Thursday, March 24, 2011

लागुऔषध कारेावारमे संलग्न तीन गोटे गिरफ्तार

बाँके , चैत १० । वाँकेके जयपुर स पुलिस आइ भिन्सर लागुऔषध कारेावारमे संलग्न तीन गोटेके गिरफ्तार केलक अछि । लागुऔषध कारोवार विरुद्धमे चलौने विशेष अप्रेशनके क्रममे ओसब ज्यसपुर स गिरफ्तार भेल पुलिस जनौलक अछि ।
गिरफ्तार होबयबलासबमे पुत्तन खाँ, जिलेदार खाँ आ भाई गिरी रहल वाँकेके प्रहरी नायव उपरीक्षक विनोद घिमिरे जानकारी देलनि । पुलिसक अनुसार गिरफ्तार भेल पुत्तन खाँ आ जिलेदार खाँ अहिस आगुए वाँके पुलिसक मोष्टवाण्टेड सुचिमे रहल ब्यक्तिसब अछि । ओकरासबके कानुन वमोजिम कारवाही हाएत प्रहरी नायव उपरीक्षक घिमिरे जानकारी देलनि । ओकरासबके एखन जिल्ला प्रहरी कार्यलय वाँकेमे राखलगेल अछि ।

डा. भट्टराई सिंगापुर जा रहल

काठमाण्डौ, चैत १० । एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टरा सिंगापुरमे आयोजना होबय लागल एक सम्मेलनमे भाग लेबय आइ ओइदिस जाए लागल छथि ।
ओ सम्मेलनके भट्टराई काल्हि सम्बोधन करताह । द्वन्द्वके बाद नेपालक राज्य पुनःसंरचनाके बारेमे भट्टराई सम्बोधन करताह बताओलगेल अछि । ‘नेपालक द्वन्द्वोत्तर पुनसंरचना, चुनौती आ सम्भावना’ बिषयमे सम्बोधन करैत भट्टराई कार्यक्रम सम्पन्न क शनिदिन स्वदेश घुरताह ।

गोली लागि एक गोटे घाइल

सिन्धुली, चैत १० । आपसी विवादमे सिन्धुलीके झाँगाझोली रातमाटामे माओवादी कार्यकर्ताबीच झगडा भेलास चलौने गोली लागि स्थानीय माओवादी कार्यकर्ता श्याम जर्घामगर गम्भीर घाईल भेल अछि ।
माओवादी कार्यकर्ता सामुहिक रुप स रहिरहल एक घरमे भेल आपसी कहाकहिके बाद संङखुवासभा घर रहल सुपथ राई, जर्घा मगर उपर गोली चलौने पुलिस जनौलक अछि । पुलिसक अनुसार मगरके पेटमे गोली लागल अछि ।
घाईल मगरके इलाजक लेल काठमाण्डू पठाओलगेल सिन्धुलीक प्रहरी नायब उपरिक्षक जनक भटराई बतौलनि अछि । प्रमुख जिल्ला अधिकारी जितेन्द्र भण्डारी घटनाक अनुशन्धान भरहल जानकारी देलनि ।

वेलायती मन्त्री नेपाल आवि रहल

काठमाण्डू चैत १० । बेलायतक प्रतिरक्षा कर्मचारी कल्याण आ भेट्रान समवन्धी मन्त्री एनड्रयु रोबथान नेपालक सात दिनक भ्रमणकलेल आइ नेपाल आवि रहल छथि ।
मन्त्री रोबथान नेपालमे रहयधरि रक्षामन्त्री बिष्णु पौडेल परराष्ट्र सचिब मदनकुमार भट्टराइ आ प्रधानसेनापति छत्रमान सिंह गुरुङ सँ भेट करयकेँ कार्यक्रम रहल बेलायती दूतावास जनौलक अछि । मन्त्री रोबथान नेपालमे रहल गोर्खा भेट्रान आ ब्रिटिस गोर्खा कार्यक्रम सम्वन्धमे जानकारी लेबयकेँ कार्यक्रम रहल अछि ।

विश्वकप क्रिकेट प्रतियोगिता अन्तर्गत आइ दोसर क्वाटरफाइनल खेल होवय लागल


अहमदावाद चैत १०। विश्वकप क्रिकेट प्रतियोगिता अन्तर्गत आइ दोसर क्वाटरफाइनल खेलमे भारत आ डिफेन्डिङ च्याम्पियन अष्ट्रेलिया बिच प्रतिष्पर्धा होवय लागल अछि ।
अहमदावादमे नेपाली समय अनुसार पौने तीन बजे शुरु होवयवला खेलमे भारत महेन्द्र सिंह धोनीकेँ नेतृत्वमे विरेन्द्र सेहवाग, सचिन तेन्दुलकर, युवराज सिंह, गौतम गम्भिर, विराट कोहली, प्युस चावला, आशविन, हरभजन सिंह, जहिर खान, आशिस नेहरा, मुनाफ पटेल, युसुफ पठान, सुरेश रैना आ श्रीशंत सहित मैदानमे उतरत ।
तहिना, अष्ट्रेलिया रिक्की पोन्टिङ्गकेँ नेतृत्वमे माइकल कलार्क, फारगुसन, हैडिन, हैसटिङ्ग, हसी, जनसन, क्रेजा, ब्रेटली, पाइने, स्मीथ, टैट, वाटसन आ ह्वाइट सहित मैदानमे उतरत ।
अहि सँ पहिने काल्हि सम्पन्न पहिल क्वाटर फाइनलमे पाकिस्तान वेष्टइन्डिजकेँ १० विकेटकेँ भाडी अन्तर सँ पराजित कएने छल ।

बैंक लुटयकेँ योजनाकार हतियार सहित गिरफ्तार

बिरगन्ज, चैत १० । जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्सा बैंक लुटयवला योजनाक साथ आएल तीन गोटेकेँ हतियार सहित गिरफ्तार कएलक अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालयकेँ अपराध नियन्त्रण विशेष टोली विरगन्ज उपमहानगरपालिका वाड नम्वर १६ तेजारथ टोल सँ आएल थ्री फिप्टी बन्दुक आ ओहिमे प्रयोग करयवला तीनटा गोली सहित तीन गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अछि ।
गिरफ्तार होबयबलासभमे बाराकेँ फत्तेपुर गाविस वाड नम्वर ४ निवासी नन्द किशोर सहनी, फत्तेपुर वाड नम्वर ७ निवासी विनोद वैद्य, वाराकेँ इनर्वा वाड नम्वर ६ निवासी हृदयनारायण यादव रहल अछि ।
तेजारथ टोलमे रहल छिमेकी विकास बैंकमे लुटयके योजनाक साथ आएल ओकरासबके सुराकीके आधारमे गिरफ्तार कएलगेल प्रहरी निरीक्षक मञ्जील मुकारुङ जानकारी देलन्हि अछि ।

क्षयरोग विरुद्धक दिवस मनाओल जा रहल


काठमाडौं, चैत १० । ‘क्षयरोगविरुद्धक अभियानमे, आबके संघर्ष एकर उन्मूलनमे’ मुख्य नारा सहित विश्व क्षयरोग विरुद्धक दिवस आइ नेपालमे सेहो विविध कार्यक्रम क मनाओल जा रहल अछि ।
सरुवा रोग भेलास क्षयरोग नेपालक प्रमुख समस्याके रुपमे रहल कहैत क्षयरोगके कारण नेपालमे प्रत्येक वर्ष ६ हजारस बेसीके मृत्यु भ रहल जनस्वास्थ्य जनौलक अछि ।
सरकारले पाँच वर्षस राष्ट्रिय क्षयरोग कार्यक्रम मार्फत् क्षयरोग विरुद्ध डट्स विधि देशभरि प्रभावकारी रुपमे सन्चालन करैत आएल अछि । चिकित्सकके प्रत्यक्ष निगरानीमे कएल जाएबला इलाज डट्स विधि अछि ।
दु हप्तास आगुस लगातार खोकी लागयके, खकारमे खुन आबयके, लटैत जाएके, खाएमे मोन नहि लागयके क्षयरोगक लक्षण अछि । क्षयरोगस बँचय धुमपान आ मध्यपान नहि करय चिकित्सकसब सल्लाह देलनि अछि ।

चिनियाँ सैन्य टोली राजनीतिक भेटवार्ता क रहल

काठमाडौं, चैत १० । नेपाल भ्रमणमे रहल चिनियाँ जनमुक्ति सेनाक टोली आइ राजनीतिक भेटवार्ता क रहल अछि । सेना प्रमुख चेन विङ्दे नेतृत्वक टोली आइ बेरियामे राष्ट्रपति, प्रधानमन्त्री आ रक्षामन्त्रीसँग अलग अलग भेटवार्ता करत नेपाली सेना जनौलक अछि ।
चिनियाँ सैन्य टोली प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल सँ अखन सिंहदरबारमा भेटघाट क रहल अछि । अहिना, बेरियाक २ बजे राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव सँ शितल निवासमे भेटबाक कार्यक्रम तय भेल अछि ।
भेटवार्तामे नेपालस होबयबला चीन विरोधी गतिविधि, आपसी हित आ चिनियाँ सैन्य सहयोगबारे बिमर्श हाएत बताओलगेल अछि । चेन नेतृत्वक सैन्य टोली नेपाल रहयके क्रममे तिब्बती शरणार्थीसबसँ होबयबला चीन विरोधी गतिविधिबारे जानकारी लेताह । चेन नेतृत्वक १५ सदस्यीय टोली काल्हि स्वदेश घुरत ।
काल्हि नेपाल आएल चेन प्रधानसेनापति छत्रमानसिंह गुरुङसँग भेटयके सँगहि नेपाली सेनाके करिब डेढ अर्ब रुपैयाँके सैन्य सहयोग सम्बन्धी सम्झौता पत्रमे हस्ताक्षर कएने छथि ।

ट्युसन सेन्टर सँ एसएलसीके प्रश्नपत्र बरामद

विराटनगर, चैत १० । मोरङके विराटनगरस्थित एक ट्युसन सेन्टर सँ एसएलसीके अंग्रेजी विषयक प्रश्नपत्र बरामद भेल अछि ।
एसएलसीके पहिल दिन आइ देशभरि अनिवार्य अंग्रेजी विषयक परीक्षा चलिरहल समयमे पुलिस विराटनगरके एक्सेल एकेडेमी ट्युसन सेन्टर सँ प्रश्नपत्र बरामद केलक अछि ।
पुलिस सन्चालक सहित १४ गोटेके गिरफ्तार केलक अछि । गिरफ्तार भेलसब उपर अनुसन्धान भऽरहल पुलिस जनौलक अछि ।

सवारी दुर्घटनामे दु गोटेके मृत्यु

काठमाडौं, चैत १० । काठमाडौं आ भक्तपुरमे भेल अलग अलग सवारी दुर्घटनामे दु गोटेके मृत्यु भेल अछि । आइ भिन्सर नयाँबजारमे सडक कातमे पार्किङ ककऽ राखल बा ४ च ९८५५ नम्बरक निजी टाटा मोवाईलमे भिन्सर पौने एक बजे बा ३६ प ९६०६ नम्बरक मोटरसाइकल ठोकराएलास २२ बर्षक मोटरसाइकल चालक अभिषेक खड्काके मृत्यु भेल अछि ।
दुर्घटनामे घाइल भेल खड्काके शिक्षण अस्पताल महाराजगन्जमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल अछि ।
अहिना, भक्तपुरके दुवाकोट २ जगगुरु इट्टा भट्टामे बा २ ख ८९४७ नम्बरक मिनि ट्रकक ठक्कर सँ वायह इट्टा भट्टामे काम करयबला काभ्रेके कुनसाङ लामाके ९ वर्षक बेटा चालसाङ लामाके मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।
दुर्घटनामे गम्भीर घाइल भेल लामाके भक्तपुर अस्पतालमे इलाजक लेल ल जाइत काल बाटेमे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।

मनोबल खसल अछि गद्दाफ़ी वायुसेनाके: पश्चिमी सेना


लिबिया, चैत १० । गद्दाफ़ी समर्थित वायुसेना थाकल अछि आ ओकरामे आब लड़यके ताकत नहि अछि लीबियामें जारी सैन्य अभियानमें शामिल ब्रिटेनके वायुसेनाके एक कमांडर बतौलनि अछि ।
ब्रिटेनके वायुसेनाके उप-मार्शल ग्रेग बैगवेल कहलनि जे पश्चिमी सेना लीबिया पर हवाई नियंत्रण केने अछि आ अंतरराष्ट्रीय सेना वायुसेनाके हराबयलेल कठोर स कठोर प्रयास क रहल अछि ।


ओ गठबंधन सेना आब लीबियामें निर्विरोध रुपस हवाई निरीक्षण क सकैत अछि बतौलनि ।
बैगवेल लीबियामें गद्दाफ़ीके सेना पर कड़ा नज़र राखल जा रहल कहैत लिबियाइ सेना आम नागरिक पर हमला क रहल जानकारी देलनि ।
अमरीकी सेनाके एक कमांडर बतौलनि जे लीबियामें आब अगिला निशाना विद्रोही पर हमला क रहल कर्नल गद्दाफ़ीके थलसेना हाएत ।

एस एल सी परिक्षा आई सँ देशभरि शुरु

जनकपुर, चैत १० । बिद्धार्थीसबहक आइरन गेटके रुपमे मानल जाएबला एस एल सी परिक्षा आई सँ देशभरि शुरु भेल अछि ।
परीक्षा नियन्त्रक सूर्यप्रसाद गौतम भिन्सर ८ बजे स ११ बजेधरि भ रहल परिक्षाके पहिल दिन आइ अँग्रेजी बिषयक परिक्षा भ रहल जानकारी देलनि अछि ।
अहिबिच, शिक्षामन्त्री गंगालाल तुलाधर आइ सँ सुरु भेल एसएलसी परीक्षामे अमर्यादित काज कएनिहार ककरो सरकार नहि छोडत चेतावनी देलनि अछि ।
मन्त्री तुलाधर अमर्यादित ब्यवहार करयबला सबके शिक्षा ऐन आ नियमावली तय केने सजायके भागी हाएत बतौलनि । शिक्षा क्षेत्रमे अपराधिकरण बढैत गेल कहैत मन्त्री तुलाधार ओईके नियन्त्रण करय सरकार कोनो कसर बाँकी नै राखत बतौलनि ।
शिक्षा मन्त्री तुलाधार अहि बेरक एसएलसी परीक्षामे १ हजार ६७२ परीक्षा केन्द्रमे २ हजार ३९५ सहायक केन्द्राध्यक्ष, १९ हजार ८४३ निरीक्षक, ६ हजार ६१२ सहयोगी, ४७ हजार २४२ गोटे कर्मचारी आ १६ हजार ७२० सुरक्षाकर्मी परिचालन कएल गेल जानकारी देलनि ।
अहि बेरक परीक्षामे ४ लाख ९८ हजार २ सय ४३ विद्यार्थी सहभागी भेल अछि । जाहिमे नियमित तर्फ दु लाख २९ हजार सात सय ९१ गोटे छात्र आ दु लाख ६ हजार ६ सय २० गोटे छात्रा रहल अछि । अहिना, एक्जाम्टेडतर्फ २५ हजार आठ सय ५ गोटे छात्र आ ३४ हजार २७ गोटे छात्रा रहल अछि ।
अहिना, धनुषामे नियमितदिस ९ हजार ४८५ आ एक्जाम्टेड दिस ९ हजार ९६५ बिद्धार्थी सहभागी अछि । एम्हर, सरस्वती माबि स ४ गोटे नकली गार्डके नियन्त्रणमे ल कारबाही काएल जा रहल धनुषाक एस पि दिनेश आमात्य जानकारी देलनि अछि ।
एसएलसी परिक्षा चैत १८ गतेधरि चलत ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन