Friday, April 08, 2011

सभासदके तलबमे १ अर्ब ३६ करोड समाप्त


काठमाडौं, चैत २५ । बितल जेठ १४ गते राति संविधानसभाके म्याद थपएलाबाद संसोधन कएलगेल कार्यतालिका अनुसार काम भेल करिब एकमहिनेमे  जनता संविधानके मस्यौदा हातमे पाबि सकैत छल आ एखन प्राप्त सुझाव उपर सभासदसभ अन्तिम बिमर्श क सकैत छलाह ।
मुदा संविधानसभाके थपल म्याद ५० दिन मात्रे बाँकी रहितो एकीकृत मस्यौदा  बनय नहि सकल अछि ।
बिबादक मुख्य बिषयमे सेहो दलसभ गम्भीर भऽ बिमर्श नहि केने अछि ।
संविधान निर्माणमे खासे ध्यान नहि देने सभासदसभ भत्ता लेबय सेहो नहि छोडने छथि । भत्तेके लेल बहुतो सभासदसभ संविधानसभा भवन पहुँच कऽ हस्ताक्षर कऽक घुरैत अछि ।
संविधानसभा सचिवालयके अनुसार २०६५ साल जेठ १५ गतेके पहिल बैसारसँ अखनधरि संविधानसभाके  १ सय ९ टा बैसार बैस चुकल अछि । अखनधरि  सभासदके तलब भत्तामे मात्रे राज्यकोषसँ १ अर्ब ३६ करोड रुपैयाँ खर्च भ चुकल अछि । सचिवालयके अनुसार सभामुख आ उपसभामुखके तलब भत्तामे मात्रे १ करोड ३७ लाख खर्च भऽ चुकल अछि ।

आईपीएल अन्तर्गत खेल भऽरहल


चैत २५ । आईपीएल अन्तर्गत भारतक चेन्नइमे कोलकता नाइट राइडर्स आ चेन्नइ सुपर किँगस बिच आइ खेल भऽरहल अछि ।
 राति सबा ८ बजेसँ शुरु भेल आजुक खेलमे चेन्नइ सुपर किँगस टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ्ग करैत निर्धारित २० ओभरक खेलमे     ४ बिकेटक क्षतिमे    १५३     रन बना कऽ कोलकता नाइट राइडर्स समक्ष १५४    रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि । 
चेन्नइ सुपर किँगस दिसक सुरेश रैना ३३, मुरली बिजय ४,  अनिरुद्ध ६४ आ धोनी २९ रन बनौलनि अछि ।

सिन्धुलीमे अगिलगि, लाखौके क्षति


सिन्धुली, चैत २५ । सिन्धुलीके खैरेनीटारमे अगिलगि भेलासँ दु टा घर जरि कऽ नष्ट भेल अछि ।
  कमलामाई नगरपालिका ७ के मिश्रा खड्काके घरमे अगिलगि भेलासँ १० लाख नगद,  अढाई तोला सोना, अन्नपानि, लत्तकपडा जरि कऽ नष्ट भेल अछि  । आइ बेरियामे २ बजे मालजालक घरसँ सुनगल आगि घरधरि पसरल आ जिल्ला प्रहरी कार्यालयसँ गेल सशस्त्र पुलिसक  टोली आगिके नियन्त्रणमे लेने जनाओलगेल अछि ।

आगिलगिमे परि १ के मृत्यु, ७० लाख बराबरके क्षति


कपिलवस्तु, चैत २५ । कपिलवस्तुके बहादुरगँज गाविसके विजयपुरमे आगिलगिमे परि आइ एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
 मृत्यु होबयबलामे रहिमुन धोबी रहल बताओलगेल अछि । घरके आओर सदस्य आगिलगिके खबर पौलाबाद भागय सफल भेल  कपिलवस्तु पुलिस पुष्टि केलक अछि ।
बेरियाके १२ बजेसँ सुरु भेल आगि करिब साढे ४ घण्टाकेबाद मात्रे नियन्त्रणमे आएल छल । अगिलगिसँ ८५ घर जरि कऽ पूर्ण  रुपमे नष्ट भेल अछि ।  हथौसा १ मे भेल अगिलगिसँ  करिब ७० लाख रुपैयाँ बराबरके क्षति भेल अछि । नास्ता बनाबयके क्रममे स्थानिय सरस्वती थारुके घरसँ अगिलगि सुरु भेल वताओलगेल अछि ।

माओवादी आओर नेताके तत्काल सरकारमे नहि पठाओत


काठमाडौं, चैत २५ । सातबुँदे सहमति कार्यान्वयनमे एमाले गम्भीर नहि भेल कहैत एकीकृत नेकपा माओवादी आओर नेतासभके तत्काल सरकारमे नहि पठाबयके संकेत देलक अछि ।
माओवादी पदाधिकारीसभहक आइ बैसल बैसारसँ सातबुँदे सहमतिके कार्यान्वयन सहितक विषयमे एमाले नेतृत्वसँग थप बिमर्श कऽकऽ  मात्रे आओर नेताके सरकारमे पठाबयके निर्णय केलक अछि ।
सातबुँदे सहमति कार्यान्वयनप्रति एमाले गम्भीर नहि भेलासँ थप बिमर्श  आवश्यक रहल माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश जानकारी देलनि ।
स्रोतक अनुसार सातबुँदे सहमति अनुसार गृहमन्त्रालय माओवादीके तत्काल देबय प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल तयार नहि भेलाबाद माओवादी तत्काल थप नेतासभके सरकारमे नहि पठाबयके संकेत देलक अछि । श्रोतक अनुसार माओवादीके हार्डलाइनर पक्ष गृह नै भेटत त सरकारमे नहि जाएके  दबाव देलक अछि ।
माओवादी पदाधिकारीसभहक बैसारसँ सरकार एकतर्फी रुपमे पूर्ण बजेटके तयारी केने कहैत असन्तुष्टि जनौलक अछि । सातबुँदे सहमति कार्यान्वयन आ बजेटके विषयमे एमाले नेतृत्वसँग काल्हि बिमर्श कएल जाएत माओवादी उपाध्यक्ष प्रकाश बतौलनि ।

दलसभबीच सहकार्य आवश्यकः माओवादीक स्थायी समिति सदस्य गुरुङ


इलाम, चैत २५ । जनता माओवादीके मात्रे नहि भऽ सब दलके संविधान निर्माण करयके जिम्मेवारी दऽकऽ  पठौलासँ जल्दिसँ जल्दि दलसभबीच सहमति कऽकऽ संविधान निर्माण आ शान्ति प्रकृयाके निष्कर्षमे पहुँचाबय परत एकीकृत नेकपा माओवादीक स्थायी समिति सदस्य देव गुरुङ बतौलनि अछि ।
 आइ इलाममे आयोजित नेपाल राष्ट्रिय प्राध्यापक संगठन लिम्बूवान राज्यके प्रथम सम्मेलनके सम्वोधन करैत गुरुङ पछिला समयमे अल्पमत आ बहुमतकके बातसभ बाहर आबय लगलासँ तोकल समयमे संविधान निर्माण नहि हाएत  कि आशङ्कासभ पैदा होइतो एहन शङ्का जल्दिए समाधान हाएत आश्वासन देलनि ।

पार्टी फुटयके हल्ला निराधारः उपाध्यक्ष डा भट्टराई


सुर्खेत, चैत २५ । एकिकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष डा बाबुराम भट्टराई माओबादी पार्टी फुट्य लागल हल्ला निराधार रहल टिप्पणी कएलनि अछि ।
 क्रान्तिकारी पत्रकार संघ सुर्खेत आइ वीरेन्द्रनगरमे केने पत्रकार सम्मेलनमे ओ क्रान्तिकारी पार्टी भितर होबयबला स्वभावीक बहसके लऽ पार्टी फुटय लागल कहि जनता आ कार्यकर्तामे आतंक फैलाबय खोजलगेल दावी कएलनि । किछ माओवादी नेताके मोवाइलमे बाबुराम पार्टी फुटाबय चाहने कहिक म्यासेज कएलगेल प्रसङ्गमे उपाध्यक्ष भट्टराइ सत्ताधारी प्रवृत्ति भेलसभ अपनाके बदनाम करबाय चाहने आरोप लगौलनि ।
ओ संविधान जारी करयके समय लक्चियाइतो दलसभ गम्भिर नहि हाएत त देशमे संवैधानिक रिक्तता भ राष्ट्रपति या सेना मार्फत प्रतिगमनकारी गतिविधी होयबाक खतरा बढत टिप्पणी कएलनि । संविधान सभाके विघठन कऽ गणतन्त्र संघीयता धर्म निरपेक्षता सहितक उपलब्धिके रक्षा करय लेल सब राजनीतिक दलसभके लागय परतमे उपाध्यक्ष भट्टराइ जोड देलनि ।

एक सप्ताहमे मन्त्रीमण्डल विस्तारः प्रधानमन्त्री


काठमाण्डौ, चैत २५ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल सरकार १ सप्ताह भितरे विस्तार हाएत  बतौलनि अछि ।
माओवादी आ मधेसी जनअधिकार फोरमसँग बिमर्श जारी रहलासँ एक दु दिनेमे सरकार बिस्तार हाएत हुनक दावी छलनि । एमाले निकट इन्जिनियरसभहक दोसर राष्ट्रिय अधिवेशनके आइ राजधानीमे सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री खनाल सब दलसभसँग बिमर्श जारी रहलासँ मन्त्रीपरिषद् विस्तारमे अबेर भऽरहल बतौलनि ।
ओ वर्तमान सरकार राष्ट्रिय सहमतिके सरकार भेलासँ काङ्ग्रेस सहितक अन्य दलसभके सरकारमे सहभागी होबय समेत आग्रह कएलनि । प्रधानमन्त्री खनाल शान्ति प्रकि्रया पहिल प्राथमिकता भेलासँ सरकार माओवादी लडाकु समायोजन आ पुनस्र्थापनाके काम आगु बढारहल स्पष्ट कएलनि । ओ प्राविधिक समिति निरन्तर काम क रहलासँ जल्दिए समायोजन आ पुनस्र्थापनके मोडालिटी तय हाएत  विश्वास व्यक्त कएलनि ।
ओ शान्ति प्रकि्रया निष्कर्षमे पहुँचाबय सबके कर्तव्य भेलासँ सहकार्य कऽक आगु बढय सरकार तयार रहल स्पष्ट कएलनि ।

माओवादी आ एमाले सत्ताकब्जामे केन्द्रित: गच्छदार


कलैया, चैत २५ । मधेसी जनअधिकार फोरम (लोकतान्त्रिक) के अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार माओवादी आ एमालेके गठबन्धन सरकार सत्ताकब्जा करयदिस  उद्दत रहल आरोप लगौलनि अछि ।
पार्टीके बारा जिल्लास्तरीय प्रशिक्षणके आइ  सम्बोधन करैत ओ वर्तमान सरकार देशमे शान्तिसुरक्षा आ संविधान निर्माण करय गम्भीर नहि रहल दावी केलनि अछि ।
ओ अवसरमे फोरमक नेता शरतसिँह भण्डारी वर्तमान सरकार मधेस समस्याप्रति गम्भीर नहि रहल बतबैत मधेसमे पुनः आन्दोलन हाएत त ओ विकराल रुप लेबय सकत चेतावनी देने छलथि ।
फोरम लोकतान्त्रिकके बारा अध्यक्ष रामबाबु साहक सभापतित्वमे भेल कार्यक्रममे सभासद्द्वय प्रमोद गुप्ता, निलम वर्मा मधेसी जनताके अधिकारक लेल आन्दोलन अपरिहार्य रहल बतौने छलथि ।

एजेण्डामे बिना प्रवेश केनेही संवैधानिक समितिक बैसार स्थगित


काठमाडौ, चैत २५ । दलित आ मुस्लिम सभासदसभहक बिरोधके कारण संवैधानिक समितिके आजुक बैसार बिना कोनो एजेण्डामे प्रवेश केनेही स्थगित भेल अछि ।
 दलित जनजाति पार्टीक सभासद विसेन्द्र पासवान सहितक बैसार संचालन होबय नहि देबयके अडान लेने छल । समितिक पछिला बैसारसभमे अल्पसंख्यक समूदायके हक अधिकारक विषयमे पासवान समेत किछ सभासद संवैधानिक समितिमे कडा रुपमे आवाज उठबैत आएल अछि ।
 पासवान अपनासभके अवरोधके कारण बैसार कोनो ऐजेण्डामे प्रवेश करय  नहि सकल बतौलनि । बैसार बैसय नहि सकलाबाद समिति सभापति निलाम्बर आचार्य आगामी २९ गते धरिके लेल बैसार स्थगित केने छलथि । भावि संविधानमे दलित,जनजाति, पिछडा, आदिवासी आ मुस्लिम समूदायके हक अधिकार सुनिश्चित होबयके प्रतिवद्धता सहितक पत्र संविधानसभासँ संवैधानिक समितिमे नहि आबयधरि बैसार बैसय नहि देब सभासद पासवान बतौलनि अछि । पासवानसंगै स्वतन्त्र सभासद सदरुल मियाँ हक अहिसँ आगुके बैसारसभमे अपनासभके हक सुनिश्चित नहि भेल कहैत बिरोध करैत आएल छलथि ।

प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करय सोमदिन बैसार


काठमाडौ, चैत २५ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल प्रधानन्यायाधीश नियुक्तिके लेल सोमदिन संवैधानिक परिषद्क बैसार बजौने छथि ।
 प्रधानन्यायाधीश रामप्रसाद श्रेष्ठ ६५ वर्ष उमेर पूरा क अनिवार्य अवकाश पाबय लगलासँ नयाँ प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करय परिषद्क बैसार बजाओलगेल जानकारी प्रधानमन्त्री निकट स्रोत देलक अछि ।
 प्रधानन्यायाधीश श्रेष्ठ आगामी वैशाख २२ मे अनिवार्य अवकाश पाबि रहल छथि । प्रधानमन्त्री एवं परिषद्क अध्यक्ष खनाल परिषद्क सदस्यसभ प्रधानन्यायाधीश श्रेष्ठ, सभामुख सुवास नेम्वाङ, विपक्षी दलक नेता रामचन्द्र पौडेल आ अपने सदस्य तोकने तीन मन्त्रीके सोमदिन   बैसयबला बैसारमे उपस्थित होबय पत्र पठौलक अछि ।
 प्रधानमन्त्री काल्हि अन्तरिम संविधान बमोजिम उपप्रधानमन्त्री भरतमोहन अधिकारी, रक्षामन्त्री विष्णु पौडेल, शान्ति तथा पुनर्निर्माण मन्त्री वर्षमान पुनके परिषद् सदस्य तोकने छथि । प्रधानन्यायाधीशमे सर्वोच्च अदालतके वरिष्ठ न्यायाधीश खिलराज रेग्मीके नाम सिफारिस होयबाक  सम्भावना अछि । परिषद् वरिष्ठ न्यायाधीशके प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करयके आ राष्ट्राध्यक्ष नियुक्त करयके परम्परा अछि । प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करयके एजेन्डामे बजाओलगेल परिषद् बैसारमे आरो संवैधानिक अंगक प्रमुख तथा सदस्य नियुक्तिबारे बिमर्श होयबाक सम्भावना नहि रहल स्रोत उल्लेख केलक अछि ।

विद्युत चोरी करयबला २६ गोटे गिरफ्तार


लहान, चैत २५ । विद्युत प्राधिकरण लहान शाखा विद्युत चुहावट नियन्त्रणके लेल शुरु केने अभियान अन्तर्गत हुकिङ कऽ विद्युत चोरी केने अवस्थामे सिरहाके ४ गाविससँ २६ गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।
 विद्युत प्राधिकरण लहान शाखाक प्रमुख मिथिलेस गोहिवारक अनुसार सिरहाके बडहरामालसँ २१ गोटे, रामनगर मिर्चैया २, सितापुर प्ररा २ आ राघोपुर गाविससँ २ दु गोटे कऽ २६ गोटेके गिरफ्तार कएल गेल अछि । ओकरासभहक सँगस विधुत चोरी केने अवस्थामे पाँच थान मोटर, पंखा, हावा लगाबय प्रयोग कएल जाएबला मोटर तारसभ समेत बरामद कएलगेल अछि ।
 सिरहाके ७५ गाविस आ एक नगरपालिका देखैत आएल लहान शाखा अहिस आगु चुहावट नियन्त्रण अभियानमे हुकिङ कऽ विद्युत चोरी केने ३ सय ५० गोटेके गिरफ्तार क ऽ १३ लाख ५० हजार रुपैयाँ राजस्व असुली कऽ चुकल अछि । गिरफ्तार भेलके विद्युत नियमावली अनुसार कारवाही कऽ राजस्व असुली कएल जाएत लहान शाखा जनौलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन