Wednesday, November 02, 2011

२ दिन भितर बर्गिकरणके कार्यतालिका तयार करय निर्देशन


१६ कात्तिक, काठमाडौं । सेना समायोजन विशेष समिति २ दिन भितर लडाकू बर्गिकरणके कार्यतालिका तयार करय सचिवालयके निर्देशन देलक अछि । विशेष समितिक आइ बैसल बैसारसँ कार्यतालिका तयार करय सचिवालयके निर्देशन देलक अछि ।

विशेष समितिक बैसारसँ दलसबबीच भेल सहमति कार्यान्वयन करयके निर्णय समेत केलक अछि । दलसबबीच अगहन ७ गतेभितर सम्पन्न करय जका एक सप्ताह भितर लडाकू बर्गिकरण प्रक्रिया शुरु करयके, ६ हजार ५ सय लडाकू समायोजन करयके, ५ सँ ८ लाखधरि पुनःस्थापना प्याकेज देबय सहितक सातबुँदे सहमति भेल अछि ।

विशेष समितिक अगिला बैसार शुक्रदिन बैसत ।

सार्वजनिक यातायातक भाडा करिब १० प्रतिशत सँ बृद्धि


१६ कात्तिक, काठमाडौं । सरकार सार्वजनिक यातायातक भाडा करिब १० प्रतिशत सँ बृद्धि केलक अछि । यातायात व्यवसायीसबसँगके सहमतिमे यातायात व्यवस्था विभाग सार्वजनिक यातायातके भाडा ९ दशमलव ९ प्रतिशतसँ बृद्धि केलक अछि ।

छोट तथा लोकल रुटसबमे १ रुपैयाँ बृद्धि हाएत तऽ ट्याक्सीमे प्रतिकिलोमिटर ३ रुपैयाँसँ बढि कऽ ३० पहुँचल अछि । अहिना मेची, महेन्द्रनगर, नेपालगञ्ज जेहन लम्बा रुटसबमे करिव सय रुपैयाँ भाडा बढत । बृद्धि कएलगेल भाडादर शुक्रदिनसँ लागू हाएत ।

७ बुन्दे सम्झौताप्रति वैद्य पक्षक कडा आपत्ति


१६ कात्तिक, काठमाडौं । शान्ति सम्झौता पुरा करय लेल बितल राति मुख्य दलसबबीच भेल सम्झौतामे एकीकृत नेकपा माओवादीक वैद्य पक्ष कडा आपत्ति जनौलक अछि । आइ राजधानीमे पत्रकार सम्मेलन कऽ वैद्य पक्ष सम्झौता देश आ जनताप्रति धोका तथा जनमुक्ति सेनाके आत्मसर्पण कराबयके जका भेल कहैत अहिके खारेज कऽ नयाँ सम्झौता करय माँग केलक अछि ।

पार्टी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य किरण आ महासचिव रामबहादुर थापा बादल हस्ताक्षर केने प्रेस विज्ञप्तीमे जनमुक्ति सेनाके सम्मानपूर्वक समायोजन नहि कएल गेल तऽ दोसर जनआन्दोलनके सृष्टि होबयके चेतावनी देलगेल अछि । सम्झौता समूहगत नहि भऽ व्यक्तिगत आ निशस्त्र ढंगसँ नहि भऽ हतियार सहित होबयके वैद्य पक्ष माँग केने अछि ।

जनसेनाके वनके चौकिदार नहि कि, नियमित सेनाके जेना जिम्मेवारी दऽ कऽ सम्मानपूर्वक सम्मान करय परतविज्ञप्तीमे उल्लेख अछि । महानिर्देशनालयमे जनमुक्ति सेनाके ३५ प्रतिशत नहि भऽ ५० प्रतिशत होबयके पार्टीके नीति रहल कहैत वैद्य पक्ष अहिमे सेहो कडा आपत्ति जनौलक अछि । पुनस्र्थापना प्याकेज जनमुक्ति सेनाके भूमिका अनुसार नहि भेल वैद्य पक्षक ठहर अछि ।

अहिबिच बितल राति प्रमुख दलसबवीच भेल ७ वुँदे सहमतिप्रति आपत्ति जनबैत आएल उपाध्यक्ष मोहन वैद्य किरण पक्ष सात वुँदे सहमतिके विरोधमे ७ वुँदे सहमतिके ड्राफ्ट जराबय लागल अछि ।

सात वुँदे सहमतिप्रतिके अपन आधिकारिक धारणा पत्रकार सम्मेलन कऽ सार्वजनिक केलाबाद राष्ट्रिय सभागृह आगु वैद्य पक्ष ड्राफ्ट दहन करय लागल अछि । अहिना सहमतिके विरोधमे वैद्य पक्षक कार्यकर्तासब सँस्थापन पक्षके नेतासबके कारी भण्डा देखाओत  वताओल गेल अछि । तहिना ओ सब आइ सहमतिके विरोधमे देशभरि मसाल जुलुस समेत करय लागल अछि ।

दाहाल कात्तिक २२ गते राष्ट्रसंघ महासचिवसँ भेट्ताह


काठमाडौं, कार्तिक १६ । माओवादी अध्यक्ष एवं लुम्बिनी विकास राष्ट्रिय निर्देशक समितिक संयोजक पुष्पकमल दाहाल कात्तिक २२ गते राष्ट्रसंघ महासचिव बान की मुनसँग भेट करय लागल छथि ।

दाहालके राष्ट्रसंघ महासचिवसँ भेटयके कार्यक्रम बुधदिन तय भेल अछि । बृहत्तर लुम्बिनी विकास गुरुयोजना तयार करय आगु राष्ट्रिय अन्तर्राष्ट्रिय सहयोग जुटाबय दाहाल आ कांग्रेस नेता मिनेन्द्र रिजाल शनिदिन न्यूयोर्क जाँ रहल छथि ।

 भेटमे दाहाल बृहत्तर लुम्बिनी विकास गुरुयोजना अन्तर्राष्ट्रिय समितिक अध्यक्षता करय मुनसँ आग्रह करताह बताओल गेल अछि । रुपन्देही, कपिलवस्तु तथा नवलपरासी जिल्लाके समेट कऽ बृहत्तर लुम्बिनी विकासक गुरुयोजना बनाओल जाएत आ लुम्बिनीके अन्तर्राष्ट्रिय शान्ति सहके अवधारणा अनुसार आगु बढाबयके सरकारी तयारी अछि ।

सरकार सन् २०१२ के लुम्बिनी भ्रमण वर्षक रुपमे मनाबयके निर्णय अहिसँ आगुए कऽ चुकल अछि ।

उद्योग वाणिज्य महासंघद्वारा सात बुँदे सहमतिके स्वागत


१६ कात्तिक, काठमाडौँ । नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघ प्रमुख तीन राजनीतिक दल आ मधेसी मोर्चाबीच भेल शान्ति, संविधान आ सत्तासाझेदारी सम्बन्धी सातबुँदे सहमतिके स्वागत केलक अछि ।

महासंघ आइ विज्ञप्ति जारी करैत सहमतिके स्वागत केलक अछि । महासंघ सहमतिके कार्यान्वयनमे जोड दैत ओइके लेल गम्भीर होबय दलसबसँ आग्रह केलक अछि । महासंघ दलसबहक जिम्मेवारी आ सुझबुझपूर्ण सहमतिसँ लम्बा समयसँ विद्यमान प्रसव पीडासँ देशके छुटकारा देने विचार व्यक्त केलक अछि । सहमतिसँ शान्तिप्रक्रिया कार्यान्वयनके साथ साथे संविधान निर्माणक वातावरण समेत बनल महासंघक ठहर अछि । महासंघ दलसबके आब देशके आर्थिक विकासमे ध्यान देबय आग्रह केलक अछि ।

बैद्य पक्षक बैसार बैद्य निवासमे


१६ कात्तिक, काठमाडौँ । प्रमुख तीन दल आ मधेसी मोर्चाबीच काल्हि भेल सातबुँदे सहमति प्रति आपत्ति जनौने एकीकृत नेकपा माओवादीक मोहन बैद्य पक्षक अलगे बैसार भेल अछि ।

बैद्य निवास गोंगबुमे आइ बैसल बैसारमे ओ पक्षक महासचिब रामबहादुर थापा वादल’, सचिव सीपी गजुरेल, स्थायी समिति सदस्य देव गुरुङ, नेत्रविक्रम चन्द सहितक नेता सहभागी छलथि । बैसारमे बैद्य पक्षक राजधानीमे उपलब्ध पोलिट्ब्युरो आ केन्द्रीय सदस्यधरिके नेताके सेहो सहभागी कराओल गेल छल । बैसारमे संस्थापन पक्षविरुद्ध नयाँ रणनीति तयार करयके विषयमे बिमर्श भेल बताओल गेल अछि । बैसारसँ बहराएके क्रममे नेतासब सञ्चारकर्मीसँग प्रतिक्रिया देबय नहि चाहलथि ।

पोलिट्ब्युरो सदस्य हरिभक्त कँडेल नयाँ सन्दर्भमे कोना कऽ आगु बढल जाए विषयमे बिमर्श भेल जानकारी देलनि । सातबुँदे सहमतिके बैद्य पक्ष पार्टी नीति आ निर्णय विपरीत रहल बतौलक अछि । स्रोतक अनुसार पार्टीमे प्रचण्ड आ बाबुरामके मनोमानी चलल कहैत किछ नेता तत्काल अलग होबयके धारणा रखितो उपाध्यक्ष बैद्य समय नहि आएल बतौने छलथि ।

सात बुँदेसँ गति अवरोध टुटलः प्रधानमन्त्री


१६ कात्तिक, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई प्रमुख तीन दल मधेसी मोर्चाबीच काल्हि ेल सातबुँदे सहमति सँ जारी राजनीतिक गति अवरोध अन्त्य भेल बतौलनि अछि

प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई प्रमुख तीन दल मधेसी मोर्चाबीच काल्हि ेल सातबुँदे सहमति सँ जारी राजनीतिक गति अवरोध अन्त्य भेल बतौलनि अछि । छठ पावनिके अवसरमे आइ भिन्सर राजधानीक रत्नपार्कस्थित रानीपोखरीम आयोजित कार्यक्रमम प्रधानमन्त्री भट्टराई सहमितिसँ पाँच वर्ष आगु सुरु कएलगेल शान्तिप्रक्रिया पुरा होबयके आधार तयार भेल बतौलनि

 छठिके अवसरम दलीय सहमति भेल कहैत प्रधानमन्त्री खुसी व्यक्त कएलनि । छठिके अवसरम शुभ कामना देबयके क्रमम ओ कहलनि पाँच वर्ष आगु सुरु भेल शान्तिप्रक्रिया पूरा हाएत, अहिसँ निक शुभकामना आरो किछ नहि हाएत ओ अपने नेतृत्वक सरकार शान्ति संविधान लेखन प्रक्रिया निष्कर्षम पहुँचाबयके हुनक कहब छलनि । सातबुँदे सहमतिम सहमतिसबहक कार्यान्वयनसँगै राष्ट्रिय सरकार बनाबयके कहलगेल अछि मुदा, याह सरकारम विपक्षम रह कांग्रेस-एमाले सेहो सहभागी होबयके या दोसर सरकार गठन करयके बिषयमे सहमति मौन ि

छठी पावनी आई सम्पन्न

१६ कातिक जनकपुरधाम ।  मिथिलाँचलक पमुख पावनि छठि काल्हि साँझ अस्ताइत सूर्यके अर्घ देल गेल छल त आइ भिन्सर उगैत सुर्यके अर्घ दऽ सम्पन्न भेल अछि । अहिक संग ४ दिनमा छठि पावनि आइ सम्पन्न भेल अछि ।

छठिक अवसरमे जनकपुरक गंगासागर, धनुषसागर, अंरगजा सर, गोरधोई पोखरि, दूधमती नदी आ जलाद नदी सहितक नदी तथा पवित्र कुण्डसबमे लाखौं श्रद्धालुसब छठि माताके पूजा अराधना केलनि । छठिमे घाटसबके दुलहीन जका सजाओलगेल छल । आइ भिन्सर पुजा समाप्तिके बाद लोकसब घर घरमे ठकुवा , भुसवा, केरासब पसादक रुपमे गहण केलनि अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन