Friday, April 08, 2011

सभासदके तलबमे १ अर्ब ३६ करोड समाप्त


काठमाडौं, चैत २५ । बितल जेठ १४ गते राति संविधानसभाके म्याद थपएलाबाद संसोधन कएलगेल कार्यतालिका अनुसार काम भेल करिब एकमहिनेमे  जनता संविधानके मस्यौदा हातमे पाबि सकैत छल आ एखन प्राप्त सुझाव उपर सभासदसभ अन्तिम बिमर्श क सकैत छलाह ।
मुदा संविधानसभाके थपल म्याद ५० दिन मात्रे बाँकी रहितो एकीकृत मस्यौदा  बनय नहि सकल अछि ।
बिबादक मुख्य बिषयमे सेहो दलसभ गम्भीर भऽ बिमर्श नहि केने अछि ।
संविधान निर्माणमे खासे ध्यान नहि देने सभासदसभ भत्ता लेबय सेहो नहि छोडने छथि । भत्तेके लेल बहुतो सभासदसभ संविधानसभा भवन पहुँच कऽ हस्ताक्षर कऽक घुरैत अछि ।
संविधानसभा सचिवालयके अनुसार २०६५ साल जेठ १५ गतेके पहिल बैसारसँ अखनधरि संविधानसभाके  १ सय ९ टा बैसार बैस चुकल अछि । अखनधरि  सभासदके तलब भत्तामे मात्रे राज्यकोषसँ १ अर्ब ३६ करोड रुपैयाँ खर्च भ चुकल अछि । सचिवालयके अनुसार सभामुख आ उपसभामुखके तलब भत्तामे मात्रे १ करोड ३७ लाख खर्च भऽ चुकल अछि ।

आईपीएल अन्तर्गत खेल भऽरहल


चैत २५ । आईपीएल अन्तर्गत भारतक चेन्नइमे कोलकता नाइट राइडर्स आ चेन्नइ सुपर किँगस बिच आइ खेल भऽरहल अछि ।
 राति सबा ८ बजेसँ शुरु भेल आजुक खेलमे चेन्नइ सुपर किँगस टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ्ग करैत निर्धारित २० ओभरक खेलमे     ४ बिकेटक क्षतिमे    १५३     रन बना कऽ कोलकता नाइट राइडर्स समक्ष १५४    रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि । 
चेन्नइ सुपर किँगस दिसक सुरेश रैना ३३, मुरली बिजय ४,  अनिरुद्ध ६४ आ धोनी २९ रन बनौलनि अछि ।

सिन्धुलीमे अगिलगि, लाखौके क्षति


सिन्धुली, चैत २५ । सिन्धुलीके खैरेनीटारमे अगिलगि भेलासँ दु टा घर जरि कऽ नष्ट भेल अछि ।
  कमलामाई नगरपालिका ७ के मिश्रा खड्काके घरमे अगिलगि भेलासँ १० लाख नगद,  अढाई तोला सोना, अन्नपानि, लत्तकपडा जरि कऽ नष्ट भेल अछि  । आइ बेरियामे २ बजे मालजालक घरसँ सुनगल आगि घरधरि पसरल आ जिल्ला प्रहरी कार्यालयसँ गेल सशस्त्र पुलिसक  टोली आगिके नियन्त्रणमे लेने जनाओलगेल अछि ।

आगिलगिमे परि १ के मृत्यु, ७० लाख बराबरके क्षति


कपिलवस्तु, चैत २५ । कपिलवस्तुके बहादुरगँज गाविसके विजयपुरमे आगिलगिमे परि आइ एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
 मृत्यु होबयबलामे रहिमुन धोबी रहल बताओलगेल अछि । घरके आओर सदस्य आगिलगिके खबर पौलाबाद भागय सफल भेल  कपिलवस्तु पुलिस पुष्टि केलक अछि ।
बेरियाके १२ बजेसँ सुरु भेल आगि करिब साढे ४ घण्टाकेबाद मात्रे नियन्त्रणमे आएल छल । अगिलगिसँ ८५ घर जरि कऽ पूर्ण  रुपमे नष्ट भेल अछि ।  हथौसा १ मे भेल अगिलगिसँ  करिब ७० लाख रुपैयाँ बराबरके क्षति भेल अछि । नास्ता बनाबयके क्रममे स्थानिय सरस्वती थारुके घरसँ अगिलगि सुरु भेल वताओलगेल अछि ।

माओवादी आओर नेताके तत्काल सरकारमे नहि पठाओत


काठमाडौं, चैत २५ । सातबुँदे सहमति कार्यान्वयनमे एमाले गम्भीर नहि भेल कहैत एकीकृत नेकपा माओवादी आओर नेतासभके तत्काल सरकारमे नहि पठाबयके संकेत देलक अछि ।
माओवादी पदाधिकारीसभहक आइ बैसल बैसारसँ सातबुँदे सहमतिके कार्यान्वयन सहितक विषयमे एमाले नेतृत्वसँग थप बिमर्श कऽकऽ  मात्रे आओर नेताके सरकारमे पठाबयके निर्णय केलक अछि ।
सातबुँदे सहमति कार्यान्वयनप्रति एमाले गम्भीर नहि भेलासँ थप बिमर्श  आवश्यक रहल माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश जानकारी देलनि ।
स्रोतक अनुसार सातबुँदे सहमति अनुसार गृहमन्त्रालय माओवादीके तत्काल देबय प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल तयार नहि भेलाबाद माओवादी तत्काल थप नेतासभके सरकारमे नहि पठाबयके संकेत देलक अछि । श्रोतक अनुसार माओवादीके हार्डलाइनर पक्ष गृह नै भेटत त सरकारमे नहि जाएके  दबाव देलक अछि ।
माओवादी पदाधिकारीसभहक बैसारसँ सरकार एकतर्फी रुपमे पूर्ण बजेटके तयारी केने कहैत असन्तुष्टि जनौलक अछि । सातबुँदे सहमति कार्यान्वयन आ बजेटके विषयमे एमाले नेतृत्वसँग काल्हि बिमर्श कएल जाएत माओवादी उपाध्यक्ष प्रकाश बतौलनि ।

दलसभबीच सहकार्य आवश्यकः माओवादीक स्थायी समिति सदस्य गुरुङ


इलाम, चैत २५ । जनता माओवादीके मात्रे नहि भऽ सब दलके संविधान निर्माण करयके जिम्मेवारी दऽकऽ  पठौलासँ जल्दिसँ जल्दि दलसभबीच सहमति कऽकऽ संविधान निर्माण आ शान्ति प्रकृयाके निष्कर्षमे पहुँचाबय परत एकीकृत नेकपा माओवादीक स्थायी समिति सदस्य देव गुरुङ बतौलनि अछि ।
 आइ इलाममे आयोजित नेपाल राष्ट्रिय प्राध्यापक संगठन लिम्बूवान राज्यके प्रथम सम्मेलनके सम्वोधन करैत गुरुङ पछिला समयमे अल्पमत आ बहुमतकके बातसभ बाहर आबय लगलासँ तोकल समयमे संविधान निर्माण नहि हाएत  कि आशङ्कासभ पैदा होइतो एहन शङ्का जल्दिए समाधान हाएत आश्वासन देलनि ।

पार्टी फुटयके हल्ला निराधारः उपाध्यक्ष डा भट्टराई


सुर्खेत, चैत २५ । एकिकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष डा बाबुराम भट्टराई माओबादी पार्टी फुट्य लागल हल्ला निराधार रहल टिप्पणी कएलनि अछि ।
 क्रान्तिकारी पत्रकार संघ सुर्खेत आइ वीरेन्द्रनगरमे केने पत्रकार सम्मेलनमे ओ क्रान्तिकारी पार्टी भितर होबयबला स्वभावीक बहसके लऽ पार्टी फुटय लागल कहि जनता आ कार्यकर्तामे आतंक फैलाबय खोजलगेल दावी कएलनि । किछ माओवादी नेताके मोवाइलमे बाबुराम पार्टी फुटाबय चाहने कहिक म्यासेज कएलगेल प्रसङ्गमे उपाध्यक्ष भट्टराइ सत्ताधारी प्रवृत्ति भेलसभ अपनाके बदनाम करबाय चाहने आरोप लगौलनि ।
ओ संविधान जारी करयके समय लक्चियाइतो दलसभ गम्भिर नहि हाएत त देशमे संवैधानिक रिक्तता भ राष्ट्रपति या सेना मार्फत प्रतिगमनकारी गतिविधी होयबाक खतरा बढत टिप्पणी कएलनि । संविधान सभाके विघठन कऽ गणतन्त्र संघीयता धर्म निरपेक्षता सहितक उपलब्धिके रक्षा करय लेल सब राजनीतिक दलसभके लागय परतमे उपाध्यक्ष भट्टराइ जोड देलनि ।

एक सप्ताहमे मन्त्रीमण्डल विस्तारः प्रधानमन्त्री


काठमाण्डौ, चैत २५ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल सरकार १ सप्ताह भितरे विस्तार हाएत  बतौलनि अछि ।
माओवादी आ मधेसी जनअधिकार फोरमसँग बिमर्श जारी रहलासँ एक दु दिनेमे सरकार बिस्तार हाएत हुनक दावी छलनि । एमाले निकट इन्जिनियरसभहक दोसर राष्ट्रिय अधिवेशनके आइ राजधानीमे सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री खनाल सब दलसभसँग बिमर्श जारी रहलासँ मन्त्रीपरिषद् विस्तारमे अबेर भऽरहल बतौलनि ।
ओ वर्तमान सरकार राष्ट्रिय सहमतिके सरकार भेलासँ काङ्ग्रेस सहितक अन्य दलसभके सरकारमे सहभागी होबय समेत आग्रह कएलनि । प्रधानमन्त्री खनाल शान्ति प्रकि्रया पहिल प्राथमिकता भेलासँ सरकार माओवादी लडाकु समायोजन आ पुनस्र्थापनाके काम आगु बढारहल स्पष्ट कएलनि । ओ प्राविधिक समिति निरन्तर काम क रहलासँ जल्दिए समायोजन आ पुनस्र्थापनके मोडालिटी तय हाएत  विश्वास व्यक्त कएलनि ।
ओ शान्ति प्रकि्रया निष्कर्षमे पहुँचाबय सबके कर्तव्य भेलासँ सहकार्य कऽक आगु बढय सरकार तयार रहल स्पष्ट कएलनि ।

माओवादी आ एमाले सत्ताकब्जामे केन्द्रित: गच्छदार


कलैया, चैत २५ । मधेसी जनअधिकार फोरम (लोकतान्त्रिक) के अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार माओवादी एमालेक गठबन्धन सरकार सत्ताकब्जा करयदिस  उद्दत रह आरोप लगौलनि अछि
पार्टीक बारा जिल्लास्तरीय प्रशिक्षणके आइ  सम्बोधन करैत ओ वर्तमान सरकार देशमे शान्तिसुरक्षा संविधान निर्माण करय गम्भीर नहि रह दावी केलनि अछि
अवसरम फोरमक नेता शरतसिँह भण्डारी वर्तमान सरकार मधेस समस्याप्रति गम्भीर नहि रह बतबैत मधेसम पुनः आन्दोलन हाएत त विकराल रुप लेबय सकत चेतावनी देने छलथि
फोरम लोकतान्त्रिकक बारा अध्यक्ष रामबाबु साहक सभापतित्वमेल कार्यक्रमम सभासद्द्वय प्रमोद गुप्ता, निलम वर्मा मधेसी जनताक अधिकारक लेल आन्दोलन अपरिहार्य रह बतौने छलथि

एजेण्डामे बिना प्रवेश केनेही संवैधानिक समितिक बैसार स्थगित


काठमाडौ, चैत २५ । दलित आ मुस्लिम सभासदसभहक बिरोधके कारण संवैधानिक समितिके आजुक बैसार बिना कोनो एजेण्डामे प्रवेश केनेही स्थगित भेल अछि ।
 दलित जनजाति पार्टीक सभासद विसेन्द्र पासवान सहितक बैसार संचालन होबय नहि देबयके अडान लेने छल । समितिक पछिला बैसारसभमे अल्पसंख्यक समूदायके हक अधिकारक विषयमे पासवान समेत किछ सभासद संवैधानिक समितिमे कडा रुपमे आवाज उठबैत आएल अछि ।
 पासवान अपनासभके अवरोधके कारण बैसार कोनो ऐजेण्डामे प्रवेश करय  नहि सकल बतौलनि । बैसार बैसय नहि सकलाबाद समिति सभापति निलाम्बर आचार्य आगामी २९ गते धरिके लेल बैसार स्थगित केने छलथि । भावि संविधानमे दलित,जनजाति, पिछडा, आदिवासी आ मुस्लिम समूदायके हक अधिकार सुनिश्चित होबयके प्रतिवद्धता सहितक पत्र संविधानसभासँ संवैधानिक समितिमे नहि आबयधरि बैसार बैसय नहि देब सभासद पासवान बतौलनि अछि । पासवानसंगै स्वतन्त्र सभासद सदरुल मियाँ हक अहिसँ आगुके बैसारसभमे अपनासभके हक सुनिश्चित नहि भेल कहैत बिरोध करैत आएल छलथि ।

प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करय सोमदिन बैसार


काठमाडौ, चैत २५ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल प्रधानन्यायाधीश नियुक्तिके लेल सोमदिन संवैधानिक परिषद्क बैसार बजौने छथि ।
 प्रधानन्यायाधीश रामप्रसाद श्रेष्ठ ६५ वर्ष उमेर पूरा क अनिवार्य अवकाश पाबय लगलासँ नयाँ प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करय परिषद्क बैसार बजाओलगेल जानकारी प्रधानमन्त्री निकट स्रोत देलक अछि ।
 प्रधानन्यायाधीश श्रेष्ठ आगामी वैशाख २२ मे अनिवार्य अवकाश पाबि रहल छथि । प्रधानमन्त्री एवं परिषद्क अध्यक्ष खनाल परिषद्क सदस्यसभ प्रधानन्यायाधीश श्रेष्ठ, सभामुख सुवास नेम्वाङ, विपक्षी दलक नेता रामचन्द्र पौडेल आ अपने सदस्य तोकने तीन मन्त्रीके सोमदिन   बैसयबला बैसारमे उपस्थित होबय पत्र पठौलक अछि ।
 प्रधानमन्त्री काल्हि अन्तरिम संविधान बमोजिम उपप्रधानमन्त्री भरतमोहन अधिकारी, रक्षामन्त्री विष्णु पौडेल, शान्ति तथा पुनर्निर्माण मन्त्री वर्षमान पुनके परिषद् सदस्य तोकने छथि । प्रधानन्यायाधीशमे सर्वोच्च अदालतके वरिष्ठ न्यायाधीश खिलराज रेग्मीके नाम सिफारिस होयबाक  सम्भावना अछि । परिषद् वरिष्ठ न्यायाधीशके प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करयके आ राष्ट्राध्यक्ष नियुक्त करयके परम्परा अछि । प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करयके एजेन्डामे बजाओलगेल परिषद् बैसारमे आरो संवैधानिक अंगक प्रमुख तथा सदस्य नियुक्तिबारे बिमर्श होयबाक सम्भावना नहि रहल स्रोत उल्लेख केलक अछि ।

विद्युत चोरी करयबला २६ गोटे गिरफ्तार


लहान, चैत २५ । विद्युत प्राधिकरण लहान शाखा विद्युत चुहावट नियन्त्रणके लेल शुरु केने अभियान अन्तर्गत हुकिङ कऽ विद्युत चोरी केने अवस्थामे सिरहाके ४ गाविससँ २६ गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।
 विद्युत प्राधिकरण लहान शाखाक प्रमुख मिथिलेस गोहिवारक अनुसार सिरहाके बडहरामालसँ २१ गोटे, रामनगर मिर्चैया २, सितापुर प्ररा २ आ राघोपुर गाविससँ २ दु गोटे कऽ २६ गोटेके गिरफ्तार कएल गेल अछि । ओकरासभहक सँगस विधुत चोरी केने अवस्थामे पाँच थान मोटर, पंखा, हावा लगाबय प्रयोग कएल जाएबला मोटर तारसभ समेत बरामद कएलगेल अछि ।
 सिरहाके ७५ गाविस आ एक नगरपालिका देखैत आएल लहान शाखा अहिस आगु चुहावट नियन्त्रण अभियानमे हुकिङ कऽ विद्युत चोरी केने ३ सय ५० गोटेके गिरफ्तार क ऽ १३ लाख ५० हजार रुपैयाँ राजस्व असुली कऽ चुकल अछि । गिरफ्तार भेलके विद्युत नियमावली अनुसार कारवाही कऽ राजस्व असुली कएल जाएत लहान शाखा जनौलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन