Wednesday, March 16, 2011

रिएक्टरमें फेउर लागल आगि प काबू


एजेन्सी, चैत २ । जापानमें भूकंप आ सुनामी स तबाह भेल परमाणु संयंत्रमें आइ भिन्सर लागल आगि प नियन्त्रण भ चुकल अछि ।
जापानके फुकुशिमा दायची संयंत्रके ओइ रिएक्टरमें आगि लागल छल जतय प्रयोग भ गेल ईंधन राखल जाइत अछि । संयंत्रके रिएक्टर नंबर 4 में आगि लागल छल ।
अइ परमाणु संयंत्रमें पहिनहु ४ बेर विस्फोट भेल छल जाहिके बादस विकिरण फैल रहल अछि आ स्वास्थ्यके लेल भारी खतरा पैदा भ गेल अछि ।
जापानके उत्तर पूर्वमें शुक्रदिन आएल भीषण भूकंप आ सूनामीके बाद अखनधरि 3000 गोटेके मृत्यु भेल पुष्टि भ चुकल अछि आ हज़ारों गोटे लापता अछि ।
भूकंपके कारण परमाणु संयंत्रके कूलिंग प्रणाली खराब भ गेल अछि । जाहिस संयंत्रके रिएक्टरमें या त आगि लागि रहल अछि या विस्फोट भ रहल अछि ।

संविधानसभाके म्याद ६ महिनाधरि थपल जा सकैय : बादल

बाग्लुङ, २ चैत्र । एकीकृत नेकपा माओवादीक महासचिब रामबहादुर थापा ‘बादल’ संविधानसभाके म्याद ६ महिनाधरि थपल जा सकैय बतौलनि अछि । माओवादी बाग्लुङ आइ आयोजना केने कार्यकर्ता भेटघाटमे महासचिव बादल जेठ १४ भितर नागरिकके अपेक्षा अनुसारक नयाँ संविधान जारी करयके अवस्था नै रहलास संविधानसभाक म्याद थपल जा सकैय तर्क कएलनि ।
‘संविधानसभाक म्याद दु महिना मात्रे बाँकी अछि । अई अवस्थामे जेठ १४ भितर संविधान जारी हाएतमे शंका अछि,’ महासचिव बादल कहलनि, ‘सार्थक संविधान निर्माणक लेल ३ स ६ महिनाधरि संविधानसभाके म्याद बढाओल जा सकैय ।’
माओवादी जेठ १४ भितरे नयाँ संविधान जारी करयके पक्षमे रहितो देशी विदेशी प्रतिक्रियावादी शक्तिसब संविधान बनाबय नै देबयके षडयन्त्र क रहल ओ बतौलनि । ओ शान्ति आ संविधानविरुद्ध षडयन्त्र जारी रहत त विद्रोहमे जाएके विकल्प नै रहल बतौलनि ।

पारस शाह तारेख लेबय चितवन नै औताह


चितवन , चैत्र २ ।
किछ सार्वजनिक अपराध ऐन अन्तरगत जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे रहल मुद्दामे आइ फेउर तारेख देलगेल पूर्वयुवराज पारश शाह तारेख लेबय अपने नै औताह बताओलगेल अछि ।
आजुक बिमर्श पेशीमे ओ अपन कानुनी सहयोगी गणेश केसी आ चितवनक शिवबहादुर पाण्डे मार्फत बहश करौताह जनाओलगेल अछि । तीन दिन आगु नुवाकोट पहुँचल पारस अपने बेमार भेल कहैत कानुनी सुविधाक लेल वकिलसबके जिम्मा लगौलनि अछि ।
चितवनक प्रमुख जिल्ला अधिकारी बसन्तराज गौतमके इजलाशस हुनकर मुद्दा देखल जाएत । बितल अगह २५ गते टाइगर टप्स होटलमे रुबेल चौधरीसँग झगडा केने कहैत पुलिस पारश शाहविरुद्ध किछ सार्वजनिक अपराध ऐन अन्तरगत जिल्ला प्रशासन कार्यालय चितवनमे मुद्दा चलौने अछि ।
प्रमुख जिल्ला अधिकारी हुनका १० हजार धरौटीमे रिहा कक तारेखमे रखने छथि ।

सीमामे दु गोट नेपाली पिटाएल

रौतहट, चैत्र २ । बैरगनिया सीमा क्षेत्रमे तैनाथ भारतीय सीमा सुरक्षा बल (एसएसबी) के जवान भारतीय बजारस घुरिरहल २ गोट नेपालीके काल्हि पिटपाट केलक अछि ।
दबाइ किन क आबिरहल पथरा-३ के सन्तोषकुमार साहके ओ सब पिटपाट करैत हात तोडिदेलक अछि त निर्ममता पुर्बक पिटपाटस सख्त घाइल बनौनौ चाउर किन क घुरिरहल गौर नगरपालिका-२ के कौशल्यादेवी दासके एसएसबी नियन्त्रणमे ल भारतेमे रखने अछि । घटना होइते सीमामे एसएसबी नेपालीके प्रवेशमे रोक लगौने अछि ।
सीमा क्षेत्रमे किछ दिन एम्हर भारतीय सीमा सुरक्षा बलक जवानसब नेपाली उपर दुव्र्यवहार करैत आएल अछि ।

पूर्वमन्त्रीसँग गाडी फिर्ता मँगला प 'त्रिशूलीमे फेक देबयके' धम्की

काठमाडौं, चैत्र २ । एक पूर्वमन्त्री अपन पदमे रहैत समय चढने प्राडो गाडी फिर्ता करय परत त ओ गाडीएके त्रिशूलीमे फेक देबयके धम्की देलक अछि । पदस बहराएल ७ दिनभितरेमे सरकारी सुविधा छोडय परैत अछि मुदा पूर्ववाणिज्य राज्यमन्त्री सरोज यादव सत्तास बहराएल एक महिना बितलाक बादो गाडी फिर्ता माँगय गेल वाणिज्य मन्त्रालयके कर्मचारीके एहन धम्की देलनि अछि ।
वाणिज्य मन्त्रालय एक महिनास हुनकास लिखित आ मौखिक रूपमे बेर बेर गाडी फिर्ता मँगैत आएल अछि । अहिना, पूर्वभौतिक योजना तथा निर्माण राज्यमन्त्री सञ्जय साह सेहो गाडी देबय अस्वीकार केने स्रोतक कहब अछि । मन्त्रालय बल प्रयोग कयोयो क हाएत त साहस गाडी फिर्ता क देबाक लेल गृह मन्त्रालय मार्फत पुलिससँ लिखित अनुरोध केलक अछि ।
तहिना, पुर्वभौतिक योजनामन्त्री विजयकुमार गच्छदार ललितपुरक पुल्चोकस्थित सरकारी निवास नै छोडने छथि त पूर्वप्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल सेहो अपने प्रधानमन्त्री रहैत समय चढैत आएल टोयोटा प्राडो गाडी फिर्ता नै केने छथि ।

मनकामना केबलकार बन्द


चितवन, २ चैत्र । चितवनके कुरिनटारस्थित मनकामना केबलकार आइस बन्द भेल अछि । मर्मत सम्भारके लेल दु दिन केबलकार बन्द रहत जनाओलगेल अछि ।
आइ आ काल्हि २ दिन केबलकार बन्द हाएत मनकामना दर्शन सेवा प्रालि जनौलक अछि । मर्मत भेलाबाद शुक्रदिनस केबलकार सुचारु हाएत बताओलगेल अछि ।

खेल समाचार

चैत २ - I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत आइ भारतक बैगलौरमे अष्ट्रेलिया आ क्यानाडा बिच खेल होबय जा रहल अछि ।
खेल भारतिय समय अनुसार बेरियाके २ बाजिक ३० मिनेटस शुरु हाएत ।

तीन मधेसी दलक अध्यक्ष एकेबेर भारत जा रहल

काठमाडौं, २ चैत्र । तीन मधेसी दलक शीर्ष नेता आइ बेरियामे एकेबेर भारतक नयाँदिल्ली जा रहल छथि ।
पूर्वप्रधानमन्त्री सूर्यबहादुर थापाके घुरिते मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार, तराई मधेस लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर आ सदभावनाक अध्यक्ष राजेन्द्र महतो नयाँदिल्ली जाए लागल छथि ।
ओसब बेरियामे तीन बजे इन्डियन एयरलाइन्सके विमानस नयाँदिल्ली जेताह बताओलगेल अछि । भ्रमणके क्रममे भारतीय प्रधानमन्त्री मनमोहन सिंह, कांग्रेसक आईके अध्यक्ष सोनिया गान्धी, विदेशमन्त्री एसएम कृष्णा सहितक शीर्ष नेतासबसँग राजनीतिक भेटवार्ता करबाक कार्यक्रम तय भेल अछि । भेटमे नेपालक वर्तमान सत्ता गठबन्धन आ मधेसी दलक भूमिकाबारे बिमर्श होयबाक सद्भावना अध्यक्ष महतो जानकारी देलनि अछि ।
‘शान्ति, संविधान आ मधेसक मुद्दामा बिमर्श हाएत,’ अध्यक्ष महतो बतौलनि । भेटवार्ता लम्बा नै भेल त याह रबिदिन स्वदेश घुरब महतो जानकारी देलनि ।
भेटवार्तामे एकीकृत नेकपा माओवादी आ नेकपा एमाले गठबन्धनके वर्तमान सरकारविरुद्ध लोकतान्त्रिक मोर्चा बनाबयके बिषयमे बिमर्श केन्दि्रत हाएत स्रोतक कहब अछि ।

कांग्रेसक देशभरि श्रद्धान्जली सभा


काठमाडौं, २ चैत्र । पूर्वप्रधानमन्त्री एवम् नेपाली कांग्रेसक संस्थापक कृष्णप्रसाद भट्टराईके निधन भेल १३ हम् दिनक पूण्यतिथिमे कांग्रेस आइ देशभरि श्रद्धान्जलीसभाक आयोजना केने अछि ।
श्रद्धान्जलीसभाक देशभरि कांग्रेस प्रतिनिधि खटल अछि । कांग्रेस काठमाडौंके खुलामन्चमे बेरियामे श्रद्धान्जलीसभा आयोजना केलक अछि । सभाके शीर्ष नेतासब सम्बोधन करबाक कार्यक्रम अछि । अहिना, नेविसंघ स्वंभूमे बेरियामे स्वर्गीय भट्टराईके शालिक अनावरण करबाक कार्यक्रम तय केने अछि ।
कांग्रेस १३ हम् दिनक संस्कार काल्हिए १२ हम् दिनमे केने छल ।
कांग्रेस संस्थापक भट्टराईके बितल फागुन २० गते काठमाडौंके थापाथलीस्थित नर्भिक अस्पतालमे ९२ वर्षक उमेरमे निधन भेल रहनि ।

मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ करूणा पहुँचल

जनकपुर, चैत २ । फागुन २० गतेसँ शुरू भेल १५ दिनक मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ करूणा पहुँचल अछि ।
फागुन कृष्ण पक्षक अमाबस्या तिथिसँ प्रारम्भ भेल ई माध्यमिक परिक्रमा जनकपुरक हनुमान गढीमे एकत्रित भेल बिभिन्न मठ मन्दिर तथा कुटीसँ निकलल राम जानकीक डोलासभ भारतक कल्णा, फुलहर, मटिहानी, जलेश्वर, मडैई, ध्रुबकुण्ड, कंचनबन,पर्बता धनुषाधाम, सतोषर, औरही होइत आइ करूणा पहुँचल अछि ।
आइ रातिमे ओइठाम बिश्राम केलाबाद परिक्रमा फेउर काँल्हि बिसौलके लेल प्रस्थान करत । तहिना, ४ गते जनकपुर पहुँचलाक बाद ५ गते भिन्सरमे जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा कऽ परिक्रमाके समापन कएल जाएत।
अहि परिक्रमामे नेपाल भारतक दुर दुरसँ आएल साधु सन्त तथा श्रद्बालु भक्तजनसभहक पैंग सँख्यामे सहभागीता रहैत अछि तऽ ठाम ठाममे बिभिन्न क्लब सभ निशुल्क भोजन तथा आबासके ब्यबस्था सेहो कएने अछि । बिश्राम स्थल प मेला सेहो लगैत अछि जतय दुर दुरस गामक लोकसब मेला देखय अबैत अछि ।

अकोराबके घोषणा पत्र जारी

जनकपुर चैत २ । सामुदायिक रेडियो प्रसारक सँघ मध्यमान्चल जमघट जनकपुरस घोषणा पत्र जारी केलक अछि ।

सँघ द्धारा जारी घोषणा पत्रमे जेठ १४ मे सँबिधान सभास सँबिधान जारी करय आग्रह काएल गेल अछि । अहिना लोडसेडिङके समयमे रेडियोसबकह लेल बिजुलीके बिकल्पबारे सोचय सरकारस माँग काएल गेल अछि । सामुदायिक रेडियोके उपकरण खरिदमे बिशेष छुट पत्रकारसब उपर होइत आबिरहल आक्रमण धम्कीके अन्त्य करय सेहो सरकारस जोडदार माँग काएल गेल अछि ।

तहिना लोककल्याणकारी बिज्ञापन बितरण प्रणलीके सहज बनाबयके सामुदायिक रेडियोमे कार्यरत ७ गोटेके मात्रे नै कि सम्पुर्ण सँचारकर्मीके पत्रकार महासँघक सदस्यता उपलब्ध कराबयकेसहितक सरकारसँ जोडदार माँग काएल गेल अछि ।

बस दुर्घटनामे २५ यात्रु घाईल

कावासोती, २ चैत्र । पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत नवलपरासीके प्रसौनि १ मे आइ भिन्सर यात्रुबाहक बस दुर्घटना भेलास २५ गोटे यात्रु घाईल भेल अछि ।
पश्चिमस पूर्व जारहल ना ३ ख ३९४८ नम्बरक बस भिन्सर ५ बजेदिस अनियन्त्रित भ सडकस उनटल पुलिस जनौलक अछि ।
दुर्घटनामे घाईल भेलसबहक इलाज मध्यविन्दु अस्पताल डण्डामे भरहल अछि । चालक औँघेलास दुर्घटना होबयसकबाक अनुमान पुलिसक रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन