Wednesday, December 28, 2011

जेठ १४ गते भितर नयाँ संविधान बनतः प्रधानमन्त्री


पोखरा, पुस १३ - प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भट्टराई आगामी जेठ १४ गते भितर नयाँ संविधान बनयके आ शान्ति प्रक्रिया सेहो पुरा हाएत दाबी केलनि अछि ।

नेपाल पत्रकार महासङ्घ कास्कीद्वारा सञ्चालित पोखरा पत्रकारिता पुरस्कार वितरण करैत प्रधानमन्त्री अपन नेतृत्वमे सरकार बनलाबाद तीन वर्षसँ अवरुद्ध शान्ति आ संविधानके प्रक्रिया आगु बढल बतौलनि ।

ओ प्रमुख राजनीतिक दलबीचमे गम्भीर ढङ्गसँ संवाद चलिरहल अछि आ एक दु दिनभितरे संविधान निर्माण आ शान्ति प्रक्रियाके बाँकी काज पुरा हाएत दाबी कएलनि ।

सरकार  सुशासन आ आर्थिक समृद्धिके काम उच्च प्राथमिकतामे रखने बतबैत ओ किछुए दिनमे सुशासन आ आर्थिक समृद्धिके कार्ययोजना लाओल जाएत जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्री डा भट्टराई सरकार प्रेस स्वतन्त्रताके पक्षमा रहल आ  पत्रकारिताके प्रवद्र्धन आ श्रमजीवी पत्रकारके हकहितमे लागल सेहो बतौलनि ।

अन्नाके किडनी फेल होवयके खतरा


१३ पुष मुंबई । मजबूत लोकपाल कानूनके मांग करैत अनशन पर बैसल अन्ना हजारेके किडनी फेल होवय सकयके डाक्टर चेतावनी देलक अछि।

अन्नाके इलाजमे सँलग्न डाक्टरके कहब अछि जे अन्नाके शरीरमें पानिके कमी भऽ रहल अछि जाहिसँ किडनी फेल होवयके आशंका बढ़ल अछि । अन्नाके ताज़ा मेडिकल बुलेटिनके अनुसार हुनका सय डिग्री बुखार अछि । डॉक्टरके कहब अछि जे ओ खाली पेट रहलासँ हुनाक अखन दबाइ देवयमे सेहो समस्या भऽ रहल अछि आ एहने अबस्था रहत तऽ हुनक हालत आओर खराब भऽ सकैत अछि । डॉक्टरके कहब अछि जे हुनका अनशन छोड़य चाही ।

अफ़ग़ानिस्तानमें तीन सैनिकके मृत्यु


१३ पुष अफगानिस्तान । पूर्वी अफ़ग़ानिस्तानमें सड़क पर भेल एक बम बिष्फोटमे  नेटोके तीन सैनिकके मृत्यु भेल नेटो सेना दाबी केलक अछि ।

मुदा सैन्य गठबंधन घटनाके बारेमें आओर जानकारी नहि देलक अछि आ नहिए घटनाके समय सैनिक कतय छल से बतौलक अछि ।

अफ़ग़ानिस्तानमें अहि महीनामे मात्रे अखनधरि २३ विदेशी सैनिकके मृत्यु भेल अछि ।

पुनरवलोकन आवश्यक नहि अछिः मसाल


काठमाडौ, पुस १३ । नेकपा (मसाल)  संविधानसभाके अवधि ६ महिनासँ बेसी बढावय  नहि पावयके सम्बन्धमे केने फैसला उपर पुनरावेदनके लेल देलगेल निवेदनके आलोचना केलक अछि ।

संविधानसभाके म्याद छ महिनाबाद बढावय नहि पावयके सर्वोच्च अदालतके निर्णय सही अछि से हमरसबहक पहिलका अडान अखनो कायम अछि मसाल जनौलक अछि ।  संविधानसभाके म्याद बढावयके सरकारक कोनो  प्रयत्नके हमसब विरोध करब  पार्टीक महामन्त्री मोहनविक्रम सिंह जारी केने विज्ञप्तिमे उल्लेख अछि । पुनरवलोकनके लेल काल्हि अदालतमे आवेदन दर्ता होवय गेल छल ।

सरकार आ संविधान निर्माण सहित सम्बन्धित उपसमिति जाहि ढँगसँ काम कऽ रहल अछि ओइसँ प्रमुख राजनीतिक शक्ति संविधानके निर्माणप्रति गम्भीर रहल नहि बुझारहल कहैत महामन्त्री सिंह माओवादी भितरके अन्तरद्धन्द्धसँ  शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे गम्भीर रुपसँ असर पहुँचल जनौलनि ।

'सर्वोच्च मुठभेडके नौता दऽ रहल अछिः ठाकुर


काठमाडौ, पुस १३ । तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर संविधानसभाके म्याद सम्बन्धी निर्णय उपर न्यायिक पुनरावलोकनके लेल पठाओलगेल निवदेन सर्वोच्च अदालत दर्ता नहि केलासँ आपत्ति जनौलनि अछि ।

सर्वोच्च राज्यके प्रमुख अंगसबबीच मुठभेडके स्थितिके नौता देने कहैत ठाकुर सर्वोच्चके रवैयासँ संसदके सर्वोच्चता उपर प्रश्न चिन्ह लागल बतौलनि । 'जनताके सार्वभौम निकाय संसद छैक,' ठाकुर कहलनि -'संसदसँ देने निवेदन नहि सुनि कऽ दरपिठ केनाइ भिडन्तके नौता देनाइ अछि ।' ओ सेनामे मधेशी भर्ना आ राष्ट्रिय पोशाक सहितक विषयमे सेहो सर्वोच्च विभेदपूर्ण आदेश केने बतौलनि ।

पार्टीके चारिम वाषिर्कोत्सवके अवसरमे आइ केन्द्रीय कार्यालय बिजुलीबजारमे आयोजित कार्यक्रममे बजैत ठाकुर मधेशीसंग समानताके व्यवहार नहि होवयधरि संघर्ष जारी रहत बतौलनि । ओ संसद, सडक आ जनआवाज मार्फत शान्तिपूर्ण संघर्ष करैत रहब उल्लेख कएलनि ।

नेपाली कांग्रेसमे लम्बा समय रहि कऽ राजनीति केने ठाकुर मन्त्रिपदसँ राजीनामा दऽ क ०६४ पुस १३ गते तमलोपा पार्टीके घोषणा केने छलथि । वाषिर्कोत्सवके अवसरमे तमलोपा प्रत्येकवर्ष चायपान कार्यक्रमके आयोजना करैत आएल अछि ।  

वैद्यसँ फेउर 'जनविद्रोह' के प्रस्ताव


काठमाडौ, पुस १३ माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालक शान्ति संविधानक राजनीतिक प्रस्ताव विरुद्ध उपाध्यक्ष मोहन वैद्य जनविद्रोहक कार्यदिशा लौलाबाद दु पक्षबीच आरो दूरी बढल अछि  । दाहाल जनविद्रोहक कार्यदिशाम जा हि सकयके आ वैद्य दाहालक प्रस्ताव नहि स्वीकारयके अडान रखलाबाद दूरी बढल अछि

उपाध्यक्ष वैद्य कौल्हका केन्द्रीय समिति बैसारमे अपन विचार समूहक दिससँ अलगे राजनीतिक प्रस्ताव आनि कऽ दाहालक प्रस्तावक सब बुँदा अस्वीकार केलनि अछि ।अहिसँ नेतासब पार्टी एक हाएत से आशा करय कठिन रहल बतौलक अछि । दाहाल रबिदिन प्रस्तुत केने प्रस्तावम 'पार्टी मरिरहल ' बतारहल समय वैद्य काल्हि अलग प्रस्ताव रखैत 'नयाँ पार्टी जनैम रहल' उल्लेख केलक अछि अहिसँ ओ पार्टी फुटत स्पष्ट संकेत देलनि अछि

facebook Page Like

  • मनोरँजन