Sunday, November 20, 2011

प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेताक बैसार निष्कर्षहीन


४ अगहन, काठमाडौँ । राज्य पुनर्संरचना आयोग गठनक विषयमे बिमर्श करय आइ भिन्सर बैसल प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेताक बैसार आयोग नेतृत्वमे सबके दाबी रहलाबाद बिना निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।

सिंहदरबार स्थित शान्ति मन्त्रालयमे बैसल बैसारमे माओवादी, कांग्रेस आ एमाले आयोगक नेतृत्व अपना अपना पाबयके दाबी केलक अछि । बैसारमे राज्यपुनर्सरचना आयोगमे रहयबला सदस्य आ क्षेत्राधिकारबारे बिमर्श भेल नेतासब बतौलक अछि । एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल दलसब बिच आयोग गठनक विषयमे गम्भीर बिमर्श भेल सञ्चारकर्मीके जानकारी देलनि ।

अध्यक्ष खनाल ७ सदस्यीय आयोग गठन करयके वियषयमे सहमति नजदिक पुगितो नेतृत्व के लेत बिषयमे बिवाद उत्पन्न भेल बतौलनि । खनाल काल्हि भिन्सर मधेसी मोर्चा समेतके सहभागितामे बिमर्श कऽ सहमति कएल जाएत जानकारी देलनि । दलसबबीच बितल शुक्रके राति भेल दु बुँदे सहमतिमे तीन दिन भितर राज्यपुर्नसंरचना आयोग गठन करयके उल्लेख अछि ।

१७ वर्षक कर्टनी स्टोडेनके 'जानलेवा जलवा'








अल्ट्रा म्याराथुन दौड सुरु


गोकुल बानियाँ, सुनौलो एफएम,पोखरा

४ अगहन पोखरा । नेपालेमे पहिल बेर २ सय ५० किलोमिटर दुरीके अल्ट्रा म्याराथुन दौड पोखरामे सुरु भेल अछि ।

कास्कीके मर्दीसँ आइ भिन्सर ७ बजे सुरु भेल दौड कास्की, पर्बत आ म्याग्दीके बिभिन्न पर्यटकीय क्षेत्र होइत अगहन १० गते पोखरामे आबि कऽ सम्पन्न हाएत । दौडमे ४२ राष्ट्रके ६० महिला सहित २ सय २० धाबक सहभागी अछि ।

प्रतियोगिसबके आइ पहिल दिन कास्कीके मर्दीसँ धम्पुस, पोतना , चन्द्रकोट होइत पर्बतके नयापुल धरिके दुरी देलगेल अछि । प्रतियोगिताके दोसर दिन नयापुलसँ जैसीथोक, दुर्लुङ होइत पर्बतके कालिगण्डकी कातके खनियाघाट धरि, तेसर दिन तातोपानी होइत म्याग्दीके घाराधरि, चारिम दिन घोरेपानीसँ बिरेठाटी ,पाँचम दिन कास्कीके भदौरे होइत, पुम्दीसँ बेगनास ताल आ छठम दिन पोखराके फलवारी होटलमे आबि कऽ पुरा हाएत आयोजक बतौलक अछि ।

नेपालके साहसिक खेलकुद पर्यटनके रुपमे स्थापित करयके उद्देश्यसँ रेसिङ द प्लानेट ईन्टरनेशनल नामक संस्था प्रतियोगिताके आयोजना केने अछि । दौडमे १० गोटे अन्तर्राष्ट्रिय स्तरके चिकित्सकसंगै उद्धारक लेल हेल्पलाईन आ फिस्टेल एयरके हेलिकप्टर स्ट्याण्डवाई रखने रेसिङ द प्लानेट ईन्टरनेशनलके प्रमुख सुमन पाण्डे जानकारी देलनि । प्रतियोगिता सहभागिसबके सहयोगीके रुपमे ४५ गोटे स्वयंसेवक सेहो खटाओलगेल अछि ।

