Thursday, August 04, 2011

हस्ताक्षर संकलन बेमौसमके बाजा ।। सिंह


१९ साउन, सप्तरी । नेपाली कांग्रेसक महामन्त्री प्रकाशमान सिंह पार्टीके संसदीय दलक नेता परिवर्तनके लेल वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षधर केने हस्ताक्षर संकलन बेमौसमके बाजा रहल बतौलनि अछि ।

प्रेस युनियन सप्तरीद्वारा आइ राजविराजमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे महामन्त्री सिंह हस्ताक्षर संकलन अभियानके अपने पार्टीके संगठित रुपमे आगु बढाबयमे अवरोधके रुपमे लेने  बतौलनि ।

ओ कांग्रेससँ प्रधानमन्त्री बनयके सपना देख क संसदीय दलक नेता बनय हस्ताक्षर संकलन केनाई बेटा हाएत कहिया कहिया सर्ट सियाउ अखन जेहन भेल कहैत टिप्पणी कएलनि ।

महामन्त्री सिंह विशेष समितिके बैसारमे अनुपस्थित भ माओवादी शान्तिप्रक्रियाके आगु  बढाबय  नहि चाहने आरोप लगौलनि ।

पाँचबुँदे सहमतिके संसद समेत अनुमोदन क चुकल अवस्थामे मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन केनाई संसदीय अभ्यास आ मान्यताविपरित रहल कहैत ओ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालके एको मिनेट  कुर्सीमे बैसनाईके औचित्य नहि रहल दावी कएलनि ।

भारतीय आईएनजीओ संविधान बना लेने अछि ।। विजुक्छे




१९ साउन, भक्तपुर । नेपाल मजदुर किसान पार्टीक अध्यक्ष नारायणमान विजुक्छे भारतीय आईएनजीओ संविधान तयार क चुकल दावी कएलनि अछि ।

रक्त सञ्चार क्लब भक्तपुर आइ आयोजना केने कार्यक्रममे अध्यक्ष विजुक्छे प्रमुख तीन दल सविधान निमार्णसँ बेसी सरकार बनाबय आ खसाबयमे  लागल आरोप लगौलनि ।

दलसब सरकार बनाबय आ खसाबय लगलासँ संविधानसभाके पछिला बेर थपलगेल  समयमे सविधानक एकीकृत मस्यौदा नहि आओत बतौलनि ।

नेमकिपा अध्यक्ष विजुक्छे मन्त्रिपरिषद् विस्तार केनाइ प्रधानमन्त्रीके अधिकार भेल कहैत अईके बारेमे टिप्पणी केनाई आवश्यक नहि रहल बतौलनि ।

हरेक बर्ष नेपाली सेनामे दश हजार नयाँ भर्ति होईत अएलासँ वितल किछ बर्षसँ रुकलासँ देशके लेल खतरा भेल बतौलनि ।

सेना समायोजन तत्काल होबय परत कहैत ओ लडाकूके समुहगत प्रवेश नहि भ सेनाके मापदण्ड आ योग्यताके आधारमे प्रवेश कराबय परत बतौलनि ।

देशके राजनीतिक अवस्था आ सघीयतासँ देश टुक्रा होबय सकत कहैत नेमपिकाके अध्यक्ष विजुक्छे एक मधेश एक प्रदेशसँ देश विखण्डन हाएत ठोकुवा कएलनि ।

संघीयता विनाके संविधान अस्वीकार्यः मधेसी मोर्चा


१९ साउन, काठमाडौं । संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चा संघीयताके बेवास्ता क क लाओल जाएबला संविधान स्वीकार्य नहि हाएत बतौलक अछि ।

प्रमुख तीन दलसँग आजुक बिमर्शमे मधेसी मोर्चा प्रमुख तीन दल संघीयतालाके बेवास्ता क क  संविधान लाबय चाहने कहैत ओहन संविधान अपनासबके कोनो हालतमे मान्य नहि हाएत बतौलक अछि ।

मधेसी मोर्चा संघीयताके बेवास्ता क क संविधान जारी करयबारे बिमर्श भ रहल कहैत गम्भीर आपत्ति जनौलक अछि । ओसब राज्य पुनःसंरचना आयोग गठन करयके कांग्रेसक अडान संघीयताके बात दबाक संविधान जारी करयके षड्न्त्र रहल बतौलक अछि ।

मधेसी जनअधिकार फोरम गणत्रान्त्रिकके सहअध्यक्ष राजकिशोर यादव कहलनि जे-  संघीयताके बेवास्ता क क संविधान लाबयके चर्चा चला क मधेसी तथा जनजातिके प्रतिक्रिया देखय चाहीरहल अछि त ओकर परिणाम गम्भीर हाएत ।

बैसारमे मधेसी मोर्चा राज्य पुनःसंरचना आयोग कोनो  हालतमे स्वीकार्य नहि हाएत अडान समेत दोहरौलक अछि । मधेसी मोर्चाके अडानक बाद कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल आयोग गठनक अडानसँ पाछु हटयके अधिकार अपनाके नहि रहल कहैत पार्टीमे बिमर्श करब  बतौलनि ।

बैसारमे एकीकृत नेकपा माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड कांग्रेस आ मोर्चाबीच भेल सहमति अपनासबके मान्य हाएत बतौने छलथि ।

एमालेक चरित्रसँ अधिनायकवाद लादय माओवादीके आसान


काठमाडौ, श्रावण १९ । कांग्रेस नेता प्रकासशरण महत देशमे अधिनायकवाद लादयके षडयन्त्र भ रहलासँ लोकतन्त्रके लेल कांग्रेस आन्दोलन जारी राखत बतौलनि अछि ।

सरकारक नेतृत्वकर्ता दल एमालेके द्वैद चरित्रक कारण माओवादीके अधिनायकवाद लादय आसान भेल ओ उलेल्ख केलनि ।

आइ चितवनके शारदा नगरमे आयोजित कार्यकर्ता प्रशिक्षणमे बजैत महत  लोकतन्त्रउपर होबयबला सब आक्रमणके कांग्रेस डटि क सामना करत बतौलनि । अहि अनुसार देशभरि कांग्रेस जागरण अभियान शुरु केने महत बतौलनि ।

बितल जेठ १४ गते थपलगेल संविधानसभाके तीन महिने  म्यादमे सेहो खासै प्रगती होबयके अवस्था नहि रहल कहैत भादव १४ बादके स्थितिके लेल मानसिक रुपमे तयार रहय कार्यकर्तासबके निर्देशन देलनि ।

प्रधानमन्त्री तत्काल शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाबय खाँका लाबय परत बतबैत महत नहि हाएत त राजीनामा द क कांग्रेस नेतृत्वक सरकारके लेल बाट खोलय परत  धारणा  रखलनि ।

जागरण अभियानक लेल चितवन खटल महत कार्यकर्ता प्रशिक्षणसँगै सचेतना अभियान सेहो संचालन क रहल अछि ।

निर्णय नहि मानत त विशेष महाधिवेशनसँ खनालके हटाओल जाएत


काठमाडौं, श्रावण १९ । एमाले सल्लाहकार परिषदक अध्यक्ष एवं अनुशासन आयोगक सदस्य सिद्धिलाल सिंह प्रधानमन्त्री एवं पार्टी अध्यक्ष झलनाथ खनाल आगामी साउन २१ गते बैसयबला केन्द्रीय कमिटी बैसारक निर्णय नहि मानत त विशेष महाधिवेशन बजा क अध्यक्ष पदसँ हटाबयके चेतावनी देलनि अछि ।

रिपोर्टर्स क्लबके आजुक साक्षात्कारमे सिंह माओवादी मन्त्रीसबके शपथ नहि कराबयबला स्थायी कमिटीके निर्णयके बेवास्ता क क अध्यक्ष खनाल पार्टीके अनुशासन उल्लंघन केने दाबी करैत अनुशासन उल्लंघन करयबलाके कारबाही करयके दाबी केलनि ।

पार्टीसँ उपर केउ नहि अछि । पार्टीके अनुशासन उल्लघन करयबलाके कारवाही हाएत, ओ कहलनि जे, ‘झलनाथ खनाल सेहो पार्टीसँ उपर नहि छथि ।

सिंह आगामी केन्द्रीय कमिटीक बैसारसँ अध्यक्ष खनाल पार्टी निर्णयके उल्लंघन केने विषयम गम्भीरतापूर्वक बिमर्श क क सरकारसँ फिर्ता बजाबयधरिके निर्णय करयके दाबी केलनि ।


facebook Page Like

  • मनोरँजन