Saturday, December 03, 2011

सुशील सेहो प्रधानमन्त्री बनय सकैत छथिः सुजाता


१७ अगहन, काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसक नेतृ सुजाता कोइराला शान्ति प्रक्रिया पुरा केलाबाद कांग्रेसक नेतृत्वमे राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बनत दावी कएलिह अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित कार्यक्रममे कोइराला कहलिह जे-माओवादी आ एमाले सरकारक नेतृत्व कऽ चुकल आब पालो कांग्रेसके अछि, संविधान निर्माण आ चुनावी सरकारक नेतृत्व करय काग्रेस सकत ।विधान अनुसार कांग्रेससँ संसदीय दलक नेता नेतृत्व करत तऽ नेतृत्वक निर्णय बाद कएल जाएत बतौलनि । दलसबहक सहमतिमे कांग्रेस सभापति सुशील कोइराला सेहो प्रधानमन्त्री बनय सकत हुनक कहब छलनि ।

आइ अन्तर्राष्ट्रिय अपांग दिवस


१७ अगहन, जनकपुरधाम । आइ डिसेम्बर ३ तारिख अर्थात अपाङ्गता सम्बन्धी अन्तर्राष्ट्रिय दिवस । नेपालमे सेहो विविध कार्यक्रम कऽ इ दिवस मनाओल जाऽ रहल अछि ।

नेपालमे सन् १९९१ सँ हरेक वर्ष इ दिवस मनाओल जाऽ रहल अछि । अहि वर्षक दिवसके नारा अपाङ्गता भेल व्यक्तिसब सहितक विकास, एकटा समुन्नत विश्वके लेल सब साथ साथरहल अछि । दिवसक अवसरमे महिला बालबालिका तथा समाजकल्याण मन्त्रालय, राष्टिय्र अपांग कोष आ अपांगसम्बन्धी क्षेत्रमे क्रियाशिल विभिन्न संघसंस्था जनकपुर सहित देशभरि विविध कार्यक्रमक आयोजना केने अछि ।

अपांगसबके माया आ अवसर दऽ समाजके अन्य आदमी जका बाँचय पाबयके वातावरण निर्माणक लेल जनचेतना फैलाबयके उद्देस्यसँ संयुक्त राष्ट्रसंघक आहृवानमे हरेक वर्ष डिसेम्बर तीन तारिखके दिन इ दिवस मनाओल जाइत अछि ।

विश्व स्वास्थ्य संगठनके अनुसार विश्वके कूल जनसंख्याके १० प्रतिशत आदमी अपाङ्गतासँ पीडित अछि । नेपालमे कूल जजनसंख्याके ५ दशमलब २ प्रतिशत आदमी अपाङ्गतासँ पीडित रहल तथ्याङ्क अछि ।

सत्ता कब्जा कयिये कऽ छोडब: प्रचण्ड


१७ अगहन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल्ल दाहाल प्रचण्ड सत्ता कब्जा कयिये कऽ छोडब बतौलनि अछि । तीन छोट कम्युनिष्ट पार्टीसँग पार्टी एकता घोषणा करय आइ पार्टी कार्यालय कोटेश्वरमे  भेल कार्यक्रममे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड माओवादी सत्ता कब्जाके रणनीति नहि छोडने बतौलनि अछि ।

ओ शान्ति आ सविधान पुरा होबय नहि देबयके षड्यन्त्र हाएत तऽ जनआन्दोलन मार्फत विद्रोह कऽ सत्ता कब्जा करयके आ सविधान बनत तऽ चुनाव मार्फत सत्ता कब्जा करब बतौलनि ।

माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड जनयुद्ध आ जनआन्दोलनसँ संविधानसभा आएल कहैत एखुनक लेल शान्ति आ नयाँ सविधान निर्माणे मुख्य प्राथमिकतामे रहल बतौलनि । अखन शान्ति आ सविधानक बिकल्प खोजयके मतलब पहारमे माथा पिटनाइ जकाँ हाएत ओ कहलनि ।

माओवादीमे फुटाबयके षड्यन्त्र भऽ रहल कहैत प्रचण्ड ओ पुरा होबय नहि देब बतौलनि । पार्टी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण आ महासचिव रामबहादुर थापा बादल शान्ति संविधान निर्माणबारे निर्णयमे एकके बाद दोसर करैत फरक मत रखैत आएल समय प्रचण्डले  पार्टी नेतृत्वके कमजोर कऽ क क्रान्ति करब कहनाइ लज्जास्पद भेल बतौलनि ।

कार्यक्रममे नेकपा माओवादीक दिलिप साह समूह, संयुक्त जनवादी मोर्चा  आ क्रान्तिकारी कम्युनिष्ट पार्टीक गुणखर बस्यौल समूह माओवादीसँग एकता केने घोषणा केने छल ।

भारतीय लगानी बढाबय मन्त्रीद्वयके आग्रह


१७ अगहन, काठमाडौं । वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री लेखराज भट्ट आ उद्योगमन्त्री अनिल झा भारतीय उद्यमी व्यवसायीके नेपालमे लगानी बढाबय आग्रह कएलनि अछि ।

भारतीय विदेश मन्त्रालय आ भारतीय उद्योग वाणिज्य महासङ्घ -फिक्की संयुक्तरुपमे आइ आयोजना केने फिक्की-एमइए फरन पोलिसी कन्क्लेभके उद्घाटन सत्रमे ओसब नेपालमे क्रमशः लगानीमैत्री वातावरण बनैत गेल उल्लेख करैत तुलनात्मक लाभके क्षेत्रमे थप लगानी करय भारतीयसँ आग्रह कएलनि अछि ।

दु पक्षीय व्यापार अभिवृद्धि, लगानी प्रवर्द्धन तथा जलविद्युत् विकासक क्षेत्रमे भारतीय सहयोगके मात्रा विस्तारित हवबयके अपने विश्वस्त रहल उल्लेख करैत मन्त्री भट्ट नेपालक आर्थिक विकासके गति बढाबय भारतीय पुँजी आ  प्रविधिके ओतबे आवश्यकता रहल बतौलनि । राजनीतिक सङ्क्रमण व्यवस्थापनसँगै अर्थतन्त्रके नयाँ सुदृढ बनाबय पडोसीके बढैत संलग्नता अपरिहार्य रहल बतबैत ओ विकासक कामके बढाबय आ गरिबी घटाबय लेल भारतक सहायता महत्वपूर्ण रहल उल्लेख कएलनि ।

नेपाल आ भारतबीच दु पक्षीय लगानी संरक्षण तथा प्रवर्द्धन -बिपा आ दोहरा कर अन्त्य करय सम्बन्धी हालेमे भेल सम्झौतासँ लगानी वृद्धिके साथे दु पक्षीय व्यापार विस्तार करय मद्धत पहुँचयके ओ विश्वास व्यक्त कएलनि ।

एसीसी ट्वान्टी-ट्वान्टी कप क्रिकेटमे नेपालक जीत


१७ अगहन काठमाण्डौ । काठमाण्डौमे आइसँ शुरु भेल एशियाली क्रिक्रेट काउन्सिल (एसीसी) टीट्वान्टी क्रिकेटमे नेपाल विजयी शुरुवात केलक अछि ।

कीर्तिपुरस्थित अन्तर्राष्ट्रिय क्रिक्रेट मैदानमे सम्पन्न खेलमे हङ्कङ्के २ विकेटसँ हरबैत नेपाल विजयी शुरुवात केलक अछि । पहिल ब्याटिङ केने हङकङ पुरे २० ओभरमे ९ विकेटक क्षतिमे ११४ रन बनौने छल । ११५ रनक लक्ष्य लऽ मैदानमे उतरल नेपाल पुरे २० ओभरमे ८ विकेटक क्षतिमे जित हासिल केने छल ।

जितय लेल अन्तिम एक बलमे एक रन लेबयके चुनौती अएलाबाद नेपालक लक्ष्य पुरा भेलाबाद रोमाञ्चक खेल जितमे परिणत भेल छल । शुरुवातमे ३ विकेट सस्तेमे गुमौने नेपाल ज्ञानेन्द्र मल्ल आ पारस खड्काके जोडीके उत्कृष्ट साझेदारीसँ नेपाल विजयी भेल अछि ।

बम बिष्फोटमे एसपी सहित ६ घाइल


विराटनगर, अगहन १७ ।  सुनसरीके व्यस्त बजार इटहरी चौकमे आइ भिन्सर  बम बिष्फोट भेलासँ उपरीक्षकसहित पाँच गोटे घाइल भेल अछि ।

चौकमे अज्ञात समूह बम रखने खबर भेटलाबाद पुलिस ओ क्षेत्रके नियन्त्रणमे लऽ सेनाके टोलीद्वारा निस्क्रिय करयके क्रममे ओ बम बिष्फोट भेल छल ।

सेनाके टोली बमके निस्क्रिय करयके तयारी कऽ रहल समय एकाएक  बम बिष्फोट भेल छल । पुलिस टाइमबम रहल जनौलक अछि । विष्फोटमे परि सुनसरीके प्रहरी उपरीक्षक राजु मानन्धर तथा अन्य पाँच सर्वसाधारण सेहो घाइल भेल अछि ।

उपरीक्षक मानन्धर सहित आरो किछ गोटे सामान्य घाइल भेल अछि तऽ दु  गोटे केनिक बेसी  घाइल भेल पुलिस जनौलक अछि । घाइल होबयबलासबमे इटहरी४ के टेकराज गिरी, प्रवीण भुजेल, गोपाल भुजेल, इटहरी३ के सुरेन्द्र पोखरेल आ मोरङके मृगौलियाके नीरबहादुर थापा रहल पुलिसक कहब अछि ।

 घाइलसबके धरानस्थित वीपी कोइराला स्वास्थ्यविज्ञान प्रतिष्ठानमे इलाज भऽ रहल अछि । बम के आ किया रखने आधिकारिक बात नहि खुजल अछि मुदा सुनसरीके किछ सञ्चारकर्मीके खम्बुवान मोर्चा संयुक्तके कार्यकर्ता बम रखने जिम्मा लैत आबिरहल अछि ।


सनी लियोन के गरम पोज








आरो तस्विर देखय लेल निचाके लिँक पर क्लिक करु
http://best-celebrityinfo.blogspot.com/2011/11/sunny-leone-biography-hot-sexy-photo.html

'राज्य कोषके पैसा माओवादीके फिर्ता करय परत'ः सिंह


काभ्रे, अगहन १७ । नेपाली काँग्रेसक महामन्त्री प्रकाशमान सिंह शिवीरमे कहियो रहबे नहि कएल लडाकु संख्या देखा कऽ माओवादी राज्य कोषके पैसा दुरुपयोग केने आरोप लगबैत दुरुपयोग केने पैसा माओवादीके फिर्ता करय परत बतौलनि अछि । दुरुपयोग केने राज्यके कोषके माओवादी फिर्ता नहि करत तऽ जनता माओवादी नेतृत्वबारे सोचय बाध्य हाएत ओ  चेतावनी देलनि । 

बनेपामे आयोजित ज्योति बहुउद्धेश्यीय सहकारी संस्थाक १२ हम् साधारण सभाक उदघाटन करैत आइ  महामन्त्री सिंह नेपाली काँग्रेस माओवादी दुरुपयोग केने पैसाके एकएक हिसाब किताब जनतामे नहि देत तऽ चुप लागि कऽ  नहि बैसब खुलासा कएलनि ।

'अनमिनके ठकैत माओवादी वितल ५ वर्षसँ शिविरमे रहबे नहि कएल लडाकुके संख्या देखा कऽ जनताके करसँ संकलित राज्य कोषके पैसा दुरुपयोग कऽ रहल खुलासा करैत ओ कहलनि जे आब ओ दुरुपयोग केने पैसा फिर्ता करय परत । अन्यथा माओवादी नेतृत्वबारेमे सोचय नेपाली जनता बाध्य हाएत ।'

माओवादी विगतमे भेल सम्झौतासबके अक्षरस पालना करत तखने शान्ति प्रक्रिया आगु बढ्य सकत कहैत ओ माओवादीके विगतके सम्झौतासबके इमान्दारीताके साथ पालना करय आग्रह कएलनि ।

बस आ जिप ठोकराएलासँ तीनके मृत्यु, १५ घाइल


इलाम, अगहन १७ । मेची राजमार्गमे आइ भिन्सर एकटा बस आ जिप एक आपसमे ठोकराएलासँ भेल दुर्घटनामे तीन गवटेके मृत्यु भेल अछि तऽ अन्य १५ गोटे घाइल भेल अछि ।

इलामसँ झापाके जामुन खाडी दिस पिकनिक मनाबय जाए लागल ना.४.ख ६१२० नम्बरक बस आ विपरीत दिशसँ आएल रा.१.प १६६ नम्बरक जिप कोलवुङ नामक स्थानमे भिन्सर ८ बजे ठोकराएल छल ।

बसमे इलाम नगरपालिका ९ के स्थानीय युवासब पिकनिक मनाबय जाऽ रहल छल तऽ जिप  झापासँ इलाम अबैत छल । मृतक तीनु गोटे जिपमे सवार छल ।

मृत्यु होबयबलामे जिप चालक इलाम जिर्मले के राजन राई आ झापा गरामुनीके मिरा न्यौपाने अछि तऽ एक गोटेके नाम खुलय नहि सकल अछि ।

वीना मलिकके नग्न तस्वीर पर मचल बवाल


१७ अगहन एजेन्सी । चर्चित पाकिस्तानी अभिनेत्री वीना मलिक के पुरुषके एक अंतरराष्ट्रीय पत्रिकाके भारतीय संस्करणमें छपल तस्वीर पर विवाद उत्पन्न भेल अछि ।

एफ़एचएम इंडियानामक एक पत्रिकामें छपल वीना मलिकके नग्न तस्वीरमें हुनक बाँहि पर पैघ अक्षरमें 'आईएसआई' लिखल अछि ।

इ तस्वीर  नग्न रहल आ बाँहि पर आईएसआई लिखल रहलाक कारण पाकिस्तानमें खलबली मचल अछि ।

पाकिस्तानी मीडिया वीना मलिकके प्रवक्ता के अनुसार ओ कहियो एहन फ़ोटो नहि खिचबौने छथि । आ हुनकर फोटोके ओहन बनाओलगेल दाबा कएलनि अछि ।

मुदा एफ़एचएम इंडियाके संपादक बतौलनि जे तस्वीरमे कोनो प्रकारक बनाबटी नहि कएल गेल अछि । इ फोटो पत्रिकाके दिसंबरके अंकके कवर प प्रकाशित कएल गेल अछि ।

पुनम पाण्डेके नव जलवा


संता-बंता आ CALL GIRL


संता बंता एक दिन काल गर्ल के पास गेल ।

पहिने संता भितर गेल । संता बाहर आबि कऽ बंता सँ कहलक: यार अहिसँ तऽ हमर कनिया निक अछि ।

फेउर बंता भितर गेल आ बंता बाहर आबि कऽ कहलक : हां यार तु ठीक कहैत छे । अहिसँ तोहर कनिया बेसी निक छौ ।

अजिब छै यौ


नेता चलयबला बाटमे केराके खोँइचा ?!... पक्के इ शान्ति आ संविधान नहि चाहयबलासबहक चाल अछि !

सोन दोकानमे कार्यरत एक कर्मचारीके हत्या


१७ अगहन, ललितपुर । ललितपुरक पुल्चोकस्थित एक सोन दोकानके कर्मचारीके हत्या भेल अछि ।

दिजेन्द्र शाक्यके गुण ज्यास दोकानमे कार्यरत २५ वर्षक जुजुकाजी महर्जनके हत्या भेल ललितपुर प्रहरी परिसरके प्रहरी नायब उपरिक्षक पूजा सिंह जानकारी देलिह । हुनका अनुसार महर्जनके शव हात पैर वाँन्हल अवस्थामे भेटल छल ।

लुटेरासबहक समूह महर्जनके हत्या केने पुलिसक अनुमान अछि । पुलिस घटनाक अनुसन्धान कऽ रहल जनौलक अछि ।

मोटरसाइकल दुर्घटनामे एक युवकके मृत्यु


१७ अगहन, काठमाडौँ । राजधानीम बितलराति भेल मोटरसाइकल दुर्घटन एक युवकक मृत्यु भेल अछि

स्वयम्भूस्थित सानो भर्‍याङम राति आठ बजेक समयम बा ४३ प ३६३८ बा प ४९४४ नम्बरक मोटरसाइकल एक आपसमे ोकराएलासँ नुवाकोटक २२ वर्ष मनोज विकक मृत्यु भेल अछि । महानगरीय ट्राफिक प्रहरी महाशाखाक अनुसार दुर्घटनाम गम्भीर घाइ विकक बालाजुस्थित जनमैत्री अस्पतालमे इलाजक  क्रममे मृत्यु भेल अछि । सामान्य घाइल भेल दोसर मोटरसाइकल चालकके सामान्य इलाजक बाद पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि

सर्वोच्चके हस्तक्षेप अनावश्यकः महतो


राजविराज, अगहन १७ । स्वास्थ्य मन्त्री राजेन्द्र महतो संविधान निर्माणमे सर्वोच्च अदालतके हस्तक्षेप आवश्यक नहि रहल टिप्पणी कएलनि अछि । ओ राजनीतिक गतिविधिमे सर्वोच्चके हस्तक्षेप नहि करय चाही बतौलनि ।

राजविराजमा सञ्चारकर्मीसंग आइ बातचित करैत महतो कहलनि जे संविधान निर्माण जेहन विषयमे जनताके निर्णय  सर्वमान्य भेलासँ अहिमे सर्वोच्चके हस्तक्षेप करयके कोनो आवश्यक नहि अछि ।

बढाओलगेल ६ महिना भितर संविधान निर्माणक काम पूरा होबय सकत बतबैत सदभावना पार्टीक अध्यक्ष समेत रहल महतो बहुत विषयसबमे सहमति भऽ गेल अछि आ आब इमान्दारीपूर्वक काम कएल जाए तऽ ६ महिनामे सम्भव हाएत नहि तऽ  ६ वर्षोमे होबय नहि सकत बतौलनि ।

अहिना मन्त्री महतो एक महिना भितर नेपाली सेनामे मधेसी समुदायसँ प्रवेशके प्रक्रिया समेत सुरु हाएत जानकारी देलनि । संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चा आ एकीकृत नेकपा माओवादी बीच भेल सम्झौता अनुसारे  मधेसी समुदायसँ नेपाली सेनामे प्रवेशके प्रक्रिया सुरु हाएत हुनक कहब छलनि ।

दोसर प्रसंगमे मन्त्री महतो वर्तमान सरकारक नेतृत्व  संविधान निर्माणधरि रहत बतबैत आरो दलसबके सेहो  सरकारमे लाबयके कसरत भऽ रहल जानकारी देलनि ।   

facebook Page Like

  • मनोरँजन