अगिलगिके क्षति १० करोडसँ बेसी


इन्द्र बजगांई, रेडियो ताप्लेजुङ

४ अगहन पाँचथर । पाँचथरके उत्तरी गाविस थर्पुके दाहाल गाउँ बजारमे भेल अगिलगिके क्षति १० करोडसँ बेसी भेल होबय सकयके अनुमान कएल गेल अछि ।

बितल अगहन ३० गते मध्यरातिमे विक्रम योङहाङके घरसँ पसरल आगिसँ दाहाल गाउँके बजारके १५ घर आ  २४ टा दोकान जरल छल । अगिलगिके कारण अखनधरि खुलय नहि सकितो विक्रम योङहाङके होटलसँ आगि पसरल पुलिसक प्रारम्भिक अनुमान अछि । योङहाङके होटलसँ आगि पसरय लागलाबाद होटलमे रहल ग्याँस बिष्फोट भऽ आगि अनियन्त्रित रुपमे फैलल छल ।

अगिलगिसँ भेल क्षतिके विवरण आबय नहि सकितो करिब ६ करोडके क्षति भेल पुलिसक प्रारम्भिक अनुमान रहितो स्थानियवासीसब १० करोडसँ बेसीके क्षति भेल जनौलक अछि । ताप्लेजुङ जिल्ला आ अन्य आसपासमे उत्पादन भेल अलैचीसब संकलन कऽ गोदाममे रहलासँ बेसी मात्रामे क्षति भेल स्थानियके कहब अछि । स्थानीय नारायण कोइराला अगिलगिसँ हजारौ मन अलैची जरिकऽ छाउर भऽ गेल बतौलनि ।


आइ अन्तराष्ट्रिय बाल अधिकार दिवस


४ अगहन जनकपुरधाम । आइ नोभेम्बर २० तारिक अर्थात अन्तर्राष्ट्रिय बाल दिवस ।

बाल अधिकार दिवसक अवसरमे आइ बिश्वधरि बिभिन्न कार्यक्रम कऽ इ दिवस मनाओल जाऽ रहल अछि ।

संयुक्त राष्ट्रसंघ बालबालिकाके अधिकार सम्बन्धी घोषणापत्र १९५९ मे जारी केने आ बाल अधिकार सम्बन्धी महासन्धी १९८९ मे पारित केने स्मरणमे इ दिवस मनाओल जाइत अछि । नेपाल सेहो द दशक आगुए महासन्धि अनुमोदन केने अछि ।

नेपालमे ५ सँ १४ वर्षधरिके ३१ प्रतिशत बालबालिका श्रम शोषणमे परि रहल अनौपचारिक क्षेत्र सेवा केन्द्र इन्सेकके तथ्याङमे उल्लेख अछि ।

अज्ञात समूहद्धारा यात्रु बसमे आगजनी


४ अगहन, पर्सा । गण्डक जगरनाथपुर सडकखण्ड अन्तर्गत पर्साके लिपनीविर्ता-७ मे बितलराति अज्ञात समूह यात्रु बसमे आगि लगौलक अछि ।

लिपनीविर्ताके पटेल नगरमे यात्रुके पहुँचा कऽ वीरगञ्ज दिस घुरयके क्रममे ना १ ख १४४२ नम्बरक मिनी बसमे अपरचित आदमीसबहक समूह आगि लगौने पुलिस जनौलक अछि । अगिलगिसँ बस पुर्ण रुपमे जरि कऽ  नष्ट भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्साक नायव उपरीक्षक दिवेश लोहनी जानकारी देलनि ।

अगिलगिके समयमे बसमे केउ नहि रहलासँ मानवीय क्षति नहि भेल लोहनी बतौलनि । एकाएक बसमे खराबी उत्पन्न भेलाबाद चालकके बस रोकिते ओ समूह बसमे आजगनी केने बस धनी रामस्वरुप साह बतौलनि । घटनाबारे अनुसन्धान भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

गौवाके प्रतिकारमे लुटेराके मृत्यु


४ अगहन, बारा । बारामे बितलराति गौवाके प्रतिकारमे एक लुटेराके मृत्यु भेल अछि ।

विसुनपुर्वा गाविस-८ के शिवशंकर सहनीके घरमे लुटपाट करय पहुँचल सात आठ गोटेके समुहमे सँ एक गोटेके गौवाके पिटाइसँ मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । लुटपाट करय गेल अज्ञात समूह सहनी आ हुनकर कनियाके पिटपाट कऽ घाइल बनौलाक बाद आक्रोशित गौवासब प्रतिकारमे उतरल छल ।

पिटपाटसँ मृत्यु भेल लुटेराके सनाखत होबय नहि सकल पुलिस जनौलक अछि । घटनाबारे थप अनुसन्धान भऽ रहल बारा प्रहरी प्रमुख प्रहरी नायव उपरीक्षक अनुराग द्विवेदी जानकारी देलनि ।

तालबन्दमे सेहो आइसँ वर्गीकरण सुरु


४ अगहन, जनकपुरधाम । सात मेसँ ६ टा मुख्य शिविरसँ काल्हिएसँ सुरु भेल माओवादी सेनाक लडाकुसबहक पुनवर्गीकरण कार्य कैलालीके तालबन्दस्थित सातम डिभिजनमे  आइसँ मात्रे वर्गीकरणके काम सुरु भेल अछि ।

उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षधर लडाकुके विरोधक कारण काल्हि वर्गीकरणके काम सुरु होबय नहि सकल छल । वैद्य पक्ष पुनवर्गीकरणके प्यकेजमे असन्तुष्टि जनौलाबाद वर्गीकरणके काम निर्धारित समयमे होबय नहि सकल छल । शिविर भित्रेसँ वैद्य पक्षक अवरोध अएलाबाद लडाकु प्रमुख नन्दकिशोर पुन आ जनार्दन शर्मा असन्तुष्टके मनाबय राजधानीसँ तालबन्द पहुँचल छलथि । अन्ततः पुन, शर्मा आ लडाकुबीच तुरुन्त बच्चा भेल आ घाइल तथा असक्त लडाकुके लेल विशेष प्याकेज लाबयके सहमित भेलाबाद वैद्य पक्ष वर्गीकरणमे जाए मञ्जुर केने अछि ।

अहिबीच काल्हिसँ सुरु भेल अन्य सातो मुख्य शिविरमे आइ सेहो वर्गीकरणके काम भऽ रहल अछि । आइ सेहो २८ सहायक शिविरमे रहल लडाकुके वर्गीकरणके लेल फेराफेरी कऽ कऽ मुख्य शिविर लाबयके आ साँझमे सम्बन्धित शिविरमे घुराबयके कार्यक्रम रहल अछि ।

हाल इलाममे १ हजार ९ सय ३०, सिन्धुलीमे १ हजार ६ सय ५८, चितवनस्थित शिविरमे ३ हजार ९ सय १९, नवलपरासीमे ३ हजार ३९, रोल्पामे दु हजार ४ सय २८ अनमनिसँ प्रमाणीकरणमे परल लडाकु अछि । अहिना सुर्खेतमे ३ हजार ८८, कैलालीमे ३ हजार ३ सय १० आ काठमाडौँस्थित जनसैनिक मुख्यालयमे १ सय ५३ गोटे लडाकु रहल अछि ।

प्रणव मुखर्जी अगिला सप्ताह नेपाल औताह


४ अगहन, काठमाण्डौ । नेपाल आ भारतवीच दोहोरा कर अन्त्य करयके सम्झौतामे हस्ताक्षर करय भारतीय अर्थमन्त्री प्रणव मुखर्जी अगहन ११ गते नेपाल आबय लागल छथि ।

सरकारी स्रोतक अनुसार भिन्सर काठमाण्डौं आबि कऽ वायह साँझमे दिल्ली घुरय आगु अपन समकक्षी बर्षमान पुनसँग सम्झौतामे हस्ताक्षर करताह । एक महिना आगु प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके भारत भ्रमणके समय  हस्ताक्षर करयके तालिका रहितो भारतीय पक्षक आग्रहके कारण ओ सम्झौता होबय नहि सकल छल ।

पशुपतिनाथके दर्शन करय अपने काठमाण्डौं आबय चाहने आ ओहिके लेल दोहोरा कर अन्त्य करयके बहाना चाहि कहैत मुखर्जीके आग्रहमे ओ समय हस्ताक्षर रोकलगेल सरकारी स्रोतक दावी अछि ।

नेपाल भ्रमणके समय हुनका राष्ट्रपति रामबरण यादव, प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई सहितक नेतासबसँग सेहो भेटवार्ता करयके कार्यक्रम रहल अछि । किछूए घण्टा काठमाण्डौ रहल समय ओ पशुपतिनाथके दर्शन सेहो करताह बताओलगेल अछि ।

कब्जा घरजमिन फिर्ता कराबय प्रचण्ड आ सिटौला बर्दिया जाए लागल


४ अगहन, काठमाडौं । दलसबबीच भेल सहमति अनुसार द्वन्द्वकालमे कब्जा घरजमिन फिर्ता आइसँ सुरु होबय जाऽ रहल अछि ।

घरजमिन फिर्ताके सुरुवात करय माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड आ कांग्रेस महामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौला आइ बर्दिया जाऽ रहल छथि । १० वर्षे सशस्त्र द्वन्द्वकालमे बर्दियामे सबसँ बेसी घरजमिन कब्जा भेल छल ।

माओवादी कार्यालय सचिव शक्ति बस्नेतक अनुसार माओवादी पार्टीके नियन्त्रणमे रहल घरजमिन फिर्ता कएल जाएत तऽ किसानसबहक नियन्त्रणमे रहल विषयमे दलसबसँग परामर्श कऽ आवश्यक निर्णय लेल जाएत । प्रमुख दलसबबीच बितल कार्तिक १५ गते भेल सातबुँदे सहमतिमे अगहन ७ गतेभितर द्वन्द्वकालमे कब्जा घरजमिन फिर्ता करयके उल्लेख अछि ।

सहमति कार्यान्वयन करय माओवादी आन्तरिक शर्कुलर जारी कऽ चुकल अछि तऽ गृह प्रशासन समेत कब्जा घरजमिन फिर्ता कराबय आवश्यक तयारी कऽ रहल अछि । मुदा, माओवादीक मोहन बैद्य पक्ष  बैकल्विक व्यवस्था नहि होबयधरि कोनो  हालतमे कब्जा घरजमिन फिर्ता नहि करयके अडान लेने अछि ।

एमाले स्थायी समितिक बैसार आइ


अगहन, काठमाडौं । नेकपा एमालेक स्थायी समितिक बैसार आइ बैसय जाऽ रहल अछि अगहन ७ गते सँ सुरु होबयबला केन्द्रीय कमिटी बैसारक तयारीके लेल स्थायी समितिक बैसार बजाओलगेल अछि

केन्द्रीय कमिटीक बैसारमे प्रथम राष्ट्रिय प्रतिनिधि परिषद्क बैसारमे प्रस्तुत कएल जाएबला प्रतिवेदन, पार्टीक आन्तरिक समीक्षा, कार्यविभाजन, समसामयिक राजनीति सहितक विषयम सेहो बिमर्श हाएत बितल आसिन २६ गतेके लेल बजाओलगेल केन्द्रीय कमिटीक बैसार अगहन सँ ९ गतेधरिके लेल तय भेल अछि

एमालेक अध्यक्ष झलनाथ खनाल केन्द्रीय कमिटी राष्ट्रिय प्रतिनिधि परिषद्क बैसारमे प्रस्तुत कएल जाएबला प्रतिवेदन तयार कऽ चुकल छथि

facebook Page Like

  • मनोरँजन