षेत्र देखयवला विकास प्रतिनिधि स्यामुएल ताम्राट आ राष्ट्रसंघक नेपाल स्थित आवासिय प्रतिनिधि रोवट पाइपर प्रधानमन्त्री खनाल सँ बिमर्श  कएने प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवलाय जनौलक अछि ।

प्रधानमन्त्री बनयकेँ हमर सपना नहि अछि: नीतीश


पटना, चैत १४ । विहारक विकास अपन जिम्मेदारी आ प्राथमिकतामे रहल कहैत मुख्य मन्त्री नीतीशकुमार अपनाके प्रधानमन्त्री बनयकेँ सपना नहि रहल बतौलन्हि अछि । ओ जनताकेँ सेवा करय चाहि रहल धारणा रखने  छलथि ।
नीतीश कहलन्हि जे अपने प्रधानमन्त्री बनयकेँ सपना नहि देख रहल छी । विहारक जनता अपनाके जिम्मेवारी दऽ रहल अछि आ ओहिके पूरा केनाइ हमर राजधर्म अछि ।
मुख्यमन्त्री नितिश रंगरेज आर्टिजन एवं अति पिछडा मुस्लिम बेदारी सम्मेलनकेँ सम्वोधन करैत कहलनि जे ओ मुख्य मन्त्री  प्रधानमन्त्री बनयकेँ सपना लम्वा समयधरि देखैत रहि जाइत अछि तऽ ओ नहिए पीएम बनय सकैत अछि आ नहिए सि एम   । ओ भविष्यमे की हैत से केउ नहि जनैत छैक कहैत आइकेँ समयमे हमरा जे काज भेटल अछि ओहिकेँ पूरा करवाक अछि । विहारक जनताकेँ सेवा करवाक अछि बतौलनि ।

माईक्रो बसमे बम बिस्फोट, एक गोटेके मृत्यु


नवलपरासी, चैत १४ । बुटवलमे बाट पर चलि रहल एकटा माईक्रो बसमे बम बिस्फोट भेलास घाइल भेल मे स एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । मृत्यु भेलके पहिचान होबय नहि सकल अछि ।
 २५-२६ वर्षक घाइल ओ पुरुषके इलाजक लेल काठमाण्डौं ल जएबाक क्रममे नवलपरासीके गैडाकोटमे पहुँचला पर हुनक मृत्यु भेल अछि । शवके अखन लुम्बिनी अँचल अस्पतालमे राखलगेल अछि । भैरहबा स बुटवल दिस जा रहल लु १ ख ३६६६ नम्बरक माईक्रोबसमे बुटवलके मिलनचोकमे विष्फोट भेल छल । विष्फोटमे परि २३ गोटे घाइल भेल अछि । घाइलसबहक बुटवल, काठमाण्डौं आ भरतपुरमे इलाज भ रहल अछि ।

एसएलसीके चारिम दिन समाजिक बिषयके परिक्षा भ रहल


काठमाण्डौ, चैत १४ । प्रवेशिका परिक्षा एसएलसी के आइ चारिम दिन विद्यार्थीसभ सामाजिक बिषयके परिक्षा द रहल अछि ।
भिन्सर ८ बजे स सुरु भेल१ परिक्षामे देशभरि स नियमित तथा एक्जाम्टेड क ४ लाख ९६ हजार  परीक्षार्थी सहभागी अछि ।  चारिम दिनके परिक्षा छिटफुट घटना बाहेक शान्तिपूर्ण रुपमे चलिरहल परिक्षा नियन्त्रण कार्यालय जनौलक अछि । याह चैत १० गते स शुरु भेल अहि बर्षक एस एल सी परिक्षा १८ गतेधरि चलत ।

भारतीय संसद टोली भेटवार्तामे


काठमाण्डौ, चैत १४ । नेपाल भ्रमणमे आएल भारतीय युवा सांसदसभहक टोली राजनीतिक भेटवार्ता जारी रखने अछि । संविधान निर्माण सङ्घीयता सहितक विषयमे अनुभव आदानप्रदान करय नेपाल आएल टोली आइ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँग भेटवार्ता क रहल अछि ।
बेरियामे प्रधानमन्त्री कार्यालय सिंहदरबारमे होबय लागल बिमर्शमे नेपालमे भ ऽरहल संविधान निर्माण आ शान्ति प्रकि्रयाके विषयमे बिमर्श हाएत । टोली काल्हि संविधानसभाक अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङसँग बिमर्श केने छल ।  भारतीय सांसदसभहक टोली विभिन्न राजनीतिक दलक नेतासभसँग सेहो बिमर्श करत ।

कांग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार आइ सेहो बैसत


काठमाण्डौ, चैत १४ । प्रमुख प्रतिपक्ष नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार आइ सेहो जारी रहयबला अछि ।
 बेरियाके एक बजेबाद पार्टी कार्यालय सानेपामे बैसय लागल बैसारमे पदाधिकारी मनोनयन भातृसंगठनके विवाद समाधानक विषयमे बिमर्श हाएत । कौल्हुका बैसारमे भ्रातृसंगठन नेपाल विद्यार्थीसंघ नेविसंघके विघठन करयके प्रस्ताव रखने छल । आइ वायह बिषय सभपर बिमर्शके आगु बढाओल जाएत कांग्रेसक नेता लक्ष्मण घिमिरि जानकारी देलनि ।
 भ्रातृसंगठनमे विवाद बढैर गेलाबाद कांग्रेस ओइके विघटनके तयारी सेहो केलक अछि । मुदा शेरबहादुर देउवा पक्ष ओइमे असन्तुष्टि जनबैत आएल अछि । केन्द्रीय सदस्यसभ ओइके धारणा रखलाबाद पारित कएल जाएत घिमिरे बतौलनि । बैसारमे आओर राजनीतिक विषयमे सेहो बिमर्श हाएत ।

राज्य पुनसँरचनाक विषयमे संवैधानिक समितिमे बिमर्श


काठमाण्डौ, चैत १४ । राज्य पुनसँरचरना सम्बन्धमे आओर बिमर्श करय संवैधानिक समितिक बैसार बैसय जा रहल अछि ।
राज्य पुनस्रंरचना आ राज्य शक्तिके बाँटफाँट समितिमे मात्रे ७८ टा विवादित विषय अछि । प्रमुख दलसभहक बीचमे प्रदेशके नामाकरण आधार आ अधिकारक विषयमे मतभेद रहल अछि ।  एकीकृत नेकपा माओवादी आ मधेसवादी दल संविधान लेखनके समय एकदमे कम भेला स राज्य पुनस्रंरचना आयोग गठन केला पर संविधान नहि बनत बतबैत आएल अछि त नेपाली काँग्रेस आयोग गठन करयके अडान रखैत आएल अछि ।
अखने किछकाल बादमे सिँहदरबारमे बैसय लागल बैसारमे आइ सेहो दलसभहक वायह अडानमे रहि क बिमर्श हाएत । बैसारमे प्रधानमन्त्री सहित सब दलक शीर्ष नेतासभहक सेहो सहभागिता रहत । सब सदस्यसभ अपन धारणा रखलाबाद निस्कर्ष निकालल जाएत । राज्य पुनसर्ंचना महत्वपूर्ण विषय भेलास बिमर्श किछदिन लम्बा हाएत बताओलगेल अछि ।

चीनके ल ऽक दुनियाभरिके देशमें बढल बेचैनी


एजेन्सी, चैत १४ । बीबीसी वर्ल्ड सर्विस दुनियाभरिमें केने  एक सर्वेक्षणके अनुसार चीनके बढ़ैत आर्थिक ताक़तके लऽ बहुतो देशके चिंता बढ़ि रहल अछि ।
सर्वेक्षणमें चीनके बढ़ैत आर्थिक ताक़तके ख़राब मानयबलाके संख्यामें बढ़ोत्तरी भेल अछि । ख़ास कऽ चीनस पैघ सँख्यामे कारोबार करयबला जी-7 देशमें ऐहन मानयबलाके संख्यामें बेसी वृद्धि भेल अछि ।
बीबीसीके लेल इ सर्वेक्षण ग्लोबस्कैन आ प्रोग्राम ऑन इंटरनेशनल पोलिसी एटीट्यूट   केने छल आ अइमे २७ देशके २८ हजार ६ सय १९ गोटे स २ दिसंबर, 2010 स ४ फ़रवरी, 2011 के बीच बातचीत भेल छल ।
इ सर्वेक्षण बतबैत अछि जे चीनके छवि अनुचित तरीका अपनाबय बलाके बनि रहल अछि । अहिस ओकरास कारोबार करयबला बड़का देश दूर भ सकैत अछि आ  सँगहि सैन्य क्षेत्रमें विस्तार पर पड़ोसी देश चौकन्ना नजर  राखिरहल अछि ।
पाकिस्तानक ६४ प्रतिशत लोग मानैत छथि जे चीनके ताक़त बढि रहल अछि । तहिना, भारतमें २००५ मे ६८ प्रतिशत मानने भारतियसभ आब ५३ प्रतिशत मात्रे मानैत छथि जे चीनके ताकत बढिरहल अछि ।
बीबीसी वर्ल्ड सर्विस  2005 में केने एक सर्वेक्षणके अनुसार चीनके आर्थिक ताक़त बढ़य पर  नहि निक मानयबलाके संख्या कनाडामे ५५, जर्मनीमे ५३ , ब्रिटेनमें ४१ , मैक्सिकोमें 43 प्रतिशत आ फ्रांसमें 31 स बढ़ि क़ऽ ५३ प्रतिशत भेल अछि ।

चीन रोकलक गूगलके जी मेल सर्विस- बिज्ञान


हॉन्गकॉन्ग, चैत १४ ।  इंटरनेट सर्च इंजिन गूगल चीन पर ओकर जी मेल सर्विसमें बाधा उत्पन्न केने  आरोप लगौलक अछि । मुदा चीन  इ आरोपके अस्विकार केलक अछि ।
चीन सरकार जी मेल सेवाके चलय नहि द रहलास बितल किछ हफ्ता स ओतय लोग जी मेल पर अपन संदेश नहि  देखय  पाबि रहल गूगलके कहब अछि । कंपनीके अनुसार चीन सरकार अहिके ऐना देखाबयके  कोशिस क रहल अछि, जेना कोनो प्रबिधिके गड़बड़ी होए , मुदा ओ ऐना  जानि बूझि क केने जनौलक अछि ।
चीनमें गूगलके जी मेल सेवाके प्रयोग करयबलासभ कंपनीसँ जीमेल में लगइन होइतो मेल देखय आ पठाबय नहि सकिरहल कहैत शिकायत केलक अछि ।
ओम्हर, चीन सरकार गूगलके अहि आरोपके अस्विकार केलक अछि । चीनके विदेश मंत्रालयके प्रवक्ता जियांग यू कहलनि जे इ आरोप सरासर गलत अछि । अहिके  कोनो हालतमें स्वीकार नहि काएल जा सकैय ।


facebook Page Like

  • मनोरँजन